Wednesday, December 14, 2011

फोटो सँसार


हट मोडेल किम कार्दाशिन

फोटो सँसार


एमालेक शीर्ष नेतासबद्वारा गुटबन्दी त्याग केने घोषणा


काठमाडौं, अगहन २८ । संविधानसभा निर्वाचनबाद पहिल बेर विपक्षमे बैसल एमाले आइ पार्टीके तीन महिने पार्टी सुदृढीकरण तथा जनपरिचालन अभियानक घोषणा केलक अछि ।

आइ भिन्सर पार्टी मुख्यालय बल्खुमे अध्यक्ष झलनाथ खनाल, बष्ठि नेता माधवकुमार नेपाल आ केपी शर्मा ओलीके उपस्थितिमे अभियान घोषणा कएलगेल अछि । फागुनमे राजधानीमे हववयबला राष्ट्रिय परिषद् बैसार आगु एमाले पुस, माघ आ फागुन महिनाके लेल अभियान घोषणा केलक अछि ।

एमालेके पार्टी सुदृढीकरण तथा जनपरिचालन अभियानमे पार्टीके संगठन निर्माण, जनसम्बन्ध विस्तार, जनसभा, असन्तुष्ट तथा पार्टी छोडने कार्यकर्ताके 'घर घुरय' कार्यक्रम सहितक अछि ।

कार्यक्रममे शीर्ष नेतासब नेतृत्व गुट त्याग केने घोषणा करैत कार्यकर्ताके सेहो व्यक्तिके पाछु नहि जाए आग्रह कएलनि ।

विगतमे भेल गल्ति कमजोरीके सच्यबैत एमालेके पहिल स्थानमे लावय सव शक्ति केन्द्रित करय नेतासब कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि ।

अखुनके प्रणालीसँ लोडसेडिङ कम कएल जाऽ सकैयः पूर्व ऊर्जामन्त्री विष्ट


काठमाडौं, अगहन २८ । पूर्व ऊर्जामन्त्री गोकर्ण विष्ट एखुनके विद्युत प्रणालीके सुधार कऽ क लोडसेडिङ कम कएल जाऽ सकैय दाबी केलनि अछि ।

बैंक सहितक वित्तिय संस्था आ उद्योगसब सञ्चालन कऽ रहल उपकरणसबके परिचालन करय सकत तऽ  १ सय ५० मेघावाट विद्युत तत्काल बढयके सम्भावना रहल दावी करैत आइ रिपोर्टर्स क्लवमे ओ अखन भेल मे सँ १० प्रतिशत  चुहावट मात्रे नियन्त्रण भऽ सकत तऽ  ७५ मेघावाट धरि विद्युत बढय सकयके तर्क देलनि ।

विष्ट हाल रहल विद्युत गृहके मर्मत आ सुधार करत तैयो किछ लोडसेडिङ घटाओल जाऽ सकयके दावी करैत कहलनि – ‘१ दशमलब २ मेघावाट विद्युत उत्पादन करयवला गण्डकके सामान्य मर्मत केलासँ हमरे पालमे ५ मेघावाट उत्पादन कएलगेल आ अखनो मर्मत करत तऽ ओइसँ मात्रे १५ मेघावाट विद्युत उत्पादन हाएत। अहिना मध्य मर्स्याङ्दी, कुलेखानी आ मध्यमर्साङदी सहितक किछ आयोजनामे जम्मा भेल बालु निकालल जाए तऽ किछ मात्रामे आओर विद्युत उत्पादन होवय सकत ।

विष्ट विद्युत प्राधिकरणके नियन्त्रणमे रहल १ मेघावाटसँ कम क्षमताक २६ टा विद्युत आयोजना नीजि क्षेत्रके भाडामे दैतो किछ विद्युत बढयके विश्वास करैत बक्यौदा असुल करितो उपभोगमे कमि एलासँ लोडसेडिङ घटावय सकयके तर्क कएलनि ।

ओ एखुनक सरकार लोडसेडिङ अन्त्य करयके उपायमे नयाँ डिजेल प्लान्ट लावयके कहि बनौने योजना देश आ जनताक लेल बोझ रहल दावी करैत अपन कार्यकालमे सेहो पैघ टिम प्लान्ट खरिदके लेल प्रस्ताव केने मुदा अपने अस्विकार केने बतौलनि । ओ प्लान्ट खरिद योजनमे कमिसनके खेल भेल आशँका सेहो ब्यक्त कएलनि । ओ कहलनि– ‘डिजेल प्लान्ट नेपालक लेल उपयोगि नहि हाएत । नेपाली जनता महसुल तिरय नहि सकत ओ बोझ हाएत । भारतसँ विद्युत लावयके बात स्वागत योग्य अछि ।

सरकारक माँग पूरा करयके आश्वासनके बाद लिम्बूवान बन्द फिर्ता


२८ अगहन काठमाण्डौ । राज्य पुनर्संरचना आयोगमे प्रतिनिधित्वके  माँग करैत सङ्घीय लिम्बुवान राज्य परिषद् सञ्जुहाङ पालुङ्वा समूहक आहृवान केने पूर्वाञ्चल बन्द आइ फिर्ता भेल अछि ।

शान्ति मन्त्री सत्या पहाडी आन्दोलन स्थगित कऽ वार्तामे आवय औपचारिक पत्र लिखलाबाद परिषद आन्दोलन स्थगन केने अछि । परिषदक अध्यक्ष पालुङ्वा सरकार वार्तासँ माँग पूरा करयके आश्वासन देलाबाद जारी बन्द फिर्ता लऽ आन्दोलन स्थगन केने जानकारी देलनि ।

 'जनताके दैनिक जीवन कष्टकर होवय लगलासँ आन्दोलन स्थगित करय परल अछि,' ओ कहलिह जे, 'वार्ताक समयके बिषयमे निर्णय होवय नहि सकल अछि ।' शान्ति मन्त्री पहाडीके समय अभावक कारण सरकार-लिम्बूवानक वार्ता शुक्रदिन परसु हाएत शान्ति मन्त्रालय जनौलक अछि ।

४ दिनसँ बन्दक कारण अरुण पूर्वके ९ जिल्लाक जनजीवन प्रभावित भेल छल ।

अन्ना हजारे कहलनि हमरा मरयके डर नहि अछि


२८ अगहन दिल्ली । भ्रष्टाचारके खिलाफ लड़ि रहल समाजसेवी अन्ना हजारे  आइ कहलन्हि जे हुनका मरयके डर नहि छन्हि आ  ओ अंत तक मजबूत लोकपालके लेल लडैत रहताह ।

दिल्लीके जंगपुरामें बैसारसँ पहिने जानके खतरा के बिषयमे पुछलगेल  प्रश्नक जवाफमे ओ कहलनि जे हमरा जानके डर नहि अछि । भगत सिंह सेहो कहियो सुरक्षा नहि लेने रहथि ।"

गोप्य श्रोतक अनुसार अन्ना हजारेके जानके खतरा रहल बताओल गेल अछि आ अन्नाके एड्सस प्रभावित सुई भोँकल जाऽ सकैय । इ सुई  भीड़-भाड़ वाला ठाममे भोँकल जाऽ सकयके अनुमान कएलगेल अछि ।

हजारे अहिके बाद तृणमूल कांग्रेस प्रमुख ममता बेनर्जी सँ अनुरोध केलनि जे कि ओ लोकपालके बिषयमे यूपीए सरकार पर ओहने दबाव बनाबए जेहन ओ FDI के बिषय पर बनौने छलथि ।

राजश्व असुलीके लक्ष्य पुरा करय दिस ध्यान देवय अर्थमन्त्रीक निर्देशन


२८ अगहन, काठमाण्डौ । अर्थमन्त्री वर्षमान पुन चालु वर्षक राजश्व असुलीके लक्ष्य पुरा करय लेल गम्भीर भऽ काज करय राजश्व अनुसन्धान विभाग अन्तर्गतके उच्च अधिकारीसबके निर्देशन देलनि अछि ।

आइ अर्थमन्त्रालयमे आयोजित राजश्व प्रगति समीक्षा बैसारमे  अर्थमन्त्री पुस महिनाभितर राजश्व वृद्धि २२ प्रतिशतसँ उपर रहयके बाध्यता रहल बतौलनि । ओ अर्थतन्त्रके सब सुचकांकसब निक भऽ रहल समय राजश्व संकलन क्षेत्रमे कमी भेल पाओलगेल बतबैत तत्काल सुधारक आवश्यकता रहल बतौलनि । ओ मन्त्रालय मातहतके उच्चअधिकारीसबहक स्थानान्तरण भेलाबाद किछ नहि किछ परिवर्तन आवयमे आरो ओहन नहि पाओलगेल बतबैत तत्काल नयाँ नयाँ कार्यक्रम लावय सेहो  निर्देशन देलनि ।

समीक्षा बैसारमे सहभागी विभिन्न विभागक प्रमुखसब राजश्वके लक्ष्य पुरा हाएत बतौने छलथि ।

पूर्वाञ्चल बन्द फिर्ता भऽ रहल, वार्ता दु दिन बाद


२८ अगहन काठमाण्डौ । राज्य पुनर्संरचना आयोगमे प्रतिनिधित्वके  माँग करैत सङ्घीय लिम्बुवान राज्य परिषद् सञ्जुहाङ पालुङ्वा समूहक आहृवान केने पूर्वाञ्चल बन्द आइ फिर्ता भऽ रहल अछि ।

शान्ति मन्त्री सत्या पहाडी आन्दोलन स्थगित कऽ वार्तामे आवय औपचारिक पत्र लिखलाबाद परिषद आन्दोलन स्थगन करयके तयारी केने अछि । परिषदक अध्यक्ष पालुङ्वा सरकार वार्तासँ माँग पूरा करयके आश्वासन देलाबाद जारी बन्द फिर्ता लऽ आन्दोलन स्थगन करयके जानकारी देलनि ।

 'जनताके दैनिक जीवन कष्टकर होवय लगलासँ आन्दोलन स्थगित करय लागल छी,' ओ कहलिह जे, 'वार्ताक समयके बिषयमे निर्णय होवय नहि सकल अछि ।' शान्ति मन्त्री पहाडीके समय अभावक कारण सरकार-लिम्बूवानक वार्ता शुक्रदिन परसु हाएत शान्ति मन्त्रालय जनौलक अछि ।

४ दिनसँ बन्दक कारण अरुण पूर्वके ९ जिल्लाक जनजीवन प्रभावित छल ।

मौलिक अधिकारमे दोहराएल विषयके निर्णय करयके जिम्मा उपसमितिके


२८ अगहन, काठमाण्डौ । संवैधानिक समितिक वैसारसँ मौलिक अधिकार तथा निर्देशक सिद्धान्तमे दोहराओलगेल विषयके निर्णयक करयके जिम्मा  उपसमितिके देवाक निर्णय केलक अछि ।

समितिक कार्यालय सिंहदरवारमे आइ भिन्सर बैसल बैसारसँ मौलिक अधिकार तथा राज्यके निर्देशक समिति समेत दोहोराओलगेल कहैत उपसमितिमे बिमर्श कऽ निर्णय करयके  जिम्मा उपसमितिके देलगेल समितिक सभापति निलाम्बर आचार्य जानकारी देलनि । वैसारमे उपसमितिक संयोजक एवम् माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड काल्हि उपसमिति जुटौने सहमतिके वारेमे वैसारके जानकारी करौने छलथि ।

वैसारसँ अहिसँ आगु काल्हि उपसमिति जुटौने मिश्रीत निर्वाचन प्रणाली आ मत अधिकारक विषयमे केने सहमतिके समेत संवैधानिक समितिक वैसार अनुमोदन केलक अछि । वैसारसँ आगामी पुस १ गतेसँ निरन्तर उपसमिति जुटौने सहमति उपर बिमर्श करैत जाएके समेत निर्णय केलक अछि । अहिना वैसारमे विवाद समाधान उपसमिति नयाँ संविधानमे रहल विवादमे जुटौने सहमतिके प्रगति आ मिलय नहि सकल विवादके विषयमे बिमर्श भेल छल । उपसमितिक काल्हि बैसल बैसारसँ निर्वाचन प्रणालीके विषयमे सहमति कायम कएलाबाद संवैधानिक समिति पछिला बेर म्याद बढौलाबाद बिमर्श करय पौअने  पहिल कार्यसुचि अछि ।

नयाँ संविधान निर्माणक लेल वनाओलगेल नया कार्यतालिका अनुसार समिति पुष १५ भितरमे दलसबवीच रहल विवाद समाधान कऽ लेवयके अछि । संविधानमे दलसबवीच आव जम्मा २० बुँदामे सहमति जुटावय वाँकी रहल अछि । संवैधानिक समितिक वैसार पुस १ गते फेउर बैसत ।

हम छी तमन्ना


मोडल रिहाना

बचन पूरा करय प्रधानमन्त्री गृहजिल्लामे


गोरखा, अगहन २८ । संविधानसभाक निर्वाचनमे विजयी भेलाबाद मासिक जिल्ला आवयके बचन देने प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ गोरखा पहुँचल छथि ।

नियमित कार्यक्रम अनुसार भट्टराइ ४७ हम् बेर गोरखा पहुँचल छथि । ओ आइए काठमाडौं घुरताह । ओइसँ आगु  प्रधानमन्त्री भट्टराई गोरखाके घ्याल्चोक गाविसमे आयोजित जनसभाके सम्बोधन करताह स्वकीय सचिव फडिन्द्र देवकोटा बतौलनि ।

देकोटाक अनुसार वायह गाविसमे कर्मचारी भोटघाट तथा निर्देशन, कार्यकर्ता भेटघाट, स्थानिय सुकुम्वासी बस्ती निरिक्षण, विकास निर्माणक लेल डेलिगेशनके टोलीसंग भेटघाट आ पत्रकार सम्मलेन सहितक कार्यक्रम अछि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराईके बेरियाक तीन बजे काठमाण्डौ घुरबाक कार्यक्रम तय भेल अछि । 

अजिब छै यौ


नोकरीके लेल फाराम बुझावय काठमाडौं जाऽ रहल छी ? तऽ गाडीमे किया ? एम्हर लाइनमे आउ न !

अस्ट्रेलियाली मोडेल शेरिडिन फिशर


जानवर अधिकारवादी सस्था पेटा शाकाहारी बनय प्रेरित करैत चलौने अभियानमे साथ दैत सागपातके पहिरनमे सजल अस्ट्रेलियाली मोडेल शेरिडिन फिशर ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन