Sunday, January 08, 2012

अन्ना हजारेके आइ भिन्सर अस्पतालसँ छुट्टी


२४ पुष भारत । सामाजिक कार्यकर्ता अन्ना हजारेके आइ भिन्सर अस्पतालसँ छुट्टी मिल गेल छन्हि । ओ पुणे के संचेती अस्पतालमें भर्ती छलथि ।

अन्नाके संक्रमणके शिकायत के बाद ३१ दिसंबरके भर्ती कराओल गेल छल । अन्ना पुणेके अस्पताल सँ सीधा रालेगणके लेल प्रस्थान केने छलथि ।

अन्ना  कहलनि जे हुनकर तबियत ठिक अछि मुदा केनि क कमजोरी अछि । अन्नाके देखभाल कऽ रहल डॉक्टर  अखन तीन हफ्ता घरे पर  आराम करयके सलाह देने  अछि । अन्ना पूरा स्वस्थ्य भेलाक बाद अन्नाक टीम अपन अगिला कार्यक्रमके घोषणा करत ।

बिग बॉस के सीजन -5 के विजेता जूही परमार


२४ पुष भारत । रिएलटी शो बिग बॉस के सीजन -5 के विजेता जूही परमार बनय सफल भेलिह अछि ।

बिग बॉसके घरके इ सफर ९८ दिन पहिनेही शुरू भेल छल । १४ गोटेके सँग जुही बिगबाँसके घरमे रहय शुरु केने छलिह । जूहीके एक करोड़के इनाम  देल गेल अछि ।

जूही महक चहल, सिद्धार्थ भारद्वाज, अमर उपाध्याय आ स्काइके हरा कऽ बिग बॉस जीतलिह अछि ।

मध्य प्रदेशमें जन्म भेल आ राजस्थानमें पलल -बढ़ल जूही जयपुरके छथि आ ओ सन १९९९ में मिस राजस्थान सेहो बनि चुकल छथि ।

विश्वके सबसँ उँच पुलके उदघाटन


२४ पुष एजेन्सी । उत्तरी मेक्सिकोके पहाडी क्षेत्रमे बनल विश्वके सबसँ उँच पुलके उद्घाटन भेल अछि । मेक्सिकोके कठिन रास्तामे बनल बुलआर्ट पुल ४ सय ३ मिटर अर्थात १३२२ फुट उँच अछि ।

  पुलके आगु पेरिसके एन्फिल टावर सेहो बहुत छोट देखाइत अछि । स्पेनसँ मेक्सिकोके स्वतन्त्र भेल २ सय वर्षके अबसरमे आयोजित उद्घाटन कार्यक्रममे गिनिज बुक अफ दि बर्ड रेकर्डके अधिकारी सेहो उपस्थित छलथि ।

११२४ मिटर लम्बा पुल अखन सर्बसाधारणके आवतजावतके लेल खुला नहि कएलगेल अछि । किछ समय बाद ओ पुल सर्बसाधारणके लेल खुला होयबाक  अनुमान कएलगेल अछि ।

मृत्यु होवयबलाके संख्या ११ पहुँचल,शोकमे बजार वन्द


२४ पुष लमही । दाङमे काल्हि भेल सवारी दुर्घटनामे परि मृत्यु होवयबलाके संख्या ११ पहुँचल अछि ।

इलाजक क्रममे आइ कोहलपुर मेडिकल कलजेमे दाङ सिसहनिया४ पिपरीके जयमंगल प्रसाद गुप्ताके मृत्यु भेलाबाद दुर्घटनामे परि मृत्यु हवोयबलाके संख्या ११ पहुँचल अछि । ६ गोटेक घटनास्थलेमे,  काल्हि इलाजक क्रममे ४ गोटेके आ आइ भिन्सर १ गोटेके मृत्यु भेल अछि । घटना मे परि घाईल भेल ४ गोटेके कोहलपुर मेडिकल कलेजमे इलाज भऽ रहल अछि ।

अहि बीच सवके शोकमे डुवावय जका  भेल सवारी दुर्घटना प्रति दुःख ब्यक्त करैत आह्वान कएल गेल बन्दक कारण लमहीके जनजीवन पुर्णरुपमे ठप्प भेल अछि

बाँकेमे ट्रकमे पिचा कऽ एक गोटेके मृत्यु


२४ पुष बाँके । ट्रक दुर्घटनामे परि बर्दियामे बितलराति एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

बर्दियासँ धान लऽ क पुर्वदिस जाऽ रहल ना २ ख ९२६९ नम्वरक ट्रक बर्दियाके बेलुवा गाविसके मानखोला लग उनटला सँ चालक बच्चुराम चौलागाँईके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल बर्दिया पुलिस जनौलक अछि ।

जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय बिमर्श


२४ काठमाण्डौ । नयाँ संविधानक एकीकृत मस्यौदा उपर आगामी फागुन २३ गतेसँ चैत्र १५ धरि होवयबला जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय वारे संविधानसभाके जनमत संकलन समिति आइ सरकारक विभिन्न मन्त्रालयसंग बिमर्श केलक अछि ।

संविधानसभा सचिवालय सिंहदरवारमे आइ भेल बैसारमे सरकारक मन्त्री आ सचिव जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय सहयोग करयके प्रतिबद्धता जनौलक अछि । स्थानिय विकासमन्त्री टोपबहादुर रायमाझी जिल्ला, नगरपालिका आ गाबिस धरि जनमत संकलनके प्रभावकारी बनावय स्थानिय विकास मन्त्रालयके नेतृत्वदायी भूमिका निभावय परत बतौलनि । फागुन धरिमे स्थानिय निकायके वैकल्पिक व्यबस्था भऽ सकल तऽ जनमत संकलन कार्य प्रभावकारी हाएत कहैत सहमति कऽ देबय राजनीतिक दलसबसंग आग्रह कएलनि ।

परराष्ट मन्त्रालयके सचिव दुर्गाप्रसाद भट्टराइ विदेशमे रहल नेपालीके सुझाव संकलनके लेल परराष्ट मन्त्रालय समन्वय करत बतौलनि ।  बैसारमे प्रधानमन्त्री बावुराम भट्टराइ, उपप्रधान एवं गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार, उपप्रधान एवं परराष्टमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ, संचारमन्त्री जेपी गुप्ताके बजबितो स्थानिय विकास मन्त्री बाहेक कियो उपस्थित नहि छलथि । सभासदसब संविधान निर्माण प्रक्रियाके महत्व नहि देने आरोप लगौलक अछि ।

कांगे्रस सभासद बालकृष्ण खाड संविधान निर्माणमे सरकारक सहयोग अत्यावश्यक हवइतो प्रधानमन्त्री वेवास्ता केने आरोप लगौलनि । सभासद प्रेम बहादुर सिंह सामान्य कार्यक्रम उदघाटन करय जाएबला प्रधानमन्त्री संविधान निर्माणके कामके महत्व नहि देने कहैत दुःख व्यक्त कएलनि । जनमत संकलनके राष्टिय पर्वके रुपमे मनावय सभासदसब सरकारके सुझाव देलक अछि । जनमत संकलनमे जाए समय शान्ति सुरक्षा सहितक व्यबस्था करय बिषयमे बात करय संविधानसभाके समिति प्रधानमन्त्री सहित प्रभावशाली मन्त्रीसबके बजौने छल ।

चीन पर जल सीमाके उलंघन करयके आरोप


२४ पुष फ़िलीपिंस । फ़िलीपिंस चीन पर अपन जल सीमाके उलंघन करयके आरोप लगौलक अछि ।

दक्षिण चीन सागरके बिषयमे इ सबसँ नयाँ विवाद अछि । एक बयानमें फ़िलीपिंसके सरकार कहलनि जे ओ २ टा चीनीया जहाज़के बितल महीना अपन जल सीमामे प्रवेश करैत देखने छल । बयानमें कहल गेल छैक जे अहिमे सँ एकटा सेनाके जहाज़ छल ।

फ़िलीपिंस  अहिसँ आगु  १० साल पहिने केने एक समझौताके उलंघन भेल बतौलक अछि । चीन अहि बिषयमे अखनधरि कोनो  प्रतिक्रिया नहि देने अछि ।

सीरियामें कम स कम २७ गोटेके मृत्यु


२४ पुष सीरिया । सीरियामें काल्हि अलग अलग स्थान पर भेल संघर्षमें कम स कम २७ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

विपक्षी समुह आ स्थानीय समन्वय समितीके अनुसार होम्स शहरमें  १३ गोटेके मृत्यु भेल अछि । अरब लीगके पर्यवेक्षक अहि समय एक क्षेत्रीय शांति योजनाके समीक्षाके लेल सीरियामें अछि मुदा अहु बिच हिंसामें कोनो  कमी नहि  आएल अछि ।

राजधानी दमिश्कमें शुक्रदिनके एक बम बिष्फोटमे मृत्यु भेल २६ गोटेके अन्तिम सँस्कारके लेल सरकार आयोजन केने छल । जाहिमे हज़ारों लोग सहभागी छल आ ओहिमे झडप भेल छल ।

सरकारके कहब अछि जे अहि बम बिष्फोटनके कड़ा जवाब देल जाएत मुदा विपक्षके कहब छैक जे इ बिष्फोटन सरकारे करवौने अछि ।

संयुक्त राष्ट्रके कहब अछि जे राष्ट्रपति बशर अल असद के बिरुद्ध १० महीना सँ चलिरहल विरोध प्रदर्शनमें अखनधरि ५ हजारसँ बेसीके  मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

१ सय १९ किलो सुनाखरी बरामद


काभ्रे, पुस २४ । अरनिको राजमार्ग होइत नुका कऽ चिनियाँ बजारमे लऽ जाऽ रहल प्रतिबन्धित सुनाखरी पुलिस आइ बरामद केलक अछि । सिन्धुपाल्चोक जिल्लास्थित इलाका प्रहरी कार्यालय बाह्रविसे चेकजाँच करयके क्रममे १ सय ९९ किलो सुनाखरी आइ बरामद केलक अछि ।

 ना.३ ख ४१६ नम्बरक कन्टेनरमे नुका कऽ खासा दिस लऽ जाऽ रहल बाग्मती अञ्चल प्रहरी कार्यालयके प्रमुख पशुपति उपाध्याय जानकारी देलनि । सुनाखरीसँगै कन्टेनरके चालक नुवाकोटके शिव बहादुर थापाके सेहो पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

चेकजाँच करयके क्रममे चकलेटके कार्टुन भितर नुका कऽ खासा दिस लऽ जाऽ रहल सुनाखरी बरामद केने आ अहिके बारेमे बिस्तृत अनुसन्धान कऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

टीभीमा मान्छेको मासु खाने ‘रियालिटी सो’



आजभोली टेलिभिजनमा ‘रियालिटी सो’को फेसन छ । रियालिटी सोका नयाँ नयाँ तरिका अपनाउने होडबाजी टेलिभिजनहरुवीच छ । यस्तैमा नेदरल्याण्डको एक टेलिभिजनले मान्छेको मासु काटेर खाने कार्यक्रम प्रसारण गरेको छ । नेदरल्याण्डको बीएनएन टेलिभिजनमा कार्यक्रम चलाउने दुई जना संचालकले एक अर्काको पेट र नितम्बको मासु काटेर फ्राइ गरि खाएको दृष्य टेलिभिजनबाट प्रसारण गरियो ।

गत डिसेम्बर २१ तारिखमा प्रसारण भएको सोमा संचालक डेनिस स्टोर्मको नितम्ब र अर्का संचालक भलेरियो जेनोको पेट काटिएको थियो । ‘टेष्ट र्‍याबिट’ नामको सो कार्यक्रममा उनीहरुले एक अर्काको फिला निकालेका थिए भने सेफले तेलमा तारेका थिए । कार्यक्रममा उपस्थीत दर्शकका अगाडी दुवैले मिठो मानेर एक अर्काको मासु खाएका थिए । मासुमा कुनै पनि मसला र नुन हालिएको थिएन, किनभने उनीहरु मान्छेको मासुको खास स्वाद थाहा पाउन चाहान्थे । मासुलाई सूर्यमुखी फुलको तेलमा तारिएको थियो ।
डेनिस स्ट्रोम भन्छन- ‘स्वादमा खासै त्यस्तो केही भिन्नता थिएन, तर साथीको शरिरबाट मासु लुछिरहँदा उसको आँखामा देखिएको पिडा भने हेर्न सकिन् ।’ जेनो र स्ट्रोमले यस्तो आइडिया ‘अलाइभ’ नामक चलचित्र हेरेपछि बिकाश भएको बताए । चलचित्रमा एक दुर्गम गाउँमा बिमान दुर्घटनापछि कसरी जिवितहरुले मान्छेको मासु खाएर बाँच्छन भन्ने देखाइएको छ । त्यसपछि मान्छेको मासु कस्तो होला भन्ने कौतुहलताले सताएको जेनोले रोयटर्स समाचार समितिलाई बताएका छन् । पहिलोपटक टिभीमा मान्छेको मासु तारेर खाएपनि आइन्दा त्यसो गर्ने पक्षमा छैनन दुवै जना । भन्छन- ‘यसका लागि धेरै शक्ति खर्च हुने रहेछ ।’

तर यतिखेर नेदरल्याण्डमा त्यो टीभी सो वास्तविक हो कि अभिनयमात्र गरिएको हो भन्नेमा बहस हुन थालेको छ । यसअघि सोही टेलिभिजनबाट प्रसारित एक किड्नी दान सम्बन्धी रियालिटी सोलाई अन्तिममा अभिनयमात्र भएको बताइएको थियो । यद्यपि टिभि सोका उत्पादकले मासु काटेर खाएको वास्तविक भएको र उनीहरुको शरिरमा मासु निकालिएको ठाउँ अझैपनि देख्न सकिने बताएका छन् ।

पेन्टी देखाउँदै न्यूयोर्कमा हजारौं नाङिए


आइतवार अर्थात जनवरी ८ तारिखका दिन अमेरिकाको राजधानी न्यूयोर्कसहित बिश्वका करिव ५० वटा मुख्य शहरका हजारौं तन्नेरी युवायुवतीहरु कम्मरमुनी अण्डरवेयरमात्र लगाएर हिड्नेछन् ।

भर्खरै जवानीले छोएकादेखि आधा जोवन ढल्किसकेका महिला र पुरुषले बिनासंकोच सवबेमा आफ्नो पेन्टीमात्र लगाएर यात्रा गर्नेछन् । एकअर्कालाई खासै चिनेजस्ता नदेखिने यी युवायुवतीहरुले जाडोमा लगाउने ओभरकोट, पंजा,

facebook Page Like

  • मनोरँजन