Friday, September 30, 2011

बाँकेमे शिवके स्वरुप रहल बालकके जन्म


१३ आसिन, बाँके । बाँकेके उदयपुर ५ लोनियनपुरुवामे आश्चर्य चकित करयबला स्वरुप रहल एक बालकके जन्म भेल अछि ।
स्थानिय ४० वर्षक तिलुकराम लोनियाके कनिया आई भिन्सर ८ बजे  भगवान शिवके जेहन स्वरुप रहल बालकके जन्म देलिह अछि । बालकके माथमे करिब डेढफुट लम्बा केश रहल अछि त देह लाल आ भुइर रङके रहल बताओल गेल अछि । वयस्क व्यत्तिm जका देखयमे रहल ओ बालकके आँखि बन्द रहल अछि त देहके पाछुमे समेत केशसब रहल अछि । बालकके सुतादेलाक बादो बालक अपने शिव भगवानके आसनमे बैस रहल स्थानियबासी जनौलक अछि ।
आइ भिन्सर घरेमे जन्म भेल बालक शिव भगवानक अवतार रहल कहैत पुजा पाठ करयके आ देखयके लेल लोकसबहक भिड लागल अछि । बालक आ मायके स्वास्थ अवस्था ठिक रहल पारिवारिक स्रोत जनौलक अछि ।

विदा नै कहि क शान्ति आ संविधानमे केन्द्रित होबय सभामुखके सुझाव


१३ आसिन, काठमाण्डौ । सभामुख सुवास नेम्वाङ विदा नै कहि क दशैंके समयमे सेहो शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल समय देबय दलसबस आग्रह कएलनि अछि ।
संसदीय मामिला पत्रकार समाज आई राजधानीमे केने चायपानम कार्यक्रममे सभामुख नेम्वाङ समय कम भेलासँ उपलब्ध समयके बर्बाद नहि करय सुझाव देलनि । देशमे शान्ति आ संविधानके काम आगु बढाबय अपने सेहो आइपीयू सम्मेलनमे नै गेल सभामुखके कहब छलनि ।
इन्टरपार्लियामेन्ट«ीके सभा आगामी आसिन २७ गतेसँ कात्तिक ४ गतेधरि स्वीजरल्याण्डमे भरहल अछि । चायपानमे नेपाली कांग्रेसक उपसभापति रामचन्द्र पौडेल माओवादी भितरके विवादक कारण शान्ति आ संविधान निर्माणक काम पुरा होबय नै सकल आरोप लगौलनि ।

बैद्य पक्षक जमघटमे महासचिव बादल आ सचिव गजुरेल सेहो


१३ आसिन, नवलपरासी । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण पक्षधरके कार्यकर्तासबहक जमघट आई नवलपरासीके रजहरमे शुरु भेल अछि ।
जमघटमे प्रशिक्षण देबयके लेल माओवादीक महासचिव रामबहादुर थापा बादल आ सचिव सिपि गजुरेल सेहो रजहर पहुँचल छथि । एकीकृत नेकपा माओवादी नवलपरासीक इन्चार्ज बाला कृतिके अनुसार जमघटमे बादल आ गजुरेलक प्रशिक्षण देबाक कार्यत्रmम रहल अछि । जमघटमे जिल्ला भरिके वैद्य पक्षधर कार्यकर्तासबहक सहभागिता रहल अछि ।

बैदेशिक रोजगार ब्यबसाय मर्यादित बनाऊः प्रधानमन्त्री



१३ आसिन, काठमाण्डौ । प्रधानमन्त्री डा बाबुराम भटराइ बैदेशिक रोजगार ब्यबसायके ब्यबस्थित, स्वच्छ आ मर्यादित बनाबय सम्बद्ध पक्षके निर्देशन देलनि अछि ।

बैदेशिक रोजगारमे गेल नेपालीसब ठकाएके उपराग एलाबाद सम्बद्ध क्षेत्रके अधिकारीसबके आई अपने कार्यकक्ष सिँहदरबारमे बजा क प्रधानमन्त्री एहन निर्देशन देलनि अछि । ओ अवसरमे नेपालीसबहक तथ्याँक सँकलन क ठकयबला उपर कारबाही करय तथा आगुके दिनमे ओहन नहि होबय देबय समेत निर्देशन देलनि अछि ।

सिँहदरबारस्थित प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद कार्यालयमे भिन्सर भेल बिमर्शमे प्रधानमन्त्री भटराई सम्बद्ध अधिकारीसँग बिमर्शमे श्रम, परराष्ट«, गृह आ अर्थ मन्त्रालयके सचिव तथा बैदेशिक रोजगार बिभागक अधिकारी सहभागी छलथि ।

बितल सप्ताह न्युयोर्क भ्रमणसँ घुरैत काल प्रधानमन्त्री भटराइसँ रोजगारीके लेल गेल नेपालीसब कतारमे भेट क अपनेसब ठकाएल उपराग देलाबाद ओ समस्या समाधानक लेल अग्रसरता देखौलनि अछि ।

बलात्कार पिडितके नाम बतौला पर माफी


१३ आसिन, एजेन्सी । जम्मु कश्मीरके मुख्यमँत्री उमर अबदुल्लाह बलात्कार पिडित महिलाके नाम आ पता सार्वजनिक केलाबाद माफी मँगलनि अछि ।

बिधानपरिषदके सदस्य सुभाष चन्द्र गुप्ताके एक प्रश्नक जबाबमे राज्य सरकार १४ सय नाम सार्वजनिक केने छल ।  जम्मु कश्मीर सरकारक अहि फैसलाके आलोचना हौइत अबैत छल ।

आब मुख्यमन्त्री अबदुल्लाह अहिके स्वीकार केलनि अछि आ इ नहि होबयके चाही कहैत अहिके लेल ओ बिधानसभामे माफी सेहो मँगलनि अछि ।

हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई तेसर दिन


१३ आसिन , जनकपुरधाम । हिन्दुसबहक महान पावनि दशमीक आई तेसर दिन माता चन्द्रघण्टाके पुजा कएल गेल अछि ।
दशमीक काल्हि दोसर दिन माता ब्रम्हचारिणीके पुजा कएल गेल छल त आइ माता चन्द्रघण्टाके पुजा कएल गेल अछि । राक्षस महिँसासुरक नष्ट केने माता दुर्गाके दशमीक दशो दिन बिभिन्न  स्वरुपक पुजा कएल जाति अछि ।
आजुक दिन उच्चपिठ, शक्तिपिठ तथा दुर्गा मन्दिर सहित लोकसब अपन अपन घरमे सेहो माता चन्द्रघण्टाके पुजा केलनि अछि ।
दशमीमे गाम गामसँ शहरधरि बिभिन्न ठाममे माता दुर्गाक माटि क प्रतिमा बना पुजा पाठ कएल जा रहल अछि । अहि वास्ते श्रद्धालुसबहक जनकपुरक राजदेवी मन्दिर सहित नेपाल भारतक बिभिन्न दुर्गा मन्दिरसबमे बिशेष भिड देखल जा रहल अछि । 

खाना पकाबयबला ग्याँसक कालाबजारी करयबलाके कारबाही हाएत


१३ आसिन , काठमाण्डौ । खाना पकाबयबला एलपी ग्याँसक कालाबजारी शुरु क कृत्रिम अभाव सृजना कएलाबाद बाणिज्य बिभाग ओहन ग्याँस बिक्रेता तथा डिपोसब उपर कारबाही कएल जाएत जनौलक अछि ।
औसत आबश्क्तासँ बेसी ग्याँस आपुर्ति करितो ब्यापारीसब कृत्रिम अभाव सृजना केने निष्कर्ष सहित बाणिज्य बिभाग तिब्र अनुगमन सँगै कारबाहीक प्रकृया आगु बढाबयके निर्णय केने अछि । राजधानीमे १३ हजार मेट्रिक टन ग्याँसक आबश्क्ता रहितो अहिबेर साढे १५ मेट्रिक टन ग्याँस उपलब्ध करौने नेपाल आयल निगम जनौलक अछि ।
ग्याँस राखि क कृत्रिम अभाव करयबला ग्याँस डिलरके खारेज कएल जाएत निगमक प्रवक्ता मुकुन्द ढुँगेल जानकारी देलनि ।

द्धन्द्धमे मारलगेल आ बेपत्ता परिवारके थप दु दु लाख


१३ आसिन, काठमाण्डौ । सरकार सशस्त्र द्धन्द्धमे मारलगेल आ बेपत्ता भेल परिवारसबके आओर  दु दु लाख रुपैया राहत देबय लागल अछि । मुदा द्धन्द्धक क्रममे मारलगेल या बेपत्ता नेपाली सेना, सशस्त्र आ नेपाल प्रहरीके परिवारके इ राहत नहि देल जाएत ।
सरकारक प्रवक्ता एवँ परारष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठक अनुसार अहिसँ आगु  एक एक लाख रुपैया क्षतिपुर्ति पाबिलेलासँ थप दु दु लाख आ अहिसँ आगु डेढ लाख रुपैया पाबिगेलासँ पिडित परिवारके थप डेढ डेढ लाख रुपैया देबयके निर्णय मन्त्रीपरिषद बृहस्पिति दिन केने छल । तिन लाख रुपैया या ओहिसँ बेसी रकम ल लेने पिडित परिवारके इ थप राहत नहि भेटत ।
मन्त्रीपरिषदक निर्णयमे द्धन्द्धसहित बिभिन्न आन्दोलनमे मृत्यु भेल आ बेपत्ता भेल परिवारके थप राहतस्वरुप तिन ३ लाख रुपैयाँधरि क्षतिपुर्ति देबयके उल्लेख अछि ।
अहि किसिमसँ एहन करिब साढे १५ हजार परिवारके थप दु दु लाखधरि राहत देलासँ सरकारी कोषसँ ३ अरब सँ बेसी रुपैया खर्च हाएत शान्ति तथा पुननिर्माण मन्त्रालय जनौलक अछि ।

भ्रातृसस्था विघटन करयके निर्णय विरुद्ध देशभरि आन्दोलन करयके देउवा पक्षक निष्कर्ष


१३ आसिन , काठमाण्डौ । काङ्ग्रेसक नेता शेरबहादुर देउवापक्ष भ्रातृसङ्गठनके नेतृत्व भङ्ग केने विरुद्धमे देशभरि आन्दोलन करयके निर्णय केलक अछि ।
आमरण अनसनमे बैसल नेता कार्यकर्तासहित आइ देउवा निवास बुढानिलकण्ठमे भेल बिमर्शमे दसैके बाद भ्रातृसङ्गठनके नेतृत्व विघटन केने विरुद्धमे आन्दोलन करयके निस्कर्ष निकाल्ने अछि । बैसारमे नेता कार्यकर्तासब सभापति सुशील कोइराला निरङ्कुश शैलीमे चलल कहैत कडा प्रतिवाद करयके सुझाव देने छल । आन्दोलनके स्वरुपके बारेमे अहिके बादक बिमर्शसँ तय हाएत ।
बिमर्शमे काङ्ग्रेस नेता देउवा भ्रातृसङ्गठन विघटनके विषयमे अपने उठौने माँग सम्वोधन हाएत त राजीनामा फिर्ता लेबय तयार रहल बतौलनि अछि । बिमर्शक बाद नेता देउवा सहमतिके लेल अपने नरम होबय तयार रहल आ प्याकेजमे सहमति हाएत त राजीनामा फिर्ता करय तयार रहल बतैलनि अछि । भ्रातृसङ्गठनके नेतृत्व भङ्गसँगै देउवा केन्द्रीय सदस्यके पदसँ राजीनामा देलाबाद नेपाली काङ्ग्रेसमे विवाद आओर बढल  अछि । सभापति सुशील कोइराला सेहो विवाद समाधानक लेल नेतासबसँग बिमर्श केलनि अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन