Tuesday, March 29, 2011

११ पाकिस्तानी सेनाके मृत्यु


एजेन्सी, चैत १५ । अफगानिस्तानके सीमा क्षेत्रमे भेल चरमपन्थी आक्रमणमे कम सँ कम ११ गोटे पाकिस्तानी सैनिकके मृत्यु भेल अछि ।
 आक्रमण पेशावर शहरके उत्तर पश्चिमके खैवर प्रान्तमे भेल अछि । आक्रमणमे एक कर्नेल आ एक क्याप्टेन सहित ११ गोटेके मृत्यु भेल बीबीसी जनौलक अछि । गस्ती स घुरबाक क्रममे चरमपन्थीसभ आक्रमण केने पुलिसक कहब अछि । अलकायदा तथा तालिवना अहि क्षेत्रमे आक्रमण करैत  आएल छल । पाकिस्तान सरकार ओ क्षेत्रके अपन नियन्त्रणमे लेबयके अभियान चलैबतो सफलता  हासिल करय नहि सकल अछि ।

रौतहटसँ १ सय २० गोटे गिरफ्तार


रौतहट, चैत १५ । एसएलसी परीक्षाके अमर्यादित बनौने आरोपमे आइधरिमे रौतहटके बिभिन्न परीक्षा केन्द्रसँ १ सय २० गोटे  परीक्षार्थी गिरफ्तार भेल अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय गौरके अनुसार जिल्लाके अधिकाँश परीक्षा केन्द्रसभमे परीक्षार्थी खुलेआम चिट चोरी क रहल अबस्थामे पाँच दिन भितरमे १ सय २० गोटे परिक्षार्थीके गिरफ्तार कएलगेल अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे आधा दर्जन शिक्षक समेत रहल अछि ।

क्षयरोगक निवारण एकटा पैग चुनौति


जनकपुर, चैत १५ । क्षयरोगक निवारण एकटा पैग चुनौतिके रुपमे रहल सरोकारबला व्यक्तिसभ बतओलन्हि अछि।
जिला जनस्वास्थ कार्यालय धनुषाक प्रमुख सचिदान्न्द देव क्षय रोग जनस्वास्थकेलेल एकटा समस्याके रुपमे रहल बतओलन्हि अछि।
जिला जनस्वास्थ कार्यालय,स्वास्थ अनुसन्धान तथा समाजिक विकास मंच(हर्ड) एवम जनकपुर नगरपालिकाक संयुक्त आयोजनमे आई सम्पन्न जनप्रतिनिधि तथा सरोकारबलाबीच क्षय रोग क्षय कार्यक्रमलेल निजी सचेतना गोष्टी कार्यक्रममे बजैत देव ई बात बतओलन्हि अछि।
समुदायमे रहल क्षय रोगीके पता लगाबएमे सरकारी तथा निजी स्तरके संयुक्त प्रयास पैग भूमिका निर्वाह कऽ सकैत अछि हुनकर कहब छलन्हि।
धनुषा जिलामे एखन ७० % धरि क्षय रोगिके पता लागि चुकल देव जानकारी देलन्हि अछि।
तहिना कार्यक्रमके सम्बोधित करैत हर्डक प्रतिनिधि श्याम कँडेल नियमित उपचारसँ ९० % क्षय रोगक निवारण भऽ चुकल जानकारि दैत एहिके ९८ % धरि पहुँचाबक लक्षय रहल उल्लेख कएलन्हि अछि।
नेपालक कुल जनसंख्याक ४० हजार व्यक्तिमे प्रत्येक वर्ष क्षय रोग विकास कऽ रहल कँडेल जानकरि देलन्हि अछि।
अपन संस्थाके तर्फसँ क्षय रोग निवारण कार्यक्रमकेलेल हरसंभव सहयोग करक कँडेल प्रतिवद्धता व्यक्त कएलन्हि अछि।

सर्लाहीके हरिपुरमे दु सय लिटर घरेलु मदिरा नष्ट


सर्लाही, चैत १५ । सर्लाहीके हरिपुरस्थित ईलाका प्रहरी कार्यालय आइ दु सय लिटर घरेलु मदिरा नष्ट केलक अछि ।
 प्रहरी निरिक्षक नरेशराज सुवेदीके अनुसार चेक जाँचक क्रममे बरहथवासँ मलंगवादिस जाँ रहल ना २ ख ६१३० नम्बरक बसके सिट निचा बर्तनमे नुका क ऽ रखने  मदिरा भेटल छल । मदिरा लाबयबला व्यक्तिके पहिचान होबय नहि सकल आ बरामद मदिरा स्थानीय राजनीतिक दलक प्रतिनिधी तथा स्थानीयबासीके रोहवरमे नष्ट कएलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

धनुषा आ सर्लाही सँ १६ गोटे पुलिसक नियन्त्रणमे


जनकपुर, चैत १५ । एसएलसीमे आइ  धनुषा आ सर्लाहीके बिभिन्न परिक्षा केन्द्र सँ १६ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
जाहि अन्तर्गत धनुषाके बहुर्वासँ १, बेल्हिसँ २, यदुकोहासँ २, खजुरीसँ २ गोटे क कुल ७ गोटे नकली परीक्षार्थीके  पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
अहिना, बिभिन्न परिक्षा केन्द्रमे अमर्यादित काज केने कहैत आइ ५ टा विधार्थीके  निष्कासित सेहो कएलगेल अछि । अहिना, न्यू आईडियल स्कुल जनकपुर केन्द्रसँ नकली निरीक्षक निर्मला देवीके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।
एहन ब्यक्तिसभ उपर एखन धरि ३९ गोटे उपर सार्वजनिक अपराधक मुद्दा दर्ता कराओलगेल जिला प्रहरी कार्यालय धनुषा जानकारी देलक अछि ।
ओम्हर, प्रवेशिका एसएलसी परीक्षा  अन्तर्गत आइ भेल विज्ञान विषयक परीक्षाके क्रममे अमर्यादित एवं अनियमित काज केने आरोपमे सर्लाहीसँ सेहो ९ गोटेके गिरफ्तार कएलगेल अछि ।
 जिल्लाके विभिन्न ६ टा परीक्षा केन्द्रसँ ६ गोटे नक्कली विद्यार्थी २ गोटे  चिट चोराबयबला शिक्षक आ १ गोटे सुरक्षाकर्मी उपर अभद्र व्यवहार करयबला व्यक्तिके गिरफ्तार कएलगेल प्रहरी उपरीक्षक पूर्णचन्द्र जोशी बतौलनि ।
इ सहित सर्लाहीमे आइ पाँचम दिन धरिमे एसएलसी परीक्षामे अनियमित एवं अमर्यादित काज केने आरोपमे ९२ गोटे गिरफ्तार भेल अछि त सोमदिनधरिमे ५४ गोटे उपर सार्वजनिक अपराध ऐन अन्तर्गत म्याद थप कऽक कार्वाही प्रकृया आगु बढाओलगेल बताओलगेल अछि  

नव कार्यसमितिक पदाधिकारी चयन


जनकपुर, चैत १५ । श्री जानकी आँखा अस्पताल स्वतन्त्र कर्मचारी युनियन नव कार्यसमितिक पदाधिकारी चयन केलक अछि ।
जाहिके सँयोजकमे राजेन्द्र प्रसाद गोइत, अध्यक्षमे मनोज कुमार तिबारी, उपाध्यक्षमे मदन कुमार झा, सचिबमे सँतोष कुमार यादब आ कोषाध्यक्षमे सत्य नारायण साह रहल अछि ।
तहिना, कार्यकारिणी सदस्यसभमे शशिकान्त झा, सुभद्र मण्डल आ बैजु सुफल रहल युनियनद्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

महोत्तरीके सम्पुर्ण सरकारी कार्यालसभ बन्द


जलेश्वर, चैत १५   गाउँ विकास समिति महोत्तरीके एक सचिव उपर भेल साँधातिक हमलाक विरोधमे आइ महोत्तरीके सम्पुर्ण सरकारी कार्यालसभ बन्द कएलगेल छल ।
बन्द भेलास दुर दुर स काजक लेल आएल सेवाग्राहीसभ खाली हाथ घर घुरय  वाध्य भेल छल ।
अखिल तराई जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा गोइत समुह गाविस सचिव हकहित संरक्षण केन्द्र महोत्तरीके अध्यक्ष तथा दु गाविसके सचिव शिवराम पाण्डेके सोमदिन साँझ गोली मारि कऽ घाइल बनौने छल ।  वायह हमलाक विरोधमे कर्मचारी सम्बद्ध विभिन्न संगठन संघ युनियन मँचक आब्हानमे कार्यालयसभ बन्द कएने छल । कार्यालय खुलितो कर्मचारीसभ काम नहि केलाबाद सेवाग्राहीसभ खाली हाथ घुरय वाध्य भेल छलथि ।
सोमके साँझ जलेश्वर स काम क साइकल स अपन घर पिगौना जा रहल समय रास्तामे ढुका लागि कऽ  बैसल मोर्चाके दु गोट कार्यकर्ता गोली प्रहार केने छल । हुनकर पेटके बामा भागमे गोली लागि कऽ निकलल वताओलगेल अछि । हुनकर इलाज अखन जनकपुर अंचल अस्पतालमे भ रहल आ अवस्था खतरामुक्त रहल इलाजमे सँलग्न चिकित्सक बतौलक अछि।
वलवा पिपरा गाविसके सचिव पदक जिम्मेबारी सम्हारने पिगौना २ निवासी पाण्डेके गोईत निकट अखिल जन्तान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चाक पोलिट व्युरो सदस्य पृथ्वी कारवाही स्वरुप गोली प्रहार केने साचारकर्मीके टेलिफोन कऽक सोमके साँझे जिम्मा लेने छल । मोर्चा सचिव पाण्डे जिम्मेवारी सम्हारने गाविससभमे अनिमियतता केने आरोप लगौलक अछि ।
एम्हर, जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चा राजन मुक्ति समुहक सदस्य भास्कर मुक्ति अपन पार्टी पाण्डेके कारबाही स्वरुप गोली प्रहार केने टेलिफोन क दाबी केलक अछि ।  

माओवादीक तीनु मजदुर संगठन बिघटन कएल जाएत


काठमाडौ, चैत्र १५ । माओवादी एकआपसमे पिटापिटके हदमे उतरल मजदूर भातृ संगठनके तीनु कमिटीके भंग क राष्ट्रिय सम्मेलन आयोजक समिति गठन करयके निर्णय केलक अछि ।
आइ बैसल माओवादी स्थायी समितिके बैसारस तीनु नेता अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल तथा उपाध्यक्षद्वय मोहन बैद्य आ डा‌. बाबुराम भट्टराई पक्षमे बनल तीनु समानान्तर संगठन भंग करयके निर्णय केलक अछि ।
 दाहाल समर्थित शालिकराम जमरकटेल, बैद्य पक्षक लालध्वज नेम्वाङ आ भट्टराई पक्षक बद्री बजगाई नेतृत्व केने मजदुर संगठनके समानान्तर संगठन खुललाबाद एक आपसमे पिटापिटके अबस्था श्रृजना भेल छल ।
 स्थायी समिति राष्ट्रिय सम्मेलन आयोजक समिति गठनके लेल तीनु संगठकनके नेतासभसंग बिमर्श  करत समेत उल्लेख केलक अछि ।
 प्रबक्ता दीननाथ शर्मा संवाददातासभके देने जानकारी अनुसार तराईमे हालेमे भेल श्रृंखलाबद्ध बम बिष्फोटके भर्त्सना करैत ओइके नियोजित बतौलक अछि । सँगहि विष्फोटन भेल स्थानसभमे माओवादी चैत २० गते बिरोध सभा करयके निर्णय समेत केलक अछि ।
 पार्टी भितरके विवाद बारे आगुके बैसारमे बिमर्श हाएत प्रबक्ता शर्मा बतौलनि । बैसार पुन बृहस्पतिदिन बैसत ।

पहिल सेमिफाइनल म्याचमे श्रीलंका आ न्युजिलैण्ड खेल रहल


कोलम्वो, चैत १५ । आइसीसी क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिताक पहिल सेमिफाइनल म्याचमे श्रीलंका आ न्युजिलैण्डबिच अखन खेल भ रहल अछि ।
कोलम्वोमे आइ नेपाली समय अनुसार पौने तीन बजे सँ शुरु भेल खेलमे न्युजिलैण्ड टँस जित कऽ पहिने ब्याटिङ केलक अछि ।
न्युजिलैण्ड टिम ४८ ओभर ५ बल खेलैत सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे २१७ रन बनाकऽ श्रीलँका समक्ष जितयके लेल २१८ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केने अछि ।
श्रीलँका टिमक मलिङा सर्बाधिक ३ बिकेट लेलनि अछि ।

अनुशासन आयोगद्धारा जानकारी माग


काठमाडौं, चैत १५ । नेकपा एमालेके अनुशासन आयोग पार्टी सभासद् किरणदेवी यादव अपन एसएलसी परीक्षामे बेटीके  सामेल करौने विषयमे यथार्थ जानकारी कराबय संसदीय दलके निर्देशन देलक अछि ।
आयोगके आइ बैसल बैसारमे संसदीय दलक प्रमुख सचेतक भिम आचार्यके पत्र पठाकऽ घटनाबारे यथार्थ जानकारी कराबय कहलगेल अछि ।
सभासद अपन बेटीके अपना बदला एसएलसी परीक्षामे सामेल करौने समाचार अएला स यथार्थ कि अछि से  जानकारी मँगने छी’-आयोगक अध्यक्ष अमृतकुमार बोहारा कहलनि ।
सभासद ओहन केने हाएत त  सामाजिक आचारण आ मर्यादा विपरित  तथा अत्यन्त दण्डनीय कार्य हाएत आयोग बतौलक अछि ।
एमालेके समानुपातिक कोटामे सभासद् बनल सर्लाहीके यादव बितल बृहस्पतिदिन स रबिधरि भेल तीन टा परीक्षामे अपन बेटीके सामेल करौने समाचासभ सार्वजनिक भेल छल । रबिदिन समाचार सार्वजनिक भेलाबाद सोमदिनक परीक्षामे सभासद यादव अपने उपस्थित छलथि ।

विवादित विषयके तीन खण्डमे वर्गिकरण


काठमाडौं, चैत १५ । संवैधानिक समिति राज्यके पुनःसंरचना तथा राज्य शक्तिके बाँटफाँट समितिमे रहल विवादित विषयके तीन खण्डमे वर्गिकरण केलक अछि ।
समितिके कार्यालय सिंहदरवारमे आइ बैसल बैसारस सामान्य, जटिल आ अति जटिल क विवादित बुँदाके तीन खण्डमे विभाजन केलक अछि । सामान्य विवादस बिमर्श सुरु कएल जाएत समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य जानकारी देलनि ।
समितिक प्रतिवेदनमे राज्यके सिमाङ्कन सहितक ७८ टा विषयमे विवाद रहल अछि । कांग्रेस सहितक दलसभ राज्यके सिमाङ्कनके लेल राज्यके पुनःसंरचना आयोग गठन करयके माँग करैत आएल अछि त माओवादी आ मधेसवादी दलसब समयके अभाव रहल कहैत आयोग गठन करय  नहि चाही बतबैत आएल अछि ।

शसस्त्र समूहसभसँग वार्ता करयके तयारी


काठमाडौं, चैत १५ । सरकार राजनीतिक आस्था राखयबला शसस्त्र समूहसभसँग वार्ता करयके तयारी केलक अछि ।
 शान्ति तथा पुर्ननिर्माण मन्त्री वर्षमान पुन अनन्त आइ मन्त्रालयमे पत्रकार सम्मेलन क वार्ताके तयारी भरहल जानकारी देलनि ।
अखन बहुतो शसस्त्र समूह वार्ताक लेल सम्पर्कमे आएल हुनक कहब छलनि । शान्तिमन्त्री अनन्त सरकार आपराधिक समूहसभसँग  वार्ता नहि करब प्रष्ट कएलनि ।
श्रोतक अनुसार मन्त्रालय एक-दु दिनमे  तराईमे रहल सशस्त्र समुहसभके वार्तामे आबय औपचारिक आहृवान करैत पत्रचार करयके तयारी क रहल अछि ।

परीक्षा दैते समय बच्चा जन्मल


काभ्रे, चैत १५ । काभ्रेके कोसी ओइपारस्थित प्रभा उच्च माविमे परीक्षा दैत समय एक परीक्षार्थी बच्चाके  जन्म देली अछि ।
आइ विज्ञान विषयक परीक्षा द ऽरहल अवस्थामे जागृति मावि केउरेनी विद्यालय सँ सहभागी नियमित तर्फके १८ वर्षक लोकमाया गौतम बेटाके जन्म देलीह अछि ।
नवजात शिशुके नाम विज्ञान राखलगेल जिल्ला शिक्षा अधिकारी रामशरण सापकोटा जानकारी देलनि अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन