Monday, October 31, 2011

शान्ति आ संविधान निर्माणबारे जल्दिए हाएत सहमतिः शीर्ष नेतासब


१४ कात्तिक, काठमाडौं । प्रमुख दलक नेतासब शान्ति आ संविधान निर्माणबारे जल्दिए सहमति हाएत बतौलनि अछि । दशैं, दियाबाती, नेपाल सम्बत् आ छठिके अवसरमे एकीकृत नेकपा माओवादी आइ राजधानीमे आयोजना केने चायपान कार्यक्रममे माओवादी, कांग्रेस, एमाले आ मधेसवादी दलक नेतासब शान्ति प्रत्रिया, संविधान निर्माण सहितक विषयमे एक दु दिनमे  प्याकेजमे  सहमति हाएत बतौलक अछि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड जनताक भवना अनुसार शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाबयके प्रतिवद्धता जनौलनि । ओ कहलनि जनताके इच्छा अनुसारक शान्ति प्रक्रिया पूरा हाएत । संविधान अबश्य बनत ।

चायपान कार्यक्रममे सहभागीसब अपनासँग पार्टी एकजुट होबय लेल सुझाव देने कहैत ओ पार्टीके एकतावद्ध बनाबय केहनो त्याग करय तयार रहयके प्रतिवद्धता जनौलनि ।

कार्यक्रममे कांग्रेस सभापति सुशील कोइराला शान्ति प्रक्रिया पूरा होबयके आ लोकतान्त्रिक संविधान निर्माणक सुखद समाचार सुनाबय अपनेसब औगताह रहल बतौलनि ।

एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल तीन दलक वार्ता सकारात्मक रहल कहैत आबके किछुए दिनमे शान्ति आ संविधान निर्माणबारे प्याकेजमे सहमति हाएत बतौलनि ।

मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष एवं उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार शान्ति आ संविधान निर्माण करयके विकल्प नहि रहल बतौलनि ।


सोनी



हलिउडक व्यस्त मोडेल तथा टेलिभिजन स्टार इमोजेन थोमस




नयाँ अभिनेत्री अमीषा यादव



छठिके तस्विरसब







बस आ ट्रक ठोकराएलासँ २५ गोटे घाइल


१४ कात्तिक, मलंगवा । पूर्वपश्चि राजमार्ग अन्तर्गत सर्लाहीके तीन घरेमे आइ भिन्सर भेल सवारी दुर्घटनामे कमसँ कम २५ गोटे घाइल भेल अछि ।

घाइल मे सँ २ गोटेके अवस्था गम्भीर अछि तऽ  ६ गोटे घाइलके इलाजक लेल चितवन स्थित भरतपुर अस्पताल पठाओल गेल अछि तऽ अन्यके स्थानीय अस्पतालमे इलाज भऽ रहल अछि । सप्तरीके राजविराजसँ वीरगञ्जदिस जाऽ रहल ना २ ख ३९०४ नम्बरक यात्रुबस आ पश्चिमसँ पूर्वदिस जाऽ रहल मालबाहक ट्रक एक आपसमे ठोकरा कऽ  दुर्घटना भेल सर्लाही पुलिस जनौलक अछि ।

दुर्घटनामे घाइल होबयबलामे अधिकांश बसमे सवार यात्रु रहल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सर्लाही जनौलक अछि ।

झारखंडमें तीन गोटेके हत्या


१४ कातिक झारखंड । झारखंडके नक्सल प्रभावित खूंटी ज़िलामें संदिग्ध माओवादी छापामारसब तीन गोटेके  हत्या केलक अछि ।

माओवादीसब अहिमे सँ एक गोटेके गोली मारि कऽ हत्या केलक अछि तऽ दोसर एक गोटेके माथ धड़ सँ अलग केलक अछि ।

खूंटीके पुलिस अधीक्षक मनोज कौशिकके कहब अछि जे ज़िलाके नदीटोला इलाक़ामें तेसर गोटेके माथके भारी पत्थरसँ फोरिदेल गेल अछि ।

पुलिसके अनुसार राजा बाज़ारके इलाक़ामें संदिग्ध माओवादी सुखराम मुंडाके माथा धरगर हथियार सँ काटिदेने अछि ।

कार बम विष्फोटमे ४ गोटेके मृत्यू


१४ कातिक अफगानिस्तान अफगानिस्तानक कंधार शहरमे एकटा कार ब विष्फोटमे ४ गोटेके मृत्यू भेल अछि।
एहि आक्रमणमे पाँच गोटे घायल सेहो ेल अछि जकरा अस्पतालमे भर्ती कराओलगेल अछि घायलमे सँ एक गोटे नेपाली गार्ड रहल बताओलगेल अछि।
अधिकारीसभक अनुसार आक्रमणकारी विष्फोटकसँ भरल कार एकटा सुरक्षा चौकीसँ टकरा देने छल एहि सुरक्षा चौकीके नजदीक संयुक्त राष्ट्र शरणार्थी उच्चायुक्त आ अमेरिकी एजेंसी अंतराष्ट्रीय राहत आ विकासक कार्यालय सेहो अछि।
तालिबान एहि आक्रमणके जिम्मेवारी लैत आक्रमणके लक्ष्य संयुक्त राष्ट्र शरणार्थीके कार्यलय रहल जनओलक अछि

विश्वके जनसंख्या सात अर्ब पार


१४ कातिक जनकपुरधाम विश्वके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽ चुकल अछि सात अरबवाँ बच्चाक जन्म फिलिपींसके राजधानी मनिलामे भेल अछि

फिलीपिंसक एकटा अस्पतालमे जन्म लेने ओ बच्चाक नाम डैनिका रहल अछि । डैनिकाके जन्म राति करिब १२ बजे भेल छल यूनाइटेड नेशनके वेवसाइट पर एहि विषयमे तथ्यांक दर्ज भऽचुकल अछि एहिके सँग दुनियाके जनसंख्या सात अर्ब पार कऽचुकल अछि

संयुक्त राष्ट्रके अनुसार विश्वके जनसंख्या सन 2100 धरिमे 10 अरब तक पहुंच सकैत अछि ।  दुनियामें प्रत्येक सेकंडमे पांच बच्‍चाके जन्‍म होइत अछि आ २ गोटेके मृत्यु होइत अछि ।

प्रमुख तीनदलक बैसार निष्कर्षहीन


१४ कात्तिक, काठमाडौँ । शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणक विवादित विषयमे अन्तिम सहमति जुटाबयके प्रयासमे बैसल प्रमुख तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबहक बैसार निष्कर्षहीन भेल अछि ।

भिन्सर पौने ९ बजेसँ करिब ४ घण्टाधरि राजधानीके बूढानिलकण्ठ स्थित पार्क भिलेज रिसोर्टमे बैसल बैसार काल्हि बेरियाके ४  बजे फेर सँ बैसय जका सहमति कऽ स्थगित भेल अछि । एकीकृत नेकपा माओवादी, नेपाली कांग्रेस आ एमालेक शीर्षस्थ नेता सहभागी बैसारके क्रममे दलसबबीच अनौपचारिक रुपमे द्विपक्षीय बिमर्श समेत भेल छल ।

बैसारसँ बहरायके क्रममे सञ्चारकर्मीसँग बातचित करैत नेपाली कांग्रेसक नेता अर्जुननरसिंह केसी काल्हि बेरियाके ४ बजे प्रधानमन्त्री निवास बालुवाटारमे बैसय जका आजुक बैसार बैसल जानकारी देलनि । केसीके अनुसार सेना शान्तिप्रक्रिया, विभिन्न आयोगसबहक गठन आ शक्तिबाँडफाँटक विषयमे प्याकेजेमे सहमति खोजय दलसब सहमत भेल अछि । अहिसँ आगु दलसब आइए अन्तिम सहमति होबयके संकेत केने छल ।  माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष शान्ति आ संविधान लेखनके प्याकेजेमे सहमति करय परत कहैत विरोध केलाबाद आइ सहमतिमे हस्ताक्षर होबय नहि सकल अछि ।

आजुक बैसारमे दियाबाती आगु भेल बिमर्शमे त्रिदलीय कार्यदल पेश केने सेना समायोजनसम्बन्धी प्रस्तावमे बिमर्श भेल नेतासब बतौलक अछि ।

हम छि नकली माधुरी दिक्षित








छठि बिशेष


श्रद्धा,भक्ति आ सम्पूर्ण सझिया सांस्कृतिक प्रतिबिम्बक पहिचानके रुपमे मनाओल जाएबला छठि पावनि आईसँ धार्मिक परम्परा अनुसार हर्षोल्लासके सँग मनाओल जा रहल अछि।
सत्य आ अहिंसा प्रति रुचि बढाबएबला तथा सम्पूर्ण जीव प्रति साहानुभुति रखबालेल अभिप्रेरित करएबला तराईवासीक महान पावनि अछि छठि।तराईक सभ जाति एहिके सझिया रुपसँ मनबैत अछि जे एकर विशेषता अछि।
सूर्य उपासना परम्पराक मोहक पद्धति मानलगेल संसारमे यहाय एकटा पावनि अछि जाहिमे अस्ताईत आ उगैत सूर्यके पूजा कएल जाति अछि।एहि पावनिकेलेल आवश्यक समाग्रीके ओरियाईन पावनिक किछु दिन पहिनेसँ शुरु भऽ जाति अछि।
विशेष कऽकऽ कार्तिक शुक्ल पक्षसँ शुरु होबएबला ई पावनि चारि दिन धरि मनाओल जाति अछि।कार्तिक चतुर्दशी दिनसँ व्रतालु एहि पावनिके मनाबक शुरु करैत अछि जे सप्तमिके भिन्सर समाप्त होइत अछि।
पहिल दिन अर्थात चतुर्दशी दिनके अरबा अरबाईन अथवा नहाए खाए कहल जाति अछि।
एहि दिनमे व्रतालुसभ नदी,पोखरि,तलाव,जलाशय आदिमे नहा कऽ शुद्ध भऽकऽ शुद्ध खाना खाएल करैत छथि।
व्रतालुसभ भोजनमे माछ माउस,लहसुन,प्याउज आ मरुवा सहितक चिज परित्याग कऽकऽ एहि दिनसँ व्रत शुरु कऽ दैत छथि।
पञ्चमी तिथीके खरना अर्थात पापक क्षय कहल जाति अछि।खरना साँझूक अर्गसँ एक दिन पहिने रहलाक कारण एहि दिनमे व्रतालुसभ दिनभरि उपवास कऽकऽ साँझमे स्नान कऽ अपन कुल देवता स्थापना कएने पूजा घरमे नव चुल्हिन बना कऽ प्रसाद बनबैत छथि।
प्रसादके रुपमे विशेष कऽकऽ केरा आ खीरके लेल जाति अछि।जकरबाद गायक गोबरसँ निप पोइत कऽ अरबा चाउरसँ तैयार आँटाक अरिपण दऽकऽ व्रतालु साँझमे चन्द्रमाके खीर चढा कऽ प्रसाद ग्रहण करैत छथि।
खरना दिनसँ व्रतालु पूर्ण व्रत लैत छथि जे सप्तमि दिन उगैत सूर्यके अर्ग दऽकऽ समाप्त होइत अछि।
षष्ठी अर्थात तेसर दिन गहुम आ चाउर जाँत तथा ढेकीमे कुटि पिस कऽ एकर आँटासँ छठि पावनिक समाग्री तैयार कएल जाति अछि।छठि पावनिक समाग्री तैयार करैत काल विशेष होशियार रहए परैत अछि।पूजाक समाग्री निरैठ आ शुद्ध राखए परैत अछि।पूजाक समाग्रि जुठ भेला पर अनिष्ट होयबाक जनविश्वास रहल अछि। जाहि कारण पूजा समाग्री तयार करैतकाल महिलासभ श्रद्धापूर्वक गीत सेहो गाएल करैत छथि।
छठि माताके चढाबएबला फलफुल निरैठ राखए परैत अछि।
एहि दिन फलफूल,ठकुवा,भुसवा,खजुरि,पेरुकीया,सरबा,ढकना,कुरबार,माटिसँ बनल हाथीक मुर्ती एकटा ढाकीमे राखि परिवारक सम्पूर्ण सदस्य बिभिन्न लोकगीत एवम भक्ति गीत गबैत जलाशयमे जाति छथि।
जलाशयमे पूजन समाग्रीसभ घाट पर रखबासँ पहिने ओहि ठाम निक जँका सरसफाई कएल जाति अछि।
जकरबाद व्रतालु अस्त भऽ रहल सूर्यके प्रसाद स्वरुप अर्घ देबालेल जलाशयमे प्रवेश कऽ सूर्यास्त होबए धरि आराधना करैत छथि।
पावनिके चारिम दिन अर्थात पारण। एहि दिन भिन्सर उषाकालमे व्रतालुसभ पुन: जलाशय पहुँच कऽ प्रात:कालिन सुर्यके अर्घ दऽ पावनिके समापन करैत छथि।व्रतालुभ छठि व्रतक कथा सुनैत छथि आ सुनाएल करैत छथि।
छठि पावनिके व्रत कएलासँ दु:ख दरिद्रताके अन्त होइत अछि जनविश्वास अछि।
महाभारत अनुसार द्रोपदी सहित पाण्डव लोकनि अज्ञातवासमे रहल समयमे गुप्तवासक सफलताक कामनाकेसँग सूर्यदेवके आराधना कएने रहथिन्ह जकरबाद छठि मनाबक परम्पराके आरंभ भेल अछि।
सूर्य पुराण अनुसार सर्व प्रथम अत्रिमुनिक पत्नी अनुसुया छठि व्रत कएने रहैथ फलस्वरुप हुनका अटल सौभाग्य आ पति प्रेम प्राप्त भेलन्हि जकरबाद छठि पावनि करक परम्पराके शुरुवात भेल।
छठि पावनिके पाछा धार्मिक मान्यताके संगहि वैज्ञानिक आ ज्योतिष सम्बन्धि तथ्यसभ सेहो अछि।
वैज्ञानिक,ज्योतिषी तथा चिकित्सकसभ सेहो सूर्य तत्वसँ अपन ज्ञानक अभिवृद्धि कऽ जनकल्याणकेलेल अन्वेषण कएने छथि।

प्रधानमन्त्री भट्टरार्इ मैथिली भाषा आ मिथिलाक पागमे


१४ कातिक जनकपुरधाम  प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराइ कातिक १३ गते जनकपुरक जानकी मन्दिरमे अपन सम्पूर् भाष मैथिलीमे देलन्हि अछि । १५ मिनेटक ओ भाषण शुरु भेलाकबाद दर्शक शुरुसँ अन्तधरि ताली बजबैत रहल । डा. भट्टरार्इ एहन सुन्दर मैथिली बजता से किनको विश्वास नहि भरहल छल से एकीकृत नेकपा माओवादीक धनुषा इन्चार्ज राम चन्द्र मण्डल बतौलनि । प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार रामरिझन यादव प्रधानमन्त्रीक उपस्थिएमे कहलन्हि जे अपन भाष बाजयमे ककरो हिनता नहि होयबाक चाही । प्रधानमन्त्री स्वयं मैथिलीमे बाजि सकारात्मक सन्देश देने कहैत ओ मैथिली विकासमे सभकेँ एकजुट भऽ कऽ लागय आग्रह कएलन्हि । प्रधानमन्त्री भट्टरा अहिसँ पूर्व जनकपुर आएल समयमे धोतीकुर्ता आ पाग पहिरने छलथि मुदा मैथिलीमे अगिला बेर आएब त बाजब वचनबद्धता व्यक्त कएने रहथि । ओहे वचनवद्धताकेँ पुरा कएलन्हि अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन