Saturday, February 19, 2011

एमालेसँग सहमति हाएत त कांग्रेस सरकारमे जाएत - कोइराला


काठमाडौ, फागुन ७ - कांग्रेस नेतृ सुजाता कोइराला एमालेसँग सहमति हाएत त कांग्रेस सरकारमे सहभागी होयबाक विकल्प खुल्ला रहल बतौलिह अछि ।
६१ हम् प्रजातन्त्र दिवसक अवसरमे आइ ओखलढुंगाके सदरमुकाम स्थित चायपान कार्यक्रममे संचारकर्मीसबसँग बजैत कोइराला एमाले आ माओवादी बीचके गोप्य सातबुँदे सम्झौता फिर्ता हाएत त सहमति हाएत बतौलिह अछि ।
शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबऽ आपसी सहमति आवश्यक रहल उल्लेख करैत कोइराला सबस मिलय आ त्याग करय कांग्रेससँग बहुत विकल्प खुला रहल बतौलिह ।

एमाले-माओवादी गठबन्धनस अन्योलः महत

७ फागुन, चितवन । नेपाली कांग्रेसक नेता डा. रामशरण महत एमाले-माओवादी गठबन्धनस देश थप अन्योलमे परल बतोलनि अछि । ‘दु दलक अन्योलपूर्ण सम्झौतास थप अन्योलता बढोने अछि आ ’जनताके अन्योलमे राखयबला सरकार बेसी नै टिकत ।’
आइ चितवनके सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत महत वर्तमान सरकार केने जनता विरोधी कोनो निर्णयके लेल कांग्रेस जिम्मेवार नै हाएत स्पष्ट कएलनि । कांग्रेसक मुख्य एजेण्डा शान्ति आ संविधान रहलास आब ओइके निष्कर्षमे पहुँचाबऽ निर्णायक भूमिका खेलत हुनक कहब छलनि ।
दलसबबीच सहमति आ सहकार्यके विकल्प नै रहल बतबैत ओ ओइके लेल कांग्रेस अखनो प्रयासरत रहल प्रष्ट कएलनि । नेता महत ६१ हम् प्रजातन्त्र दिवसक अवसरमे कांग्रेस चितवन शिवनगरमे आयोजना केने आमसभामे सहभागी होबय पहुँचल छथि ।

रकस्टार ब्रायन एडम्स काठमाडौंमे

७ फागुन, काठमाडौं । आइ साँझ होबयलागल कन्सर्टके लेल क्यानडेली रकस्टार ब्रायन एडम्स काठमाडौं पहुँचल छथि । विश्वकप क्रिकेटके उद्घाटन समारोहमे सहभागी होबय बंगलादेशके ढाका पहुँचल एडम्स निजी विमान चढिकऽ काठमाडौं पहुँचल छथि ।
हाल सोल्टी होटलमे आराम करहल एडम्स साँझ ६ वजेस २ घण्टा त्रिपुरेश्वरस्थित दशरथ रंगशालामे गीत गौअता । रंगशालाके फुटबल मैदानमे बनाओलगेल ६ फिट लम्बा स्टेजस एडम्स करिव २० हजार दर्शकके अपन गीत प्रस्तुत करताह ।
हुनका नेपाली सांगीतिक टोलीसब १९७४ एडी, मंगोलियन हर्ट, रवीन एण्ड द न्यू रिबोलुसन आ नमस्ते ब्याण्ड साथ देत । कन्सर्टके लेल प्रहरी प्रधान कार्यालय आ उपत्यका भितरके सब चौकीके सुरक्षाकर्मी परिचालन कएल जाएत ।
कार्यक्रममे सशस्त्र पुलिस आ निजी सुरक्षा कम्पनी गरुडके सुरक्षाकर्मी सेहो खटत । दर्शकके गतिविधी देखय ६४ टा सीसीटीभी क्यामेरा जडान कएलगेल अछि ।

प्रजातन्त्र दिवसक कोनो औचित्य नै अछि - भट्टराई

७ फागुन, वीरगञ्ज । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई प्रजातन्त्र आ लोकतन्त्र दिवस मनाबयके कोनो औचित्य नै रहल टिप्पणी कएलनि अछि ।
आइ बाराके सीमरा बिमानस्थलमे सञ्चारकर्मीसबसँग भट्टराइ देशमे गणतन्त्र आबिगेलास आब प्रजातन्त्र आ लोकतन्त्र दिवस मनाबऽस बेसी गणतन्त्र दिवस मात्र मनेनाई उचित हाएत बतोलनि ।
ओ आगामी जेठ १४ गतेभितर नयाँ संविधान जारी करय वर्तमान सरकारके निरन्तर दबाब देबयपरत बतोलनि ।
दलसबबीच साझा सहमतिके साथ सरकारके विस्तार एवं नयाँ संविधान तयार करयके गृहकार्यमे तत्काल जुटय नै सकत त जेठ १४ गते संविधान घोषणा करय सम्भव नै हाएत बतोलनि ।

माओवादीके गृह नै देबयके निर्णय परिवर्तन नै हाएत - नेपाल


विराटनगर, फागुन ७ - पूर्वप्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल माओवादीके गृह मन्त्रालय नै देबयके निर्णय परिवर्तन नै हाएत बतोलनि अछि ।
'हतियार आ लडाकु रहत त माओवादीके गृह देबय नै मिलत,' आइ विराटनगर विमानस्थलमे संचारकर्मीसँग बातचित करैत नेपालले कहलनि जे, 'अहिस शक्ति असन्तुलन पैदा करत ।'
धनकुटाके पार्टी कार्यक्रमके सम्बोधन करय आइ राजधानीस विराटनगर आएल नेपाल माओवादीके गृह नै देबयके पार्टीके निर्णय कोनो हालतमे परिवर्तन नै हाएत बतोलनि । ओ कहलनि जे, 'माओवादी अहिके मुद्धा बनाकऽ लम्बा करयके कोनो अर्थ नै रहत ।'
सरकार गठनमे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आ माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालबीच भेल सात बुँदे समझदारी त्रुटिपूर्ण रहल बतबैत कांग्रेसके सेहो सरकारमे सहभागी करबयके धारणा रखलनि । 'विश्वासमे लकऽ कांग्रेसके सेहो सरकारमे सहभागी कराब परत', नेपाल कहलनि ।
सरकारके जल्दीस पूर्ण बनाकऽ संविधान निर्माणमे जुटय आग्रह करैत पूर्वप्रधानमन्त्री नेपाल कहलनि जे, 'सरकार गठन करय अबेर हाएत त थप समस्या श्रृजना हाएत ।'

बिश्वकप कि्रकेट २०११ अन्तर्गत अखन भारत खेल रहल

फागुन ७ मिरपुर । बिश्वकप कि्रकेट २०११ के ग्रुप बि अन्तर्गत पहिल खेल आइ बँगलादेश आ भारत बिच भरहल अछि ।

बेरियाक नेपाली समय अनुसार सबा २ बजेस शुरु भेल बँगलादेश आ भारत बिचक आजुक खेलमे बँगलादेश टस जित क फिल्डिङ करहल अछि त भारतके ब्याटिङ करबाक मौका देने अछि ।

भारत समाचार तयार करयधरि २९ ओभर खेलैत २ बिकेटक नोक्सानमे १९२ रन बनाक खेल रहल अछि ।

अखन भारत दिसस कि्रज पर बिरेन्द्र सहभाग आ बिराट कोहली खेल रहल अछि ।

सचिन तेन्दुलकर २८ रन बनाक आउट भेल छथि त गौतम गम्भीर ३९ रन बनाक आउट भेल छथि ।

प्रजातन्त्र दिबसक अबसरमे म्याराथुन प्रतियोगिता सम्पन्न

फागुन ७ जनकपुर । प्रजातन्त्र दिबसक अबसरमे जनकपुरमे क्रस कन्ट्री म्याराथुन प्रतियोगिता सम्पन्न भेल अछि ।

खुल्ला आ बिद्यालय स्तरिय २ समुहक भेल ओ म्याराथुन प्रतिष्पर्धामे साढे ९ किलोमिटरक दौडके आयोजना कएल गेल छल । एस एम स्पोर्टस जनकपुरक आयोजनामे भेल ओ म्याराथुन प्रतियोगितामे १ सय ५० गोटे प्रतियोगीके सहभागिता छल ।

जाहि मेस बिद्यालय प्रतिष्पर्धा अन्तर्गत चक्कर माबि ठाडी मिुजाके कक्षा ८ मे अध्ययनरत मनोज मण्डल ३३ मिनेट ५९ सॆकेण्डमे ओ दुरी पुरा क प्रथम स्थान हासिल केलक अछि त जनता माबि गिद्धाके कक्षा ८ मे अध्ययनरत निरन्जन मण्डल ३७ मिनेट २५ सेकेण्डमे दोसर स्थान प्राप्त केलक अछि त प्रगतिशिल माबि हथमुण्डाके कक्षा ८ मे अध्ययनरत मोतिराम महतो ४० मिनेट २० सेकेण्डमे दौड पुरा क तेसर स्थान हासिल केलक अछि ।

अहिना महिला दिसस न्यु ईगलिस बोर्डिङ स्कुलमे कक्षा ६ मे अध्ययनरत तकबिरा प्रबिण प्रथम पुजा ठाकुर दोसर आ कन्या माबिके गँगा आले तेसर स्थान प्राप्त कएलिह अछि ।

तहिना खुल्ला दिसस अनिल सिँह २७ मिनेट ३८ सॆकेण्डमे प्रथम ज्ञान प्रसाद भटराइ २७ मिनेट ४९ सेकेण्डमे दोसर आ लाल बहादुर २८ मिनेट १२ सेकेण्डमे तेसर स्थान प्राप्त कएलनि अछि ।

कार्यक्रमके उदघाटन सशस्त्र धनुषाक एस पी करिराज श्रेष्ठ केने छलथि त राम चन्द्र ठाकुर मन्त्ब्य रखने छलथि ।

भारत नेपाल सहित ४८ देशके लेल विशेष कोष स्थापना करत

नयाँ दिल्ली, फागुन ७ - भारत नेपाल सहित विश्वके ४८ अतिकम विकसित देशसबहक लेल लाखौं डलर बराबरके विशेष कोष स्थापना करयके तथा सहुलियत रिण बढाबयके घोषणा केलक अछि । अति कम विकसित देशसबहक समूह एलडीसी आ भारत बीचक दु दिना मन्त्रीस्तरीय बैसारके उद्घघाटन करैत भारतीय विदेशमन्त्री एस एम कृष्णा ओहन घोषणा केलनि अछि । नेपाल, ओ समूहक अध्यक्ष देश अछि ।
ओ घोषणा अनुसार, एलडीसी समूहके प्रत्येक देशमे विकास सम्बन्धी कार्यक्रम तथा योजनाक लेल ५० लाख अमेरिकी डलर बराबरके विशेष कोष स्थापना हाएत । पाँच वर्षक लेल कहलगेल ओ कोष मार्फत उपलब्ध होबयबला राशि भारत आ सम्बन्धित अतिकम विकसित देशबीच जारी द्धिपक्षीय सहयोगमे थप हाएत बताओलगेल अछि ।
टर्कीके इस्तानबुलमे तीन सप्ताहके बाद होबय लागल एलडीसी समूहके चारिम सम्मेलनस लेबयबला निर्णय कार्यान्वयनमे सहयोग पहुँचाबयके उद्देश्यस कोष स्थापना करय लागल मन्त्री कृष्णा जानकारी देलनि । वायह सम्मेलनके तयारी स्वरुप भारत आ एलडीसी समूहके देशसबबीच पहिलबेर मन्त्रीस्तरीय बैसार बैसल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन