Tuesday, August 09, 2011

सोनक मोल ५० हजार लग


काठमाडौं, श्रावण २४ । सोनक मोल आइ फेउर बढलाबाद ५० हजारक आसपासमे एकर मोल पहुँचल अछि । आइ एके दिनमे तोलाके १९ सय रुपैयाँ बढि कऽ सोनक मोल ४९ हजार ४ सय भेल अछि ।

नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी संघक अनुसार आइ छापावाल सोन प्रतितोला ४९ हजार ४ सय,  तेजावी ४९ हजार १ सय ८७ आ असली चाँदी ११ सय ३५ रुपैयाँके दरमे कारोबार केलक अछि 

युरोप आ अमेरिकी डलरमे देखलगेल आर्थिक मन्दीक कारण अन्तर्राष्ट्रिय सेयर बजारमे गिरावट अएलासँ, अन्य मुद्राके तुलनामे डलर कमजोर भेलासँ मोलमे उच्च वृद्धि भेल अछि ।

सुविधाके गाडी फिर्ता करय पूर्वमन्त्रीसबके निर्देशन


काठमाडौं, श्रावण २४ । व्यवस्थापिका संसद्के अर्थ आ श्रम सम्बन्ध समिति पूर्व मन्त्री तथा सरकारी कर्मचारी प्रयोग करैत आएल सुविधाके गाडी फिर्ता करय निर्देशन देलक अछि ।

समितिक मंगलबार बैसल बैसारसँ १५ दिनभितर दुरुपयोग भऽ रहल सुविधाके सवारी फिर्ता करय निर्देशन देलक अछि । सरकारी सेवासँ बञ्चित भेलाबाद १५ दिनभितर सुविधाके सवारी फिर्ता करयके होइतो एखनधरि फिर्ता नहि केने पूर्व उपप्रधान मन्त्री तथा मन्त्रीसबके निर्देशन देने समिति सभापति सुशीला कन्दङ्वा जानकारी देलनि ।

समिति सरकारी संस्थान तथा विकास परियोजना देने गाडी सेहो फिर्ता लाबय निर्देशन देलक अछि । ओ दुरुपयोग भऽरहल गाडी फिर्ता आनि कऽ नयाँ वितरणमे सेहो रोकय निर्देशन देने अछि ।

बैसारसँ सरकारी सवारीके विमा व्यवस्था करय तथा सरुवा होबयबला सरकारी कर्मचारीके पुराने सवारी प्रयोगके व्यवस्था मिलाबय समेत निर्देशन देलक अछि । समिति सरकारी सवारीके अनुगमन प्रभावकारी नहि भेल कहैत चिन्ता व्यक्त केलक अछि ।



कांग्रेस केन्द्रीय समितिक बैसार सम्पन्न


२४ साउन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक आइ बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे राज्य पुनःसंरचना आ शासकीय रुवरुप बारेके अवधारणापत्र सदस्यसबके अध्ययनके लेल वितरण कएलगेल अछि ।

पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे भिन्सर करिब दु घण्टाधरि चलल बैसारमे राज्य पुनःसंरचना सम्बन्धी अवधारणापत्र बाँटलगेल केन्द्रीय सदस्य डा. नारायण खड्का जानकारी देलनि । अवधारणापत्र अध्ययन क परसु बृहस्पतिदिन बैसयबला  बैसारमे ओइबारेमे अपन धारणा प्रस्तुत करय सदस्यसबके कहलगेल अछि ।

अहिस आगु रबिदिन बैसल बैसारमे उपसभापति एवम् संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल नेतृत्वक समिति ओइ सम्बन्धी अवधारणापत्र प्रस्तुत केने छल । प्रस्तावमे राजधानीके हटले प्रदेशसहित देशके ७ प्रदेशमे बाँटय सकयके उल्लेख अछि ।

केन्द्रीय समिति पारित केलाबाद ओ अवधारणामे सहमति जुटाबय संधिवानसभामे प्रतिनिधित्व कएनिहार सब दलसँग बिमर्श कएल जाएत खड्का बतौलनि । बैसार आगामी बृहस्पतिदिन फेउर बैसय जका स्थगित कएलगेल कांग्रेस जनौलक अछि ।

त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे तालाबन्दी


२४ साउन, काठमाडौँ । सरकार राजनीतिक आस्थाके आधारमे मनोमानी ढंगसँ विश्वविद्यालयसबमे उपकुलपति नियुक्ति केने कहैत एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेपाली कांग्रेस निकट प्राध्यापकसब त्रिभुवन विश्वविद्यालयमे तालाबन्दी केलक अछि ।

माओवादी निकट नेपाल राष्ट्रिय प्राध्यापक संगठन आ प्रजातन्त्रवादी प्राध्यापक संघ आइ किर्तिपुरस्थित त्रिभुवन विश्वविद्यालय केन्द्रीय क्याम्पसक मुल गेट आ प्रशासन कक्षमे अनिश्चितकालीन तालावन्दी केलक अछि । सरकार काल्हि सोमदिन मात्रे सात टा विश्वविद्यालयमे रिक्त रहल उपकुलपतिमे नियुक्ति केने छल ।

माओवादी सत्ता साझेदार दलसँग समन्वय बिना केनेही  एकपक्षीय रुपमे उपकुलपति नियुक्र कएलगेल कहैत आपत्ति जनौलक अछि । अहिना कांग्रेस राजीनामा देबयके घोषणा क चुकलासँ  सरकार विश्वविद्यालय जेहन महत्वपूर्ण निकायमे पदाधिकारी नियुक्ति केनाइ बेइमानीपूर्ण कार्य रहल  टिपणी केलक अछि ।

प्राध्याकपकसब अन्य विश्वविद्यालयसबमे सेहो तालाबन्दी कएल जाएत चेतावनी देलक अछि । हाल कएलगेल नियुक्ति फिर्ता नहि करयधरि आन्दोलन जारी राखल जाएत ओकरसबहक  अडान अछि ।

मोडल




महाभारत जंगलमे बाबुराम पक्षक क्षेत्रीय भेला


डडेल्धुरा , श्रावण २४ । माओवादी उपाध्यक्ष बाबुराम भट्टराई भावी प्रधानमन्त्री दाबी क ऽ रहल समय डडेलधुराके महाभारत जंगलमे सुदूरपश्चिमके बाबुराम भट्टराई पक्षधर नेता कार्यकर्तासबहक गोप्य जमघट सुरु भेल अछि ।
जमघटमे सहभागी होबय माओवादी पोलिटब्यूरो सदस्य देबेन्द्र पौडेल डडेलधुरा पहुँचल छथि । जमघट आइ भिन्सरेसँ सुरु भेल अछि । डडेलधुरा सदरमुकामसँ ८ किलोमिटर दुर रजोडा गाउँ लग सुरु भेल अछि ।

  डडेलधुरा, डोटी, बैतडी, बाजुरा, बझाङ, दार्चुला अछाम आ कैलालीके माओवादी नेता कार्यकर्तासहित करिब डेढसयसँ बेसीके सँख्यामे सहभागी रहल बाबुराम पक्षधर कार्यकर्ता गणेश भट्ट जमघट स्थलसँ जानकारी देलनि अछि । जमघटमे बाबुराम भट्टराई प्रस्तुत केने शान्ति आ संविधान निर्माणक कार्यदिशाके बारेमे बिमर्श हाएत कहलगेल होइतो अन्य जानकारी आबय नहि सकल अछि ।
 गोप्य कहलगेल जमघट पार्टीके लाइन बिपरीत रहल कहैत संस्थापन पक्षीय नेता कार्यकर्तासब जमघट अबैधानिक रहल बतौलक अछि ।


यूथफोसद्वारा दु सवारी आ एक दोकानमे तोडफोड, २२ पक्राउ


साउन २४ बिराटनगर । यूथ फोर्सक कार्यकर्ता बन्दमे  सवारी चलौने कहैत २ टा गाडीमे तोडफोड केलक अछि त एक होटलमे समेत क्षती पहुँचौलक अछि । तोडफोड बढ्य लगलाबाद स्थितिके नियन्त्रणमे लेबय पुलिस यूथ फोर्स मोरङके अध्यक्ष रविन थापा सहित २२ गोटेके नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

पत्रकार खिलानाथ ढकाल उपरके आक्रमणके मुख्य योजनाकार युथफोर्स मोरङके उप संयोजक पर्शुराम बस्नेत विरुद्ध परल उजुरी फिर्ता होबयके माँग करैत युवासंघ मोरंङ आइ विराटनगर बन्दक आव्ह्रान केने अछि ।

बन्दक क्रममे युथ फार्सक कार्यकर्ता भिन्सर विराटनगर ४ कन्यामार्ग लग बेमारी लऽ कोशी अंचल अस्पताल जा रहल को १ च ४५३० नम्बरक मारुती भ्यानमे तोडफोड केलक अछि । ओसब लगेके थापा होटलके सोकेस सेहो फोरफार केलक अछि ।

महेन्द्र चौकमे ओसब वि आर ११ ५६०९ नम्बरक भारतीय बोलेरो जीपके सेहो शिशा फोरि कऽ चाबी छिनने छल । नीजि सवारी तोडफोड आ चाबी छिनय लगलाबाद स्थितिके अराजक होबयसँ रवकय बन्द कर्ताके गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि । बन्दक कारण शैक्षिक संस्था, बजार दोकानसब ठप्प रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन