Saturday, April 09, 2011

ईन्डियन प्रिमियर लिग


चैत २६ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत  डेकेन चार्जर आ राजस्थान रोयल्स बिच हैदराबादके राजिब गांधि ईन्टरनेशनल मैदानमे आइ भेल खेलमे  राजस्थान रोयल्स ८ बिकेटसँ जित हासिल केलक अछि ।
राजस्थान रोयल्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल डेकेन चर्जर निर्धारीत २० ओभरमे ८  बिकेटक नोक्सानमे १३७ रन बना कऽ राजस्थान रोयल्स समक्ष १३८ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल ।
डेकेनचार्जरके तर्फसँ बल्लेबाजि करैत  सर्बाधिक रबि तेजा -२८ ,शिखर धवन -२४ , जगि -२५ , आ  डिटी क्रिस्चेन २६ रनक योगदान देने छलथि । तहिना राजस्थानके तर्फसँ बलिङ करैत अमित सिंह ३ , ऐसके त्रिबेदी ३ आ सेन वार्न २ बिकेट लेलनि अछि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल राजस्थान रोयल्स निर्धारित २० ओभरक खेलमे १८ ओभर ५ बल खेलैत २ बिकेटक क्षतिमे जित हासिल करय सफल भेल अछि । राजस्थान रोयल्सक रबि तेजा सर्बिधक २८ रनक योगदान देने छलथि ।
अहिना ,  ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत अखन भ रहल तेसर खेलमे कोची तस्कर्स केरेला, रोयल चैलैन्जर्स बैँगलौर समक्ष  १६२    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।  
कोची तस्कर्स केरेला टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत ५ बिकेटक क्षतिमे १६१ रन बनौलक अछि ।
कोची तस्कर्स केरेला टिमक मैक्कुलम ४५, भिभिएस लक्ष्मण ३६ आ जयबर्द्धने १८ रन बनौलनि अछि ।
अहिबिच, अन्तराष्ट्रिय एकदीबसिय सिरीजके पहिल मैचमे अष्ट्रेलिया बंगलादेशके ६० रनसँ पराजित कएलक अछि।
बंगलादेशक श्रि बंगला नेशनल मैदान मिरपुरमे भेल मैचमे अस्ट्रेलिया बंगलादेशके समक्ष २७१ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल । प्रतिओतरमे बंगलादेश निर्धारीत ५० ओभर खेलैत ५ बिकेटक नोक्सानमे मात्र २१० रन बना कऽ ६० रनसँ मैच हारल अछि।
अष्ट्रेलिया पहिने बैटींग करैत निर्धारीत ५० ओभरमे ७ बिकेटक नोक्सानमे २७० रन बना कऽ बँगलादेश समक्ष २७१ रनक लक्ष्य प्रस्तुत कएने छल। अष्ट्रेलिया तर्फसँ बैटीङ करैत सर्बाधिक माईकल क्लार्क १०१ , वाटसन ३७ , रीकिपोन्टीङ ३४, रनओने छलथि। तहिना बंगलादेश तर्फसँ बलिङ करैत  सुभो -३ , मसरफ मोर्तजा- २ आ अब्दुर रजाक १ बिकेट लेने छलथि।
बंगला देशक तर्फसँ बल्लेबाजि करैत सर्बाधिक  तमिम ईकबाल -६२ , सखिब अलहसन-५१ रन बनओने छलथि। अष्ट्रेलिया तर्फसँ बलिङ करैत ब्रेटलि , जन्सन, हैजटीङस, डोहेरटी आ स्मिथ १-१ बिकेट लेने छलथि।

जेठ १४ गते संविधान नहि बनतः संवैधानिक समितिक सदस्यसभ


२६ चैत, काठमाडौं । संविधान निर्माण करयके प्रमुख जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक समितिक सदस्यसभ आगामी जेठ १४ गते कोनो हालतमे संविधान जारी होबय नहि सकत ठोकुवा केलनि अछि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे समितिका सदस्यसभ संवैधानिक समितिक सदस्यसभ एहन ठोकुवा केलनि अछि ।
कांग्रेस सभासद सुप्रभा घिमिरे जेठ १४ गते नयाँ संविधान जारी होबयके सम्भावना नहि रहल कहैत दलसभमे ईच्छाशक्ति हाएत त ओ समयधरि संविधानके मस्यौदा बना कऽ संविधानसभाके म्याद थपयके धारणा रखलिह ।
एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता देवेन्द्र पौडेल सुनिल एखुनक अवस्थामे संविधान जारी होबय नहि सकत बतौलनि । तैयो ओ जेठ १४ मे कोनो हालतमे संविधान जारी होबय परत  धारणा रखलनि ।
दलित जनजाती पार्टीक सभासद विश्वेन्द्र पासवान जेठ १४ गते कोनो हालतमे संविधान जारी होबय नहि सकत ठोकुवा केलनि । ओ अपनासबहक माँग संबोधन नहि हाएत त संवैधानिक समिति, संविधानसभा आ ब्यवस्थापिका संसदके बैसार बैसय नहि देबयके चेतावनी देलनि । ओ संसदके बैसारमे प्रस्तुत होबयबला समावेशी विधेयकके विरोधमे संसदक बैसार समेत अवरुद्ध करयके चेतावनी देलनि ।

४८ घण्टामे सँविधान निमाण हाएतः कांग्रेस नेतृ कोइरालाक दावी


तनहुँ, चैत २६ । नेपाली कांगेसक नेतृ सुजता कोइराला सम्पुर्ण राजनैतिक दलसभ गम्भिर हाएत त ४८ घण्टामे   नयाँ सिवंधान जारी हाएत बतौलनि अछि ।
नेपाल रेडक्रक्रस सोसाइटी जिल्ला शाखा तनहुँके २८ हम् जिल्ला साधरण सभामे काइराला कोनो पार्टीके अलग कऽ शान्ती प्रकृया आ सविंधान निर्माण कार्य पुर्ण होबय नहि सकत जिकिर कएलनि ।

थरुहट स्वायत्त राज्य परिषदक अनिश्चितकालिन आमहड्ताल फिर्ता


काठमाण्डौ, चैत २६ । थरुहट स्वायत्त राज्य परिषद आह्नान केने अनिश्चितकालिन आमहड्ताल फिर्ता लेलक अछि ।
 परिषद काठमाण्डौमे पत्रकार सम्मेलनके आयोजना कऽ  चैते दशै आ छिल्लीकोट महोत्सवके मध्यनजर करैत आइ साँझ पौने ५ बजेसँ आमहड्ताल फिर्ता लेने थरुहट राज्य परिषद जनौलक अछि । एकिकृत नेकपा माओबादी एमाले आ फोरम बिच भेल सम्झौता खारेजीके माँग करैत थरुहट काल्हिसँ दाङ, बाँके, बर्दिया, कैलाली आ कंचनपुर सहितक तराईके २२ जिल्लामे  अनिश्चीतकालिन आमहड्तालके आह्वान केने छल । आमहड्ताल फिर्ता लेलाबाद यातायातक साधन संचालनमे आएल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

पूर्ण बजेट लाबय माओवादी सकारात्मक


२६ चैत, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी सरकार बैसाखमे ल्याब कहने  आगामी पूर्ण बजेट प्रति सकरात्मक देखलगेल अछि ।
माओवादी संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे बैसल दु दलक बैसारमे माओवादी अपन भावना समेटय जका लाओल जाएबला नयाँ बजेटक सन्दर्भमे सकारात्मक प्रतिकृया देने एमालेक प्रमुख सचेतक भीम आचार्य जानकारी देलनि अछि ।
अहिना, बैसारमे सरकार सँचालनके लेल जल्दिए आचारसंहिता बनाबयके निर्णय सेहो भेल अछि  । काल्हिए माओवादीके पदाधिकारी बैसारसँ सरकार एकलौटी निर्णय कऽक बजेट लाबय लागल कहैत सरकारसँग गम्भीर बिमर्श करयके निर्णाय केने छल । माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश सेहो पूरक बजेट लाबयके समय नहि भेलासँ पूर्ण बजेट लाबय अपनेसभ सकारात्मक रहल बतौलनि । बैसारमे न्यूनतम साझा कार्यक्रम आ मन्त्रिमण्डल विस्तारक  विषयमे समेत बिमर्श भेल छल ।

एएफसी च्यालेन्ज कप छनोट प्रतियोगितामे नेपाल पराजीत


२६ चैत, काठमाडौं । एएफसी च्यालेन्ज कप फुटबलके छनोट चरणके अपन दोसर खेलमे नेपाल उत्तर कोरियासँग पराजित भेल अछि । खेलमे दु बेर विश्वकप खेल चुकल उत्तर कोरियाके नेपाली खेलाडीसभ कडा चुनौति देने छल ।
दशरथ रंगशालामे आइ भेल खेलमे उत्तर कोरिया नेपालके १-० सँ पराजित केलक अछि । नेपाली डिफेण्डर केने गल्तीके फाइदा उठबैत खेलके ३० अम् मिनेटमे उत्तर कोरियाके लेल जोन इल ग्वाङ पोस निर्णयक गोल केलनि ।
जितसँगे उत्तर कोरियाके ६ अंक भेल अछि त  नेपाल आ अफगानिस्तानके समान ३ अंक अछि । सोमदिन नेपाल श्रीलंकासँग तथा अफगानिस्तान उत्तरकोरियासँग खेलत ।

बैशाख १४ गते नेवा आ तासालिङ बन्दक घोषणा


२६ चैत, काठमाडौं । नेवाः स्वायत्त मंकाः संघर्ष समिति आ तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समिति संयूक्त मोर्चा निर्माण करैत संविधान निर्माणक लेल दबाव देबय आन्दोलनके घोषणा केलक अछि।
नेवाः तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समिति आइ राजधानीमे पत्रकार सम्मेलन क आन्दोलनके घोषणा केलक अछि । समितिके आन्दोलनके कार्यक्रमसभमे नेवाः आ तामसालिङ बन्द सहितक मसाल जुलुस, आमसभा सहितक रहल अछि । घोषित आन्दोलनके कार्यक्रममे बैशाख १४ गते अखण्डित नेवाः आ ताम्सालिङ स्वायत्त क्षेत्र बन्द, चैत्र ३० गते आमसभा करयके आ बैशाख १३ गते मसाल जुलुस करय जेहन कार्यक्रमसभ रहल अछि ।
समिति जेठ १४ गते धर्म निरपेक्ष, जातीय स्वायत्तता, संघीयता, लोकतन्त्र गणतन्त्रयूक्त आदीवासी जातिमैत्रि संविधान जारी होबयके, संक्षिप्त संविधान जारी नहि करयके, आत्मनिर्णय आ राजनैतिक अग्राधिकार सहितक संघीयता बनाबयके, प्रादेशिक भाषाके केन्द्रीय सरकारक कामकाजी भाषाके रुपमे मान्यता देबयके, सहितक  माँगसभ आगु घुसकौलक अछि ।
पत्रकार सम्मेलनमे तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समितिक परशुराम तामाङ अखण्डित नेवा आ तामसालिङ राज्यके साथ जनताके मालिक बनाबयके प्रदेश निर्माणमे षडयन्त्र भ रहलासँ आन्दोलनमे उतरल परल बतौलनि । माओवादी केन्द्रीय सदस्य कमानसिँह लामा संविधानसभाके म्याद थपयके बात अपनासभके मान्य नहि हाएत कहैत जेठ १४ गतेभितरे संविधान जारी कराबय दबाव स्वरुप आन्दोलन केने दावी कएलनि ।

सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


नबलपरासी, चैत २६ । नवलपरासीके पहाडी गाविसमे आइ भेल जिप दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि त  तीन गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि ।
डेडगाउँसँ दलदलेदिस जा रहल लु १ ज १३६१ नम्बरक जिप सडकसँ उनटला सँ नाम खुजय नहि सकल एक पुरुषके मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । जौवारीमे भेल दुर्घटनामे तीन गोटे गम्भीर घाइल भेल अछि ।

गर्भावस्था, पौष्टिक आहार आ मधुमेह - स्वास्थ्य


वैज्ञानिकके कहब अछि जे गर्भावस्थामें मायके पौष्टिक आहार नै मिलला पर बच्चा बडका भेलापर मधुमेहके ख़तरा बढ़ैत अछि ।

केंब्रिज विश्वविद्यालयके अनुसन्धानकर्तासब मुस पऽ कएने एक अध्ययनस दाबा केलक अछि जे मायके असंतुलित आहारके कारण बच्चामें एकटा आबश्यक जीन काज केनाई बंद क दैत अछि जाहिस ई ख़तरा उत्पन्न हईत अछि ।

प्रोसीडिंग्स ऑफ़ नेशनल एकेडमी ऑफ़ साईंसिसमें छापल एकटा प्रतिबेदनमे उल्लेख अछि जे मायके असंतुलित आहारके कारण बच्चामें इन्सुलिन बनाबय बला जीन प असर होइत अछि ।

ब्रिटिश हार्ट फ़ाऊंडेशनके कहब अछि जे अहि अनुसन्धानस गर्भवति महिलाके पौष्टिक संतुलित आहार खाएके सलाहमें कोनो बदलाव नहि अबैत अछि ।

मुदा फ़ाऊंडेशन ई मनलक अछि जे अहि अनुसन्धानस सबूत भेटैत अछि कि मायके आहारस बच्चाके किछ जीनमें परिवर्तन भ सकैत अछि ।

चैती छठ मनाओल जा रहल


जनकपुर, चैत २६ । मिथिलाञ्चलमे आइ साँझ डुबैत सुर्यके अर्घ दऽ चैती छठि मनाओल जा रहल अछि ।
मिथिलाञ्चलमे श्रद्धा आ भक्तिपूर्वक इ पावनि मनाओल जाइत अछि । चैत्रशुक्ल षष्ठीके साँझ डुबैत सुर्यके अर्घ देलगेल अछि त काल्हि भिन्सरमे उगैत सुर्यके अर्घ दऽ इ पावनिके समापन काएल जाएत ।
तिन दिनधरि मनाओल जाएबला अह पावनिके पहिल दिन काल्हि खरना भेल अछि ।
जनकपुर सहितक तराइके बिभिन्न ठाममे छठि पावनि मनाओल जारहल अछि । पुत्रक दिर्घायु तथा रोगसभसँ मुक्तिके लेल इ पावनि काएल जाइत अछि । विभिन्न ठाममे रहल पवित्र पोखरि जलाशय नदिके कातमे आइ रातभरि व्रतालुसभ घाट पर बसिकऽ इ पावनि मनाबि रहल अछि ।  
जनकपुरक गँगा सागर आ जलेश्वरके प्रसिद्ध वरुणसर पोखरि तथा परशुराम तलाउमे  व्रतालुसबहक भिड देखलगेल  छल ।

गोईत समुहद्वारा भौतिक कारवाहीके चेतावनी


जलेश्वर, चैत २६  । अखिल तराई मुक्ति मोर्चा गोईत समूह जिल्ला विकास समिति महोत्तरीमे विभिन्न विकास निर्माण कार्य सहितक जिविस खर्चमे अनिमियतता करयबला कर्मचारीके भौतिक कारवाही करबाक चेतावनी देलक अछि ।  
मोर्चाक केन्द्रिय पोलिटब्युरो सदस्य पृथ्वीद्वारा हस्ताक्षरित प्रेस विज्ञप्तीमे अनिमियता करयबला कर्मचारीसभके १५ दिन भितर अपने अनिमियतता केने रकम जिविसके खातामे फिर्ता करय परत कहैत ओना नहि हाएत त भौतिक कारवाही करबाक चेतावनी देलगेल अछि ।
सँगहि ओ विज्ञप्ती मार्फत मोर्चा जिल्ला विकास समिति महोत्तरीमे भेल विभिन्न योजना निर्माण कार्य आ जिविस खर्चके पारदर्शी करयके माँग समेत केलक अछि ।
जारी विज्ञप्तीमे स्थानिय विकास कोषक कर्मचारी राजेश पाठकद्वारा तालिमके नाममे एलजी सिडिपीके ८७ लाख रुपैंया अनिमियतता,  जलेश्वर मटिहानी सडक खण्डके ५० लाख रुपैंयाके अनिमियतता ,विद्युतके १ करोड २ लाख रुपैंयाके अनिमियता,  जिविस महोत्तरीमे ईन्धनके नाममे १ लाख ६६ हजार रुपैंयाक खर्च,  खानेपानीके ४० लाख रुपैंया सहितक विकास निर्माणमे भेल हिनामिनाके हिसाब देबय माँग केलक अछि ।
ओ रकमसभ स्थानिय विकास अधिकारी आ जिविस महोत्तरीके किछ कर्मचारीके मिलोमतोमे अनिमियतता काएलगेलासँ जनताके माँग निर्देशनके वुझि अनिमियतता केने रकमसभ १५ दिन भितर जिविसके खातामे फिर्ता करय कहलगेल अछि । रकम फिर्ता नहि काएलगेल त सम्बन्धित कर्मचारीके भौतिक कारवाही करबाक चेतावनी देलगेल विज्ञप्तीमे उल्लेख अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन