Tuesday, October 11, 2011

कोजग्रातके भार लऽ जाइत एक गोटे


फोटो सँसार


बेपत्ता नागरिकके परिवारसँग प्रधानमन्त्रीक भेट


काठमाडौ, आश्विन २४ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईसँग सहिद, घाइल तथा बेपत्ता नागरिकके परिवार आइ भेट कऽ बेपत्ता नागरिक खोजबिन आयोग आ सत्य निरुपण तथा मेलमिलाप आयोग गठन करय माँग केलक अछि।  

प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे भेल भेटमे ओसब सरकार शान्ति सम्झौताके मर्मअनुरुप अखनधरि ओ आयोग गठन नहि भेल शिकायत कएने छल।  

प्रधानमन्त्री भट्टराई द्वन्द्वके क्रममे भेल मानव अधिकारक उल्लङ्घन करयबलाके कारबाही करय सरकार तयार रहल राज्यद्वारा बेपत्ता योद्धा परिवार समाजक अध्यक्ष एकराज भण्डारी बतलनि ।

गणतन्त्रके स्थापना करय लेल सहिद बहेने खुनके मूल्य कोनो हालतमे बर्बाद होबय नहि देब बतबैत प्रधानमन्त्री भट्टराई सहिद तथा ओकर आश्रित परिवारके राज्यके दिससँ उचित राहतके व्यवस्था करयके जानकारी करौने भेटमे सहभागी भण्डारी बतौलनि ।

भण्डारीके अनुसार प्रधानमन्त्री राजनीतिक दलसबहक बीचमे सहमति होबय नहि सकलासँ बेपत्ता खोजबिन आयोग आ सत्य निरुपण आयोग बनय नहि सकल बतौलनि अछि ।

सरकार राहतमे समानता कायम करयके उद्देश्य अनुरुप प्रत्येक वर्ष राहत रकममे वृद्धि करैत ल जाऽ रहल आ इ क्रम निरन्तर आगु बढत प्रधानमन्त्री बतौलनि ।

भेटमे करिब २ सय गोटे सहिद, बेपत्ता तथा घाइल परिवारके सदस्यसब सहभागी छल ।

'अगहन १४ मे सेहो संविधान नहि बनत'


कास्की, आश्विन २४ । नेकपा एमालेक महासचिव ईश्वर पोखरेल अगहन १४ मे सेहो संविधान निर्माण नहि हाएत दाबी कएलनि अछि । ओ संविधान निर्माणक लेल कोनो उपलब्धी होबय नहि सकलासँ तोकल मितिमे संविधान नहि बनत दाबी केलनि अछि ।

एमाले क्षेत्र नम्बर ३  आइ पोखरामे केने  पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे बजैत  एमाले नेता पोखरेल  शान्ति प्रकृया पुरा करय ठोस उपलब्धी किछ नहि भेलासँ संविधान नहि बनत जिकीर कएलनि । 

'लडाकु व्यवस्थापन सहितक मुद्धामे माओवादी जिम्मेवार नहि देखलगेल अछि कहैत ओ 'माओवादीके शान्ति प्रंकृयामे इमान्दार नहि होबयधरि संविधान निर्माण नहि हाएत बतौलनि ।

ओ अगहन १४ मे संविधान निर्माण  नहि हाएत तऽ सब जिम्मा माओवादीके लेबय परत कहैत कांग्रेस आ एमाल ओइके भागी नहि हाएत बतौलनि ।

अगहन १४ बाद माओवादीके अतिवादी सोचके कारण  देशमे गम्भीर संकट उत्पन्न होबय सकयके तर्फ  संकेत कएलनि ।

मलंगवा-नवलपुर सड्क निर्माण सुरु


सर्लाही, आश्विन २४ । पूर्व पश्चिम रामजार्गसँ सदरमुकाम जोडयबला मलंगवा नवलपुर सड्क भारतीय सहयोगमे पक्की बनाबयके काज सुरु भेल अछि ।

भारतीय ठेकेदार कम्पनी राइट्स लिमिटेड ओ सड्क निर्माणक ठेक्का लेने अछि । ठेकेदार कम्पनीके मलंगवा नवलपुर २५ किलोमिटरके सड्क बनाबऽ तीन बर्षके समयसिमा तोकलगेल अछि ।

नयाँ बनयबला सड्क साढे ५ मिटर चौडाईके हाएत आ पक्की सड्कके दुनु कातमे साढे एक मिटरके फुटपाथ रहत ठेक्का सम्झौतामे अछि ।

लम्बा समयसँ सड्क टुटि कऽ समस्या भोगैत आएल स्थानीय बासीसब सड्क बनय लगलाबाद खुशी भेल अछि ।

प्रहरी अधिकारी उपर बलात्कारक आरोप ।। रक्षक बनल भक्षक


इनरुवा, आश्विन २४ । पुलिसमे जाहेरी देबय गेल एक युवती जाहेरी सुनयबला प्रहरी अधिकारी अपनाके बलात्कार केने आरोप लगौलिह अछि ।

पुलिसमे जाहेरी देबय गेल एक १७ वर्षक चौधरी थरके युवती सुनसरीके चिमडी स्थित इलाका प्रहरी कार्यालयके प्रमुख प्रहरी नायव निरीक्षक वावुकाजी कोइराला बलात्कार केने आरोप लगौलिह अछि । बलात्कार केने आरोप लागल कोइरालाके सुनसरी पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

अपन मोवाइल लुटने बिषयमे कलस्थापन  दिन इलाका प्रहरी कार्यालय चिमडीमे माए संगै उजुरी देबय गेल समय सई कोइराला अलगे कोठलीमे ल ऽ जा कऽ अपनाके बलात्कार केने  स्थानीय ओ युवती आरोप लगौने सुनसरीके प्रहरी उपरीक्षक राजु मानन्धर बतौलनि अछि । घटनाक जानकारी पबिते वायह दिन कोइरालाके नियन्त्रणमे लऽ अनुसन्धान सुरु कएलगेल उपरीक्षक मानन्धर बतौलनि ।

पीडित युवतीके स्वास्थ्य जाँच कएलगेल आ अखन ओ आरेक नेपालक संरक्षणमे रहल जानकारी देलनि । मेडिकल रिर्पोट अएलाबादे बास्तबिक बात स्पष्ट हाएत प्रहरी उपरीक्षक मानन्धर बतौलनि ।


मन्त्री साहविरुद्ध छानबिन मिसिल पुलिसके बुझाओल गेल


वीरगन्ज, आश्विन २४ । भूमिसुधार तथा व्यवस्थामन्त्री प्रभु साह समेतके संलग्नता रहल कहलगेल काशी तिवारी हत्या प्रकरणके मिसिल पुलिस जिल्ला न्यायाधिवक्ता ओमप्रसाद अर्यालके बुझौलक अछि ।

पुलिस मिसिल बुझैबती पर्सा न्यायाधिवक्ता अर्याल 'औपचारिक रूपमे नहि आएल' दाबी केलनि अछि ।

प्रहरी उपरीक्षक रमेश खरेल आवश्यक थप अनुसन्धान सहित मिसिल बुझौने बतौलनि । पुलिस मन्त्री साह, हुनक स्वकीय सचिव सियाराम कुशवाहा आ अमनके अभियुक्त बना मुद्दा दायर करय अनुसन्धान प्रतिवेदन सरकारी वकिलके बुझौलक अछि । हातमै मिसिल दैतो न्यायाधिवक्ता अर्याल 'औपचारिक रूपमे  नहि पौअने  पत्रकारके प्रतिक्रिया देलाबाद प्रहरी अधिकृत निराश देखल गेल छल ।

पुलिस बुझौने प्रतिवेदनमे तिवारी हत्या प्रकरणमे मन्त्री साह योजनाकार देखलगेल उल्लेख अछि । पुलिस बितल १० गते प्रतिवेदन पेस करितो जिल्ला सरकारी वकिलके कार्यालय ६ बुँदामे थप अनुसन्धान करयके कहैत मिसिल फिर्ता पठौने छल ।

बितल भादव २१ मे गिरफ्तार भेलाबाद अमन बाराके सिमरास्थित वाईसीएल क्याम्पमे प्रभु आ सियारामसँग बनौने योजना अनुसार दु लाख रुपैयाँ नगदके सम्झौतामे अपने बाइक चलौने आ पबछु बैसल सियाराम तीन गोली मारि कऽ तत्कालीन हिन्दु युवा संघक अध्यक्ष तिवारीके हत्या केने बयान देलक अछि । बितल भादव १० मे सरकारी वकिलके बयान देबयके क्रममे सेहो अमन मन्त्री साहके संलग्नता रहल बतौने छल ।

दाङमे आइ भेल बस दुर्घटनामे १६ गोटे घाइल


२४ आसिन दाङ । दाङमे आइ भेल बस दुर्घटनामे १६ गोटे घाइल भेल अछि ।

काठमाण्डौंसँ तुलसीपुर आबि रहल ना २ ख ९६४५ नम्बरक बस भिन्सर दाङके ग्वार नदीमे उनटलासँ १६ गोट यात्रु घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि ।

घाइल होबयबलामे विजौरीके जमुना भुसाल, राधिका भुसाल, शारदा चौधरी, पुरन्धाराके गंगाराम डाँगी, मानपुरके रिता चौधरी, श्रीजना चौधरी, फुलमति चौधरी, उमा चौधरी आ वसन्त केसी रहल अछि ।

 अहिना घोराही नगरपालीका ६ के खड्गबहादुर राना, डुरुवाके पर्सुराम चौधरी, शान्तिनगरके शान्ति पुन, चौलाहीके छविलाल चौधरी, प्रेमकुमार चौधरी आ सल्यान काभ्रेके हर्कबहादुर पुन रहल पुलिस जनौलक अछि । घाइल सबके राप्ती अञ्चल अस्पताल तुलसीपुरमे इलाज  भऽ रहल इलाका प्रहरी कार्यालय तुलसीपुर जनौलक अछि ।

एनआरएन उम्मेदवारसब चुनाव प्रचारमे ब्यस्त


२४ आसिन, काठमाण्डौ । काल्हिसँ  सुरु होबयबला गैरआवासीय नेपाली संघ-एनआरएन के पाँचम बिश्व सम्मेलनके लेल काठमाण्डौंमे जम्मा भेल बिश्वभरिके नेपालीसबहक चुनावी महल गरमाएल अछि ।

चुनावके पूर्वसन्धयामे बिभिन्न ५३ टा देशसबसँ नेपालमे आएल अधिवेशन प्रतिनिधिसब कुन उम्मेदवारके सहयोग करयके बिषयमे समुह समुहमे बिमर्श कऽ रहल अछि । अध्यक्ष, उपाध्यक्ष, महासचिव, कोषाध्यक्ष तथा क्षेत्रीय संयोजकके पदमे बिभिन्न देशमे रहयबला एनआरएनसब अहिसँ आगुए अपन अपन उम्मेदवारी एजेण्डा सहित घोषणा केने कारण उम्मेदवारीके औपचारिक दर्ता आगुए चुनावी माहौल गरमाएल अछि ।

अध्यक्षमे वर्तमान अध्यक्ष देवमान हिराचन आ उपाध्यक्षमे जीवा लामिछाने उम्मेदवारी देलनि अछि तऽ दु उपाध्यक्षके लेल बिभिन्न देशके चारि गोटे, महासचिवके लेल दु गोटे आ कोषाध्यक्षके लेल तीन गोटे उम्मेदवारी देलनि अछि ।

हिराचनके उम्मेदवारी फिर्ता लेबय लगा कऽ जीवा लामिछाने सहित सव टीम सर्वसम्मतसँ चयन करयके सेहो प्रयास भऽ रहल अछि ।

अहिबिच बिभिन्न देशसँ एनआरएन सम्मेलनमे सहभागी होबय आएल प्रतिनिधिसबहक दर्ता करयके अन्तिम समय आइ साँझ ५ बजेधरि रहल अछि । ५३ देशसँ करिव ८ सय प्रतिनिधिके दर्ता कराबयके अनुमान एनआरएन सचिवालय केने अछि ।

मोटरसाईकल दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु


२४ आसिन, दाङ । दाङमे बितलराति मोटरसाईकल दुर्घटनामे परि २ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

नेपालगन्जसँ अमिलिया होइत तुलसीपुर जा ऽ रहल बा २५ प ८५५ नम्वरक मोटरसाईकल टरीगाउँ १ मे दुर्घटना भेलासँ दाङ धनौरी ७ के चित्रबहादुर सार्की आ लिवाङ ६ रोल्पाके सुनिलकुमार थापाके मृत्यु भेल अछि ।

थापाके घटनास्थलेमे आ सार्कीके राप्ती अञ्चल अस्पताल तुलसीपुरमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय तुलसीपुर जनौलक अछि ।

अहिबीच बितलराति दाङके देउखुरी गढवा ९ भोजपुर निवासी बीस वर्षक युवा तीलक थापाके अज्ञात ब्यक्ति गर्दनमे धरगर हतियार प्रहार कऽ हत्या केलक अछि । बेला ३ मरारी नदीमे लागल मेला देखय गेल थापाके राति करिब १२ बजेके समयमे हत्या कएल गेल पुलिस जनौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन