Monday, August 04, 2014

सिन्धुपाल्चोकमे मृत्यु होबयबलाके सँख्या २७ पहुँचल, बेपत्तासभहक खोजतलाश तिब्र


साउन १९ गते, सिन्धुपाल्चोक, ब्रम्हानन्द ठाकुर । सिन्धुपाल्चोकके माँखा गाविसके जुरे भञ्ज्याङ स्थित सुनकोशी नदिमे भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या २७ पहुँचल अछि ।
बितल शुक्रक राति पहाड ढहिकऽ सुनकोशी नदिके पानिकऽ बहाब रुकलाक बाद ‍ओत्तय भेल घटनामे मृत्यु होवयबलाके सँख्या २७ पहुँचल ओत्तुका स्थानिय प्रशासन जनौलक अछि ।
घटनामे ८ गोट शव तत्काले शनि दिन भेटल छल तऽ बाँकी १ टा शव रबि आ १७ टा सोमिदन बरामद भेल स्थिनय डिएसपी भरत बहादुर बोहराके उदैत करैत सहकर्मी ब्रम्हानन्द ठाकुर जनौलन्हि अछि ।
बान्ह जँका नदी घेराएलाबाद बनल तलाउमे डुबिकऽ करिब २०० घर जलमग्न भेल अछि तऽ १५० सँ बेसी गोटे सम्पर्क बिहिन भेल अछि । सम्पर्क बिहिन भेलसभहक मृत्यु भेल होब सकबाक आशँका स्थनिय प्रशासन कऽ रहल अछि । बितल ३ दिनमे ओतय पानिकऽ बहाब सेहो कम भेलाक कारण स्थिनय प्रशासन आ सुरक्षाकर्मी बेपत्ता भेलसभहक खोजतलाश तिब्र बनौने अछि ।
अहिना नेपाली सेना घटनामे घाइल भेलसभके हेलिकप्टरसँ काठमाण्डौ काभ्रे आ सिन्धुपाल्चोकके चौतारा अस्पतालमे इलाजक लेल पठाबिरहल अछि तऽ मृत्यु भेलसभहक शवके पोष्टमार्टमके लेल चौतारा अस्पताल पठौने अछि । सुनकोशीके रुकावट दुर करय लेल सेना हेलिकप्टरसँ २ टा बम बिष्फोट केलाक बादो कोनो असर नहि परलाबाद अखन ओतय एक्साभेटरसभहक मदतसँ ढहल पहाडके हटाबके काज कएल जारहल अछि । बिच बिचमे पानि सेहो परिरहलाक कारण उद्धार करयमे दिक्कत भऽरहल नेपाली सेना जनौलक अछि ।
सुनकोशीमे आएल रुकावटसँ उदयपुर खोटाङ सहितक जिल्लामे सेहे बाढि आवयके खतरा बढल अछि तऽ पुर्वमे रहल कोशी नदीमे सेहो जलस्तर बढिरहल जनाओलगेल अछि । सुनकोशीके खतराके देखैत स्थानिय प्रशासन खतरा होबयसकबाक ठामसभमे उच्च सतर्कता अपनबैत घरसभ खाली कराऽ सुरक्षित स्थानसभमे जाएके लेल माइकिङ कएने बताओलगेल अछि ।
उद्धार कार्यमे नेपाली सेना, नेपाल प्रहरी, सशस्त्र प्रहरी आ स्थानियबासी जुटल अछि । एम्हर, विदेशी पर्यटकके लेवय गेल फिस्टेल एयरके विमान अवतरण करय काल पछिला पँखासँ घेउँट कटा कऽ एक ३१ बर्षक एक युवकके मृत्यु भेल अछि । मृत्यु भेलाबाद फिस्टेल एयरके चालकके प्रहरी नियन्त्रणमे लेने अछि । चालक काठमाण्डौ सिनामँगलके सुजन श्रेष्ठ रहल बताओल गेल अछि ।

तहिना सुनकोशीके ताण्डबसँ कोदारी नाका बन्द भेलासँ नेपाल चिनके तातोपानी नाका ठप्प भेल अछि । अहि नाकासँ दैनिक करौडौ राजश्व उठैत आएल छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन