Friday, March 25, 2011

एककेँ हत्या, २ घाइल

नवादा, चैत ११ । विहारकेँ पकडीवरांवा थाना अन्तर्गत हसनगंज मोडल लग वितल राति अज्ञात अपराधिसभकेँ एक समुह एक गोटेकेँ गरदन रेत कऽ हत्या कएलक अछि तऽ दु गोटेकेँ गोली मारि कऽ घाइल बनौलक अछि ।
पुलिस निरीक्षक मोती चन्द राम अहि घटनामे मरयवला व्यक्ति योगी यादव रहल आ ओ पकडीवरांवा थाना अन्तर्गतकेँ असमा गामकेँ रहल बतौलन्हि अछि ।
ओ अपराधिसभ असमा गामेकेँ अन्य दु गोटे योगेन्द्र चौहान तथा सत्येन्द्रकैँ गोली मारि कऽ घाइल बनौलक अछि । घाइल दुनुकेँ जिल्लाक सदर अस्पतालमे भर्ना कएलगेल आ इलाज चलि रहल अछि । मृतककेँ शव पोष्टमार्टमकेँ लेल जिल्लाक सदर अस्पताल पठाओल गेल अछि ।

नेटो सम्हारत लीवया अभियानकेँ कमान

लीविया, चैत ११ । नेटो लीवियामे नो—फ्लाइ जोन लागु करयकेँ जिम्मेदारी सम्हारयकेँ लेल तयार रहल जनौलक अछि । मुदा नेटोकेँ महासचिव आंद्रेस रासमुसन एखन लीवयामे चलि रहल अभियानके अन्य गठवन्धनेकेँ लगेमे रहल स्पष्ट कएलन्हि अछि ।
नेटो इ जिम्मेदारी अहि सप्ताहकेँ अन्त धरि लेवय सकतै अछि वीवीसी जनौलक अछि । आन्दे्रस रासमूसन तुर्की समेत नेटोकेँ सभ सदस्य अहि हस्तांतरणकेँ लेल तैयार रहल वतौलन्हि ।
नेटो महासचिव कहलन्हि जे—‘सच तइ इ अछि की नेटो अपन सभ फैसला आम सहमति सँ लैत अछि, आ आइ लीविया पर नो—फ्लाइ लागू करयकेँ निर्णय हम लऽ रहल छि ओहि पर सेहो २८ सदस्यकेँ सहमति अछि ।
अहि निर्णयकेँ अमेरिकी विदेश मन्त्री हिलरी क्लिंटन स्वागत कएलन्हि अछि । अमेरीका लीवियापर संयुक्त राष्ट्रकेँ प्रस्तावकेँ लागू करयकेँ जिम्मेवारी शुरुमे सम्हारने छल मुदा एहो साफ कएने छल की जतेक जल्दी सम्भव भ सके अहि जिम्मेदारीकेँ हस्तान्तरण कऽ देत ।

संवैधानिक समितिक वैसार जारी

काठमाण्डू, चैत ११ । राज्य पुनः संरचना समितिक मस्यौदाक विषयमे बिमर्श करय संबैधानिक समितिक बैसार अखन जारी अछि ।
राज्य पुनः संरचना तथा राज्यकेँ शक्ति बाँटफाँट समिति तयार कएने मस्यौदा संविधानसभा संबैधानिक समितिमे पठौलाकवाद अहि विषयमे बिमर्श शुरु भेल अछि । समितिमे अहि सँ पहिने सेहो याह विषय पठौलाकवाद बिमर्श भेल छल ।
मस्यौदामे ७८ टा वुन्दामे सहमति खोजयकेँ प्रयास स्वरुप थप बिमर्श हाएत । अहिना, मस्यौदामे रहल विवाद समाधानकलेल मस्यौदाकेँ उपसमितिमे पठाओल जायत ।
संविधान निर्माणमे महत्वपूर्ण विषय राज्य पुनः संरचनाकलेल आयोग गठन करयके कि नहि करयके विषयमे दलसभवीच विवाद रहल अछि । काल्हि काभ्रेकेँ धुलीखेलमे भेल संबैधानिक उपसमितिक वैसारमे सेहो दलसभ अपन अपन अडान रखने कारण कोनो सहमति होवय नहि सकल छल ।

विश्वकप क्रिकेटमे आइ दक्षीण अफ्रिका आ न्युजिल्याण्डबीच प्रतिस्पर्धा


ढाका, चैत ११ । आइसीसी क्रिकेट विश्वकप २०११ केँ तेसर क्वाटर फाइनल खेलमे आइ न्युजीलैण्ड आ साउथ अफ्रिका विच प्रतिष्पर्धा हैत ।
ढाकामे आइ पौने ३ बजे सँ होवयवला खेलमे न्युजिलैण्ड भिटोरीक नेतृत्वमे फ्राङ्कलिन, गुपटिल, हाउ, वीवी म्याककुलम, मैक्कुलम सहितक मैदानमे उतरत ।
तहिना, साउथ अफ्रिका ग्रेम स्मीथक नेतृत्वमे अमला, वोथा, डेमनी, इमरान टाहिर, इङग्राम, ज्याक कालिस, मोर्कल, पिटरसन सहितक मैदानमे उतरत ।

औद्योगिक क्षेत्रमे हडताल नहि करबाक सहमति

काठमाडौं, चैत ११ । आगामी ४ वर्षधरि उद्योग व्यवसाय क्षेत्रमे बन्द हडताल नहि करयके बाचा करैत रोजगारदाता आ मजदुर संयुक्त रूपमे औद्योगिक शान्ति वर्ष घोषणा केलक अछि ।
औद्योगिक क्षेत्रके मुख्य समस्याके रूपमे रहल श्रम विवाद अन्त्य करय लागल अइ कदमके दुनु पक्ष 'ऐतिहासिक' बतौलक अछि ।
नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघ, उद्योग परिसंघ आ तीन पैघ राजनीतिक दल सम्बद्ध ट्रेड युनियनबीच लगातार तीन दिन स चलल वार्ताके बाद न्यूनतम पारिश्रमिक वृद्धि करैत ११ बुँदे सम्झौतामे हस्ताक्षर भेल छल । दु पक्षबीच गैरकानुनी बन्द, हडताल या तालाबन्दी भेल त मजदुरके पारिश्रमिक नहि देबाक सहमति समेत भेल अछि ।

एक बोरा प्रमाणपत्र लऽकऽ अख्तियार भारतदिस

काठमाडौं, चैत ११ । नक्कली प्रमाणपत्र पेस ककऽ नोकरी क रहल सबहक एक बोरा प्रमाणपत्र लऽकऽ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक अधिकारीसब नकली रहल नहि रहल पुष्टि करय भारत गेल अछि ।
आयोगक शैक्षिक प्रमाणपत्र छानबिन इकाईके उपसचिव जानकी वल्लभ अधिकारीके नेतृत्वमे ८ सदस्यीय टोली भारत गेल अछि । स्रोतक अनुसार टोली इलाहाबाद, वाराणसी आ पटना क्षेत्रक विश्वविद्यालयसबमे पहुँच कऽ शैक्षिक प्रमाणपत्र सक्कली/नकलीके पुष्टि करत ।
छानबिन दायरामे मन्त्रालयके कर्मचारी, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी बल, राष्ट्रिय अनुसन्धान विभाग, विभिन्न संस्थान आ ओइके मातहतक नायब सुब्बा स सह सचिव धरिके प्रमाणपत्र अछि ।
'छानबिन करय ल गेल बोरामे करिब ३ सय कर्मचारीके कागज पत्र रहल एक सदस्य जनकारी देलनि ।'
अख्तियार नक्कली प्रमाणपत्रके अधिकांश मुद्दा विशेष अदालत स जितने अछि । हालधरि ३ सय ९३ टा मुद्दा दायर भेल मे स ३ सय ८३ गोटेके प्रमाणपत्र नक्कली रहल पुष्टि भ चूकल अछि ।
आयोग मुद्दा दायर करिते कर्मचारी निलम्बन हाएत । अदालत नकली प्रमाण पत्रबला कर्मचारीके नगद जरिवाना आ ६ महिनाधरि कैद सेहो क सकैत अछि ।

प्रचण्ड राष्ट्रपतिस भेट क रहल

काठमाण्डौ, चैत ११ । राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव आ एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्डबिच अखन भेटघाट भ रहल अछि ।
भिन्सर साढे १० वजेस राष्ट्रपति कार्यालय शितल निवासमा भ रहल भेटमे शान्ति प्रक्रिया, संविधान लेखन तथा पछिला राजनीतिक परिस्थितिबारे बिमर्श भ रहल बताओलगेल अछि ।
राष्ट्रपति डा. यादव किछदिन स राजनीतिक परामर्शमे जुटल छथि । विभिन्न दलक नेतासबसँगक परामर्शमे यादव शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे देखलगेल गतिरोधक बिषयमे चिन्ता व्यक्त करैत आबि रहल छथि ।

दोसर दिन आइ नेपाली बिषयक परिक्षा


जनकपुर, चैत ११ । बिद्धार्थीसबहक आइरन गेटके रुपमे मानल जाएबला एस एल सी परिक्षाक दोसर दिन आइ नेपाली बिषयक परिक्षा भऽरहल अछि ।
अहिबिच, न्यु आईडियल बोर्डिङ स्कुल जनकपुरस पुलिस १ पुरुष आ १ महिला क २ गोटे नकली निरिक्षकके गिरफ्तार केलक अछि । अहिना, सरस्वती स्कुलके नजदिकस चिटके फोटोकपी करैत काल २ गोटेके पुलिस फोटोकपी मेसिन सहित गिरफ्तार केलक अछि त रामानन्द चौकस फोटोकपी करैत काल ४ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि । तहिना, सिद्धार्थ बोर्डिङ स्कुलस २ टा निरिक्षकके पुलिस चिट चोरबैत काल गिरफ्तार केलक अछि ।
जानकी माबि जनकपुरमे एक गोटे अपनाके सशस्त्र पुलिसके डिएसपी बतबैत केन्द्र भितर प्रबेश करय चाहि रहल नकली डा, सुरेश झा नामक ब्यक्तिके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।
ओम्हर , मोनाष्टिक स्कुल जनकपुरमे एक गोटे दृष्टिबिहिन पँकज कुमार चौधरी आ एक गोटे अपाङ जिबछ कुमार मण्डल सहयोगिके साथ परिक्षा द रहल अछि ।
एम्हर, परिक्षा हल भितर मोबाइल फोन ल जाएके निषेध रहलाक कारण पुलिस बिद्धार्थीसबहक सँगस करिब ३ सय थान मोबाइल बरामद केलक अछि ।


अहि बेरक परीक्षामे ४ लाख ९६ हजार २ सय ४३ विद्यार्थी सहभागी भेल अछि । एसएलसी परिक्षा चैत १८ गतेधरि चलत ।

उच्चस्तरीय चिनियाँ सैन्य टोली आइ घुरत

काठमाण्डौ, चैत ११ । तीन दिना नेपाल भ्रमणमे रहल १८ सदस्यीय चिनियाँ सैन्य टोली आइ स्वदेश घुरिरहल अछि ।
चिनीया सेनाक प्रमुख चेन विङदे नेतृत्वमे उच्चस्तरीय सैन्य टोली २ दिन पहिने नेपाल आएल छल । प्रधान सेनापति छत्रमान गुरुङके निमन्त्रणमे नेपाल आएल चिनिया सैन्य टोली राष्ट्रपति प्रधानमन्त्री आ रक्षामन्त्रीसँग भेट क सुरक्षा आ अन्य सहयोगक विषयमे बिमर्श केने छल । चिनीया टोली चीन विरोधी गतिविधिके विषयमे सेहो बातचित केने छल । नेपाल एकटा चीन नीतिमे अपने प्रतिवद्ध रहल बतौलाक बाद सैन्य टोली प्रशंसा केने अछि ।
प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँगक भेटमे टोली चिनिया प्रधानमन्त्री विन जिया बाओके सन्देशके बारेमे जानकारी करबैत नेपालक शान्ति आ विकासक लेल सहयोग करय चीन सदिखन तयार रहल बतौने छलथि । नेपाल भ्रमणकै क्रममे चिनियाँ सैन्य टोली नेपालके एक अर्ब ३० करोड रुपैयाँ बराबरके सहयोग करयके वचन देने छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन