Thursday, December 22, 2011

फोटो सँसार


बाबुरामके एको दिन सरकारमे बैसयके हैसियत नहि अछिः महत


७ पुस, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य डा. रामशरण महत प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके एको दिन  सरकारमे बैसयके नैतिक हैसियत नहि रहल  दावी कएलनि अछि ।

शान्ति प्रक्रिया आगु बढावयके सर्तमे कांग्रेस तत्काल सरकार परिवर्तनके बात नहि केने कहैत ओ शान्ति प्रक्रिया आगु बढय नहि सकल अवस्थामे भट्टराई नेतृत्वक सरकारके औचित्य समाप्त भेल बतौलनि । आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे महत कहलनि जे आब कांग्रेस इ सरकारके लऽ क चलय नहि सकत । शान्ति प्रक्रियामे धोका भेल । वितल तीन सप्ताहसँ शान्ति प्रक्रियाके कोनो काम नहि भेल अछि ।

ओ सहमति अनुसार शान्ति प्रक्रिया आगु बढ नहि सकनाइ, सम्पत्ति फिर्ताके काम सुरु करय नहि सकनाइसँ माओवादी शान्ति प्रक्रियासँ खेलय चाहने आशंका बढल बतौलनि । दर्जा मिलान, तालिम जेहन सहमति भऽ चुकल विषय उठा कऽ माओवादी शिविर खाली करय  नहि मानने हुनक कहब छलनि । स्वेच्छिक अवकासमे जाएबलाके रकम जुटावय सरकार पुरक बजेट आनत तऽ अपनेसब सहयोग करय तयार रहल कहैत कांग्रेस नेता महत माओवादी अनेक बहाना बना कऽ शान्ति प्रक्रियाके रोकयके रणनीतिमे रहल दावी कएलनि ।

एमाले नेता भीम रावल प्रधानमन्त्री सत्तामे टिकय लेल राष्ट्रियता आ देशके सुरक्षाके ध्वस्त करय जका सेनामे मधेसीके समूहगत प्रवेशके निर्णय केने आरोप लगौलनि । प्रधानमन्त्री सहमति अनुसार चलय नहि सकल आरोप लगबैत ओ सहमति तोडि कऽ देशके गृहयूद्ध दिस धकलयके योजना रहल दावी कएलनि ।

कार्यक्रममे तमलोपा नेपालक अध्यक्ष एवं सिचाई मन्त्री महेन्द्र यादव नेपाली सेना तयार केने नीति पत्रके मन्त्री परिषद पारित केने दावी करैत तीन हजारमे मधेसी मात्रे नहि भऽ पहाडी आदीवासी, जनजाती, दलित सेहो सहभागी होवय पाओत स्पष्ट कएलनि ।

माओवादीके फेउरसँ चक्रब्युहमे फँसाबय चाहि रहल अछिः गजुरेल


७ पुस, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता हरिवोल गजुरेल माओवादीएके नेतृत्वमे राष्ट्रिय सहमतिके सरकार नहि बनत तऽ सब प्रक्रियासब अवरुद्ध होयबाक चेतावनी देलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे नेता गजुरेल डा. बाबुराम भट्टराईके नेतृत्वमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढलासँ हुनके नेतृत्वमे सहमतिके सरकार निर्माण होवय परत जिकिर कएलनि । शान्ति आ संविधानमे नरम भेलासँ  आन दलसब चक्रब्युहमे फँसाबय लागल दावी करैत ओ अहिसँ देशमे असहज अवस्था आओत चेतावनी देलनि ।

ओ मधेसीके नेपाली सेनामे प्रवेश करयके बतके विरोध हाएत तऽ अहिसँ ककरो फाइदा नहि पहुँचत  चेतावनी देलनि ।

चारिम चरणक आन्दोलनक घोषणा


७ पुष जनकपुरधाम । अहिसँ आगु ३ चरणक आन्दोलन कऽ चुकल जनकपुर नगर पालिकाक राजनितिक सँयन्‍त्रसब आब चारिम चरणक आन्दोलनक घोषणा कएलक अछि ।

सँयन्त्रद्धारा राखलगेल बिभिन्न १० सुत्रिय माँगप्रति सम्बन्धित निकाय बेवास्ता केलासँ चारिम चरणक आन्दोलनके कार्यक्रमसब घोषणा कएलगेल सँयन्त्रद्धारा जारी बिज्ञप्तिमे उल्लेख अछि ।

नगरपालिकाक बारुण यन्त्र सरसफाइ आ एम्बुलेन्स बाहेकके सम्पुर्ण शाखामे अनिश्चितकालिन तालाबन्दी कएलगेल बिज्ञप्तिमे जनाओलगेल अछि ।

अनिश्चितकालिन तालबन्दीसँ नगरपालिकाक सम्पुर्ण काम काजसब प्रभावित भेल अछि तऽ कार्यालयमे आवयबला सेवाग्राहिसबके समस्या सेहो भऽ रहल अछि ।

सँयन्त्रक निर्णय अनुसार आइ बेरियामे शिव चौकपर स्थानिय बिकास मन्त्रीक पुत्ला जराओलगेल अछि तऽ प्रमुख जिल्ला अधिकारीक राजिनामाक माँग कएलगेल अछि ।

अहिसँ आगु तेसर चरणक आन्दोलनके कार्यक्रम अनुसार रिले अनशन पर बैसल सदाशिव मिश्र आ शैलेन्द्र झाक अवस्था गम्भिर भेलासँ जनकपुर अँचल अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि ।

सेनामे मधेसीके समुहगत प्रवेशके सशक्त बिरोध करब: आचार्य


इनरुवा, पुस ७ । एमालेक मुख्य सचेतक भिम आचार्य सरकार नेपाली सेनामे मधेशी समुदायके समुहगत प्रबेश करावयके नीतिपत्र तत्काल फिर्ता नहि लेत तऽ सदन आ सडकसँ सशक्त बिरोध करब बतौलनि अछि ।

सेनाके विवादके केन्द्र वनावयके मनसायके साथ सरकार जातीय आधारमे सेनामे मधेशीके समुहगत प्रबेश करावय चाहने कहैत ओ सदन आ सडकसँ सरकारी कदमके बिरोध करब बतौलनि ।

सुनसरी सदरमुकाम इनरुवामे आइ  बातचित करैत आचार्य सेनाके समाबेशी संरचना होवयके पक्षमे अपनेसब रहितो कोनो जाति बिशेषके आधारमे समुहगत प्रबेशके प्रस्ताव कोनो हालतमे मान्य नहि हाएत बतौलनि ।

ओ नेपाली सेनामे ५५ प्रतिशत खुल्ला आ ४५ प्रतिसत आरक्षणके ब्यबस्था बर्तमान अबस्थामे रहल आ सेनामे मात्रे नहि भऽ अन्य निकायमे सेहो समाबेशीके लेल सरकार समाबेशी बिधयेक आनि कऽ ओइके आधारमे सब निकायमे सबके समाबेशी प्रतिनिधित्व करावय सकत टिप्पणी कएलनि । सत्ता टिका कऽ राखय प्रधानमन्त्री डा. वावुराम भटराइ मनोमानी काज करय लागल आरोप लगबैत मुख्य सचेतक आचार्य सरकारके क्रियाकलापके कारण शान्ति आ संबिधान निर्माणके कार्य अबरुद्ध होवय सकत चिन्ता ब्यक्त कएलनि ।

मधेसी भर्ती करयके तयारीप्रति सेनापतिके आपत्ति


७ पुस, काठमाडौँ । नेपाली सेनामा रिक्त रहल ३ हजार ४० दरबन्दीमे अलगे बटालियन खडा कऽ क मधेसी युवाके भर्ती करयके सरकारी निर्णयप्रति प्रधान सेनापति छत्रमानसिंह गुरुङ राष्ट्रपति डा. रामवरण यादवसँ भेट कऽ असन्तुष्टि जनौलनि अछि ।

राष्ट्रपतिसँ भेटय प्रधान सेनापति गुरुङ आइ भिन्सर राष्ट्रपति भवन शीतल निवास पहुँचल छलथि । भेटमे सेनापति गुरुङ राष्ट्रपति रामवरण यादवसँग कोनो एकटा जाति आ क्षेत्र विशेषके अलगे इकाई खडा केलासँ सेनाके व्यवसायिकता आ पेशागत मर्यादामे ठेस पहुँचत कहैत परमाधिपतिके हैसियतसँ ओइके रोकय हस्तक्षेपकारी भूमिका निभावय आग्रह कएने स्रोत जनौलक अछि ।

गुरुङ ओना कऽ अलगे इकाई खडा हाएत तऽ पहिने कानुन बना कऽ आगु बढयके सेनाके संस्थागत धारणाबारे राष्ट्रपतिके अवगत करौने छलथि । जवाफमे राष्ट्रपति यादव राष्ट्रिय सेनाके गरिमामे  ठेस पहुँचय नहि देवय अपने सचेत रहल बतौने छलथि ।

मन्त्रिपरिषद्क मंगलदिनक बैसारसँ सत्ता गठबन्धन निर्माणक समय भेल ४ बुँदे सहमितके आधारमे नेपाली सेनामे मधेसीसबहक अलगे बटालियन खडा करयके निर्णय केने छल । सेनापति गुरुङ अहिसँ आगु बुधदिन प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईसँग भेट कऽ सरकारक निर्णयमे असन्तुष्टि रहल बतौने छलथि ।


१ करोड २३ लाख नक्कली भारतीय रुपैयाँसहित गिरफ्तार भेल एक नेपाली एक भारतिय आ एक फिलिपिन्सक नागरिक

विवाद समाधान उपसमितिक बैसार निष्कर्षहीन


बुटवल, पुस ७ । मोटरसाइकलके ठक्करसँ बुटवलमे आइ भिन्सर  एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

भिन्सर करिब ६ बजे सिद्धार्थ राजमार्ग अन्तरगत बुटवलस्थित कालिका नगरमे लु ११ प ८ नम्बरक मोटरसाईकलके ठक्करसँ पैदल पुरुष यात्रीके मृत्यु भेल अछि । करिब ५० वर्षक ओ मृतकके सनाखत होवय नहि सकल पश्चिम क्षेत्रीय ट्राफिक प्रहरी कार्यालय बुटवल जनौलक अछि । हुनक इलाजक लेल लुम्बिनी अञ्चल अस्पताल लऽ जाइत  काल  मृत्यु भेल छल ।

विवाद समाधान उपसमितिक बैसार निष्कर्षहीन


७ पुस, काठमाडौँ । भावी संविधान लेखनके क्रममे देखलगेल विवाद समाधान करयके जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक उपसमितिक बैसार निकर्षहीन भेल अछि ।

सिंहदरबारस्थित समितिक कार्यालयमे आइ भिन्सर बैसल बैसारमे संविधानके प्रस्तावना आ संविधानके शंसोधनीय तथा अशंसोधनीय व्यवस्था, बहुलवाद आ संवैधानिक समितिमे भेल विवादके सम्बन्धमे बिमर्श होइतो सहमति होवय नहि सकल सदस्य लक्ष्मणलाल कर्ण जानकारी देलनि ।

उपसमितिके राज्यपुनर्संरचना बाहेक आब ११ टा विषयमे मात्र सहमति जुटावयके अछि ।

पृथ्वी जेहन जौवाँ ग्रह भेटल


पुष ७, जनकपुरधाम । खगोलविद्सब पहिलो बेर पृथ्वी  आकारके २ टा ग्रह पत्ता लगौलक अछि । सौर्यमण्डलसँ बुहत दुर रहलासँ ओ ग्रहसब सूर्य जेहन एक ताराके परिक्रमा कऽ रहल खगोलविदसबहक कहब अछि । पृथ्वीके जौवाँ ग्रह जेहन रहल ओ ग्रहमे इतिहासमे कोनो समय जिवके अस्तित्व रहल भऽ सकवाक बताओलगेल अछि ।

खगोलविदसब पछिला खोज सौर्यमण्डल बाहरके ग्रहसबमे कएलगेल खोजमे सँ अखनधरिके बहुत महत्वपूर्ण खोज रहल दाबी केलक अछि । अध्ययन टोलीके प्रमुख तथा क्याम्ब्रिज विश्वविद्यालयके खगोलिय भौतिक विज्ञान केन्द्रक वैज्ञानिक डाक्टर फान्कोइस फेसिन पृथ्वी जेहन ग्रहसब पत्ता लगावयके विषयमे इ नयाँ अध्याय सुरु केने बतौलनि ।

नयाँ पत्ता लागल ग्रहसबमे तापक्रम बहुत उच्च रहलासँ तत्काल जिवनके सम्भावना नहि रहल हुनक कहब अछि । मुदा कोनो समय ओ ग्रह अपन सूर्यसँ बहुत दुर रहलासँ ओ समय ओ ग्रहमे तरल पानि रहल  ओ बतौलनि । अखन पृथ्वीके आकारके ओ ग्रहमे विगतमे पृथ्वीके जेहन तापक्रम आ जिवके अस्तित्व रहल होवय सकवाक हुनक दाबी छन्हि । इ दु ग्रहके नाम केप्लर २० एफ आ केप्लर २० इ राखल गेल अछि ।

पूनम पाण्डेयके हॉट फोटोशूट

शान्ति आ संविधानसँगै जनपरिचालन करयके प्रचण्डक प्रस्ताव


७ पुस, काठमाडौँ । माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति आ संविधानके पार्टीके आधिकारिक लाइन प्रस्ताव करैत ओइके सफल करय जनपरिचालन करयके प्रस्ताव तयार कएलनि अछि ।

बेर बेर स्थगित होइत शनिदिनके लेल तय कएलगेल माओवादी केन्द्रीय समितिक बैसारमे पेश करय अध्यक्ष प्रचण्ड प्रतिवेदनके खाका तयार कएलनि अछि । शान्तिप्रक्रियाके निष्र्कर्षमे पहुँचबैत प्रगतिशिल संविधान लिखयके आ ओइके लेल तत्काले जनपरिचालन करयके प्रस्तावमे उल्लेख कएलगेल प्रचण्डनिकट पोलिट्ब्युरो सदस्य अग्निप्रसाद सापकोटा जानकारी देलनि ।

हुनक अनुसार प्रस्तावमे अहिसँ आगु १० साउनमे सम्पन्न भेल केन्द्रीय समितिक बैसारसँ एकमतसँ गुटगत भेला बन्द कऽ सहमतिके विषयमे आन्तरिक फोरमसबके बिमर्श चलबैत जाएके आ नहि मिलल विषयके महाधिवेशनसँ निर्णय करयके बिषयमे बात होइतो  ओइ विपरीत गुटगत भेला करयके क्रम नहि रुकलासँ विषय उठाओलगेल अछि । अहिके बादो गुटगत भेला जारी रहत तऽ सांगठनिक कारबाहीके प्रक्रिया आगु बढावयके  प्रचण्डक प्रस्तावमे अछि ।

डाँकुद्वारा एक गोटेके हत्या, लाखौंके लुटपाट


सिरहा, पुस ७ हतियारधारी डाकुसबहक एक समूह सिरहाके बेल्हा ३ स्थित घरसँ १० लाखसँ बेसीके लुटपाट केलक अछि । डाँकुसब स्थानीय एक युवाक हत्या सेहो केलक अछि तऽ  अन्य ६ गोटे घाइल सेहो भेल अछि

बेल्हा ३ क रघुनाथ साहक १५ वर्ष बेटा सुरेश साहक डाँक चलौने गोली लागि कऽ मृत्यु भेल अि माथमे गोली लागि घाइल भेलाबाद इलाजक लेल सिरहा लऽ जाएके क्रमम साहक मृत्यु भेल अि

वायह ठाक शिवनाथ साह, हुनक कनिया सुनिता साह, जोगिन्द्र साहक बेटा प्रमोद साह, बेटी गितादेवी साह, गिताक १२ बर्ष बेटी चान्दनी साह ७ वर्ष बेटा चन्दन साह गम्भीर घाइ ेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अि । डाकुसब प्रहार कने धरगर हतियार बमक छर्रासँ ओसब घाइ ेल अछि ओकरसबहक जिल्ला अस्पताल सिरहाम इलाज ऽ रहल अछि

बितल राति २ वजेक समयम ७/८ गोटेके समूहम आए हतियारधारी डाकुसब जोगिन्द्र साहक घरके केबार तोरि कऽ  हुनक  भाइक घरम दु घण्टाधरि डकैती केने पिडितसब बतौलक अछि । स्थानीय गौवासब डाकुसँग एक घण्टाधरि प्रतिकार करितो २ सय मिटरक दुरीम मात्र रह पुलिस चौकी;सँ पुलिस घटना स्थलमे पहुँचय नहि सकल ।

अहिबीच, आक्रोशित स्थानीयबासी पुलिस चौकी बेलहा आगु टायर बारि कऽ प्रदर्शन केलक अछि । आक्रोशित भिड पुलिस चौकीम आक्रमण कऽ आगि  लगावयके प्रयास केलाबाद पुलिस आधा दर्जन हवाई फायर केलक अछि तऽ  ओतयके अबस्था तनाबग्रस् अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन