Friday, September 23, 2011

चारबुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती कहल गेलमे मोर्चाक आपत्ति


६ आसिन, काठमाडौं । संयुक्त लोकतान्त्रिक मधेसी मोर्चा चारबुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती कहलगेलमे आपत्ति जनौलक अछि ।

मोर्चाक आजुक बैसारमे माओवादी आ मधेसी मोर्चाबीच भेल चारबुँदे सहमति शान्ति आ संविधानक लेल भेल कहैत राष्ट्रघाती कहल गेल प्रति आपत्ति जनौलक अछि ।

चारबुँदेके राष्ट्रघाती सहमति कहनाइ गैरजिम्मेबार आ मधेशी जनताके भावना बिपरित भेल मोर्चाक ठहर अछि ।
माओवादीक मोहन बैद्य समूह आ प्रमुख प्रतिपक्षी कांग्रेस आ एमाले चारबुँदे सहमतिके राष्ट्रघाती कहने अछि । चारबुँदेके राष्ट्रघाती कहनाइ मधेसक लेल अक्षम्य रहल कहैत मधेसी मोर्चा अहि सँ उत्पन्न होबयबला परिणामक जिम्मेबार कांग्रेस, एमाले आ बैद्य समूह हाएत  चेतावनी देलक अछि ।

बैसार ४५ दिनभितर शान्ति प्रक्रिया पूरा करयके प्रतिवद्धता अनुसार काम नहि भेलमे चिन्ता व्यक्त केलक अछि । बैसारमे सरकारक काम कारवाहीबारे समिक्षा सुरु भेल छल । अहिबारे रबिदिन मोर्चाक धारणा आओत फोरम गणतान्त्रिकके सहअयक्ष राजकिशोर यादव जानकारी देलनि ।

पैसा बिना खर्च केने भट्टराइ प्रधानमन्त्री भेलाहः पौडेल


आसिन ६ । प्रधानमन्त्रीक राजनीतिक सल्लाहकार देवेन्द्र पौडेल बिना पैसा खर्च केने बनल वर्तमान प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई शान्ति प्रकृया आ संविधान लेखनमे सफल हेताह दावी कएलनि अछि ।

क्रान्तिकारी पत्रकार संघ बागलुङ आइ आयोजना केने पत्रकार सम्मेलनमे पौडेल अहिसँ आगुके सब प्रधानमन्त्री निर्वाचनमे कोनो नहि कोनो रुपमे पैसाके प्रयोग होइत आएल दावी कएलनि । अहिबेर पैसाके खेल नहि भेलाक  कारणसँ मधेसीसब एक भेल समेत ओ दावी कएलनि अछि । प्रधानमन्त्री बनयके दाउमे देशके पैघ नेतासब पैसामे सांसद किनबेच करयके केने प्रसंग उल्लेख करैत पौडेल अहिबेर ओहन नहि भेल जिकिर कएलनि  

पार्टीमे बैद्य पक्ष मसाल जुलुससँ संस्थापक पक्ष विरुद्ध केने कार्यक्रम पार्टी हित विपरित भेलासँ केन्द्रीय समिति बैसारमे ठिक होबयके अवसरके रुपमे उठाओल जाएत पौडेलक कहब छलनि ।

रहस्यमय मृत्यु


जलेश्वर, आसिन ६   जलेश्वरके वाड न. ६ मे एक महिलाके रहस्यमय मृत्यु भेल अछि ।
      जलेश्वरनगरपालिका वाडनं. ६ साहुजीपट्टी रहनियार शत्रुधन साहके करिब ४८ वर्षक कनिया शान्तिदेवी साहके शव आइ भिन्सर अपने घरमे भेटल अछि ।
      मृतकके परिवारजन ओ विष सेवन कऽ आत्महत्या केने जनौलक अछि तऽ स्थानीयवासीसब ओकर हत्या कएल गेल जनौलक अछि ।
      जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरी थप अनुसन्धान भऽ रहल जनौलक अछि ।

प्रधानमन्त्री कार्यालयके सचिवद्धारा १३ दिनमे अनशन टुटल


जलेश्वर, आसिन ६ । भ्रष्टाचारक विरोधमे महोत्तरीमक जलेश्वरमे लगातार १३ दिनसँ आमरण अनशनमे बैसलसभके आइ प्रधानमन्त्री कार्यालयके सचिव त्रिलोचन उप्रेती जुस खुवा कऽ आमरण अनशन तोडबौलनि अछि ।
      भ्रष्टाचारक विरोधमे बनौली दनौली गाउँ विकास समितिक शारदा भुषाल झा, रामदुलारीदेवी मण्डल आ सन्त दास भादव २५ गतेसँ आमरण अनशनमे बैसल छल तऽ मंगलदिन सँ दुःखी ठाकुर बरही सेहो अनशनमे सहभागि भेल छलथि ।
      प्रधानमन्त्री कार्यालयके सचिव त्रिलोचन उप्रेती आ मन्त्रिपरिषद सचिवालयके सचिव वुद्धिवहादुर खडकाके उपस्थितिमे ६ बुँदे सहमतीके बाद ओसब आमरण अनशन त्यागके घोषणा केने छलथि । ओ अवसरमे उच्चस्तरीय छानविन समिति गठन करयके, ३० दिनभितर प्रतिवेदन सार्वजनिक कऽ दोषीके कारवाही करयके, विद्यापति डिहके उत्खननके लेल पुरातात्विक विभागसंग समन्वय करयके, सहितक सहमति पश्चात आमरण अनशन त्याग केने अछि ।
      सरकार बनौली दनौली गाउँके विकासक लेल देने अनुदान रकममे वितल ४ वर्षसँ भ्रष्टाचार होइत अएलाबादो सम्बन्धित निकाय चाँखि नहि देखौलाबाद ओ सब १७ सुत्रिय माँग रखैत जलेश्वरमे आमरण अनशन शुरु केने छल ।
      आमरण अनशनके पाँचम दिन  अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग ओ गाविसके सचिव शत्रुधन मिश्रके निलम्बन केने छल तऽ जिल्ला प्रशासन कार्यालय महोत्तरी प्रशासकिय अधिकृत नागेन्द्र चौधरीके नेतृत्वमे तिन सदस्यीय छानविन समिति गठन केने छल । मुदा अनशनकारीसब उच्चस्तरीय छानविन टोली गठन करयके आ प्रधानमन्त्री नहि आबयधरि अनशन नहि त्यागऽके जनौलाबाद अनशन लम्बियाइत गेल छल ।
      अनशनके सातम राति पुलिस जवरजस्ती अनशनमे बैसलसभके एम्बुलेन्समे राखि अञ्चल अस्पताल जनकपुर पठौने छल तऽ अनसनस्थल समेत तोडने छल । ओइके बाद दु दिन अस्पतालेमे आन्दोलनकारीसब अनशन शुरु केने छल । बादमे फेउर जलेश्वर अबितो कोनो ठाममे बैसय नहि देलापर ओसब फेउर गामेमे रहल विद्यापति पुस्तकालयमे जाऽ क अनशन जारी रखने छल ।
      अनशन त्याग करैत अनशनकारी शारदा भुषाल झा कहलिह जे इ हमरसबहक जितके शुरुवात मात्रे अछि  , जाधरि दोषीके कारवाही नहि हाएत ता धरि हमरसबहक आन्दोलन जारी रहत बतौलिह ।
      ओ अवसरमे प्रमुख जिल्ला अधिकारी शंकर अर्याल, सशस्त्रके प्रहरी उपरिक्षक जनकबहादुर बोहरा, सहित संचारकर्मी, मानवअधिकारकर्मीसबहक उपस्थिती रहल छल ।

पाकिस्तान देलक अमरीकाके चेतावनी


पाकिस्तान , आसिन ६ । पाकिस्तानक विदेश मंत्री हिना रब्बानी खर जँ सार्वजानिक रुपसँ पाकिस्तान पऽ आरोप लगबैत रहत तऽ ओ एकटा साथी गूमाओत कहैत अमेरिकाके चेतावनी देलनि अछि ।

ओ न्यूयॉर्कमें पाकिस्तानी टीवी चैनल जियो न्यूज़सँ बातचीत करैत कहलिह जे, “ अमेरिका पाकिस्तान आ पाकिस्तानी जनताके अलग-अलग करय नहि सकैय । जँ ओहन भेल तऽ एकर  ज़िम्मेदारी अमेरिकाके लेबय परत । ओ कहलिह जे पाकिस्तानके सार्वजानिक रुपसँ अपमानित काएल जाएत तऽ बर्दाश्त नहि कएल जाएत ।

संयुक्त राष्ट्रके महासभामें पाकिस्तानक नेतृत्व करय पहुँचल हिना रब्बानी खर  अमरीकाके दिससँ पाकिस्तान पर लगाओल गेल  सभ आरोपके गलत ठहरौलिह अछि ।

ज्ञातब्य जे अमरीका  पाकिस्तान सरकार पर आरोप लगौने छल जे चरमपंथी गुट हक़्क़ानी नेटवर्कसँ पाकिस्तानके सम्बन्ध अछि आ २ हफ़्ता पहिने काबुल पऽ भेल हमलाके जानकारी ओकरा छल ।

आइ दिन आ राति हाएत बराबर


जनकपुरधाम , आसिन ६ । सूर्यके तुला राशिमें प्रवेश केला  पर आइ दिन आ राति बराबर हाएत । अहिके बाद दिन छोट हाएत आ राति बड़का हाएत ।

अहिके सँग ऋतु परिवर्तनके प्रभाव सेहो देखयमे आओत । आइ होबयबला अहि खगोलीय दृश्यके जीवाजी वेधशाला तथा डोंगला स्थित डॉ. विष्णु श्रीधर वाकणकर वेधशालामें देखल जा सकैय ।

आइ 12-12 घंटाके दिन आ राति हाएत । पुष ७ गते सबसँ छोट साढ़े दस घंटाके दिन हाएत आ राति साढ़े तेरह घंटाके हाएत ।

पार्टीक विवाद सडकमे नहि ल जाए उर्जामन्त्रीक आग्रह


काठमाडौ, आश्विन ६ । ऊर्जामन्त्री पोष्टबहादुर बोगटी पार्टीभितरके विवाद सडकमे ल जाऽ क तमासा नहि देखाबय पार्टीक बरिष्ठ उपाध्यक्ष वैद्य पक्षसँ आग्रह केलनि अछि ।

नेपाल राष्ट्रिय अभिभावक सङ्घक छठम् वार्षिक साधारणसभा तथा शैक्षिक गोष्ठीके उद्घाटनके बाद सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत मन्त्री बोगटी पार्टीभितरके विवादके सहीरुपमे सञ्चालन करयमे जोड देलनि अछि ।

ओ पार्टीमे एकता, सङ्घर्ष आ रुपान्तरण होबय परतमे कोनो पक्षमे विवाद नहि रहल बतबैत पार्टीके सही रुपमे सञ्चालन करय अन्तरसङ्घर्ष आवश्यक रहल मुदा ओइके गलत तरिकासँ सञ्चालन कएल गेल कहि आपत्ति प्रकट केलनि अछि ।

 बैद्य पक्ष हालेमे राजधानीमे बृहत भेला कऽक सरकार निर्माणके क्रममे अपन पार्टी आ मधेसी मोर्चाबीच भेल सहमति राष्ट्रघाती भेल तथा देशमे सिक्किमीकरणके खतरा बढल निष्कर्ष निकाल्ने छल ।

रब्बानी के अंतिम संस्कार के लेल कडा सुरक्षा


अफ़ग़ानिस्तान , आसिन ६ । अफ़ग़ानिस्तानके  पूर्व राष्ट्रपति बुरहानुद्दीन रब्बानीके अंतिम संस्कार आइ होबय जा रहल अछि । अहिके लेल कडा सुरक्षा व्यवस्था कएल गेल अछि । बितल मंगलदिन एक आत्मघाती तालिबान हमलावर हुनकर घर प हमला कऽ हत्या केने छल ।

राष्ट्रपति हामिद करज़ई  कहलनि जे तालिबानके दिस सँ शांति प्रस्ताव लऽ कऽ आबयबला एक सुचना धारी पुलिसके धोखा दऽ कऽ हुनकर  हत्या केलक ।

ज्ञातब्य जे बुरहानुद्दीन रब्बानी अफ़ग़ानिस्तान शांति परिषदक प्रमुख छलथि आ तालिबानके सँग शांति वार्तामें हुनकर पैघ भूमिका छल ।

हत्याक छानबिन करय ६ गोटे हिरासतमे


सर्लाही , आसिन ६ ।  सर्लाहीके सिमरा गाबिसमे बितल राति गोली प्रहार कऽ एक महिलाके हत्या भेल घटनाके छानबिनक लेल पुलिस आइ ६ गोटेके  हिरासतमे राखि अनुसन्धान शुरु केलक अछि ।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय सर्लाहीके मुद्या फाँटके प्रहरी नायब निरिक्षक प्रमोद साहक अनुसार नियन्त्रणमे लेल गेल सबसँ आबश्यक अनुसन्धान भऽ रहल अछि ।

बितल राति अपन पुतौह सँग घर आबि रहल समय सिमरा ४ निवासी ६५ बर्षक सुकेश्वरी देवी नुनियाके गोली लागि मृत्यु भेल छल । हत्या के आ किया केलक बिषयमे जानकारी होबय नहि सकल पुलिस जनौलक अछि ।

शान्ति आ संविधानसँ बेसी सत्तामे दलसबहक प्राथमिकताः राष्ट्रपति


६ आसिन, काठमाण्डौँ । राष्ट्रपति डा.रामवरण यादव राजनीतिक दलसब शान्ति आ संविधानसँ बेसी सत्ताके प्राथमिकता देने कहैत चिन्ता व्यक्त कएलनि अछि ।

राष्ट्रपति भवन शीतलनिवासमे आइ द्वन्द्वपीडित पत्रकारके परिवारसबसँगक भेटमे राष्ट्रपति दलसब सत्ताके पहिल आ शान्ति  संविधानके दोसर एजेण्डामे रखलासँ जटिलता बढल बतौलनि । वर्तमान सरकार शान्ति आ संविधान निर्माणमे सक्रिय रहल कहैत सहयोग करय दलसबसँ राष्ट्रपति आग्रह कएलनि ।

शान्ति आ संविधानके जल्दि निष्कर्षमे पहुँचा कऽ देशके आर्थिक, सामाजिक आ सांस्कृतिक रुपान्तरणमे लागय परत राष्ट्रपति यादवक कहब छलनि । पीडित परिवारक सदस्यसबसँगक अन्तक्रिर्यामे ओ समयमे संधिवान बनय नहि सकत तऽ लोकतन्त्र तथा लोकतान्त्रिक आन्दोलनसँ प्राप्त राजनीतिक उपलव्धी खतरामे परय सकत कहैत चिन्ता व्यक्त कएलनि ।

आइ सँ चाउरक मोल घटत


६ आसिन, काठमाडौँ । सरकार अपन पूर्व घोषणाअनुसार आइसँ चाउरक मोलमे कटौति करय लागल अछि ।

प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई एक सप्ताह आगु घोषणा केने तत्काल राहत कार्यक्रम-२०६८ मे आसिन ६ गतेसँ चाउरक मोलमे कटौति कएल जाएत कहने  अनुसार आइ सँ उपत्यकामे चाउरक मोल घटा कऽ बेचय लागल अछि । नेपाल खाद्य संस्थान आ साल्ट ट्रेडिङ लिमिटेड वितरण करैत आएल मोट चाउरमे प्रति किलो  ५ आ मेही चाउरमे २ रुपैयाँ कम कऽ उपभोक्ताके सहुलियत दरमे चाउर उपलव्ध कराबय लागल अछि ।

ओइके लेल संस्थान नेशलन ट्रेडिङ परिसर, साल्ट ट्रेडिङ परिसर तथा भत्तपुर आ ललितपुरमे कऽ पाँच ठाममे एकीकृत सूपथ मोल दोकान सञ्चालन केने अछि । अहिना संस्थान गाडीमे खाद्य सामग्री राखि कऽ सहरके विभिन्न स्थानमे बिक्रीके लेल घुमाओत संस्थानक कायम मुकायम महाप्रवन्धक राजेन्द्र बाँस्कोटा बतौलनि ।

विकट कर्णाली अञ्चलमे चाउरक मोलमे प्रतिक्विन्टल एक हजारधरि घटाबयके व्यवस्था मिलाओल जाएत बाँस्कोटाके कहब छन्हि । दशैं आ शुकराती जेहन पावनिके समयमे काला बजारी तथा कृत्रिम अभावके कारण उपभोक्ताके राहत भैटयके उद्येश्यसँ सरकार एहन योजना लौने अछि ।

देउवा सभापतिके काम करय नहि देलकः सिंह


६ आसिन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक महामन्त्री प्रकाशमान सिंह वरिष्ठ नेता शेरवबहादर देउवा पक्ष महाधिवेशनसँ निर्वाचित सभापति सुशील कोइरालाके काम करय अवरोध पहुँचबैत आएल आरोप लगौलनि अछि ।

राजधानीके त्रिचन्द्र क्याम्पसमे आइ आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत महामन्त्री सिंह कोइराला सभापति निर्वाचित भेल एक वर्षक अवधिमे देउवाक पक्ष  सभापतिके सब प्रस्तावके असफल करयके रणनीति लेने बतौलनि । देउवा पक्ष असहयोग केने कारण भातृ संगठनसबहक विघटन कएल गेल सिंहक कहब छलनि । अधिवेशन करय असफल भेल भातृ संगठनसब म्याद खतम भेल दबाइ जका भेलाबाद विघटन कएल गेल सिंहक दाबी अछि । पार्टी विधान अनुसार म्याद खतम भेल भातृ संस्था विघटन कएल गेल तर्क करैत सिंह देउवा पक्षके ओकर विरोध करैत रहयके कोनो औचित्य नहि रहल दाबी कएलनि । विघटनके निर्णय कोनो हालतमे फिर्ता नहि हाएत सिंहक अडान अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन