Wednesday, October 19, 2011

प्रधानमन्त्रीद्वारा रक्षा आ भूमिसुधार मन्त्री हटौने घोषणा


Add caption
काठमाडौं, कार्तिक २  प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई  रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारी आ भूमिसुधार मन्त्री प्रभू साहके पदमुक्त केने घोषणा केलनि अछि ।

 दु मन्त्रीके हटाबयके माँग करैत प्रतिपक्षी दल एक सप्ताहसँ संसदक बैसार अबरुद्ध केलाबाद प्रधानमन्त्री आइ संसदक बैसारमे उपस्थित छलथि । ओ दुनु मन्त्रीके सम्बन्धित दलके सिफारिसमे हटौने जानकारी करौलनि ।

भण्डारीउपर देश विखण्डन करयके अभिव्यक्ति देने आ साह उपर बीरगन्जमे विश्व हिन्दू यूवा संघक अध्यक्ष काशीनाथ तिवारीके हत्याक आरोप छल । साह अहिसँ आगुए राजीनामा द ऽ चुकल छथि तऽ भण्डारीके हुनक  दल फोरम लोकतान्त्रिक फिर्ता बजाबयके निर्णय करितो ओ राजीनामा नहि देने छथि ।

जिविस बन्द


जलेश्वर, कातिक २  जिल्लाके विभिन्न राजनितिक दलसब जिल्ला विकास समिति महोत्तरीमे अनिश्चितकाल धरिके लेल तालावन्दी केलक अछि । तालावन्दीके कारण आइ कामकाज पूर्णत ठप्प रहल ।
      जिल्लाके तमलोपा नेपाल सहितक दलसब कर्मचारीसब समयमे नहि आबयके, स्थानीय विकास अधिकारी लम्बा समयसँ कार्यालयमे नहि आबयके, आर्थिक पारदर्शिता नहि भेल कहैत तालावन्दी केने अछि ।
      तमलोपा नेपालक नेता सुरेश पाण्डे महोत्तरीमे बाढिके समयमे आएल विपत्तिके समयमे समेत बैसार कऽ राहत सहितक कार्य वितरण करय लेल या जनताके उद्धारके कार्यसब करय लेल अखनधरि बैसार बैसय नहि सकल सहितक अनेक कारणसँ  विरोधमे तालावन्दी केने जानकारी देलनि ।
      नेता पाण्डेके नेतृत्वमे गेल नेपाली काँग्रेस, एमाले सहितक दलसबहक कार्यकर्तासब जिविसमे तालावन्दी केने अछि ।

विरोध जुलुस प्रर्दशन


जलेश्वर, कातिक २  रक्षामन्त्रीके समर्थनमे आ प्रतिपक्षके विरोधमे महोत्तरीके जलेश्वरमे आइ बेरियमे विरोध ¥याली निकालल गेल अछि ।
मधेशीजनअधिकार फोरम नेपाल लोकतान्त्रिक प्रतिपक्षीसब सदन अवरुद्ध कऽ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणके ओझराहटमे राखि मधेशीसबहक समानताके हकसँ बन्चित करा रहल कहैत ओइके विरोधमे विरोध जुलुसक आयोजना केने छल । 
पार्टी कार्यालयसँ शुरु भेल जुलुस नगरक विभिन्न भागके परिक्रमा करैत शंकर मन्दिर पहुँच कऽ कोणसभामे परिणत भेल छल । जुलुसमे नारावाजी समेत कएलगेल छल ।
      लोकतान्त्रिकके जिल्ला अध्यक्ष मोजिम राइनके नेतृत्वमे निकलल जुलुसमे जिल्लाके विभिन्न गाउँ विकास समितिके सयौं महिला, पुरुष कार्यकर्तासबहक सहभागिता छल ।
      जुलुसके बाद आयोजित कोणसभामे अध्यक्ष मोजिम राइन नेतासब केदारनाथ पाठक सहितकसब अपन अपन मन्तव्य रखने छलथि ।
      रक्षामन्त्री भण्डारी राष्ट्रियता विरोधी आ राष्ट्र विखण्डनके अभिव्यक्ति देने कहैत हुनक राजिनामाके माँग उठि रहल समयमे हुनके पार्टीके नेता कार्यकर्तासब राजिनामा नहि देबय कहैत समर्थनमे काल्हि चक्काजाम सेहो  केने छल ।

गोष्ठी शुरु


जलेश्वर, कार्तिक २ । नेपाल रेडक्रस सोसाइटी महोत्तरी शाखामे आइसँ पाँच दिना किशोर अवस्थाके यौंन तथा प्रजनन स्वास्थ्य कार्यक्रम विषयक प्रशिक्षक प्रशिक्षण कार्यक्रम शुरु भेल अछि ।
कार्यक्रममे किशोर अवस्थाके परिवर्तन, यौन रोगके अर्थ, जोखिम तथा जटिलतासँ बचयके उपाय, कण्डमके फाइदा आ वेफाइदा विषयमे प्रशिक्षण देल जाऽ रहल अछि ।
नेपाल रेडक्रस सोसाइटी महोत्तरी शाखाक अध्यक्ष दिपक मिश्राके सभापतित्वमे सम्पन्न ओ कार्यक्रममे मन्त्री अमरनाथ कुँवर, विरेन्द्र तिवारी, हरि भुषाल, वालकृष्ण सेढाई, महेन्द्रप्रसाद सिंह आ विजय गुप्ता सहितक वक्तासब बजने छलथि ।

काठ सहित एक तस्कर गिरफ्तार


जलेश्वर, कार्तिक २ । जिल्ला वन कार्यालय महोत्तरीके बर्दिवाससँ खटल गस्ती टोली आइ लाखौं मोल बराबरके सखुवाके काठ सहित एक तस्करके गिरफ्तार केलक अछि । 
बन कार्यालय बर्दिवाससँ खटल सुरक्षा गस्ती टोली आइ बर्दिवास३ मे ज १ त २१४६ नम्बरक टैक्टरमे भारत दिस तस्करी कऽ ल जाएके अवस्थामे रखने करिब ३ लाख मोल बराबरके सखुवाके काठ बरामद केलक अछि । काठ सहित वन टोली काठ तस्कर बर्दिवास८ के श्याम साह कानुके गिरफ्तार कएलगेल जिल्ला वन कार्यालय महोत्तरीक वन अधिकृत विरेन्द्र साह जानकारी देलनि ।

रक्षामन्त्रीके फिर्ता बजाबयके फोरम लोकतान्त्रिकके निर्णय निर्णयप्रति भण्डारीसहितक नेतासब असन्तुष्ट


२ कात्तिक, काठमाडौं । विपक्षी दलसबहक  कडा दबावके बाद मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक राष्ट्रियताबारे विवादास्पद अभिव्यक्ति देने रक्षामन्त्री शरदसिंह भण्डारीके सरकारसँ फिर्ता बजाबयके निर्णय केलक अछि ।

पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल फोरम लोकतान्त्रिक राजनीतिक समितिक बैसारसँ किछ नेतासबहक बहिस्कारक बीच भण्डारीके सरकारसँ फिर्ता बजाबयके निर्णय केलक अछि । बैसारबाद आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे पार्टी अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रियता विरोधी नहि भेल मुदा, विपक्षीसबके कडा सदन अवरोधके कारण शान्ति आ संविधान निर्माण प्रक्रिया अवरुद्ध होबयके अवस्था ऐलासँ रक्षामन्त्रीके फिर्ता बजाबयके निर्णय कएलगेल जानकारी देलनि ।

निर्णयप्रति असहमति जनबैत रक्षामन्त्री भण्डारी, प्रमोदकुमार गुप्ता सहितक किछ नेतासब राजनीतिक समितिके बैसार बहिस्कार केने छलथि । भण्डारीके सामर्थकसब राजनीतिक समितिके निर्णय मधेस विरोधी रहल कहैत  पार्टी कार्यालयमे प्रदर्शन केलक अछि । वायह क्रममे किछ तनाव समेत उत्पन्न भेल छल ।

मधेसक २२ जिल्ला नेपालसँ अलग होबयके निर्णय करत तऽ  कुन कानुन आ संविधान रोकत कहि रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रघाती रहल कहैत विपक्षी दलसब भण्डारीके राजीनामा मँगैत आएल छल ।

विमान दुर्घटनाके छानबिन समिति गठन


काठमाडौ, कार्तिक २ । काल्हि साँझ भेल नेपाली सेनके बिमान दुर्घटना प्रकरणके छानबिन समिति गठन कएलगेल अछि ।

छानबिन  समितिमे पाइलट सहायक रथी सुधिर श्रेष्ठक अध्यक्षतामे सात सदस्यीय छानबिन समिति गठन कएलगेल  सैनिक जनसम्पर्क निर्देशनालयके बिज्ञप्तीमे जनाओलगेल अछि ।

नेपालगंजसँ रोगी लऽ क काठमाडौं दिस जाऽ रहल सेनाक आर.ए.एन.४९ आईलेण्डर विमान दुर्घट्नामे परल अछि । विमानमे सवार सब गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

एसएसबी नेपालीके घर तोडलाबाद माओवादीक विरोध


२ कात्तिक, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी भारतीय सीमा सुरक्षा बल एसएसबी कञ्चनपुरके भिमदत्तनगर नगरपालिका-११ भुजेलामे नेपालीके घर तोडनेमे विरोध केलक अछि ।

माओवादी प्रवत्ता दिनानाथ शर्मा आइ विज्ञप्ती जारी कऽ घटनाके नेपालक राष्ट्रिय अखण्डता, स्वतन्त्रता आ सार्वभौमिकता उपरके हस्तक्षेप, सीमाक्षेत्रके वासीसबके शान्तिपूर्ण बाँचय पाबयके अधिकारक हरण आ अन्तर्राष्ट्रिय कानुन समेतके उल्लघन रहल बतौलनि अछि ।

दु देशबीचक सम्बन्धके सुमधुर आ सुदृढ करयके सन्दर्भमे प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईसँ होबय जाऽ रहल भारतक भ्रमणके पूर्वसन्ध्यामे भारतीय सीमा सुरक्षाबलसँ अहि प्रकारक क्रियाकलाप होनाइ बिडम्वनापूर्ण रहल  माओवादीक कहब अछि ।

एहन क्रियाकलापसँ दु देशबीचक सम्बन्धमे असहजता मात्रे उत्पन्न कराओत कहैत माओवादी ओइके अबिलम्ब रोकय भारत सरकारसँग आग्रह समेत केलक अछि । आसिन ३० गते एसएसबी कञ्चनपुरके भिमदत्तनगर-११ भुजेलामे अनधिकृत रूपमे प्रवेश कऽ नेपालीके तीन टा घर तोडिदेने छल ।

सामान्य ज्ञान - नेपालीमे


नेपालको सबैभन्दा ठूलो सिमेन्ट कारखाना कुन जिल्लामा पर्दछ ?
- उदयपुर
चिया खेतीमा प्रसिद्धी पाएको जिल्ला कुन हो ?
- इलाम
प्रशासन सुधारका लागि बुच कमिशन कहिले गठन भयो ?
- २००९ सालमा
नेपालको प्रतिस्पिर्धी क्षमता भएको क्षेत्र कुन हो ?
- जलश्रोत
गोभरगाढा भन्ने स्थान कुन जिल्लामा पर्छ ?
- सप्तरी
विश्व हुलाक संघमा हाल कति वटा राष्ट्रले सदस्यता लिएका छन्
- १८९
विश्वमा सबैभन्दा बढी टेलिफोन प्रयोग गर्ने देश कुन हो ?
- स्वीडेन
नेपाल राष्ट्र बैंकका प्रथम गर्भनरको नाम के हो ?
- हिमालय शंमशेर जबरा
२००७ सालको आन्दोलन कस्को नेतृत्वमा कहिलेदेखि प्रारम्भ भयो ?
- मातृकाप्रसाद कोइराला२००७ साल कार्तिक २५ देिख
एसियामा हालसम्म कति पटक ओलम्पिक खेल सम्पन्न भयो ?
- तीन पटक
एसियामा हालसम्म कति पटक ओलम्पिक खेल सम्पन्न भयो ?
- तीन पटक
नेपालको १६ औ राष्ट्रिय विभुती को हुन् ?
- -फाल्गुनन्द
क्षेत्रफलको हिसावले सार्कको दोस्रो सानो राष्ट्र कुन हो?
- -भुटान
राज्यको पुनसर्ंरचना तथा संघीय शासन प्रणाली पछिको स्वरुपसम्बन्धी विषयको अन्तिम टुङगो कसले निर्धारण गरे बमोजिम हुने छ ?
- संविधान सभा

१४ औँ एसियाली खेलकुद प्रतियोगितामा नेपालले कति पदक प्राप्त गर्न सफल भयो ?
- -३ कास्य
माहुरीले कुन रङग छुट्याउन सक्दैन ?
- -पहेलो
६ माहुरीले कुन रङग छुट्याउन सक्दैन ?
- -पहेलो
५ वेहोस अवस्थामा रहेको बिरामीको व्यवस्थापन गर्दा सबभन्दा पहिले कुन कुरालाई ध्यान दिनुपर्छ ?
- -श्वासप्रश्वास
४ सौर्य सम्वत् ३६५ दिनको हुन्छ भने चन्द्र सम्वत् कति दिनको हुन्छ ?
- -३५४ दिन
३ नेपाली भाषाको व्याकरण लेखनमा कलम चलाउने प्रथम विदेशी बिद्धान को हुन् ?
- -जे.एन.एटन

फोरम लोकतान्त्रिक आइ महोतरीक जलेश्वरमे बिरोध प्रदशर्न केलक


२ कातिक , जलेश्वर । मधेशी जनाधिकार फोरम लोकतान्त्रिक आइ महोतरीक जलेश्वरमे बिरोध प्रदशर्न केलक अछि ।

रक्षामन्त्रीक अभिब्यक्तिके बिरुद्धमे काँग्रेस तथा एमालेद्धारा भऽ रहल सँसद अबरुद्धक बिरोधमे फोरम लोकतान्त्रिक आइ जलेश्वरमे बिरोध प्रदर्शन केलक अछि । सँसद अबरोध जारी रहत तऽ तराइसँ पहाडके जोडयबला बिभिन्न नाकासब बन्द करयके आ बिरोध प्रदशर्न जारी राखयके पार्टी जनौलक अछि । रक्षामन्त्रिके अभिब्यक्तिके बिभिन्न दलसब घुमा फिरा कऽ प्रस्तुत कऽ रहल आरोप सेहो पार्टि लगौलक अछि ।

पार्टी अहिसँ आगु काल्हि महोतरीके बर्दिबासमे सेहो पुर्व पश्चिम राजमार्ग २ घण्टा जाम केने छल ।

समानताके आधरामे लडाकु समायोजन करय परतः पौडेल


गोरखा, कार्तिक २ । कांग्रेसक उपसभापति एवम् काँग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल क्यान्टोनमेन्टमे रहल माओवादी लडाकुके समायोजन सम्मानके रूपमे नहि भऽ समानताके आधारमे हाएत बतौलनि अछि ।

प्रेस युनियन गोरखाद्वारा आइ गोरखाके गोरखाकाली मन्दिरमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ माओवादी शान्तिप्रक्रियाके लेल नरम बनल कहने मुदा व्यवहारमे नहि देखलगेल आरोप लगौलनि 

सेना समायोजनके लेल पहिने तह निर्धारण करय परत आ ओकर बाद सङ्ख्या तोकयपरत पौडेलक कहब अछि । 

ओ क्यान्टोनमेन्टमे १९ हजार लडाकु नहि रहल आ रहलोमेसँ केउ दृष्टिविहीन, अपाङ्ग, धियापुता रहल कहैत सबके नेपाली सेनामे समायोजन करय नहि मिलत बतौलनि ।

अलग अलग दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु


२ कात्तिक, सिरहा । सिरहाके दु अलग अलग स्थानमे  भेल सवारी दुर्घटनामे  दु गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यलय सिरहा चोहर्वा-सिरहा सडकखण्डके पानवारीसँ चोहर्वादिस जाऽ रहल स १ त ११०५ नम्बरक ट्रयाक्टर स १ प ९२६१ नम्बरक मोटरसाइकलके ठक्कर देलासँ  ओइमे सवार भारत सितापुरके २६ वर्षक सुरेन्द्र यादवके मृत्यु भेल जनौलक अछि । ठक्करसँ गम्भीर घाइल भेल यादवके इलाजक लेल मिर्चैया लऽ जाइत काल  बीच बाटमे मृत्यु भेल अछि ।

ओम्हर पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत लहानस्थित हस्पिटल चोकके मोटरसइकलके ठक्करसँ पैदल यात्रीके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु होबयबलामे भारत रक्सौलके अर्जुन यादव रहल  पुलिस जनौलक अछि । स २ प ९५२९ नम्बरक मोटरसइकलके ठक्करसँ गम्भीर घाइल भेल यादवके लहानस्थित एक स्वास्थ्य संस्थामे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल अछि । दुर्घटनामे संलग्न दुनु सवारी साधन आ चालक पुलिसक नियन्त्रणमे अछि ।

प्रधानमन्त्रीक भारत भ्रमण आगुए महत्वपूर्ण सहमति हाएतः प्रचण्ड


२ आसिन, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके भारत भ्रमण आगुए दलसबबीच शान्ति आ संविधान लेखनके विषयमे महत्वपूर्ण सहमति हाएत दाबी कएलनि अछि ।

पोखरामे आइ सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत अध्यक्ष प्रचण्ड कांग्रेस एमालेसँग काल्हि भिन्सर धरिमे शान्ति आ संविधानबारे ठोस सहमति हाएत बतौलनि । शान्ति प्रक्रिया जटिल मोडमे पहुँचल कहैत  प्रचण्ड तत्काल राजनीतिक सहमति कायम कऽ निकास देबय अपने आ अपन पार्टी गम्भीर रहल बतौलनि । सेना समायोजनके विवादित विषयमे दलसब सहमति नजदिक पहुँचगेल जिकिर करैत प्रचण्ड लडाकु पुर्नवर्गीकरणकार्य तत्काले सुरु हाएत बतौलनि । संविधान लेखनमे सेहो पैघ विवाद नहि रहल कहैत ओ सब विषय राजनीतिक सहमतिमे पुरा होबयके विश्वास व्यक्त कएलनि ।

सैनिक विमान दुर्घटनाः विमानमे रहल सबके मृत्यु


बागलुङ, कार्तिक २ नेपालगञ्जसँ रोगसबके लऽ काठमाडौं जाऽ रहल नेपाली सेनाक आर.ए.एन ४९ आईलेण्डर बिमान दुर्घटनाम विमानम सवार सम्पुर्ण गोटेके मृत्यु भेल अछि । विमानम रह सब गोटेके शव भेटगेल नेपाली सेना जनौलक अछि

विमान सदरमुकाम सँ ३६ कोष पश्चिमम रह बोबाङक ढोरपाटन नजदिकके चौधुल धुरी कहायबला स्थानम काल्हि साँझ सवा सात बजे दुर्घटना भेल प्रहरी नायव उपरीक्षक उमाप्रसाद चर्तुवेदी बतौलनि । अखनधरि  पुलिसके ४ गोटेके शब भेट चुकल अछि

विमानम चालक दलक मेजर दिवाकर कार्की विशाल सिंह राठोर छलथि तऽ रोगी केशव ऐरी, रोगीके भैया रामबहादुर ऐरी, डा. रविता पाठक मिलन गोतामे छल ।

घटना स्थलमे बितल राति १२ बजे उद्धारके लेल गेल पुलिसके बिमानके टुक्रा, मेजर दिवाकर कार्कीक परिचयपत्र सहितक ब्याग आ एकगोटेके शव भेटल छल  

स्थानीय लालकुमारी थापाके अनुसार बिमान पैघ आवाजके सँग विष्फोट भआगि लागल छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन