Wednesday, December 21, 2011

'ललीपप' देवयके सरकारक तयारी


काठमाडौं, पुस ६ । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादवले नेपाली सेनामे तीन हजार मधेसीके प्रवेश करावयके सरकारक निर्णय मधेसीके 'ललीपप' खुवा कऽ मधेसक मुद्दाके ओझरावयके षड्यन्त्र रहल दाबी केलनि अछि ।

राजधानीमे आइ आयोजित साक्षात्कारमे यादव नेपाली सेनाके जनसंख्याके आधारमे समूहगत रुपमे मधेसीके प्रवेश करा कऽ समावेशी बनावयके माँग केलनि । 'पूर्व सहमति अनुसार नहि भेलासँ मधेसमे जल्दिए भीषण आन्दोलन हाएत ओ कहलनि ।

यादव विगतमे १० हजार मधेसीके सेनामे समूहगत प्रवेश करावयके सहमति होइतो सत्ता टिकावय लेल मधेसी मोर्चा ३ हजारमे मानने आरोप लगबैत कार्यान्वयन तहमे जाएधरि ३ सयके प्रवेश हाएत कि नै मे  आशंका ब्यक्त कएलनि ।

मधेसीके सेनामे प्रवेश आगु नेपाली सेनाके एकाङ्की संरचनाके अन्त्य, राष्ट्रिय सुरक्षा नीति निर्माण, सेनाके आवश्यकता, औचित्य, संख्या निर्धारण आ सेनामे नागरिक सर्वोच्चता स्थापना करयके तर्क कएलनि ।

कार्यक्रममे तराई मधेस  लोकतान्त्रिक पार्टीक नेता एवं कानुन मन्त्री बृजेशकुमार गुप्ता अन्तरिम संविधानक पाँचम संशोधनके क्रममे सब दल मत दऽ क सेनाके समावेशी बनावयके बात केलासँ मधेसीके सेनामे प्रवेश अखनेके सरकार मात्रे नहि केने दाबी कएलनि ।

ओ नेपाली सेना समावेशी बनावयके नीति पत्र तयार केने देने जानकारी दैत आब सरकार ओ नीति पत्र अनुसार कानून समेत संशोधन करत बतौलनि ।

संविधानके सहमति भऽ चुकल विषयमे वैद्य पक्षक आपत्ति


काठमाडौ, पुस ६ । उपसमितिमे सहमति भऽ चुकल कतेकौ विवादित विषयमे माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्ष आपत्ति जनबैत पुनः बिमर्शक माँग केलक अछि ।

संवैधानिक समितिक आजुक बैसारमे संविधानमे जमिन तथा सम्पत्तिके हदबन्दी नहि तोकयके, १८ वर्ष पहुँचलसबके अनिवार्य सैन्य तालिम लेवय नहि परयके विषयमे भेल सहमति उपर वैद्य पक्षीय सभासदसब आपत्ति जनौलक अछि ।

ओ विषयसब उपर फेउर बिमर्श कऽ संशोधन करयके माँग ओसब केने अछि । वैद्य समूह हदबन्दी आ अनिवार्य सैन्य तालिमके संवैधानिक व्यवस्था होवयके पक्षमे अछि । लडाकु समायोजन शब्द सेहो नयाँ संविधानमे उल्लेख करयके ओकरसबहक अडान अछि ।

समिति बैसारमे वैद्य पक्षक माओवादी प्रमुख सचेतक देवप्रसाद गुरुङ, सभासदद्वय जयपुरी घर्ति आ खड्गबहादुर विश्वकर्मा पूर्व सहमतिसब उपर आपत्ति जनौलनि अछि ।

अहिना, १८ वर्ष पहुँचल नेपाली नागरिक आमनिर्वाचनमे मतदाता होवयके उपसमितिमे भेल सहमति उपर नेपाल मजदुर किसान पार्टीक सभासद सुनिल प्रजापति आ नेकपा एकीकृतके सभासद परि थापा सहितक आपत्ति जनौलक अछि । ओसब १६ वर्षमे नागरिकता पौअनेसब वायह उमेरमे मतदानके हक पावयके चाही बतौलनि ।

संवैधानिक समितिक बैसारसँ प्रान्तीय संसदके नाम 'प्रदेश सभा' राखयके विषयमे सहमति जुटौलक अछि । प्रदेशसबहक गठनके बाद ओतय रहयबला संसदके नाम कि राखल जाए विषयमे दलसबबीच मतभेद छल । 

गच्छदारसँग आश्वस्त भेलाबादे चिनियाँ प्रधानमन्त्री आओत


काठमाडौ, पुस ६ । दु पक्षीय सुरक्षा वैसार तथा चिनियाँ सरकारक बहुते नौताके बेवास्ता करैत चीन भ्रमणमे रुची नहि देखौने उपप्रधानमन्त्री एवं गृहमन्त्री बिजयकुमार गच्छदार चीन भ्रमणमे जाए सहमत भेल छथि ।

गृहमन्त्रीके ब्यबहारक कारण स्थगित भेल बुझैत आएल चिनियाँ प्रधानमन्त्री बेन जियाबाओके नेपाल भ्रमण सेहो गच्छदारक चीन भ्रमणबाद तय होवयके बिश्वास कएलगेल अछि ।

सोमदिन चिनियाँ राजदूत योङ होउलानसँगके भेटमे गृहमन्त्री गच्छदार अपने एक महिनाभित्रे चीन भ्रमणमे जाएके आश्वासन देने बतौलनि । ओ भ्रमणके क्रममे गच्छदार चिनियाँ पक्षके काठामाण्डौमे सुरक्षा ब्यबस्था कडा करयके आ तिब्बतीसबके प्रर्दशन होवय नहि देवय जका आश्वस्त करत तखने चिनियाँ प्रधानमन्त्री नेपाल आवयके मिति तय हाएत गृह मन्त्रालय उच्चस्रोतक दावी अछि ।

लोकपाल पर लड़ाईके लेल तैयार: सोनिया गांधी


६ पुष भारत । भारतक यूपीए अध्यक्ष सोनिया गांधी कहलिह जे ओ लोकपाल बिल पर लड़ाई लड़य लेल तैयार छथि ।

सोनिया गांधी लोकपाल बिल आ महिला आरक्षण बिलके लेल लडब बतौलिह अछि । ओ कहलिह जे विपक्ष आ अन्ना हज़ारेके टीमके सरकारके दिससँ आबयबला बिलके स्वीकार करय चाही । सोनिया गांधी  लोकपाल बिल के एक अभूतपूर्व विधेयक बतौलिह 

केंद्रीय मंत्रिमंडल बितल साँझ लोकपाल बिलके मंज़ूरी देने छल ।

सोमालियाके एक गाँव पर हवाई हमला


६ पुष सोमालिया । सोमालियाके राजधानी मोगादिशू स्थित कीनियाके सीमासँ सटल एकटा गाँव पर हवाई हमला भेल अछि ।

अहि हमलामे  कम सँ कम ११ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ  २० गोटे घाइल भेल अछि । मुदा अखनधरि कमला के केलक से पता लागय नहि सकल अछि ।

इ हमला धोबले इलाक़ामें भेल अछि जे सोमालियाके सरकार आ कीनियाई सैनिकके नियंत्रणमें अछि ।

सत्रह हज़ार मुर्ग़िके मारयके आदेश


६ पुष चिन । हांगकांगमें एकटा मुर्गीमे बर्ड फ़्लू सँ संक्रमित भेटलाबाद ओतयके सरकारी विभाग  कम सँ कम १७ हज़ार मुर्गीके मारयके आदेश देलक अछि ।

अधिकारी हांगकांगमें अगिला तीन सप्ताहधरिके लेल दोसर शहरसँ मुर्गी लावय पर सेहो रोक लगा देलक अछि ।

हांगकांगके अधिकारी इ पता लगावयमे कोशिशमे अछि जे इ बर्ड फ़्लू सँ संक्रमित मुर्गी कतयसँ लाओल गेल छल ।

बढैत लोडसेडिङप्रति प्रधानमन्त्रीक ध्यानाकर्षण


६ पुष काठमाण्डौ । बढैत लोडसेडिङ कम करयके उपायके सम्बन्धमे प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई आइ उर्जा मन्त्रालय आ नेपाल विद्युत प्राधिकरणके अधिकारीसबसँग बिमर्श कऽ रहल छथि ।

बैसारक लेल सिंहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री कार्यालयमे बजाओलगेल अछि । बैसारमे उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी, उर्जासचिव सहितक मन्त्रालयके अधिकारी आ प्राधिकरणके उच्च अधिकारीके बजाओलगेल प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि । ठण्डी समय सुरु होइते जलासयसबमे पानिके कमी अएलाबाद ओइके असर विद्युत उत्पादनमे परलासँ नेपाल विद्युत प्राधिकरण काल्हिएसँ दैनिक १० घण्टाके दरसँ लोडसेङडि केलाबाद प्रधानमन्त्री ओइ सम्बन्धमे चाँखि लेलनि अछि ।

बैसारमे लोडसेडिङ घटावय उर्जा मन्त्रालय खरिद करय लागल डिजल प्लान्टके लागत आ खरिद प्रक्रियाके विषयमे बिमर्श भऽ रहल प्रधानमन्त्रीनिकट स्रोत जनौलक अछि । स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री भट्टराई तत्कालके लेल महंग होइतो लोडसेडिङ घटावय तत्काल डिजल प्लान्ट लावय अधिकारीसबके निर्देशन देवयके तयारी कएलनि अछि ।

उर्जा मन्त्रालय दु सय मेघावाट क्षमताके डिजल प्लान्ट खरिदके प्रक्रिया आगु बढावय अहिसँ आगुए अर्थसँग रकम माँग कऽ चुकल अछि । डिजल प्लान्ट लगलाबाद प्रतियुनिट २२ रुपैया तिरय परय सकत बिज्ञसबहक कहब अछि ।

फोटो सँसार


काजकिस्तानके प्रक्षेपण केन्द्रमे तयारी हालतमे रहल एक अन्तरिक्षयान । रुसी, अमेरिकी तथा युरोपेली अन्तरिक्षयात्री सहितक इ  यान आइ प्रक्षेपण कएल गेल । तस्वीर : सिन्ह्वा

ठण्डीसँ सिरहामे आओर एक गोटेके मृत्यु


६ पुष सिरहा । ठण्डासँ कठुवा कऽ सिरहामे आओर एक गोटेके मृत्यु भेल अि

सिरहाक चन्द्रलालपुर गाविस-८ क ७० वर्ष अर्जुन यादवक मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अि अहिके सँग एक सप्ताह एम्हर सिरहाम मात्रे ठण्डीसँ मरयबलाके संख्या ४ पहुँचल अि । १३ दिनसँ जारी शीतलहर धुँनिके कारण अखनधरि तराइम ४२ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि

बिना मलिक


बितल समय विवादमे फँसल पाकिस्तानी अभिनेत्री विना मलिक मुम्बइमे एक शालिक लग फोटो खिचबैत । तस्वीर : एएफपी

तराइमे अखनधरि ४२ गोटेके मृत्यु


६ पुष जनकपुरधाम । लगातारक शीतलहरी आ ठण्डीके कारण पूर्वसँ पश्चिम तराइके अधिकांश जिल्लाके जनजीवन कष्टकर बनैत जाऽ रहल अछि ।

ठण्डिके कारण अखनधरि धनुषामे २, महोत्तरीमे १५, रौतहटमे ८, सप्तरीमे ६, बारामे २ सिरहामे ४ सर्लाहीमे ५ आ पर्सामे एक गोटेके कऽ करिब  ४२ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि । अहिना सब जिल्लाके हजारौँ आदमीसब ठण्डीके कारण बेमार भेल अछि ।

वीरगञ्जस्थित नारायणी उपक्षेत्रीय अस्पताल, धनुषाके जनकपुर अञ्चल अस्पताल, सप्तरीके सगरमाथा अञ्चल अस्पताल तथा जिल्ला अस्पतालसबमे बेमारीसबहक भिड बढल अछि । चिकित्सकके अनुसार ठण्डिसँ निमोनिया, पेटझरी, भाइरल बोखार आ सर्दीखोकीके रोगीसबहक सँख्यामे बृद्धि भेल अछि । विशेष कऽ धियापुता आ वृद्धवृद्धासब ठण्डीसा प्रभावित भऽ रहल अछि ।

ठण्डिके कारण तराई क्षेत्रमे बजारसबमे लोकसबहक चहलपहल घटल अछि तऽ बारा, पर्सा, धनुषा, महोत्तरी आ सप्तरी जिल्लाके सार्वजनिक विद्यालयसब  बन्द अछि । अहिना पूर्वपश्चिम राजमार्गमे बहुत कम सवारी साधनसब चलिरहल अछि । धुँनिके कारण दुर्घटनाके घटना बढल अछि तऽ ट्राफिक पुलिस हेडलाइट बारि कऽ कम गतिमे सवारी चलावय चालकसबके सचेत करारहल अछि ।

कतौक स्थानीय प्रशासन, कतौक पुलिस तऽ कतौक नगरपालिका सर्वसाधारणके लेल आगि तापयके व्यवस्था मिलौने अछि ।

वितल १३ दिनसँ धुँनि लागयके सँगही शीतलहरी बढल अछि तऽ बिचमे एकदिन केनिक कालके लेल रौद उगितो निक  सँ रौद उगय नहि सकल अछि । अहिना भरि दिन ठण्डा हवा बहलासँ ठण्डी बढि रहल अछि तऽ तापमान दिनदिने निचा खसैत जाऽ रहल अछि । ओम्हर पडोसी देश भारतक बिहारसँ लऽ क राजधानी दिल्लीधरिके सेहो याह अबस्था अछि । तापक्रम एकदम भऽ रहल अछि तऽ ठण्डीके कारणसँ अतिआबश्यक काज बाहेक लोकसब घरसँ निकलनाइ छोडिदेने अछि तऽ ठण्डीके कारण बिहारमे मात्रे एक सयसँ बेसी गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

अहिना धुनिके कारण जनकपुरक बिमान सेवा सेहो करिब १० दिनसँ प्रभावित भेल अछि तऽ ओम्हर भारतमे बिमानसब सेहो प्रभावित भेल अछि तऽ एकर प्रभाव रेल सेवा पर सेहो परल अछि । रेल्वे सेवा करिब ३० घण्टाधरि अबेर सँ सँचालनमे आबि रहल अछि ।

बितल ५०/६० वर्षमे एहन ठण्डी अपनेसब महशुस नहि केने तराइके बृद्धबृद्धासब दाबी कऽ रहल अछि । मौसमविदसबहक अनुसार शीतलहर आ धुनिके  इ क्रम अखनो एक सप्ताह जारी रहत ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन