Friday, November 18, 2011

संस्थापन आ वैद्य पक्षबीच पिटापिट


२ अगहन, बर्दिया । केन्द्रमे बढैत जाऽ रहल विवादके असर माओवादीक निचला कमिटीसबमे सेहो परय लागल अछि ।

जिल्ला आ गाउँ तहमे एक दोसर विरुद्ध आरोप प्रत्यारोपमे उतरैत आएल संस्थापन आ वैद्य निकटके कार्यकर्तासब आक्रमण आ प्रत्याक्रमणमे उतरल अछि । पार्टी नेतृत्व दलसबसँग केने सहमति अनुसार द्वन्द्व कालमे कब्जा कएलगेल घर जमिन फिर्ता करयके पक्षमे रहल संस्थापन पक्ष आ फिर्ता करय नहि दबयके अडानमे रहल उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षक कार्यकर्ताबीच बितलराति बर्दियामे झडप भेल अछि । झडपमे बर्दिया राजापुर क्षेत्रक वैद्य पक्षीय इलाका इन्चार्ज गणेश अर्याल घाइल भेल अछि ।

अपना उपर संस्थापन पक्षीय राज्य समिति सदस्य जगतराम चौधरीके समूह ओधबाध कऽ निर्घाट पिटपाट केने  अर्याल बतौलनि । संस्थापन पक्ष दलीय सहमतिके अक्षरसः पालना करैत कब्जा सम्पत्ति फिर्ता देबयके पक्षमे अछि तऽ सातबुँदे सहमति अस्वीकार केने वैद्य पक्ष जवर्जस्ती घर जमिन फिर्ता कएल गेल तऽ प्रतिरोध करबाक चेतावनी दऽ रहल अछि ।

ढुंगेलके आमामाफी नहि देबयके माँग करैत प्रदर्शन


२ अगहन, काठमाडौँ । व्यक्ति हत्याके विरोधमे अदालतसँ सर्वस्वहरण सहित आजीवन काराबासक सजाय सुनाओलगेल माओवादी सभासद् बालकृष्ण ढुंगेलके आमामाफी सिफारिस करयके सरकारी निर्णयके विरोधमे आइ काठमाडौँमे भिन्सर प्रदर्शन कएलगेल अछि ।

स्थानीय नेवार समूदाय सरकारी निर्णयसँ दण्डहीनताके प्रश्रय देने कहैत सिफारिस फिर्ताके माँग करैत प्रदर्शन केलक अछि । संखुवासभाके उज्जन कुमार श्रेष्ठक हत्या अभियोगमे जिल्ला अदालत ओखलढुंगासँ सर्वस्वहरण सहित आजीवन काराबासक सजाय सुनाओलगेल सभासद् ढुंगेलके सरकार राजनीतिक प्रकृतिके घटना भेल दु सप्ताह आगु आममाफी देबय राष्ट्रपति समक्ष सिफारिस केने छल ।

कोणसभामे बाजयबला वक्तासब सरकार अपराधके राजनीतिक संरक्षण दऽ कऽ मानवअधिकारके मजाक उडौने आरोप लगौने छल । प्रदर्शनके तयारी भऽ रहल समय माओवादी कार्यकर्ता प्रदर्शनमे हस्तक्षेप करबाक प्रयास केने छल । दु पक्षबीच झडप होबयके आशंकामे पैघ संख्यामे पुलिस तैनाथ कएलगेल छल ।

प्रमुख तीन दलसँ विज्ञ समूहक कार्यविधि पारित


२ अगहन, काठमाडौँ । प्रमुख तीन दल राज्य पुनर्संरचनाके लेल गठन करयबला विज्ञ समूहक कार्यविधि पारित केलक अछि ।

प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवास सिंहदरबारमे आइ बैसल बैसारसँ अन्तरिम संविधान संशोधनमे प्रयोग कएल जाएबला भाषाबारे त्रिदलीय कार्यदल पेश केने खाका पारित केलक अछि । बैसारकबाद सञ्चारकर्मीसँग बातचित करैत कांग्रेस नेता कृष्ण सिटौला राज्य अन्तरिम संविधान संशोधन करैत काल राज्य पुनर्संरचना समितिक प्रतिवेदनके आसय फेरबदल नहि करय जका विज्ञ समूह गठन करयके सहमति भेल बतौलनि । सिटौला विज्ञ समूह राज्य पुर्नसंरचना समितिके प्रतिवेदन, संसदमे उठल आवाज, आदिवासी जनजाति सभासदसबहक समूह ककस सहित रखने असहमतिके समेत सम्त्रोधन करय जका काम करयके सहमति दलसबबीच भेल जानकारी देलनि ।

दलसब आइए अपन अपन पार्टीमे रहल विवाद अन्त्यक लेल आन्तरिक बिमर्श सेहो केने छल ।

ओबामा विश्वके सर्वाधिक शक्तिशाली


हङकङ, अगहन २ । विश्वप्रसिद्ध फोब्र्स म्यागजिन अहिवर्ष संसारक सर्वाधिक शक्तिशालीसबहक सूचीमे अमेरिकी राष्ट्रपति ५० वर्षक बाराक ओबामाके पहिल स्थानमे रखने अछि ।

विभिन्न चुनौतीके बाबजुद ओबामा अत्यधिक खोजीमे रहल आतंकवादी ओसामा विन लादेन विरुद्ध उठौने कदमके महत्वपूर्ण सफलतासब मेसँ एक बताओलगेल अछि । विश्वभरके करिब ७ अर्ब आदमीसबमेसँ म्यागजिन ७० गोट सर्वाधिक शक्तिशाली छनौट केने जनाओलगेल अछि ।

शक्तिशाली व्यक्तिसबहक सूचीमे राष्ट्रपति ओबामाके बाद रुसके प्रधानमन्त्री ५९ वर्षक भ्लादिमिर पुटिन आ चीनके राष्ट्रपति ६८ वर्षक हु जिन्ताओ रहल छथि ।

चौथो डिभिजनमे वर्गीकरण प्रक्रिया सुरु


परासी, अगहन २ । नवलपरासीमे रहल माओवादी लडाकुके चारिम डिभिजन अन्तरगतके लडाकुसबहक समायोजन प्रक्रियाके लेल बर्गीकरण आइ भिन्सर ८ बजेसँ सुरु  भेल अछि । शिबिरमे खटल बिशेष समिति अपन सब काम काल्हिए पुरा कऽ चुकलासँ भिन्सरेसँ बर्गीकरण पक्रिया सुरु कएलगेल जनौलक अछि 

बिशेष समितिक सदस्य सदानन्दन् कुर्मीके नेतृत्वक टोली लडाकुके बर्गीकरणके लेल पाँच बिधिसब अबलम्बन केने अछि । पहिल टेवलमे अद्याबधिक करयके, दोसरमे प्रारम्भिक जानकारी करयके , तेसरमे सूचना संप्रेषण करयके, चारिममे परामर्श करयके आ  पाँचम इच्छा अनुसारक समायोजन प्रक्रिया चुनयके जका बर्गीकरण कार्य आगु बढाबयके कुर्मी बतौलनि ।

१८ गोटे सर्बेक्षण अधिकृत आ १२ गोटे कम्प्युटर अपरेटर सहित बर्गीकरण प्रक्रिया शुरु करयके कार्यके चारिम डिभिजनमे तयारी पुरा भेल अछि । नवलपरासीके लडाकूका शिबिरमे ३५ गोटे अपाङ्ग सहित तीन सय घाईल सेहो रहल अछि ।

भट्टराई सरकारके राष्ट्रिय स्वरुप देल नहि जाऽ सकैयः पोखरेल


अगहन, दाङ । एमाले सचिव शंकर पोखरेल बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक वर्तमान सरकारके राष्ट्रिय स्वरुप देबय अपनासब तयार नहि रहल बतौलनि अछि

दाङक तुलसीपुरम सञ्चारकर्मीसँग बातचित करैत पोखरेल वर्तमान सरकार बुँदे सहमितिक कमजोर जगम बनलासँ इ सरकारम अपन पार्टी सामेल होबय नहि सकत बतौलनि बुँदे सहमति खारेज नहि होबयधरि राष्ट्रिय सरकार गठन होबहि नहि सकत पोखरेलक जिकिर छलनि । सचिव पोखरेल आगामी अगहन १४ गते बाद वर्तमान सरकारक औचित्य समाप्त हाएत दाबी कएलनि

मुस्ताङ म्याक्स गाडी चढि कऽ मितव्ययी देखाबय चाहने प्रधानमन्त्री जम्बो मन्त्रिमण्डल बना कऽ अपन मितब्यिता देखार केने टिप्पणी कएलनि । द्वन्द्व कालम कब्जा कएलगेल घरजमिन फिर्ता करयके कामम गम्भीर होबय पोखरेल सरकार माओवादीसँ आग्रह कएलनि । माओवादि भितरके विवादसँ सातबुँदे सहमति कार्यान्वयनम अवरोध पहुँचल कहैत ओ अन्तरिम संविधान संशोधन होबय नहि सकत तऽ शान्तिप्रक्रिया कठिन मोडम पहुँचत विचार व्यक्त कएलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन