Saturday, April 09, 2011

ईन्डियन प्रिमियर लिग


चैत २६ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत  डेकेन चार्जर आ राजस्थान रोयल्स बिच हैदराबादके राजिब गांधि ईन्टरनेशनल मैदानमे आइ भेल खेलमे  राजस्थान रोयल्स ८ बिकेटसँ जित हासिल केलक अछि ।
राजस्थान रोयल्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल डेकेन चर्जर निर्धारीत २० ओभरमे ८  बिकेटक नोक्सानमे १३७ रन बना कऽ राजस्थान रोयल्स समक्ष १३८ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल
डेकेनचार्जरके तर्फसँ बल्लेबाजि करैत  सर्बाधिक रबि तेजा -२८ ,शिखर धवन -२४ , जगि -२५ , आ  डिटी क्रिस्चेन २६ रनक योगदान देने छलथि । तहिना राजस्थानके तर्फसँ बलिङ करैत अमित सिंह ३ , ऐसके त्रिबेदी ३ आ सेन वार्न २ बिकेट लेलनि अछि
प्रतिउत्तरमे उतरल राजस्थान रोयल्स निर्धारित २० ओभरक खेलमे १८ ओभर ५ बल खेलैत २ बिकेटक क्षतिमे जित हासिल करय सफल भेल अछि । राजस्थान रोयल्सक रबि तेजा सर्बिधक २८ रनक योगदान देने छलथि ।
अहिना ,  ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत अखन भ रहल तेसर खेलमे कोची तस्कर्स केरेला, रोयल चैलैन्जर्स बैँगलौर समक्ष  १६२    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।  
कोची तस्कर्स केरेला टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत ५ बिकेटक क्षतिमे १६१ रन बनौलक अछि ।
कोची तस्कर्स केरेला टिमक मैक्कुलम ४५, भिभिएस लक्ष्मण ३६ आ जयबर्द्धने १८ रन बनौलनि अछि ।
अहिबिच, अन्तराष्ट्रिय एकदीबसिय सिरीजके पहिल मैचमे अष्ट्रेलिया बंगलादेशके ६० रनसँ पराजित कएलक अछि।
बंगलादेशक श्रि बंगला नेशनल मैदान मिरपुरमे भेल मैचमे अस्ट्रेलिया बंगलादेशके समक्ष २७१ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल । प्रतिओतरमे बंगलादेश निर्धारीत ५० ओभर खेलैत ५ बिकेटक नोक्सानमे मात्र २१० रन बना कऽ ६० रनसँ मैच हारल अछि।
अष्ट्रेलिया पहिने बैटींग करैत निर्धारीत ५० ओभरमे ७ बिकेटक नोक्सानमे २७० रन बना कऽ बँगलादेश समक्ष २७१ रनक लक्ष्य प्रस्तुत कएने छल। अष्ट्रेलिया तर्फसँ बैटीङ करैत सर्बाधिक माईकल क्लार्क १०१ , वाटसन ३७ , रीकिपोन्टीङ ३४, रनओने छलथि। तहिना बंगलादेश तर्फसँ बलिङ करैत  सुभो -३ , मसरफ मोर्तजा- २ आ अब्दुर रजाक १ बिकेट लेने छलथि।
बंगला देशक तर्फसँ बल्लेबाजि करैत सर्बाधिक  तमिम ईकबाल -६२ , सखिब अलहसन-५१ रन बनओने छलथि। अष्ट्रेलिया तर्फसँ बलिङ करैत ब्रेटलि , जन्सन, हैजटीङस, डोहेरटी आ स्मिथ १-१ बिकेट लेने छलथि।

जेठ १४ गते संविधान नहि बनतः संवैधानिक समितिक सदस्यसभ


२६ चैत, काठमाडौं । संविधान निर्माण करयके प्रमुख जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक समितिक सदस्यसभ आगामी जेठ १४ गते कोनो हालतमे संविधान जारी होबय नहि सकत ठोकुवा केलनि अछि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे समितिका सदस्यसभ संवैधानिक समितिक सदस्यसभ एहन ठोकुवा केलनि अछि ।
कांग्रेस सभासद सुप्रभा घिमिरे जेठ १४ गते नयाँ संविधान जारी होबयके सम्भावना नहि रहल कहैत दलसभमे ईच्छाशक्ति हाएत त ओ समयधरि संविधानके मस्यौदा बना कऽ संविधानसभाके म्याद थपयके धारणा रखलिह ।
एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता देवेन्द्र पौडेल सुनिल एखुनक अवस्थामे संविधान जारी होबय नहि सकत बतौलनि । तैयो ओ जेठ १४ मे कोनो हालतमे संविधान जारी होबय परत  धारणा रखलनि ।
दलित जनजाती पार्टीक सभासद विश्वेन्द्र पासवान जेठ १४ गते कोनो हालतमे संविधान जारी होबय नहि सकत ठोकुवा केलनि । ओ अपनासबहक माँग संबोधन नहि हाएत त संवैधानिक समिति, संविधानसभा आ ब्यवस्थापिका संसदके बैसार बैसय नहि देबयके चेतावनी देलनि । ओ संसदके बैसारमे प्रस्तुत होबयबला समावेशी विधेयकके विरोधमे संसदक बैसार समेत अवरुद्ध करयके चेतावनी देलनि ।

४८ घण्टामे सँविधान निमाण हाएतः कांग्रेस नेतृ कोइरालाक दावी


तनहुँ, चैत २६ । नेपाली कांगेसक नेतृ सुजता कोइराल सम्पुर्ण राजनैतिक दलसभ गम्भिर हाएत त ४८ घण्टाम   नयाँ सिवंधान जारी हाएत बतौलनि अछि
नेपाल रेडक्रक्रस सोसाइटी जिल्ला शाखा तनहुँक २८ हम् जिल्ला साधरण सभाम काइराला कोनो पार्टीके अलग कऽ शान्ती प्रकया सविंधान निर्माण कार्य पुर्ण होबय हि सकत जिकिर कएलनि

थरुहट स्वायत्त राज्य परिषदक अनिश्चितकालिन आमहड्ताल फिर्ता


काठमाण्डौ, चैत २६ । थरुहट स्वायत्त राज्य परिषद आह्नान केने अनिश्चितकालिन आमहड्ताल फिर्ता लेलक अछि
 परिषद काठमाण्डौम पत्रकार सम्मेलनक आयोजना कऽ  चैते दशै छिल्लीकोट महोत्सवके मध्यनजर करैत आइ साँझ पौने ५ बजेसँ आमहड्ताल फिर्ता लेने थरुहट राज्य परिषद जनौलक अछि । एकिकृत नेकपा माओबादी एमाले फोरम बिच भेल सम्झौता खारेजीक माकरैत थरुहट काल्हिसँ दाङ, बाके, बर्दिया, कैलाली कंचनपुर सहितक तराईक २२ जिल्लाम  अनिश्चीतकालिन आमहड्तालक आह्वान केने छल । आमहड्ताल फिर्ता लेलाबाद यातायातक साधन संचालनमएल अछि
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

पूर्ण बजेट लाबय माओवादी सकारात्मक


२६ चैत, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादी सरकार बैसाखम ल्या कहने  आगामी पूर्ण बजेट प्रति सकरात्मक देखलगेल अछि
माओवादी संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमैसल दु दलक बैसारमे माओवादी अपन भावना समेटय जका लाओल जाएबला नयाँ बजेटक सन्दर्भम सकारात्मक प्रतिकृयाेने एमालेक प्रमुख सचेतक भीम आचार्य जानकारी देलनि अछि
अहिना, बैसारमे सरकार सचालनकेल जल्दिए आचारसंहिता बनाबयके निर्णय सेहो भेल अछि  काल्हिए माओवादीक पदाधिकारी बैसारसँ सरकार एकलौटी निर्णय कऽक बजेट लाबय लागल कहैत सरकारसँग गम्भीर बिमर्श करयके निर्णाय केने छल । माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश सेहो पूरक बजेट लाबयके समय नहि ेलासँ पूर्ण बजेट लाबय अपनेसभ सकारात्मक रह बतौलनि । बैसारमे न्यूनतम साझा कार्यक्रम मन्त्रिमण्डल विस्तारक  विषयम समेत बिमर्श भेल छल

एएफसी च्यालेन्ज कप छनोट प्रतियोगितामे नेपाल पराजीत


२६ चैत, काठमाडौं । एएफसी च्यालेन्ज कप फुटबलक छनोट चरणक अपन दोसर खेलम नेपाल उत्तर कोरियासँग पराजित भेल अछि । खेलम दु बेर विश्वकप खेल चुकल उत्तर कोरियाके नेपाली खेलाडीसभ कडा चुनौति देने छल
दशरथ रंगशालाम आइेल खेलम उत्तर कोरिया नेपालके १-० सँ पराजित केलक अछि । नेपाली डिफेण्डर केने गल्तीक फाइदा उठबैत खेलक ३० अम् मिनेटम उत्तर कोरियाकेल जोन इल ग्वाङ पोस निर्णयक गोल केलनि
जितसँग उत्तर कोरियाक ६ अंक भेल अछि  नेपाल अफगानिस्तानक समान ३ अंक अछि । सोमदिन नेपाल श्रीलंकासँग तथा अफगानिस्तान उत्तरकोरियासँग खेल

बैशाख १४ गते नेवा आ तासालिङ बन्दक घोषणा


२६ चैत, काठमाडौं । नेवाः स्वायत्त मंकाः संघर्ष समिति तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समिति संयूक्त मोर्चा निर्माण करैत संविधान निर्माणक लेल दबाव देबय आन्दोलनक घोषणा केलक अछि
नेवाः तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समिति आइ राजधानीम पत्रकार सम्मेलन आन्दोलनक घोषणा केलक अछि । समितिक आन्दोलनक कार्यक्रमसभमे नेवाः तामसालिङ बन्द सहितक मसाल जुलुस, आमसभा सहितक रहल अछि । घोषित आन्दोलनक कार्यक्रमम बैशाख १४ गते अखण्डित नेवाः ताम्सालिङ स्वायत्त क्षेत्र बन्द, चैत्र ३० गते आमसभा करयके बैशाख १३ गते मसाल जुलुस करय जेहन कार्यक्रमसभ रहल अछि
समिति जेठ १४ गते धर्म निरपेक्ष, जातीय स्वायत्तता, संघीयता, लोकतन्त्र गणतन्त्रयूक्त आदीवासी जातिमैत्रि संविधान जारी होबयके, संक्षिप्त संविधान जारी नहि करयके, आत्मनिर्णय राजनैतिक अग्राधिकार सहितक संघीयता बनाबयके, प्रादेशिक भाषाके केन्द्रीय सरकारक कामकाजी भाषाक रुपम मान्यता देबयके, सहितक  मासभ आगु घुसकौलक अछि
पत्रकार सम्मेलनम तामसालिङ संयूक्त संघर्ष समितिक परशुराम तामाङ अखण्डित नेवा तामसालिङ राज्यक साथ जनताके मालिक बनाबयके प्रदेश निर्माणम षडयन्त्र भ रहलासँ आन्दोलनम उतरल परल बतौलनि । माओवादी केन्द्रीय सदस्य कमानसिँह लामा संविधानसभाक म्याद थपयके बात अपनासभके मान्य नहि हाएत कहैत जेठ १४ गतेभितरे संविधान जारी कराबय दबाव स्वरुप आन्दोलन केने दावी कएलनि

सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु


नबलपरासी, चैत २६ । नवलपरासीक पहाडी गाविसम आइेल जिप दुर्घटनाम एक गोटेके मृत्यु भेल अछि  तीन गोटे गम्भीर घाइेल अछि
डेडगाउँसँ दलदलेदिस जा रहल लु ज १३६१ नम्बरक जिप सडकसँ उनटला सँ नाम खुजयहि सक एक पुरुषक मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । जौवारीमेल दुर्घटनाम तीन गोटे गम्भीर घाइेल अछि ।

गर्भावस्था, पौष्टिक आहार आ मधुमेह - स्वास्थ्य


वैज्ञानिकके कहब अछि जे गर्भावस्थामें मायके पौष्टिक आहार नै मिलला पर बच्चा बडका भेलापर मधुमेहके ख़तरा बढ़ैत अछि ।

केंब्रिज विश्वविद्यालयके अनुसन्धानकर्तासब मुस पऽ कएने एक अध्ययनस दाबा केलक अछि जे मायके असंतुलित आहारके कारण बच्चामें एकटा आबश्यक जीन काज केनाई बंद क दैत अछि जाहिस ई ख़तरा उत्पन्न हईत अछि ।

प्रोसीडिंग्स ऑफ़ नेशनल एकेडमी ऑफ़ साईंसिसमें छापल एकटा प्रतिबेदनमे उल्लेख अछि जे मायके असंतुलित आहारके कारण बच्चामें इन्सुलिन बनाबय बला जीन प असर होइत अछि ।

ब्रिटिश हार्ट फ़ाऊंडेशनके कहब अछि जे अहि अनुसन्धानस गर्भवति महिलाके पौष्टिक संतुलित आहार खाएके सलाहमें कोनो बदलाव नहि अबैत अछि ।

मुदा फ़ाऊंडेशन ई मनलक अछि जे अहि अनुसन्धानस सबूत भेटैत अछि कि मायके आहारस बच्चाके किछ जीनमें परिवर्तन भ सकैत अछि ।

चैती छठ मनाओल जा रहल


नकपुर, चैत २६ । मिथिलाञ्चलम आइ साँझ डुबैत सुर्यकेर्घ चैती छठि मनाओल जा रहल अछि ।
मिथिलाञ्चलम श्रद्धा भक्तिपूर्वक पावनि मनाओल जाइत अछि । चैत्रशुक्ल षष्ठीक साँझ डुबैत सुर्यके अर्घ देलगेल अछि त काल्हि भिन्सरमे उगैत सुर्यक अर्घ दऽ इ पावनिके मापन काएल जाएत ।
तिन दिनधरि मनाओल जाएबला अह पावनिके पहिल दिन काल्हि खरना भेल अछि ।
जनकपुर सहितक तराइके बिभिन्न ठाममे छठि पावनि मनाओल जारहल अछि । पुत्रक दिर्घायु तथा रोगसभसँ मुक्तिके लेल इ पावनि काएल जाइत अछि । विभिन्न ठाममे रह पवित्र पोखरि जलाशय नदिक कातमे आइ रातभरि व्रतालुसभ घाट पर बसिकऽ इ पावनि मनाबि रहल अछि  
जनकपुरक गँगा सागर आ जलेश्वरक प्रसिद्ध वरुणसर पोखरि तथा परशुराम तलाउम  व्रतालुसबहक भिड देखलगेल  

गोईत समुहद्वारा भौतिक कारवाहीके चेतावनी


जलेश्वर, चैत २६  अखिल तराई मुक्ति मोर्चा गोईत समूह जिल्ला विकास समिति महोत्तरीम विभिन्न विकास निर्माण कार्य सहितक जिविस खर्चम अनिमियतता करयबला कर्मचारीके भौतिक कारवाही करबाक चेतावनी देलक अछि 
मोर्चाक केन्द्रिय पोलिटब्युरो सदस्य पृथ्वीद्वारा हस्ताक्षरित प्रेस विज्ञप्तीम अनिमियता करयबला कर्मचारीसभके १५ दिन भित अपने अनिमियतता केने रकम जिविसक खाताम फिर्ता करय परत कहैत ओना नहि हाएत त भौतिक कारवाह करबाक चेतावनी देलगेल अछि
सँगहि ओ विज्ञप्ती मार्फत मोर्चा जिल्ला विकास समिति महोत्तरीमेल विभिन्न योजना निर्माण कार्य जिविस खर्चके पारदर्श करयके माग समेत केलक अछि
जारी विज्ञप्तीम स्थानिय विकास कोषक कर्मचारी राजेश पाठकद्वारा तालिमक नामम एलजी सिडिपीक ८७ लाख रुपैंया अनिमियतता,  जलेश्वर मटिहानी सडक खण्डक ५० लाख रुपैंयाक अनिमियतता ,विद्युतक १ करोड २ लाख रुपैंयाक अनिमियता,  जिविस महोत्तरीम ईन्धनक नामम १ लाख ६६ हजार रुपैंयाक खर्च,  खानेपानीक ४० लाख रुपैंया सहितक विकास निर्माणमेल हिनामिनाक हिसाब देबय माकेलक अछि
रकमसभ स्थानिय विकास अधिकारी जिविस महोत्तरीकिछ कर्मचारीक मिलोमतोम अनिमियतता काएलगेलासँ जनताक माग निर्देशनके वुझि अनिमियतता केने रकमसभ १५ दिन भित जिविसक खाताम फिर्ता करय कहलगेल अछि । रकम फिर्ता नहि काएलगेल त सम्बन्धित कर्मचारीके भौतिक कारवाही करबाक चेतावनी देलगेल विज्ञप्तीम उल्लेख अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन