Thursday, December 01, 2011

सर्वोच्चक फैसलाके पुनरावलोकन कराबय परतः माओवादी नेता गुरुङ


काठमाडौ, अगहन १५ । माओवादी संसदीय दलक प्रमुख सचेतक देब गुरुङ अन्तिम बेर संविधानक म्याद ६ महिना बढाबयके देने सर्वोच्च अदालतक फैसलाके पुनरावलोकन करय परत बतौलनि अछि ।

रिपोर्ट क्लब आइ आयोजना केने साक्षात्कारमे गुरुङ संसदके क्षेत्राधिकारके विस्थापित करयके हिसावसँ सर्वोच्चक फैसला आएल कहैत अहिके पुनरावलोकन कराबय सरकारके तत्काल पहल करय परत धारणा रखलनि ।

राष्ट्रिय सहमतिके सरकार गठनक आवश्यकता रहल कहैत गुरुङ सरकार गठन भेल समय भेल ४ बुँदे सम्झौता, भारतसंगके विप्पा सम्झौता सहितक राष्ट्रियता विरोधी सम्झौताके सच्या कऽ आगु बढल जाए तऽ प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराईएके नेतृत्वमे सेहो राष्ट्रिय सहमतिक सरकार गठन होबय सकत बतौलनि । ओ याह  सम्झौताके कारण भट्टराईके नेतृत्वके विषय कठिन भेल दावी कएलनि ।

नेपाली युवती बेल्जियमके मोडल प्रतियोगिताके फाइनलमे


बेल्जियम, अगहन १५ । बेल्जियमे आयोजना भेल जुनिअर टप मोडेल २०११ मे नेपाली रोसनी पाउरबेक्स फाइनलमे प्रवेस केलिह अछि । प्रत्येक वर्ष सम्पन्न होबयबला ओ कार्यक्रममे प्रारम्भिक चरणमे सहभागी भेल १४०० सहभागीसबसँ चुनि कऽ १५० गोटेके मात्रे सहभागी कराबयके प्रावधान अन्तरगत ओ छठम नम्बरमे चुनाएल छथि ।

सेमी फाइनलसँ २६ गोटेके फाइनलके लेल छानल गेल अछि । निर्णायक मण्डल आ सार्वजानिक भोटसँ सहभागीसबके विजेता घोषणा कएल जाएत बताओलगेल अछि । आगामी डिसेम्बर ०३ तारिखमे बेल्जियमके सालरुवा नामक स्थानमे होबय जाऽ रहल फाइनलमे २६ गोटेमेसँ प्रथम, द्धितीय आ तृतीय छानल जाएत ।



समायोजन संख्या नहि बढतः कांग्रेस


काठमाडौ, अगहन १५ । नेपाली कांग्रेस पूर्व सहमति अनुसार ६ हजार ५ सयसँ बेसी लडाकुके समयोजन करय नहि मिलत स्पष्ट केलक अछि । कांग्रेस पदधिकारीसबहक आइ बैसल बैसारसँ लडाकु समायोजन संख्या बढाबय नहि सकयके निष्कर्ष निकाल्ने अछि ।

माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल काल्हि शिविर भ्रमणके क्रममे समायोजन संख्या ९ हजार पहुँचाबय सकयके अभिव्यक्ति देने  प्रति कांग्रेस आपत्ति जनौलक अछि । दाहालक ओहन अभिव्यक्तिसँ शंका पैदा भेल बैसारक निष्कर्ष अछि । बैसारक बाद नेता अर्जुन नरसिंह केसी कहलनि जे–‘कात्तिक १५ गतेके सहमति अनुसार सुरक्षा निकायके मापदण्ड अनुसार लडाकुके समायोजन होबय परत विषयमे कांग्रेस दृढ अछि ।

अहिना, कांग्रेस संविधानसभाक म्यादके विषयमे सर्वोच्च अदालत केने फैसलाके सकारात्मक कहने अछि । सर्वोच्चके फैसलाक बिरोध केनाइ औचित्य नहि रहल कहैत बढाओलगेल ६ महिना भितर संविधान निर्माणमे अग्रसर होबय दलसबसँ कांग्रेस आग्रह केलक अछि ।

राज्यपुनर्संरचना आयोग संग समन्वय कऽ क काम करय नरहरि आचार्यक नेतत्वमे समिति सेहो गठन कएलगेल अछि ।

प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईसंग आइ भिन्सर भेल भेटमे सेहो कांग्रेस सभपति सुशील कोइराला समायोजनके संख्या बढाबय नहि मिलत बतौने छलथि ।

नेपाल भ्रष्टके १५४ नम्बर पर


काठमाडौ, अगहन १५ ।  नेपाल भ्रष्ट्रचार करयके देशके १ सय ५४ हम् नम्बरमे परल अछि । ट्रान्सपरेन्सी इन्टरन्यानशलके प्रतिवेदन अनुसार भ्रष्टचारीके नम्वरमे बितल वर्षसँ अहिबेर आओर उपर अछि । बितल वर्ष १ सय ४६ हम् स्थानमे छल ।

सरकार भ्रष्टचार नियन्त्रण करय असफल भेल, सार्वजनिक साधनके दुरुपयोग बढल सहितक प्रतिवेदनमे उल्लेख कएलगेल अछि ।  सरकारी निकायसब जनताप्रति जिम्मेवार नहि भेल कहैत अहिसँ आर्थिक स्थायित्व प्राप्त नहि भेल उल्लेख अछि । १ सय ८३ देश मेसँ नेपाल १ सय ५४ हम् स्थानमे अछि तऽ सबसँ बेसी भ्रष्टमे सोमालिया, उत्तर कोरिया आ म्यानमार रहल अछि । अहिना सबसँ कम भ्रष्टमे न्यूजिल्याण्ड रहल अछि ।

किशनजीके मृत्यु भेलमे बैद्य पक्षक विरोध


१५ अगहन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक मोहन बैद्य पक्ष भारतीय माओवादीक नेता मोलाजुल्ला कोटेश्वर राव (किशनजी) के हत्याक विरोध केलक अछि ।

माओवादी लेटरप्याड प्रयोग कऽ वरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण आ महासचिव रामबहादुर थापा बादल आइ जारी केने  विज्ञप्तीमे किशनजीके भारतीय सुरक्षा बल गिरफ्तार कऽ हत्या केने कहैत विरोध कएलगेल अछि ।

आत्मसमर्पण करय अस्वीकार केलाबाद कथित मुठभेडके नाममे हत्या कएलगेल कहैत विज्ञप्तीमे एहन मुठभेडके नाममे कएलगेल हत्याके घोर भत्र्सना कएलगेल अछि ।

बैद्य पक्ष स्वतन्त्र छानबिन आयोग गठन कऽ अपराधीके कारवाही करय भारतक केन्द्र आ पश्चिम बंगाल सरकारसंग माँग केने अछि । किशनजीके निधनसँ पुरा भारतके कम्युनिष्ट आन्दोलनके पैघ क्षति भेल कहैत विज्ञप्तीमे भारतीय कम्युनिष्ट पार्टी माओवादी प्रति ऐक्यबद्धता जनाओलगेल अछि ।

युवा संघक २० कार्यकर्ता पुलिसक नियन्त्रणमे/रिहाईके माँग करैत प्रदर्शन


१५ अगहन, काठमाडौँ । एमाले निकट युथ फोर्सक कार्यकर्ता अनामनगर स्थित युवास्वरोजगार कोषके कार्यालयमे तोडफोड केलक अछि ।

अध्यक्ष महेश बस्नेतक नेतृत्वमे करिब २० सँ बेसीके संख्यामे गेल युथफोर्सक कार्यकर्ताक समूह कार्यालयमे प्रवेश कऽ खिडकी केबारके सिसा तथा फर्निचरसब तोडफोड केलक अछि ।

पुलिस तोडफोडमे संलग्न युवा संघ नेपालक अध्यक्ष महेश बस्नेत आ महासचिव निरज आचार्य सहित २० गोटेके गिरफ्तार केलक अछि । गिरफ्तार भेलसबके प्रदर्शनीमार्ग स्थित नेपाल पुलिस क्लबमे राखलगेल अछि । तोडफोड रोकय गेल पुलिस आ युथफोर्स कार्यकर्ताबीच किछकाल झडप सेहो भेल छल । झडपमे क्रममे दु पुलिस सहित किछ युथफोर्सक कार्यकर्ता सेहो घाइल भेल अछि ।

कार्यक्रमक नवनियुक्त उपाध्यक्षमे डा. पुण्य रेग्मी किछ दिन आगु एमाले नेता सुरेन्द्र पाण्डेके पत्नीके गाडी चालक फिर्ता बजौने विषयमे विवाद भेलाबाद युथफोर्सक कार्यकर्ता आक्रमण केने बताओलगेल अछि । पाण्डे अपने अर्थमन्त्री रहल समय कोषके चालकके कोषेसँ तलब लेबय जका पत्नीके लेल निजी चालक बनौने छल । युथफोर्स कोषमे आर्थिक अनियमितता भेलासँ ताला लगाबयके प्रयास मात्र कएने दाबी केलक अछि ।

अहिबिच पुलिस नियन्त्रणमे रहलसबके रिहाईके माँग करैत युवा संघक कार्यकर्ता आ अनेरास्वीयू प्रदर्शनी मार्गमे प्रदर्शन केलक अछि । ओसब एकटा सरकारी गाडीमे तोडफोड सेहो केलक अछि ।

जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे मजदुरद्धारा धर्ना


१५ अगहन जनकपुरधाम । जनकपुर चुरोट कारखानाक मजदुरसब आइ ३ घण्टा धर्ना देलक अछि ।

पुर्व घोषित कार्यक्रम अनुसार जचुकालिके मजदुरसब जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे आइ ३ घण्टा धर्ना देलक अछि ।

आइ  करिब भिन्सर ११ बजेसँ २ बजेधरि धर्ना देने बताओलगेल अछि । धर्ना देबयसँ पहिने मजदुरसब जुलुश सहित नगरक बिभिन्न भागक परिक्रमा करैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँचल छल । अहिसँ आगु ओसब १ घण्टा आ ओकरबाद २ घण्टा करैत समय बढबैत धर्ना दैत आबिरहल छल । आब काल्हि ४ घण्टा धर्ना देल जाएत एक मजदुर जानकारी देलक अछि ।

बन्द रहल फैक्ट्रीके सँचालन , कर्मचारीसबके बाँकी बक्यौता रहल दरमाहा देबयके सहितक बिभिन्न माँग रखैत मजदुरसँगठन धर्ना देने बताओलगेल अछि । शिघ्र माँग पुरा नहि भेल तऽ बादमे धर्नाक समय बढाबयके आ ओहुँस नहि हाएत तऽ आओर शसक्त कार्यक्रमसब करयके मजदुर सँगठन चेतावनी सेहो देने अछि ।


आइ विश्व एड्स दिवस


१५ अगहन, काठमाडौँ । आइ डिसेम्बर १ तारिख अर्थात २४ हम् विश्व एड्स दिवस नेपालमे सेहो विविध कार्यक्रम कऽ मनाओल जाऽ रहल अछि ।

एड्स दिवसक अवसरमे स्वास्थ्य मन्त्रालय तथा एड्सके रोकथाम तथा जनचेतना अभिवृद्धिके क्षेत्रमे कार्यरत संघसंस्था राजधानी सहितक देशभरि  विविध कार्यक्रमक आयोजना केने अछि । अहि वर्षक एड्स दिवसक नारा एचआइभीके नयाँ संक्रमण, भेदभाव तथा एड्सके कारणसँ होबयबला मृत्युके शून्यमे पहुँचाउ’,  तय कएलगेल अछि । असुरक्षित यौन सम्पर्कके माध्यमसँ लागयबला इ रोगसँ विश्वभरि लाखौं गोटे प्रभावित भेल अछि तऽ हजारौँ गोटेके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

विश्व स्वास्थ्य संगठनके अनुसार विश्वभरि ३ करोड ४० लाख आदमी अहि रोगसँ प्रभावित भेल अछि । नेपालमे मात्रे हरेक वर्ष ४ सँ पाँच हजारक सँख्यामे एड्स संक्रमतिसबहक मृत्य होइत अछि । सरकारी पछिला  तथ्याङ्क अनुसार नेपालमे हरेक दिन करिब ६ गोटेमे एचआइभी एड्सके संक्रमण होइत अछि । सन् २०१० के तथ्याङ्क अनुसार हाल देशभरि ५५ हजार ६ सय २५ गोटे एचआइभी/एड्स सँ प्रभावित अछि । मुदा, बितल वर्ष ६७ हजार एड्स प्रभावित रहल तथ्याङ्क सार्वजनिक कएल गेल छल ।

भ्यानके ठक्करसँ मोटरसाइकलमे सवार दु गोटेके मृत्यु


१५ अगहन, भक्तपुर । अरनिको रागमार्ग अन्तर्गत जगाती सूर्यविनायक चोकक बीचमे परयबला आदर्श ौके बितलराति भेल सवारी दुर्घटनाम दु गोटेके मृत्यु भेल अछि

मृत्यु होबयबलामे सिन्धुपाल्चोक माङ्खा-३ क २१ वर्ष माइला लामा १९ वर्ष उद्धव श्रेष्ठ रह महानगरीय प्रहरी परिसर भक्तपुर जनौलक अछि । बा ख ५०६० नम्बरक भ्यानसँ बा २४ प ४४३६ नम्बरक मोटरसाइकलके ठक्कर देलासँ मोटरसाइकलम सवार हुनकासबके भक्तपुर अस्पतालमे इलाजक क्रमम बितलराति साढे ११ बजेदिस मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि

ठक्कर देबयबला भ्यान चालक हरिप्रसाद खनालके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन