Saturday, October 02, 2010

बाँकेके जमुनाहा नाकास भारतिय सिमा सुरक्षा बल ५१ थ्ान बिष्फोटक पदार्थ डेटोनेटर सहित एक गोटे नेपाली नागरिकके पक्राउ केलक अछि ।

भारतस बिष्फोटक पदार्थ ल नेपाल आबिरहल चिसापानी ४ बाँकेके जिवन मगरके सँगस ५१ थ्ान डेटोनेटर सहित काल्हि एसएसबि पक्राउ केलक अछि । पकराएल मगरके आइए जेल चलान कायल जायत भारतिय सँचार माध्यम जनौलक अछि ।
ुुुु॥

कपिलबस्तुके बिरपुर गाबिस स्थित बुद्ध सिमेन्ट कारखानाके कार्यालयमे अज्ञात समुह आगि लगौलक अछि ।

१०-१२ गोटेके सँख्यामे मुहमे कारी पटटी बान्हिक आएल अज्ञात ब्यक्तिसब कारखानाके प्रशासनिक कार्यालयमे बितलराति आगि लगौलक अछि । अग्लिगिस कार्यालयके फर्निचर आ महत्वपुर्ण कागजपत्र जरिक नष्ट भेल पुलिस जनोलक अछि । अगिलगिके खबर पबिते इलाका प्रहरी कार्यालय चन्द्रौटास गेल पुलिसक टोली आगिके नियन्त्रणमे लेने छल । आगि लगाबय बला समुहके खोजतलाश भरहल पुलिस जनौलक अछि ।

ुुुुुु॥

रौतहटमे अज्ञात समुह गर्दन रेत क एक बृद्धा महिलाके हत्या केलक अछि ।

४-५ गोटेके सँख्यामे आएल अज्ञात समुह धरगर हतियार प्रहार क ह्र्दिया पल्टुवा गाबिस वडा नम्बर ४ के ६५ बर्षक धैरा देबी यादबके हत्या केलक अछि । घरमे सुतल समयमे ओ समुह बितलराति ११ बजे ओ बृद्धाके गर्दन रेत क हत्या केने इलाका प्रहरी कार्यालय गरुडा जनौलक अछि । घटनाक अनुसन्धान भरहल रौतहट प्रहरी जनौलक अछि ।

ुुुु


न्ोकपा एमालेके बिद्यार्थी सँगठन अनेरास्वबियुके २० हम् राष्ट्रिय सम्मेलनके आइस बन्द सत्र शुरु भरहल अछि । जनकपुर चुरोट कारखानाके हलमे भिन्सर ११ बजेबाद होवय लागल बन्द सत्रमे देशभरिस २ हजार ८ प्रतिनिधि सहभागी भ रहल जनाओल गेल अछि ।

बन्द सत्रमे राजनितिक साँगठनिक बिधान सँशोधन आर्थिक सहितक प्रतिबेदन उपर परामर्श हाएत । राजनितिक तथा साँगठिनिक प्रतिबेदन अध्यक्ष राम कुमारी मुाँक्री प्रस्तुत करतीह त बिधान मस्यौदा प्रतिबेदन महासचिव माधव ढुङेल आ आर्थिक प्रतिबेदन कोषाध्यक्ष नरबहादुर धामी प्रस्तुत करताह । प्रतिबेदन उपरके परामर्श सम्पन्न भेलाबाद नयाँ नेतृत्व चयनके प्रकृया शुरु होयबाक राष्ट्रिय सम्मेलन प्रचार बिभाग प्रमुख रचना खडका जानकारी देलनि । अध्यक्षके लेल बर्तमान उपाध्यक्ष सोभियत ढकाल आ महासचिब माधव ढुङेल प्यानलसहित उम्मेदबारी देबाक तयारी केने अछि । इ सम्मेलन १८ गतेधरि चलत ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन