Wednesday, March 09, 2011

पेशावर में बिष्फोट, 34 गोटेके मृत्यु


एजेन्सी, फागुन २५ । पाकिस्तानक शहर पेशावरमें आइ भेल एक आत्मघाती हमलामें कम स कम ३४ गोटेके मृत्यु भेल अछि त ४० स बेसी गोटे घाइल भ गेल अछि ।
पेशावर पुलिसके वरिष्ठ अधिकारी अब्दुल कलामक अनुसार स्थानीय लोक सरकारके समर्थक नेता काला ख़ान के पत्नीके नमाज़े जानाज़ा पढ़ारहल समय ई बिष्फोटन पेशावरके इलाक़ा मतनीमें भेल अछि ।
ओ कहलनि जे जखन नमाज़े जनाज़ा शुरु भेल त एक गोटे 15 स 20 साल बीचक आत्मघाती हमलावर नजदिक पहुँचक अपने आपके बमस उड़ा लेलक । अहि नमाज़े जनाज़में करीब ८० गोटे सहभागी छल ।
बिष्फोटके बाद घाइलके पेशावरके अस्पतालमें भर्ती कराओल गेल अछि आ पुलिस आ अर्धसैनिक बल इलाक़ाके घेर लेने अछि ।
ओम्हर, स्थानीय तालिबानक प्रवक्ता हमज़ा ख़ान टेलीफ़ोन कऽक अहि आत्मघाती हमलाके ज़िम्मेदारी लेलक अछि ।
ओहिस पहिनहु पेशावर आ अन्य क़बायली इलाक़ामें सरकारके समर्थक नेताके निशाना बनाओल गेल अछि ।
अहिस पहिने काल्हि सेहो पाकिस्तानमे बिष्फोट भेल छल जाहिमे २० गोटेके मृत्यु भेल छल ।

जनमुक्ति पार्टीके महाधिवेशन सुरु

काठमाडौं, फागुन २५ । जनमुक्ति पार्टीके चारिम राष्ट्रिय महाधिवेशन आइस नवलपरासीके कावासोतीमे सुरु भेल अछि । महाधिवेशनके उदघाटन पार्टी अध्यक्ष एवम् सभासद मालविर सिंह थापा कएलनि अछि ।
४ दिनधरि चलयबला महाधिवेशनस पार्टी एकल नेतृत्वस सामुहिक नेतृत्वमे जाएत । पार्टीके समावेशी बनाबय हरेक इकाई समितिमे ३३ प्रतिशत महिला राखय जका विधान संसोधन कएल जाएत पार्टीक लुम्विनी अन्चल संयोजक कर्णबहादुर सुनारी जानकारी देलनि । अहिना, पार्टी संविधान जल्दी बनाबय आ शान्ति सुरक्षाके माँग करत बताओलगेल अछि ।
महाधिवेशनमे ५६ जिल्लाके ८ सय प्रतिनिधि आ पर्यवेक्षक सहभागी अछि । महाधिवेशनमे हङकङ, जापान आ बेलायत सहितक देशस सेहो प्रतिनिधिसब सहभागी भेल पार्टी जनौलक अछि ।

एक साथ धड़कैत अछि दिल - बिज्ञान


मायके दिल ओकर गर्भमें पलिरहल भ्रूणके साथ-साथ धड़कैत अछि से ब्रिटेनके वैज्ञानिक अपन अध्ययनस दाबा कएलक अछि ।
अहि अध्ययनके परिणामके प्रयोग आब गर्भवती महिलाके इलाजमें कएल जारहल अछि ।
वैज्ञानिकके कहब अछि जे जखन गर्भवती महिला लयबद्ध ढंगस सांस लेइत अछि त माय आ ओकर भितर रहल भ्रूणके दिल एक साथ धड़कैत अछि ।
ब्रिटेनके यूनिवर्सिटी ऑफ एबरडीनके वैज्ञानिकके दावा अछि जे ओ अहि अनुसन्धानस एकटा नया प्रबिधिके खोजके रास्ता भेटैत अछि । अहि प्रबिधिके मदतस गर्भावस्थाके समय भ्रूण विकास संबंधी समस्याके पता लगाबयमे मदत भेटत ।
वैज्ञानिकके कहब अछि जे जखन धड़कन साथ-साथ नै होइत अछि त एकर मतलब अछि जे कतौक नै कतौक कोनो दिक्कत अछि आ ओहन गर्भवती मांयके डॉक्टरी सलाहके ज़रूरत परत ।
अध्ययनके परिणामके प्रयोग आब जर्मनीके ग्रोनीमेयर इंस्टीट्यूट ऑफ माइक्रो थैरेपीमें गर्भवती महिलाके इलाजमें कएल जा रहल अछि ।

गरीब आ धनीबीचक खदिहा घटाबय बेलायती सहयोग दोब्बर


नेपालगन्ज, फागुन २५ । बेलायती अन्तर्राष्ट्रिय विकास राज्यमन्त्री अलान डन्कन नेपालमे गरीब आ धनीबीचक खदिहा बडका भेलास ओईके घटाबय सहयोगके दोब्बर करय लागल बतौलनि अछि ।
आइ सहयोग घोषणा करय लागल बतबैत डन्कन कहलनि जे अहिठाम १० गुणा स्रोत बढितो गरिबी रहय सकत मुदा धनी आ गरिब बीचक खदिहा घटाबयके पहल क रहल छी ।'
बेलायत नेपालक राजनीतिमे हस्तक्षेपकारी आ साम्राज्यवादी नीति नै लेने ओ दाबी केलथि । अपनेसब विकासस राजनीति, शान्ति प्रक्रिया आ आर्थिक सहयोगमे सहयोग करय चाहने ओ बतौलथि ।
गरीबी न्यूनीकरणके कार्यक्रमसबहक प्रभावकारीता बुझय अपने ४ दिना भ्रमणके बीचमे सेहो मध्यपश्चिम आएल ओ बतौलथि । सार्वजनिक लेखा परिक्षण आ पारदर्शिता रहलास वेलायती सहयोगके कार्यक्रमसब प्रभावकारी रहल कहलनि । सुशासन, आर्थिक उन्नती, सहश्राब्दी विकास लक्ष्य आ जलवायु परिवर्तन कम करय वातावरणिय कार्यक्रममे बेलायती सहयोग दोब्बर करय लागल राज्यमन्त्री अलान बतऔलनि ।

यौन शोषण मामलामें 21 पादरी निलंबित


एजेन्सी, फागुन २५ ।
अमरीकामें बच्चाके यौन शोषण मामलामें सँका रहल 21 रोमन कैथलिक पादरीके निलंबित क देलक अछि ।
फ़िलाडेल्फ़ियामें लंबा समयस चलिरहल अहि मामलामें पहिल बेर एतेक बेसी संख्यामें पादरीके निलंबित कएलगेल अछि ।
बितल महिनामे 37 पादरी प एहन आरोप लगितो ओसब काम करहल छल । रिपोर्ट औलाक बाद चर्च अईमे स तीन गोटेके निलंबनके आदेश देने छल ।
फ़िलाडेल्फ़ियाके आर्चबिशप कार्डिनल जस्टिन रिगाली कहने छलथि जे रिपोर्ट चिंताजनक अछि आ अहि प कोनो ठोस निर्णय लेबऽ परत ।

लीबिया: विद्रोही पऽ टैंक आ तोपस हमला


एजेन्सी, फागुन २५ । अमरीकी विदेश मंत्री हिलेरी क्लिंटन लीबियाके संदर्भमें नो फ़्लाई ज़ोन प फ़ैसला अमरीकाके नहि, बल्कि संयुक्त राष्ट्रके लेबाक चाही बतौलिह अछि ।
ओ कहली जे जँ एहन फैसला लेल गेल त ओ फैसला लिबियाई नागरिककेके साथ साथ अंतरराष्ट्रीय समर्थनके सँग लेल गेल होयबाक चाही नहि कि मात्र अमरीकाके नेतृत्वमें लेल गेल फ़ैसला ।
अमरीकी विदेश मंत्री क्लिंटन कर्नल गद्दाफ़ीस शांतिपूर्ण तरीकास सत्ता छोडयके कहैत जँ नहि छोडलक त लीबियाई संकट लंबा चलत चेतावनी सेहो देलिह ।
लीबियामें कर्नल गद्दाफ़ीके समर्थन क रहल फ़ौज ज़ाविया, रास लानुफ़ आ सरकारके विरोधीके आओर अड्डा प टैंक, तोप आ लड़ाकू विमानस हमला केलक अछि ।
राजधानी त्रिपोलीस 50 किलोमीटर दूर स्थित ज़ावियामें भ रहल अहि हमलाक सम्बन्धमे संयुक्त राष्ट्रके अनुसार पछिला तीन हफ़्तास चलिरहल हिंसाके कारण लीबियामें कम स कम 1000 गोटेके मृत्यु भेल अछि आ २ लाख स बेसी पलायन भचुकल अछि ।
गद्दाफ़ी समर्थक फ़ौज 50 टैंक आ १२० बख़्तरबंद ट्रक तथा पैघ संख्यामें सैनिकके सहयोगस लगातार लिबियाई नागरिक प हमला करहल अछि । ओम्हर, रास लानुफ़में गद्दाफ़ी समर्थक फ़ौज शहर प भीषण बमबारी केलक अछि आ लड़ाकू विमान कम स कम ४ टा बम खसौलक अछि ।

दानबिर फिल्मक सोभिता

facebook Page Like

  • मनोरँजन