Thursday, October 13, 2011

प्रभू शाह दोषी नहि अछि : दाहाल


काठमाडौं, आश्विन २६ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल हिन्दू युवा संघक अध्यक्ष काशीनाथ तिवारीके हत्यामे भूमिसुधार मन्त्री प्रभू शाह दोषी नहि रहल दाबी कएलनि अछि ।

 पार्टी कार्यालय कोटेश्वर पेरिसडाँडामे आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ दाहाल हत्यामे मन्त्री शाहके संलग्नता नहि रहलासँ पार्टी हुनक बचाब करत बतौलनि । काल्हि बैसल पदाधिकारी बैसारसँ सेहो तिवारी हत्यामे शाह संलग्न नहि रहल दाबी करैत ओइके विरोध करयके निर्णय केने छल ।

दाहाल राष्ट्रियताविरोधी अभिव्यक्ति देबयबला रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारीके राजीनामा देनाइ उपयुक्त हाएत  धारणा रखलनि । दाहाल मधेसी मोर्चासँग भेल ४ बुँदे सम्झौताके समीक्षा कएल जा सकैय बतौलनि ।

दाहाल माओवादीके कात्तिक १७ गतेसँ सुरु होबयबला केन्द्रीय समितिक बैसारसँ सव विवाद मिलाबयके दाबी कएलनि । ओ ओइसँ आगुए चाबी विवाद सहितक आन्तरिक विवाद मिलाएब उल्लेख केलनि ।

 दाहाल शान्ति प्रक्रियाबारे कांग्रेस आ एमालेसँग सेहो सहमति नजदिक पहुँचल जानकारी देलनि ।

बाल अस्पताल खोलय सहयोग करय भारतसँ आग्रह


२६ आसिन, काठमाडौं । स्वास्थ्यमन्त्री राजेन्द्र महतो दु टा बाल अस्पताल खोलयमे सहयोग करय लेल भारत सरकारसँ आग्रह कएलनि अछि ।

भारतीय राजदूत जयन्त प्रसादसँग आइ भेल भेटमे मन्त्री महतो ट्रमे सेन्टर सञ्चालनके लेल समेत सहयोग करय आग्रह कएलनि । २ बर्ष आगुए निर्माण कार्य सम्पन्न होइतो विभिन्न विवादके कारण ट्रमे सेन्टर सञ्चालनमे आबय नहि सकल अछि ।

जवाफमे राजदुत जयन्तप्रसाद प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमणके क्रममे सम्झौता करयके विश्वास दियौलनि । साथे, राजदुत जयन्त प्रसाद भारत आहिसँ आगु करैत आएल सहयोगके निरन्तरता देत समेत जानकारी देलनि ।

वरिष्ठ समालोचक भट्टक अन्तिम संस्कार


२६ आसिन, काठमाडौं । वरिष्ठ समालोचक स्वर्गीय गोविन्द भट्टक आइ पशुपति आर्यघाटमे अन्तिम संस्कार कएल गेल अछि । हुनक पार्थिव शरीर पऽ प्रगतिशील लेखक सङ्घ -प्रलेस के अध्यक्ष घनश्याम ढकाल आ वरिष्ठ साहित्यकार मोदनाथ प्रश्रति संस्थाके झण्डा ओढौने छलथि ।

भट्टप्रति अन्तिम श्रद्धाञ्जलि देबय नेकपा -माले के महासचिव सिपी मैनाली सहितक नेता, प्राज्ञ, साहित्यकार आ परिवारजनसब आर्यघाट पहुँचल छलथि ।

अध्यक्ष ढकाल आ साहित्यकार प्रश्रति स्व. भट्ट माक्र्सवादी साहित्यिक चिन्तनके क्षेत्रमे पहुँचौने योगदानक चर्चा करैत हुनक निधनसँ अपुरणीय क्षति भेल उल्लेख कएलनि । अहिसँ आगु स्व. भट्टके पार्थिव शरीर राखल स्थल नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक परिसरमे पहुँच प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई सहितक शीर्ष नेतासब हुनकाप्रति श्रद्धाञ्जलि देने छलथि ।

भारतिय मोडेल पूनम पाण्डे


मोडल - रितु कौर


जलविद्युतमे लगानी करय प्रधानमन्त्रीक आग्रह


२६ आसिन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भट्टराई नेपालक जलविद्युत् क्षेत्रमे लगानी करय राष्ट्रिय तथा अन्तर्राष्ट्रिय लगानीकर्तासबके आग्रह कएलनि अछि ।

सरकार आ एसियाली विकास बैंकके संयुक्त आयोजनामे आइ सँ  सुरु भेल नेपालमे ऊर्जा लगानीकर्ता मञ्चकार्यक्रमके सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री डा भट्टराई लगानीके वातावरणके लेल सरकार तयार रहल कहैत निश्चिन्तताके साथ लगानी करय आग्रह कएलनि ।

ओ आगामी दिनमे विद्युत् उत्पादनके क्षेत्रमे सरकारी आ निजी क्षेत्रके मिल कऽ काम करय परतमे जोड देलनि ।
राजनीतिक अस्थिरताके कारण लगानीमैत्री वातावरण बनय नहि सकल लगानीकर्ताके कहबप्रति अपनो सहमत रहल बतबैत भट्टराई सरकारक प्राथमिकता शान्ति आ संविधान होइतो देशके सामाजिक, आर्थिक विकासमे सरकार लागि परल बतौलनि ।

कार्यक्रममे अर्थमन्त्री वर्षमान पुन ऊर्जा क्षेत्रके विकासमे लगानी बढाबय स्वदेशी तथा विदेशी लगानीकर्ताके आग्रह कएलनि । ऊर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी अधिक विद्युत् उत्पादन कऽ लोडसेडिङके अन्त्य केनाइ एखुनक आवश्यकता रहल कहैत ऊर्जा क्षेत्रमे होबयबला लगानीमे सुरक्षाके लेल सरकार तत्पर रहल बतौलनि ।


प्रभु साहके बर्खास्त नहि करत तऽ सदन चलय नहि देबयके कांग्रेसक चेतावनी


२६ आसिन, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेस हत्याके अभियोग लागल भूमिसुधारमन्त्री प्रभु साहके बर्खास्त करय माँग केलक अछि ।

आइ बैसल व्यवस्थापिका संसदके बैसारमे कांग्रेस हिन्दु युवा संघक अध्यक्ष काशी तिवारीके हत्याके अभियोग लागल भूमिसुधारमन्त्री साह आ राष्ट्रियता विरोधी अभिव्यक्ति देबयबला रक्षामन्त्री शरतसिँह भण्डारीके तत्काल बर्खास्त करय माँग केलक अछि ।

कांग्रेस संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल रक्षा आ भूमिसुधारमन्त्रीके तत्काल बर्खास्त नहि करत तऽ सदन चलय नहि देबयके चेतावनी देलनि । कांग्रेस सभासद रामशरण महत भूमिसुधारमन्त्री साहके तत्काल बर्खास्त कऽ अदालतमे उपस्थित कराबय माँग कएलनि । पुलिस मन्त्री साहविरुद्ध किटानी जाहेरी दऽ चुकल अवस्थामे प्रधानमन्त्रीके संरक्षणमे रहल महान्यायाधीवक्ताके निर्देशनमे सरकारी वकिलके कार्यालय साहके उन्मुक्ति देने कहैत तत्काल भूमिसुधारमन्त्री उपर मुद्धा चलाबय माँग कएलनि ।

बैसारमे माओवादी सभासद दिनानाथ शर्मा तिवारी हत्या प्रकरणमे मन्त्री साहके संलग्नता नहि रहल कहैत घटनाके राजनीतिकरण कऽ क अपराधिके उन्मुक्ति देबय खोजलगेल  दावी कएलनि । ओ अनुसन्धान पूरा बिना केनेही भूमिसुधारमन्त्री एवं पार्टी नेता साहके दोषी ठहर कऽ क सार्वजनिक रुपमे पेश केनाइ गलत रहल बतौलनि ।

माओवादीद्धारा रक्षामन्त्रीक राजीनामा माँग


२६ आसिन, काठमाडौँ । प्रमुख सत्तारुढघटक एकीकृत नेकपा माओवादी विवादस्पद अभिव्यक्ति दऽ क चर्चामे आएल रक्षामन्त्री शरतसिंह भण्डारीके राजीनामा माँग केलक अछि ।

सिंहदरबारस्थित संविधानसभा दलक कार्यलयमे आइ बैसल माओवादी संसदीय बोर्डके बैसारसँ भण्डारीके राजीनामा देबय आग्रह करयके निर्णय केलक अछि । माओवादी मुख्य सचेतक देव गुरुङ बैसारसँ मधेसक २२ जिल्ला नेपालसँ अलग होबय सकयके कहि देने अभिव्यक्तिके राष्ट्रघाती रहल कहैत निष्कर्ष निकालैत राजीनामा माँगयके निर्णय भेल जानकारी देलनि । निर्णयबारे प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके जानकारी करबैत मन्त्री भण्डारीके हटाबय ध्यानाकर्षण कराबयके सेहो बैसार निर्णय लेने गुरुङ बतौलनि । विपक्षी दलसब आ पार्टीके बैद्य पक्ष रक्षामन्त्रीके हटाबयके आवाज उठा रहल समय संसदीय बोर्ड केने अइ निर्णयसँ प्रधानमन्त्री भट्टराई उपर थप दबाब परल अछि । माओवादीक एहन निर्णयसँ सत्तासमीकरणमे सेहो  खटपट होबय सबकयके सम्भावना देखलगेल अछि ।

राजधानीमे किछ सप्ताह आगु आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत रक्षामन्त्री भण्डारी मधेसक जनताके भावना नहि बुझत तऽ ओ जिल्लाके जनता तराईके २२ जिल्ला नेपालसँ अलग होबयके निर्णय करत तऽ देशके कुन ऐन आ कानुन रोकत कहि विवादास्पद अभिव्यक्ति देने छलथि । माओवादीके वैद्य पक्ष अहिसँ आगु मन्त्री भण्डारीके पदसँ हटाबय पार्टी उपाध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके दबाब देबय सडकमे मशाल जुलुस निकाल्ने छल ।

बैसारसँ अपन केन्द्रीय सदस्य समेत रहल भूमिसुधारमन्त्री प्रभु साह उपर राजनीतिक प्रतिशोधके आधारमे हत्या अभियोग लगाओल गेल ठहर सेमत केलक अछि ।

यात्रु बसक ठक्करसँ दु गोटेके मृत्यु


२६ आसिन, दाङ । पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत दाङके सतबरिया-२ स्थित वनघुस्रीमे यात्रु बसक ठक्करसँ दु गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होबयबलामे बर्दिया गुलरियाके २५ वर्षक महेन्द्र चौधरी आ दाङ सतवरिया गाविस-३ के २४ वर्षक रामप्रसाद चौधरी रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय दाङ जनौलक अछि । सुर्खेतसँ काठमाडौँ जाऽ रहल ना ४ ख १०४५ नम्बरक यात्रु बसक ठक्करसँ चौधरीद्वयके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । ठक्कर देबयबला बस आ चालकके लमही पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि ।

सुनकोसीमे बस खस्लाबाद ४६ गोटेके मृत्यु



२६ आसिन, काठमाडौं । सिन्धुलीसँ काठमाडौं जाऽ रहल एकटा यात्रुबाहक बस सुनकोसी नदीमे खस्लाबाद कमसँ कम ४६ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

ना ३ ख ९४१२ नम्बरक ओ बसके चालक प्रेम तामाङके मात्रे सनाखत होबय सकल अछि । बसके छतसँ ११ गोटे कुदि कऽ  जान बचाबय सफल भेल स्थानीयबासी बतौलक अछि । घाइल १६ गोटेके इलाजक लेल इलाजक लेल  धुलिखेल अस्पताल पठाओलगेल अछि ।

बीपी राजमार्ग अन्तर्गत सिन्धुलीके झाँगाझोली सितलपटी ६ स्थित रिट्ठे भीरसँ भिन्सर करिब साढे १० बजे बस दुर्घटना भेल छल । अखन स्थानीयबासी आ सुरक्षाकर्मी घाइल तथा मृतकके उद्धार कऽ रहल अछि । बसमे करिब ८० गोटे सबार छल । गाडीभितर रहल सब यात्रुके मृत्यु भेल अनुमान कएलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन