Tuesday, March 08, 2011

फ़ेसबुक प आत्महत्या अलर्ट सिस्टम - बिज्ञान


सोशल नेटवर्किंग साइट फ़ेसबुक एहन प्रणाली लॉन्च क रहल अछि जाहिके मददस लोक अपन एहन साथीके बारेमें रिपोर्ट क सकैत अछि जे ओकरा नज़रमें आत्महत्या करयके बारेमें सोचिरहल अछि ।

ई सुविधा समैरिटन्स नामक संस्थाके सँग मिल कऽ शुरु काएलगेल अछि आ अहि संस्थाके कहब अछि जे प्रणालीके जाँचयके समय बहुत गोटे एकर उपयोग केलक ।

ई संस्था एहन लोकके भावनात्मक समर्थन दैत अछि जे टेन्सन या मुश्किल समयस गुज़रि रहल अछि आ एहन गोटे जे आत्महत्याधरि क सकैत अछि ।

जँ आँहा अपन कोनो दोस्तके ल क चिंतित छी त फ़ेसबुक प अपन चिंताके बारेमें लिखैत एकटा फ़ॉर्म भरऽ परत जे फॉर्म साइटके मॉडरेटरों तक पहुँचाओल जाइत अछि ।

आँहाके फ़ेसबुकके ओ पेजक U R L सेहो देबय परत जतय आत्महत्या करके बिषयमे संदेश लिखने छैक । अहिके बाद यूज़रके नाम आ ओ कुन कुन नेटवर्कके सदस्य अछि सेहो जानकारी देबय परत ।

आत्महत्या संबंधी संदेशके बारेमें फ़ेसबुकके टीमके अलर्ट कएल जाएत ।

संघर्षक मुडमे मणिपुरी अलगाववादी

एजेन्सी, फागुन २४ । पूर्वी क्षेत्रक शीर्ष अलगाव वादी नेता राजकुमार मेघेन केंद्र सरकारके सँग कोनो किसिमक वार्ता नै करब बतबैत ओ अपन गृह प्रदेश मणिपुरक आज़ादीके लेल सशस्त्र संघर्ष करब बतौलनि ।

असमके गुवाहाटीमें अदालतमें पेश होबयकाल मेघेन अपन वकीलके फोनस बीबीसीस बातचीत करैत कहलनि जे ओ कोनो किसिमक वार्ताके लेल तैयार नहि छथि ।
ओ कहलनि जे हमरासबके संयुक्त राष्ट्रके निरीक्षणमें मणिपुरमें जनमत संग्रह चाही आ हमरा लग कोनो कारण नहि अछि जे हम अपन बिचार बदलु ।

भारतीय अदालतमें मेघेन प अखन देशद्रोहके मुद्मा चलिरहल अछि ।

पाकिस्तानमें बिष्फोट, १७ गोटेके मृत्यु

पाकिस्तान, फागुन २४ । पाकिस्तानक फ़ैसलाबादमें एकटा गैस स्टेशन पऽ भेल बिष्फोटमे परि कम स कम १७ गोटेके मृत्यु भेल अछि ४ दर्जनस बेसी गोटे घाईल अछि ।

पुलिस प्रमुखके अनुसार चरमपन्थी करौने कार बम बिष्फोटस ई घटना भेल अछि । बिष्फोटनस आसपासमे बहुत नोक्सान भेल अछि आ ५० स बेसि गोटे घाइल भेल अछि ।

बिष्फोटनस किछ घरसब ढहि गेल अछि त किछ गाडीसब सेहो जरि कऽ नष्ट भेल अछि । ढहल घरसबमे अखनो बहुत गोटे पिचाएल होबयके आशँका रहलास .घाइल तथा मृतकके सँख्या आओर बढय सकबाक पुलिसक अनुमान अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन