Tuesday, January 03, 2012

हरियाणामें सवारी दुर्घटनामे ६ गोटेके मृत्यु


१९ पुष हरियाणा । हरियाणामें सोनीपत-रोहतक मार्ग पर आइ भिन्सर एक तेल टैंकर आ जीपके बीच भेल ठक्करमें ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ १३ गोटे गम्भीर रूपसँ घाइल भेल अछि । घाइल सबके सोनीपतके एक अस्पतालमें इलाज भऽ रहल अछि ।

दुर्घटना सोनीपत सँ २० किलोमीटर दूर गोहाना लग भेल पुलिस बतौलक अछि । दुर्घटनामें घाइल  एक व्यक्ति  पुलिसके बतौलक जे जीपमें क्षमतासँ बेसी यात्रु सवार छल ।

एक पुलिस अधिकारीके अनुसार  चालक अपन जीपमे बेसी यात्रु बैसाबय लेल दोसर जीपके पछुवाबयके क्रममे इ दुर्घटना भेल छल ।


नेपालमे दैनिक २ हजार २०८ गोटेके जन्म आ ६३५ गोटेके मृत्यु


नेपालमे दैनिक २ हजार २०८ गोटेके जन्म आ ६३५ गोटेके मृत्यु होइत अछि ।

याह सरकारके निरन्तरता देवय परतः उर्जामन्त्री बोगटी


१९ पुष मकवानपुर  एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता तथा उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी शान्ति प्रक्रिया आ संबिधानके काम सम्पन्न नहि होवयधरि बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकारके निरन्तरता देवय परत बतौलनि अछि ।

क्रान्तिकारी पत्रकार संघ आइ हेटौंडामे केने पत्रकार सम्मलेनमे बोगटी बर्तमान सरकारके राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनावय उपर जोड देलनि । माओवादी भितर देखलगेल कचरासँ शान्ति प्रकृया आ संबिधान निर्माण गति लेवय नहि सकल स्वीकारैत एमाले आ कांग्रेस भितर सेहो अन्तर बिरोध रहल बोगटी दाबी कएलनि । ओ सब दलसबमे रहल कचराक  कारण देश गति लेवय नहि सकल बतौलनि । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य बजने अभिव्यक्ति व्यक्तिगत रहल हुनक  कहब छलनि ।

उपाध्यक्ष बैद्यके कारण पार्टीमे किछ शिथिलता देखलगेल बोगटी बतौलनि । हेटौडामे रहल डिजल थर्मल प्लान्ट मर्मत करयके कार्य भऽ रहल आ अहिके ब्यबस्थित रुपमे संचालन करयके मन्त्रालयके योजना रहल ओ जानकारी देलनि । नेपाल बिद्युत प्राधिकरणके घाटा ३४ अर्व पहुँचगेल कहैत महसुल बृद्धिके बिकल्प नहि रहल मन्त्री बोगटी कहलनि ।

शितलहर पिडितके राहत वितरण


जलेश्वर, पुस १९ । सैनिक श्रीमतीसंघ आइ शितलहरसँ प्रभावित विपन्न परिवारके महोत्तरीके पर्सा पतैलीके जलसागरमे एक समारोहके बीच राहत सामग्री वितरण केलक अछि ।

शितलहर आ जाढसँ अति प्रभावित मटिहानी, सिमरदही, पर्सापतैली, गाउँ विकास समितिके दलित जनजाति आ एकल महिलासबके ओ राहत सामग्री वितरण कएलगेल छल ।

सैनिक श्रीमती संघक अध्यक्ष कमला गुरुङ्ग लक्षित वर्गके १ सय ३० घर परिवारके राहत सामग्री वितरण कएलगेल जानकारी देलिह । राहत सामग्रीमे कम्बल, सल, चुरा, विस्कुट सहितक सामानसब छल ।

राहत पाबि कऽ सिमरदहीके मानकी सदा खुशी होइत अपनेसब पुवार ओछा कऽ पुवारस बनल सेज ओढैत आएल बतौलिह । ओ अहिबेर शितलहरके कारण फगुनिया सदाके ४ वर्षक नातिनी मनिसा सदाके मृत्यु सेहो भेल जानकारी देलिह ।

शितलहरसँ महोत्तरीमे अखनधरि ३२ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

जचुकालिके रसियन राजदूतद्धारा निरिक्षण


१९ पुष जनकपुरधाम । नेपालक लेल रसियाक राजदूत डा सर्गे भी भेलिच कीन आइ जनकपुरक जनकपुर चुरोट कारखानाके निरिक्षण कएलनि अछि ।

रसिया सरकारक सहयोगमे सन १९६४ मे निर्माण कएलगेल ओ कारखाना अखन ६ महिनासँ बन्द रहल अछि।
राजदूत कारखानाके मेसिन आ कार्यालयके निरिक्षण कएने छलथि ।

कार्यक्रममे कारखानाके नायव महाप्रवन्धक रामस्वार्थ राय कारखानाके अरबौ अचल सम्पति, भौतिक पुर्वाधार, दक्षजनक्ति, स्थापित ब्रान्ड होइतो व्यवस्थापन पक्षके लापरवाहीके कारण कच्चा पदार्थ आ कच्चा पदार्थके लेल १३ करोड, मेसिन मर्मत सम्भार करय लेल २  करोड ५० लाख, सुर्तिके लेल सात करोड, नेपाली सुर्तिके लेल ७४ लाख आ अन्य सामग्री उत्पादन करावय बाँकी  एक करोड रुपैया सरकारसंग माँग कएलगेल जानकारी करौने छलथि । ओ देशमे राजनितिक अस्थीरताके कारणसँ बेर बेर सरकार तथा महाप्रवन्धक बदलैत एलासँ  कारखानाके अखनके दुर्दशा भेल जानकारी करौने छलथि ।

अहिना राजश्वके लेल तिन करोड, ०६८ अगहन धरिके तलव भत्ताके लेल  ६ करोड ५० लाख तथा अवकास प्राप्त कर्मचारीके लेल २० करोड रकम सरकारद्धारा उपलब्ध होवय सकत तऽ कारखाना संचालन हाएत रायके कथन छलनि ।

कारखाना व्यवस्थापन पक्ष अल्पकालिन रुपमे कर्मचारी संचयकोष, बिमा संस्थानके लेल एक अर्ब २४ करोड रकम उपलब्धके लेल सेहो आग्रह केने जानकारी देलनि ।

तत्काल आ अल्पकालिन कऽ  एक अर्ब ७६ कारोड ७४ लाख रकम उपलब्ध हाएत तऽ कारखाना कहियो बन्द नहि हाएत बताओलगेल अछि ।

कार्यक्रममे उद्योग मन्त्रालयके सचिव उमाकान्त झा सहितक उपस्थिति छल । राजदूतके कर्मचारीसब भव्य स्वागत केने छल ।

विवाद समाधान उपसमितिक बैसार फेउर निष्कर्षबिहीन


१९  पुस, काठमाडौँ । शासकीय स्वरुपके सम्बन्धमे रहल विवादमे सहमति जुटावयके प्रयासमे बैसल विवाद समाधान उपसमितिक बैसार आइ फेउर बिनानिष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरबारस्थित उपसमितिके कार्यालयमे बैसल बैसारमे काँग्रेस अडान नहि छोडलाबाद सहमति होवय नहि सकल । अहिसँ आगु काल्हि वायह विषयमे सहमति करय दु बेर बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताके बैसार निष्कर्ष विहीन भेलाबाद सहमतिके प्रयासमे उपसमितिमे फेउर बिमर्श भेल अछि ।

उपसमितिमे सहमति होवय नहि सकलाबाद आइए बेरियामे तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार बैसयके निर्णय भेल अछि ।


सेनामे भर्तीके माँग करैत पूर्व बन्द


१९ पुस, सुनसरी । नेपाली सेनामे अपन समुदायके प्रतिनिधित्वके माँग करैत पूर्वी थारुवान-कोचिला संयुक्त सङ्घर्ष समिति आहृवान केने बन्दक कारण आइ दोसर दिन सेहो पूर्वके विभन्न ६ जिल्लाके जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।

बन्दक कारण पूर्वपश्चित राजमार्गसहित झापा, मोरङ, सुनसरी, सिरहा, सप्तरी आ उदयपुरमे भिन्सरेसँ यातायातक साधन नहि चललासँ यात्रुसब समस्यामे परल अछि । अहिना बजार-दोकान, शिक्षणसंस्था आ कलकारखाना सेहो ठप्प रहल अछि । बन्दकर्ता इटहरी, धरान, लालबन्दी सहितक स्थानमे नारावाजी सहितक प्रदर्शन केलक अछि ।

अहिसँ आगु काल्हि सेहो वायह माँग राखि कऽ संघर्ष समिति ओ जिल्ला बन्दक आहृवान केने छल । मधेसी युवाके नेपाली सेनामे समूहगत रुपमे प्रवेश करावयके तयारी भेलाबाद नेपाल आदिवासी जनजाति संघक अध्यक्ष राजकुमार लेखी सेहो अपन समूदायके युवाके सेनामे भर्ती करयके माँग केने छल ।

सनी लियोन


वैद्य अडानेमे/दु प्रस्ताव मिला कऽ जाए सुझाव


काठमाडौ, पुस १९ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सहमतिके तीन विकल्प रखने अगिला दिन उपाध्यक्ष मोहन वैद्य अपने रखने राजनीतिक प्रस्ताव समाधानक आधार रहल दाबी कएलनि अछि । वायह आधारमे अन्तरसंघर्ष समाधान होवयके अडानमे अपने रहल ओ बतौलनि ।

मुदा अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालसँग बिमर्श कऽ 'सकारात्मक' निष्कर्षमे पहुँचय सकयके सेहो वैद्य बतौलनि । दाहाल तीन विकल्प रखने अगिला दिन बात करैत वैद्य अपने अन्तरसंघर्ष समाधानक लेल गम्भीर भेल उल्लेख करैत 'दाहालसँग बिमर्श केलाबाद मात्रे अपने किछ कहय सकब जनौलनि ।

आयल निगमके आइ अढाई अर्ब देल जाएत


काठमाडौ, पुस १९ । पेट्रोलियम पदार्थ आपूर्ति सहज बनावय आयल निगमके डेढ अर्ब रुपैयाँ ऋण उपलब्ध करावयके विषयमे निगम आ कर्मचारी सञ्चय कोषबीच  सम्झौता भेल अछि ।

बितल मंगलदिन मन्त्रिपरिषद निगमके सञ्चय कोषसँ डेढ अर्ब रुपैयाँ आ नागरिक लगानी कोषसँ १ अर्ब रुपैयाँ ऋण उपलब्ध करावयके निर्णय केने छल । ओइके सातम दिन सञ्चय कोष आ निगमबीच ऋणसम्बन्धी सम्झौता भेल अछि । लगानी कोष आ निगमबीच रबिदिन ऋण सम्झौता भेल छल जाहि अनुसार, निगमके २ किस्तामे १ अर्ब रुपैयाँ देल जाएत निगमक कार्यकारी प्रबन्ध निर्देशक सुरेशकुमार अग्रवाल बतौलनि । सम्झौता अनुसार, निगम लगानी कोष आ सञ्चय कोषके साढे १२ प्रतिशत ब्याज तिरय परत ।

हाल निगमके भारतीय आयल निगमके करिब ९० करोड रुपैयाँ तिरय बाँकी अछि । लगानी कोष आ सञ्चय कोषसँ रकम प्राप्त होइते निगम आइ ओ सी  पठाओत ।

अहिबीच पेट्रोलियम पदार्थके कारोबारमे निगमके मासिक घाटा करिब २५ करोड रुपैयाँसँ बढि कऽ १ अर्ब ५० करोड ६७ लाख रुपैयाँ पहुँचल अछि । आइ ओ सी रबिदिन केने मुल्य हेरफेर अनुसार निगमक घाटा बढल अछि ।

सुनसरीके सब कार्यालय अनिश्चतकालक लेल बन्द


इनरुवा, पुस १९ गैर नेपालीके नागरिकताक लेल सिफारिस केने अभियोगमे गिरफ्तार भेल अपन सहकर्मीके रिहाईक माकरैत कर्मचारी संघ/संगठनसब सुनसरीक सम्पूर्ण सरकारी कार्यालयसब बन्द करौलक अछि

क्षेत्रिय माटि प्रयोगशाला झुम्काक माटि बिज्ञ नुनुलाल उरावके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि भारतक आसाम नागाल्याण्डम पृथकतावादी सशस्त्र आन्दोलन करैत आएदिमा आलम दाओग(जे)क कमाण्डर इन चिफ निरन्जन होजाइक नेपाली नागरिकताक ेल सिफारिस केने छल

कर्मचारीक पाँच टा कर्मचारी संगआइसँ सुनसरीक सब सरकारी कार्यालय अनिश्चतकालके लेल बन्द करौने अछि । उरावक बिना सर्त रिहाइक मा करैत कर्मचारी संगठनसब सरकारी कार्यालयसब बन्द करौलक अछि । कार्यालयसब ठप्प भेलाबाद सेवाग्राहीसब समस्याम पर ि । उरावके पुलिस बितल पुस ७ गते गिरफ्तार केने छल नेपाल निजामति कर्मचारी युनियन, नेपाल निजामति कर्मचारी संगठन, नेपाल मधेशी निजामति कर्मचारी मन्च, राष्ट्रिय कर्मचारी संगठन स्वतन्त्र कर्मचारी मिलन केन्द्र संयुक्त रुपम कार्यालय बन्द करौने अछि

कर्मचारीसब अहिसँ आगु पुस ८ गते एक दिन सेहो उरावक रिहाइ मँगैत जिल्लाक सरकारी कार्यालयसब बन्द करौने छल । प्रमुख जिल्ला अधिकारी लक्ष्मणकुमार थापा बेर बेर कर्मचारी उरावके रिहा करयके आश्वासन दैतो हालधरि रिहा नहि केलासँ बाध्य भऽ क अनिश्चितकालके लेल सरकारी कार्यालय बन्द आहृवान करय परल कर्मचारी संगठनसब जनौलक अछि पुलिस अहिसँ आगुए होजाइक नक्कली वावु बनयबला धरान ८ क जगतवहादुर राइ तात्कालिन वड सदस्य सन्तोष लामा तामाके नियन्त्रणमे लऽ अनुसन्धान कऽ रहल अि । उराव नागरिकताक अनुसुचीम होजाइक सिफारिस केने कारण अनुसन्धानके लेल गिरफ्तार केने पुलिसक कहब अि

 ०६३ साल अगहन २८ गते होजाइ इलाका प्रशासन कार्यालय धरान सुनसरीसँ जगतवहादुर राइके बेटा बनि कऽ  धरान ८ स्थायी ठेगाना देखा कऽ निर्मल राइक नामम होजाइ बंसजक आधारम नेपाली नागरिकता लेने छल हुनक नागरिकता नम्बर ३२५५६ रहल अि  

facebook Page Like

  • मनोरँजन