Sunday, November 27, 2011

जेलमें आब रोबोट कैदीसब पर नजर राखत


११ अगहन जनकपुरधाम । दक्षिण कोरियाके पोहांग शहरके जेलमें आब रोबोट कैदीसब पर नजर राखत । अनुसन्धानकर्ताक कहब अछि जे  इ मशीन सुरक्षाकर्मीके कामके बोझके कम करयमे मदत पहुँचाओत ।

दक्षिण कोरियाई अनुसन्धानकर्ताक संगठन एशियन फ़ोरम फॉर कोरक्शनंस जेलमें परीक्षणके लेल पांच फुट उंच तीन टा  रोबोट बनौलक अछि ।

इ संगठन अपराध आ जेलके नीती पर काम करैत अछि । अनुसन्धानकर्ताक अनुसार इ रोबोट ४ पहिया पर चलैत अछि आ अहिमे कैमरा आ सेंसर प्रणाली जडान कएल गेल अछि । अइके मददसँ रोबोट कैदीसब पर हिंसा आ आत्महत्या जेहन ख़तरनाक व्यवहारके पता लगाबय सकैत अछि ।

अइ रोबोटके डिज़ाइन करयबला  क्योंग विश्वविद्यालय के टीम के प्रो. ली बायक छू के कहब अछि जे गड़बड़ी भऽ रहल पता चलला पर इ रोबोट सुरक्षाकर्मीके चौकन्ना कऽ दैत अछि ।

हुनकर कहब छन्हि जे ' एकर प्रमुख ऑपरेटिंग सिस्टमके बनाबयके काम करिब पूरा भऽ चुकल अछि आ आब अहिमे कैदीके लेल बेसी अनुकूल बनाबयके लेल सुधारयके कोशिश कएल जाऽ रहल अछि ।'
दक्षिण कोरिया दुनियामें रोबोट उद्योगमें अपन अग्रता बनल रहेय सोचके साथ समय समय पर एहन अबिष्कारसब करैत रहैत अछि ।


राज्य पुनर्संरचना आयोगक पहिल बैसार बसिरहल


११ अगहन, काठमाडौँ । राज्य पुनर्संरचना आयोगक पहिल बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि । बैसार बेरियाक ३ बजे बाद ललितपुरक जावलाखेलमे बैसवाक तय भेल अछि ।

आयोगक अपन कार्यालय नहि भेलासँ जावलाखेलके स्टाफ कलेजमे कार्यालय स्थापना कऽ बैसार बैसय लागल सदस्य मल्ल के सुन्दर जानकारी देलनि । आजुक बैसारमे आयोगक कार्यविधि ठोस करयके विषयमे बिमर्श हाएत ओ बतौलनि । सरकार बितल गहन ६ गतेमे प्रमुख तीन दलसहित मधेसी मोर्चाके सिफारिसमे अध्यक्ष विहीन ८ सदस्यीय आयोग गठनक निर्णय केने छल ।

मुदा, दलित नहि रहल कहैत विरोध भेलाबाद एक गोटे दलित सदस्य थप करयके निर्णय दलसब केने छल । आजुक बैसारमे आठ सदस्यमात्रे सहभागी हाएत । आयोग अध्यक्षमे सबके दाबी परलाबाद दलसब हालके लेल  संस्कृति मन्त्रालयके सचिवक संयोजनमे बैसार बैसयके सहमति केने छल । सहमित अनुसार बैसारक संयोजन संस्कृति सचिव दिनेशहरि अधिकारी करताह । आयोगके राज्यपुनसँरचनाक विषयमे प्रतिवेदन तयार करय २ महिना समयसीमा उलपब्ध कराओलगेल अछि ।

लम्बा समयसँ गाविस सचिव भत्ता वितरण नहि केने खुलासा


एसवी गौतम

११ अगहन सिन्धुली । सिन्धुलीके वेलघारी गाविसके सचिव लम्बा समयसँ बद्धा भत्ता नहि बँटने रहस्य खुजल अछि ।

जिल्ला विकास समिति सिन्धुली पहिल चौमासिक अन्र्तगत दशै आगुए गाविस सचिव विष्णु भण्डारीके चेक उपलव्ध करिबतो बृद्धवृद्धासब भत्ता पाबय नहि सकल अछि । वेलघारी गाविसके भण्डारीके दशै आगुए चेक उपलव्ध करा चुकल  जिविसके योजना अधिकृत भुपेन्द्र बस्नेत बतौलनि  । दशै आगुए लऽ गेल रकम किया नहि बँटने कहैत बस्नेत आश्चर्य व्यक्त कएलनि । साउन महिनासँ कात्तिक महिनाधरिके  मासिक पाचँ सयके दर सँ दु हजार रुपैयाँ पाबयके चाही मुदा गाविस सचिव अखनधरि रकम नहि देने वृद्ध खुबिर तामाङ उपराग देलनि । 

अपराध नियन्त्रण करय नवलपरासीके कावासोतीमे स्क्रिन अप्रेशन


नवीन पौडेल

११ अगहन नवलपरासी । ईलाका प्रहरी कार्यालय कावासोती नवलपरासी अपराध आ सवारी दुर्घटना न्युनिकरणके लेल स्क्रिन अप्रेशन शुरु करय लागल अछि ।

लागू औषधमे युवासब फँसैत गेल आ घरेलु हिंसाके उजुरीसब पुलिस लग बेसी आबय लगलाबाद पुलिस एहन अप्रेशन करय लागल अछि । अप्रेशन अन्तर्गत लागु औषध कारोवार, घरेलु हिंसा, खुल्ला घरेलु मदिरा विक्री वितरण , जूवा तास आ सवारी दुर्घटनाके न्युनिकरण करयके रहल ईलाका प्रहरी कार्यालय कावासोतीक प्रहरी नायव उपरीक्षक मुकुन्द मरासिनी जानकारी देलनि । नवलपरासीके कावासोती, शिवमन्दिर, पिठौली, प्रगतिनगर सहितक गाविसमे पहिल चरणक अप्रशेन शुरु कएल जाएत ओ बतौलनि । 

तेसर डिभिजनमे लडाकु वर्गिकरण अन्तिम चरणमे


ध्रुवराज खनाल

११ अगहन चितवन । चितवनके तेसर डिभिजनमे लडाकु वर्गिकरणके काम अन्तिम चरणमे पहुँचल अछि ।

हालधरि ३ हजार २ सय ८८ लडाकुके वर्गिकरण सम्पन्न भऽ चुकल अछि । काल्हि मात्रे ३ सय ५५ गोटेके वर्गिकरण सम्पन्न भेल अछि । तेसर डिभिजनमे ३ हजार ९ सय ७२ लडाकु अछि । वर्गिकरणमे ६० प्रतिशत सँ बेसी समायोजनामे आ करिब ४० प्रतिशतके स्वेच्छिक अवकासमे जाएके इच्छा रहल अछि । पुर्नस्थापना प्याकेजमे  अखनधरि एको गोटे इच्छा नहि देखौने सचिवालय संयोजक बालानन्द शर्मा वतौलनि ।

भारतीय वित्तमन्त्री मुखर्जी नेपाल आबिरहल


११ अगहन जनकपुरधाम । नेपाल आ भारतबीच दोहोरा कर उन्मुक्तिसम्बन्धी सम्झौतामे हस्ताक्षर करय भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी सेहो आइ नेपाल आबि रहल छथि ।

वित्तमन्त्री मुखर्जीके आइ भिन्सरे काठमाडौ अएवाक कार्यक्रम छन्हि । आइए प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके उपस्थितिमे दुनु देशक अर्थमन्त्री सम्झौतामे हस्ताक्षर करताह । इ सम्झौतासँ सन् १९८७ मे भेल सम्झौताके प्रतिस्थापन करत । आइए मुखर्जी राष्ट्रपति डा.रामवरण यादवसँग शिष्टाचार भेटघाट करताह भारतीय दूतावास जनौलक अछि । स्वदेश घुरयसँ आगु ओ राजधानीस्थित एक होटलमे एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल, नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशील कोइराला सहितक विभिन्न राजनीतिक दलक नेतासबसँग अलगे अलग भेटवार्ता करताह ।
दु देशके विदेश सचिवबीच नियमित बिमर्शक लेल कहैत भारतीय विदेश सचिव रञ्जन मथाइ काल्हिए नेपाल आबि चुकल छथि । 

संविधानसभाक कार्यकाल बढाबय संसदमे आइ मतदान हाएत


११ अगहन काठमाण्डौ । सर्वोच्च अदालतक् फैसला अनुसार दलसब संविधानसभाक कार्यकाल अन्तिम समयके लेल ६ महिना बढाबय लागल अछि ।

आइ बेरियाक साढे ४ बजे बैसयबला व्यबस्थापिका संसदक बैसारसँ संविधानसभाक कार्यकाल लम्बा करयके प्रयोजनके लेल संसदमे दर्ता कराओलगेल अन्तरिम संविधानक एघारहम् संशोधन विधेयक पारित कऽ कार्यकाल बढाबय लागल अछि । संविधानसभाक कार्यकाल सम्पन्न होबयसँ ३ दिन आगुए कार्यकाल थप करय लागल अछि ।

संसदके आइ बैसयबला बैसारमे अनिवार्य उपस्थितिके लेल दलसब ह्विप जारी केलक अछि । संसदके बैसार आगुए प्रमुख तीनदल, एकीकृत माओवादी, नेपाली काङ्गे्रस आ नेकपा एमाले तथा संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेशी मोर्चाक बैसार कऽ संविधानसभाक कार्यकाल बढाबयके निर्णय करत ।

ओइसँ आगु बैसयबला प्रमुख दलक बैसारसँ संविधान लेखनके कार्यतालिका बनाओल जाएत । राज्यपुर्नसंरचना आयोग दु महिनामे काम सम्पन्न करैत कालधरि संविधानक मस्यौदका लेखनके काम आगु बढाओल जाएत नेतासब बतौलक अछि । २०६७ जेठ १४ गते एक बर्ष तथा २०६८ जेठ १४ आ भादव १२ मे तीन तीन महिना कार्यकाल थप भेल छल । पछिला संशोधनसंगै दु बर्षक लेल गठन कएलगेल संविधानसभा ४ बर्ष पहुँचयबला छि । सर्वोच्च अदालत समय सिमा तोकि देने कारण आगामी ६ महिनामे संविधान निर्माणक वाताबरण बनयके अपेक्षा कएलगेल अछि । राज्यपुर्नसंरचना आ शासकीय स्वरुप बाहेक संविधानक अधिकांश विवादित बिषय समाधान भऽ चुकल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन