Thursday, October 15, 2015

दशमीक आई तेसर दिन शक्तिस्वरुपा माता चन्द्रघण्टाके पुजा कएल जारहल

२८ आसिन, जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई तेसर दिन शक्तिस्वरुपा माता चन्द्रघण्टाके पुजा कएल जारहल अछि ।

दशमीक दोसर दिन बुधदिन माता ब्रम्हचारिणीके पुजा कएल गेल छल त आइ माता चन्द्रघण्टाके पुजा कएल जा रहल अछि ।
राक्षस महिँसासुरके नष्ट कएने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न ९ टा स्वरुपके पुजा कएल जाएत अछि । आजुक दिन से हो उच्चपिठ, शक्तिपिठ तथा दुर्गा मन्दिर लगायत घर घरमे समेत माता चन्द्रघण्टाके पुजापाठ कएल जा रहल  अछि । अहि अवसरमे गाम गाम सँ शहरधरि बिभिन्न ठाउँमा माता दुर्गाके माटिक प्रतिमा बना समेत पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । पुजाके लेल जनकपुरक राजदेवी मन्दिर, बौद्धीमाइ मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसभमे श्रद्धालुसभहक भिड लागल अछि  । मन्दिरसभके सजाएल गेल अछि त बहुतो ठाम साँझक समयमे भजन सँध्या कार्यक्रमसभ सेहो कएल जाति अछि । जनकपुरक मन्दिरसभमे भिन्सरेसँ श्रद्धालुसबहक भिड लागल अछि ।  जनकपुरक रामानन्द चौक, दुर्गा चौक , बिद्यापति चौक सभपर माटिक प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जारहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन