Tuesday, October 18, 2011

संसदके बैसार आइ सेहो अबरुद्ध


१ कातिक काठमाडौँ । व्यवस्थापिका संसदके बैसार आइ सेहो अबरुद्ध भेल अछि ।

रक्षामन्त्री शरद्सिंह भण्डारीके राजिनामा आ भूमिसुधार तथा व्यवस्थामन्त्री प्रभु साहके कारबाहीके जानकारीके माँग करैत प्रतिपक्षी दल काङ्ग्रेस, एमाले सहितक सब विरोध केलाबाद संसद चलय नहि सकल अछि । रक्षामन्त्रीके राजिनामा नहि देबयधरि संसद चलय नहि देब प्रतिपक्षी दलसब बतौलक अछि । लगातार  अबरुद्ध होइत आबिरहल बैसार काल्हि बेरिया १ बजेके लेल फेउर बजाओल गेल अछि ।

४ बुँदेप्रति दृढ रहल माओवादीको कहब, रक्षामन्त्रीके राष्ट्रघाति नहि कहने दावी


१ कातिक , काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी सरकार निमार्णक क्रममे भेल ४ बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे अपने दृढ रहल प्रतिक्रिया देलक अछि ।

आइ प्रेस विज्ञप्ती मार्फत ४ बुँदे सहमति राष्ट्रिय हितके संरक्षण आ नयाँ नेपाल निर्माणक दिशामे आगु बढयके  राजनीतिक दस्तावेज रहल स्पष्ट करैत ओइप्रति माओवादी पूर्णरुपमे प्रतिवद्ध रहल स्पष्ट केलक अछि ।  अहिना रक्षामन्त्री शरदसिंह भण्डारीके अभिव्यक्तीके लऽ अपन पार्टीके आधिकारिक निकाय कोनो आरोप नहि लगौने दावी विज्ञप्तीमे कएलगेल अछि । मधेशी जनअधिकार फोरम ४ बुँदे सहमति आ रक्षामन्त्रीके सन्दर्भमे माओवादीके आधिकारिक धारणा नहि आबयधरि रक्षामन्त्रीके राजिनामा नहि आओत बतौलाक बाद माओवादी अपन धारणा प्रष्ट केलक अछि ।

अहिसँ आगु बैद्य पक्ष रक्षामन्त्री राष्ट्रघाती अभिव्यक्ती देने कहैत सडक आन्दोलन केने छल । माओवादी संसदीय बोर्ड सेहो रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रघाती रहल कहैत राजिनामा मँगने छल । 


किराँत वर्कर्सके सैन्य कमाण्डर गिरफ्तार


इटहरी, कातिक १ । पुलिसक खोजीके सुचिमे रहल सशस्त्र भुमिगत गतिविधि करैत आएल किराँत जनवादी वर्कर्स पार्टीके सैन्य कमाण्डरके पुलिस हतियारसहित गिरफ्तार कऽ सार्वजनिक केलक अछि ।

पुलिसक विषेश टोली इलाम दानाबारी ३ शुक्रबारेके २५ वर्षक विकास किराँती कहायबला प्रेम खालिङके धरानसँ गिरफ्तार केलक अछि । पुर्व क्षेत्रीय प्रहरी कार्यालय विराटनगरसँ खटल विशेष टोली धरान ८ सँ ओकरा हतियारसहित गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार भेल खालिङके सँगसँ पुलिस थ्रि नट थ्रि राईफलके गोली १८ राउण्ड, चन्दा रसिद, मोबाइल दु थान, मोटरसाइकल, पार्टीके लेटरप्याड सहितक सामानसब समेत बरामद केलक अछि ।

राईके विभिन्न अपराधमे संलग्न रहल आरोपमे पुलिस मोस्ट वान्टेडके सुचिमे रखने छल । अहिसँ आगु किराँत जनवादी वर्कस पार्टीके करिव डेढदर्जन केन्द्रिय नेतासबके पुलिस गिरफ्तार कऽ चुकल अछि । वर्कस पार्टी पुर्वी पहाडी जिल्लामे भुमिगत गतिविधि कऽ सर्वसाधारण, कर्मचारी सहितकके धम्की देबयबला, चन्दा असुलयबला सहितक गतिविधि करैत आएल अछि ।


माँग पूरा नहि हाएत तऽ कांग्रेस सरकारमे नहि जाएत :केसी


काभ्रे , कार्तिक १ । कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य अर्जुननरसिंह केसी शान्ति प्रक्रियाके तार्किक निष्र्कर्षमे पहुँचाबय लेल कांग्रेस आगु रखने माँगसब पूरा नहि होबयधरि अपन पार्टी सरकारमे नहि जाएत बतौलनि अछि ।

कांग्रेस रखने माँगसब पूरा करयके दर्जनौं बेर माओवादी सहमति करितो ओकर कार्यान्वयन नहि केने ओ आरोप लगौलनि । आइ नेपाल प्रेस युनियन जिल्ला शाखा केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत केसी  शान्ति प्रक्रियाके निष्कर्षमे पहुँचाबयके क्रममे केने माओवादी १२ बुँदे सम्झौतासँ अखनधरि भेल कोनो सम्झौताके कार्यान्वयनमे नहि लौलासँ अन्य राजनैतिक दलसबहक विश्वास गुमा चुकल दाबी कएलनि ।

 कब्जा कएलगेल सम्पत्ति बिना शर्त फिर्ता करयके, माओवादी लडाकु आ हतियारक व्यवस्थापन कऽ लडाकुके हतियार बिहीन बनाबयके काँग्रेसक माँग रहल केसी बतौलनि ।


१७ बोरा सुर्ती बरामद


मोरङ (पानीट्याङ्की), कार्तिक १ । भारतसँ अवैधरुपमे आनि कऽ गोदाममे नुका कऽ रखने १७ बोरा सुर्ती सशस्त्र पुलिस आइ मोरङसँ नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

नक्कली प्रमाणपत्र प्रयोग कऽ अवैधरुपमे भारतसँ नेपाल लौने सुर्ती विराटनगर१५ स्थित हेमा भट्टराईके घरसँ सशस्त्र प्रहरी सीमा सुरक्षा बल मोरङके टोली  नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय सुर्तीके आवश्यक अनुसन्धान पूरा कऽ विराटनगर भन्सार कार्यालयके बुझाओल जाएत जनौलक अछि ।

मोस्ट वान्टेड सिकन्दर भारतमे गिरफ्तार


नेपालगन्ज, कार्तिक १ । नेपाल पुलिसक अत्यधिक खोजी रहल सिकन्दर खां के भारतीय पुलिस गिरफ्तार कऽ  जेल चलान केलक अछि । बांकेमे विभिन्न ब्यक्तिके हत्या,अपहरण, बम विस्फोट आ चन्दा असुली जेहन अपराधिक गतिविधिमे संलग्न खांके अपन अन्य दु सहयोगी सहित गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

सिमासँ करिब २० किलोमिटर दक्षिण नवावगंजमे गिरफ्तार भेल खां के हातहतियार तथा अपहरण उद्योगमे भारतीय पुलिस जेल चलान केलक अछि । बांके रनियापुर ५ के सिकन्दर तीन दिन आगु आरिफ आ मेराज नामक अन्य साथी सहित गिरफ्तार भेल अछि । भारतीय पुलिस ओकरासबके हतियार सहित गिरफ्तार केने जनौलक अछि ।

भारतीय सिमा क्षेत्रमे रहि कऽ पश्चिम तराईमे हिंसात्मक गतिविधि संचालन करैत आएल सिकन्दर २०६३ सालमे बेतहनीके माताप्रसाद कुर्मीके हत्या केने नेपाल प्रहरी जनौलक अछि ।

मधेस आन्दोलनमे लागल कुर्मीके हत्यासंगै नेपालगन्जक दु विद्यार्थीके अपहरण आ हत्यामे समेत सिकन्दरके संलग्नता रहल पुलिसक दावी अछि । सुरुमे ज्वालासिंह समुहक सदस्य रहल सिकन्दर अखन तराई जनतान्त्रिक पार्टी मधेसक थारुवान अवध क्षेत्रके पश्चिम कमाण्डर अछि ।

सिकन्दर कार्यरत भुमिगत समूहक अध्यक्ष मुकेश चौधरी अछि । ओसब बांके, वर्दिया क्षेत्रमे अपराधिक संजाल विस्तार करयके तयारी कऽ रहल समय सिकन्दर भारतमे गिरफ्तार भेल अछि ।

सिरहामे अगिलगि


लहान ,१ कार्तिक । सिरहाके सितापुर गाबिस देवारी बज्रहा टोल ९ मे अगिलगि भेलासँ ५० हजार मुल्य बराबरके क्षति भेल अछि ।

स्थानीय दुखी यादबके घरमे बितलराति अगिलगि भेलासँ यादबके एकटा घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि । अगिलगिमे घर घरक लता कपडा सहितक सर सामानसब जरि कऽ नष्ट भेल आ अगिलगिके कारण खजय नहि सकल पुलिस जनौलक अछि । आगिके स्थानीयबासी आ सितापुरक पुलिस १ घण्टाबाद नियन्त्रणमे लेने छल ।

रेल्वे, पिवयबला पाइन आ सडक यथाशिघ्र निर्माणक लेल माँग


१ कातिक जनकपुरधाम । भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्रि हृदयेश त्रिपाठीसँ रेल्वे, पिवयबला पाइन आ सडक यथाशिघ्र निर्माणक लेल माँग कएल गेल अछि ।

जनकपुर उद्योग बाणिज्य सँघ तथा नागरिक समाजक सँयुक्त प्रतिनिधि आइ जनकपुरमे मन्त्री त्रिपाठीसँ भेट कऽ रेल्वेके यथाशिघ्र निर्माण जनकपुरसँ निकलयबला महत्वपुर्ण सडकसबके निर्माण तथा स्वच्छ पिवयबला पाइनके लेल थप आयोजनाक  माँग केलक अछि । 

जवाफमे मन्त्री त्रिपाठि रेल्वेके कार्य द्रुतगतिसँ शिघ्र चालु हाएत आ एक डेढ महिना भितर प्रगति देखयमे आबि जाएत आश्वासन देलनि ।

हुनकासँग भेटय गेल प्रतिनिधिमण्डलमे जनकपुर उद्योग बाणिज्य सँघक अध्यक्ष श्याम प्रसाद साह, पुर्व अध्यक्ष राम नरेश प्रसाद साह, मानव अधिकारकर्मी प्राध्यापक बिजय दत्त , प्रध्यापक परमेश्वर कापडि, अबिनाश साजन, कृष्णदेब साह सहितक लोकैन्हसब सहभागी छलथि ।

अहिबिच मन्त्री त्रिपाठी कतेकौ बर्षसँ जनकपुरमे निर्माणाधिन रहल महेन्द् नारायण निधि मिथिला साँस्कृतिक केन्द्रक भवनक सेहो निरिक्षण कएलनि अछि । ओ अवसरमे ओ कहलनि जे भवन निर्माणक काज शिघ्र पुरा करय लेल मन्त्रालय पुरा सहयोग करत आ रकम अभावके कारण कहियो काज रुकय नहि देत ।

मन्दिरमे वास बैसल तिर्थालुके पुलिस पिटलक


१ कात्तिक, महोत्तरी । महोत्तरीके जलेश्वर महादेव मन्दिरमे वास बैसल २० तिर्थालुके पुलिस बितलराति ओधबाध कऽ पिटलक अछि ।

प्रसिद्ध धार्मिकस्थल पडौलके कारिकस्थान मन्दिरसँ घुरि रहल समय राति भेलाबाद मन्दिरमे सुतय चाहला पर धनुषा मुसहरनियाके महिला आ पुरुष कऽ २० गोटेके पुलिस पिटलक अछि । जलेश्वर स्थायी पोस्टसँ प्रहरी सहायक निरीक्षक अजीतकुमार पाण्डेके नेतृत्वमे आएल पुलिसक टोली अपनासबके बिना कारणे लाठीसँ पिटने पीडित बतौलक अछि । हुनकासबके नहि पिटय आग्रह केलाबाद अपना उपर सेहो पिटपाटक प्रयास भेल महादेव मन्दिरक पुजारी आनन्द गिरी बतौलनि ।

लोकतान्त्रिकद्वारा ४ बुँदे आ रक्षामन्त्रीक अभिव्यक्तिबारे माओवादीसँग धारणा माग


१ कात्तिक, काठमाडौँ । सत्तारुढ मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिक बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे सरकार गठन होबयसँ आगु एकीकृत नेकपा माओवादी आ संयुक्त मधेसी मोर्चाबीच भेल ४ बुँदे सहमति आ रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्तिबारे माओवादीसँग स्पष्ट धारणा माँग केलक अछि ।

माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डसँ भेटय हुनके निवास नयाँ बजार पहुँचल लोकतान्त्रिक अध्यक्षसमेत रहल उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार सहितक नेता प्रचण्डसँग धारणा मँगने छथि । भेटके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत गच्छदार ४ बुँदेके परिमार्जन या पुर्नब्याख्या करयके बिषयमे बाहर आएल बातके विषयमे अभिव्यक्तिबारे आधिकारीक धारणा माँग कएल गेल बतौलनि । माओवादीसँ ओइ बिषयमे स्पष्ट प्रतिबद्धता नहि आओत तऽ रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारीके राजीनामा नहि आओत फोरम लोकतान्त्रिक माओवादी नेतृत्वके बतौलक अछि ।

जवाफमे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड ४ बुँदे सहमतिप्रतिके अपन पार्टीके प्रतिबद्धतामे शंका नहि करय आग्रह करैत रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्तिबारे आइए साँझधरिमे आधिकारीक धारणा सार्वजनिक करयके जवाफ देने छलथि । किछ दिन आगु राजधानीमे आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत अध्यक्ष प्रचण्ड ४ बुँदेके परिमाजर्न करय सकयके बतौने छलथि तऽ माओवादी संसदीय बोर्ड रक्षामन्त्रीके अभिव्यक्ति राष्ट्रघाती रहल ठहर करैत राजीनामा देबय सुझाव देने छल ।

विवादित विषयमे बिमर्श नहि करय प्रधानमन्त्रीके माओवादीक निर्देशन


१ कात्तिक, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके आसन्न भारत भ्रमणके क्रममे विवादित विषयम बिमर्श नहि करय निर्देशन देलक अछि ।

अध्यक्ष प्रचण्डक निवास नयाँ बजारमे आइ भिन्सर बैसल स्थायी समिति बैसारसँ पार्टी उपाध्ययक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री भट्टराईके ओहन निर्देशन दलक अछि । विवादित सन्धि सम्झौता सहितक विषयमे बिमर्शे नहि करयके निर्णय भेल बैसारक बाद प्रवक्ता दिनानाथ शर्मा बतौलनि । शर्माके अनुसार बैसारसँ प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमण नितान्त सदभावना बनाबय निर्देशन केलक अछि । विवादित विषयसबमे राष्टिठ्रय सरकार बनलाबाद दु देशबीच बिमर्श करय उपयुक्त हाएत माओवादी निष्र्कर्ष निकाललक अछि ।

माओवादी प्रधानमन्त्री भट्टराइके भ्रमणके क्रममे दु देशबीचक सम्बन्ध सुधारय लेल सेहो कहने अछि । अहिसँ आगु दु बेरधरि पार्टी अध्यक्ष प्रचण्ड बजौने बैसार बहिस्कार केने उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष सहो बैसारमे सहभागी छलथि । प्रधानमन्त्री भट्टराई कात्तिक ३ गते ४ दिना औपचारिक भ्रमणके सिलसिलामे नयाँ दिल्ली प्रस्थान करय लागल छथि ।

पूनम झावर - मोडेल













पूनम झावर - मोडेल

सर्वदलीय टोलीद्वारा एसएसबीके ज्यादतीके अध्ययन


१ कात्तिक, काठमाडौँ । भारतीय सीमा सुरक्षा बल एसएसबी नेपाली भूमिमे प्रवेश कऽ तोडने कञ्चनपुरक भीमदत्तनगर-११ स्थित भुजेला टोलके घर आ दोकानसबहक स्थानीय सर्वदलीय टोली अध्ययन केलक अछि ।

टोलीमे जिल्लास्थित एकीकृत माओवादी, कांग्रेस, एमाले आ स्थानीय प्रहरी प्रशासनके संयुक्त टोली आइ भिन्सर भजेलाके स्थलगत निरीक्षण केलक अछि । हतियारसहित आएल एसएसबीके जवानसब काल्हि महाकाली कातमे रहल भुजेलावस्तीके भक्तबहादुर रानामगर, कल्याण पाल आ उचित पालके घर तोडने छल । बेरियाक १ बजेदिस आएल एसएसबी इ हमर भूमि अछि, तु नेपालीसब भाग कहैत घर तोडने छल । घर झोपडी तोरि कऽ एसएसबी टोली जङ्गले-जङ्गल भारतदिस गेल छल ।

दशगजामे आबि कऽ कोनो काम करैत काल दुनु देशके उच्चस्तरीय सहमती आवश्यक होइतो भारत विभिन्न समयमे नेपाली भूमि उपर हस्तक्षेप करैत आएल अछि ।

कम्प्युटर बिष्फोट भेलासँ सशस्त्र प्रहरी हवल्दारक मृत्यु


१ कात्तिक, वीरगञ्ज । कम्प्युटर बिष्फोट भऽ वीरगञ्जम सशस्त्र प्रहरीक एक हवल्दारक मृत्यु भेल अछि

मृत्यु होबयबलामे वीरगञ्ज भन्सार सुरक्षा बेस क्याम्पम कार्यरत सशस्त्र प्रहरी हवल्दार केदार काफ्ले रहल पर्सा पुलिस जनौलक अछि आइ भिन्सर सवा १० बजेक समयम सञ्चार कक्षमे रहल कम्प्युटर खोलय काल काएक बिष्फोट भेलाबाद घाइल भेल काफ्लेक वीरगञ्जस्थित नेशनल मेडिकल कलेजमे इलाजक क्रमम मृत्यु भेल अछि

विस्फोटम परि सशस्त्र प्रहरी नायव निरीक्षक हरिकृष्ण खड्का सहायक निरीक्षक राम लामा घाइल भेल अछि हुनक दुनु गोटेके नेशनल मेडिकल कलेजम इलाज  ऽ रहल अछि । घटनाक बिषयमे छानविन भऽ रहल  प्रहरी उपरीक्षक राम विक जानकारी देलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन