Tuesday, January 03, 2012

हरियाणामें सवारी दुर्घटनामे ६ गोटेके मृत्यु


१९ पुष हरियाणा । हरियाणामें सोनीपत-रोहतक मार्ग पर आइ भिन्सर एक तेल टैंकर आ जीपके बीच भेल ठक्करमें ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ १३ गोटे गम्भीर रूपसँ घाइल भेल अछि । घाइल सबके सोनीपतके एक अस्पतालमें इलाज भऽ रहल अछि ।

दुर्घटना सोनीपत सँ २० किलोमीटर दूर गोहाना लग भेल पुलिस बतौलक अछि । दुर्घटनामें घाइल  एक व्यक्ति  पुलिसके बतौलक जे जीपमें क्षमतासँ बेसी यात्रु सवार छल ।

एक पुलिस अधिकारीके अनुसार  चालक अपन जीपमे बेसी यात्रु बैसाबय लेल दोसर जीपके पछुवाबयके क्रममे इ दुर्घटना भेल छल ।


नेपालमे दैनिक २ हजार २०८ गोटेके जन्म आ ६३५ गोटेके मृत्यु


नेपालमे दैनिक २ हजार २०८ गोटेके जन्म आ ६३५ गोटेके मृत्यु होइत अछि ।

याह सरकारके निरन्तरता देवय परतः उर्जामन्त्री बोगटी


१९ पुष मकवानपुर  । एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता तथा उर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी शान्ति प्रक्रिया आ संबिधानके काम सम्पन्न नहि होवयधरि बाबुराम भट्टराई नेतृत्वक सरकारके निरन्तरता देवय परत बतौलनि अछि ।

क्रान्तिकारी पत्रकार संघ आइ हेटौंडामे केने पत्रकार सम्मलेनमे बोगटी बर्तमान सरकारके राष्ट्रिय सहमतिके सरकार बनावय उपर जोड देलनि । माओवादी भितर देखलगेल कचरासँ शान्ति प्रकृया आ संबिधान निर्माण गति लेवय नहि सकल स्वीकारैत एमाले आ कांग्रेस भितर सेहो अन्तर बिरोध रहल बोगटी दाबी कएलनि । ओ सब दलसबमे रहल कचराक  कारण देश गति लेवय नहि सकल बतौलनि । माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य बजने अभिव्यक्ति व्यक्तिगत रहल हुनक  कहब छलनि ।

उपाध्यक्ष बैद्यके कारण पार्टीमे किछ शिथिलता देखलगेल बोगटी बतौलनि । हेटौडामे रहल डिजल थर्मल प्लान्ट मर्मत करयके कार्य भऽ रहल आ अहिके ब्यबस्थित रुपमे संचालन करयके मन्त्रालयके योजना रहल ओ जानकारी देलनि । नेपाल बिद्युत प्राधिकरणके घाटा ३४ अर्व पहुँचगेल कहैत महसुल बृद्धिके बिकल्प नहि रहल मन्त्री बोगटी कहलनि ।

शितलहर पिडितके राहत वितरण


जलेश्वर, पुस १९ । सैनिक श्रीमतीसंघ आइ शितलहरसँ प्रभावित विपन्न परिवारके महोत्तरीके पर्सा पतैलीके जलसागरमे एक समारोहके बीच राहत सामग्री वितरण केलक अछि ।

शितलहर आ जाढसँ अति प्रभावित मटिहानी, सिमरदही, पर्सापतैली, गाउँ विकास समितिके दलित जनजाति आ एकल महिलासबके ओ राहत सामग्री वितरण कएलगेल छल ।

सैनिक श्रीमती संघक अध्यक्ष कमला गुरुङ्ग लक्षित वर्गके १ सय ३० घर परिवारके राहत सामग्री वितरण कएलगेल जानकारी देलिह । राहत सामग्रीमे कम्बल, सल, चुरा, विस्कुट सहितक सामानसब छल ।

राहत पाबि कऽ सिमरदहीके मानकी सदा खुशी होइत अपनेसब पुवार ओछा कऽ पुवारस बनल सेज ओढैत आएल बतौलिह । ओ अहिबेर शितलहरके कारण फगुनिया सदाके ४ वर्षक नातिनी मनिसा सदाके मृत्यु सेहो भेल जानकारी देलिह ।

शितलहरसँ महोत्तरीमे अखनधरि ३२ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

जचुकालिके रसियन राजदूतद्धारा निरिक्षण


१९ पुष जनकपुरधाम । नेपालक लेल रसियाक राजदूत डा सर्गे भी भेलिच कीन आइ जनकपुरक जनकपुर चुरोट कारखानाके निरिक्षण कएलनि अछि ।

रसिया सरकारक सहयोगमे सन १९६४ मे निर्माण कएलगेल ओ कारखाना अखन ६ महिनासँ बन्द रहल अछि।
राजदूत कारखानाके मेसिन आ कार्यालयके निरिक्षण कएने छलथि ।

कार्यक्रममे कारखानाके नायव महाप्रवन्धक रामस्वार्थ राय कारखानाके अरबौ अचल सम्पति, भौतिक पुर्वाधार, दक्षजनक्ति, स्थापित ब्रान्ड होइतो व्यवस्थापन पक्षके लापरवाहीके कारण कच्चा पदार्थ आ कच्चा पदार्थके लेल १३ करोड, मेसिन मर्मत सम्भार करय लेल २  करोड ५० लाख, सुर्तिके लेल सात करोड, नेपाली सुर्तिके लेल ७४ लाख आ अन्य सामग्री उत्पादन करावय बाँकी  एक करोड रुपैया सरकारसंग माँग कएलगेल जानकारी करौने छलथि । ओ देशमे राजनितिक अस्थीरताके कारणसँ बेर बेर सरकार तथा महाप्रवन्धक बदलैत एलासँ  कारखानाके अखनके दुर्दशा भेल जानकारी करौने छलथि ।

अहिना राजश्वके लेल तिन करोड, ०६८ अगहन धरिके तलव भत्ताके लेल  ६ करोड ५० लाख तथा अवकास प्राप्त कर्मचारीके लेल २० करोड रकम सरकारद्धारा उपलब्ध होवय सकत तऽ कारखाना संचालन हाएत रायके कथन छलनि ।

कारखाना व्यवस्थापन पक्ष अल्पकालिन रुपमे कर्मचारी संचयकोष, बिमा संस्थानके लेल एक अर्ब २४ करोड रकम उपलब्धके लेल सेहो आग्रह केने जानकारी देलनि ।

तत्काल आ अल्पकालिन कऽ  एक अर्ब ७६ कारोड ७४ लाख रकम उपलब्ध हाएत तऽ कारखाना कहियो बन्द नहि हाएत बताओलगेल अछि ।

कार्यक्रममे उद्योग मन्त्रालयके सचिव उमाकान्त झा सहितक उपस्थिति छल । राजदूतके कर्मचारीसब भव्य स्वागत केने छल ।

विवाद समाधान उपसमितिक बैसार फेउर निष्कर्षबिहीन


१९  पुस, काठमाडौँ । शासकीय स्वरुपके सम्बन्धमे रहल विवादमे सहमति जुटावयके प्रयासमे बैसल विवाद समाधान उपसमितिक बैसार आइ फेउर बिनानिष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।

सिंहदरबारस्थित उपसमितिके कार्यालयमे बैसल बैसारमे काँग्रेस अडान नहि छोडलाबाद सहमति होवय नहि सकल । अहिसँ आगु काल्हि वायह विषयमे सहमति करय दु बेर बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्ष नेताके बैसार निष्कर्ष विहीन भेलाबाद सहमतिके प्रयासमे उपसमितिमे फेउर बिमर्श भेल अछि ।

उपसमितिमे सहमति होवय नहि सकलाबाद आइए बेरियामे तीन दलक शीर्ष नेताक बैसार बैसयके निर्णय भेल अछि ।


सेनामे भर्तीके माँग करैत पूर्व बन्द


१९ पुस, सुनसरी । नेपाली सेनामे अपन समुदायके प्रतिनिधित्वके माँग करैत पूर्वी थारुवान-कोचिला संयुक्त सङ्घर्ष समिति आहृवान केने बन्दक कारण आइ दोसर दिन सेहो पूर्वके विभन्न ६ जिल्लाके जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।

बन्दक कारण पूर्वपश्चित राजमार्गसहित झापा, मोरङ, सुनसरी, सिरहा, सप्तरी आ उदयपुरमे भिन्सरेसँ यातायातक साधन नहि चललासँ यात्रुसब समस्यामे परल अछि । अहिना बजार-दोकान, शिक्षणसंस्था आ कलकारखाना सेहो ठप्प रहल अछि । बन्दकर्ता इटहरी, धरान, लालबन्दी सहितक स्थानमे नारावाजी सहितक प्रदर्शन केलक अछि ।

अहिसँ आगु काल्हि सेहो वायह माँग राखि कऽ संघर्ष समिति ओ जिल्ला बन्दक आहृवान केने छल । मधेसी युवाके नेपाली सेनामे समूहगत रुपमे प्रवेश करावयके तयारी भेलाबाद नेपाल आदिवासी जनजाति संघक अध्यक्ष राजकुमार लेखी सेहो अपन समूदायके युवाके सेनामे भर्ती करयके माँग केने छल ।

सनी लियोन


वैद्य अडानेमे/दु प्रस्ताव मिला कऽ जाए सुझाव


काठमाडौ, पुस १९ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सहमतिके तीन विकल्प रखने अगिला दिन उपाध्यक्ष मोहन वैद्य अपने रखने राजनीतिक प्रस्ताव समाधानक आधार रहल दाबी कएलनि अछि । वायह आधारमे अन्तरसंघर्ष समाधान होवयके अडानमे अपने रहल ओ बतौलनि ।

मुदा अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालसँग बिमर्श कऽ 'सकारात्मक' निष्कर्षमे पहुँचय सकयके सेहो वैद्य बतौलनि । दाहाल तीन विकल्प रखने अगिला दिन बात करैत वैद्य अपने अन्तरसंघर्ष समाधानक लेल गम्भीर भेल उल्लेख करैत 'दाहालसँग बिमर्श केलाबाद मात्रे अपने किछ कहय सकब जनौलनि ।

आयल निगमके आइ अढाई अर्ब देल जाएत


काठमाडौ, पुस १९ । पेट्रोलियम पदार्थ आपूर्ति सहज बनावय आयल निगमके डेढ अर्ब रुपैयाँ ऋण उपलब्ध करावयके विषयमे निगम आ कर्मचारी सञ्चय कोषबीच  सम्झौता भेल अछि ।

बितल मंगलदिन मन्त्रिपरिषद निगमके सञ्चय कोषसँ डेढ अर्ब रुपैयाँ आ नागरिक लगानी कोषसँ १ अर्ब रुपैयाँ ऋण उपलब्ध करावयके निर्णय केने छल । ओइके सातम दिन सञ्चय कोष आ निगमबीच ऋणसम्बन्धी सम्झौता भेल अछि । लगानी कोष आ निगमबीच रबिदिन ऋण सम्झौता भेल छल जाहि अनुसार, निगमके २ किस्तामे १ अर्ब रुपैयाँ देल जाएत निगमक कार्यकारी प्रबन्ध निर्देशक सुरेशकुमार अग्रवाल बतौलनि । सम्झौता अनुसार, निगम लगानी कोष आ सञ्चय कोषके साढे १२ प्रतिशत ब्याज तिरय परत ।

हाल निगमके भारतीय आयल निगमके करिब ९० करोड रुपैयाँ तिरय बाँकी अछि । लगानी कोष आ सञ्चय कोषसँ रकम प्राप्त होइते निगम आइ ओ सी  पठाओत ।

अहिबीच पेट्रोलियम पदार्थके कारोबारमे निगमके मासिक घाटा करिब २५ करोड रुपैयाँसँ बढि कऽ १ अर्ब ५० करोड ६७ लाख रुपैयाँ पहुँचल अछि । आइ ओ सी रबिदिन केने मुल्य हेरफेर अनुसार निगमक घाटा बढल अछि ।

सुनसरीके सब कार्यालय अनिश्चतकालक लेल बन्द


इनरुवा, पुस १९ । गैर नेपालीके नागरिकताके लेल सिफारिस केने अभियोगमे गिरफ्तार भेल अपन सहकर्मीके रिहाईके माँग करैत कर्मचारी संघ/संगठनसब सुनसरीके सम्पूर्ण सरकारी कार्यालयसब बन्द करौलक अछि ।

क्षेत्रिय माटि प्रयोगशाला झुम्काके माटि बिज्ञ नुनुलाल उरावके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि । ओ भारतक आसाम आ नागाल्याण्डमे पृथकतावादी सशस्त्र आन्दोलन करैत आएल दिमा आलम दाओग(जे)के कमाण्डर इन चिफ निरन्जन होजाइके नेपाली नागरिकताके लेल सिफारिस केने छल ।

कर्मचारीके पाँच टा कर्मचारी संगठन आइसँ सुनसरीके सब सरकारी कार्यालय अनिश्चतकालके लेल बन्द करौने अछि । उरावके बिना सर्त रिहाइके माँग करैत कर्मचारी संगठनसब सरकारी कार्यालयसब बन्द करौलक अछि । कार्यालयसब ठप्प भेलाबाद सेवाग्राहीसब समस्यामे परल अछि । उरावके पुलिस बितल पुस ७ गते गिरफ्तार केने छल । नेपाल निजामति कर्मचारी युनियन, नेपाल निजामति कर्मचारी संगठन, नेपाल मधेशी निजामति कर्मचारी मन्च, राष्ट्रिय कर्मचारी संगठन आ स्वतन्त्र कर्मचारी मिलन केन्द्र संयुक्त रुपमे कार्यालय बन्द करौने अछि ।

कर्मचारीसब अहिसँ आगु पुस ८ गते एक दिन सेहो उरावके रिहाइ मँगैत जिल्लाके सरकारी कार्यालयसब बन्द करौने छल । प्रमुख जिल्ला अधिकारी लक्ष्मणकुमार थापा बेर बेर कर्मचारी उरावके रिहा करयके आश्वासन दैतो हालधरि रिहा नहि केलासँ बाध्य भऽ क अनिश्चितकालके लेल सरकारी कार्यालय बन्दक आहृवान करय परल कर्मचारी संगठनसब जनौलक अछि । पुलिस अहिसँ आगुए होजाइके नक्कली वावु बनयबला धरान ८ के जगतवहादुर राइ आ तात्कालिन वाड सदस्य सन्तोष लामा तामाङगके नियन्त्रणमे लऽ अनुसन्धान कऽ रहल अछि । उराव नागरिकताके अनुसुचीमे होजाइके सिफारिस केने कारण अनुसन्धानके लेल गिरफ्तार केने पुलिसक कहब अछि ।

 ०६३ साल अगहन २८ गते होजाइ इलाका प्रशासन कार्यालय धरान सुनसरीसँ जगतवहादुर राइके बेटा बनि कऽ  धरान ८ स्थायी ठेगाना देखा कऽ निर्मल राइके नाममे होजाइ बंसजके आधारमे नेपाली नागरिकता लेने छल । हुनक नागरिकता नम्बर ३२५५६ रहल अछि । 

facebook Page Like

  • मनोरँजन