Friday, September 02, 2011

सातम डिभिजनमे दोसर दिन सेहो चाबी नहि बुझाओल गेल


धनगढी, भादव १६ । कैलालीके तालवन्दस्थित माओवादी लडाकुके सातम डिभिजनके कमाण्डरसब हतियार रहल कण्टेनरके चाबी दोसर दिन आइ सेहो विशेष समितिके अनुगमन  टोलीके नहि बुझौलक अछि । 

सातम डिभिजन सचिवालयके अनुसार डिभिजन कमाण्डर सन्तु दैरे 'परवाना' अनुपस्थित भेलाक कारण दोसर दिनधरि सेहो कण्टेरनरके चाबी बुझाबय नहि सकल अछि ।

अहिबीच सातम डिभिजन कमाण्डर परवानाके अनुपस्थितिमे सहायक कमाण्डर जीवन बुढा, बटालियन कमाण्डर संघर्ष आ कम्पनी कमाण्डरसँ उपरके सव दर्जाके कमाण्डरसबहक आइ तालवन्द शिविरमे बैसार भेल छल । पुन बर्गिकरणके निर्णयके लऽ ओकरासब बीच बिमर्श भेल छल ।

नवलपरासीमे रहल माओवादी लडाकुसबहक चारिम डिभिजन हेडक्वाटरमे हतियार राखल कन्टेनरके चाबी काल्हिए अनुगमन टोलीके बुझाओल गेल अछि ।

अहिबाहेक सात मेसँ ४ लडाकु शिविरके चाबी काल्हिए राति  बुझाओल गेल अछि ।

राखेपमे अख्तियारके छापा


१६ भादव, काठमाडौं । राष्ट्रिय खेलकुद परषद अनियमित तरिकासँ नयाँ कर्मचारी भर्ना करय लागल कहैत अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग राष्ट्रिय खेलकुद परिषदमे छापा मारि कऽ कागजपत्र नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

अख्तियारके प्रतिनिधि आइ परिषद् अन्र्तर्गत कर्मचारी प्रशाशन शाखामे छापामारी कऽ १ सय ७८ कर्मचारीके वितरण करय लागल नियुक्ति पत्र सहितक अन्य कागजपत्र नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

अख्तियारक प्रवक्ता ईश्वरी पौडेल कर्मचारी भर्नामे अनियमिता भेल सुचना अएलासँ अनुसन्धानक लेल कागज नियन्त्रणमे लेल गेल बतौलनि । अख्तियार पुन भर्ति रोकय समेत निर्देशन देने अछि ।


लीबियामें लोकतंत्रके आश्वासन


लिबिया, भादव १६ ।  लीबियामें राष्ट्रीय अंतरिम परिषद (एनसीटी)  अंतरराष्ट्रीय समुदायसँ लीबियामें जे नयाँ व्यवस्था कायम हाएत ओ क़ानूनके अनुसार हाएत आ देशमें सहनशीलताके महौल हाएत बिश्वास दियौलक अछि ।

लीबिया आब  पूरा  नियंत्रणमें रहल एनसीटीके दाबा अछि ।

पेरिसमें लीबियाके राष्ट्रीय अंतरिम परिषद आ ६० देशके प्रतिनिधीके दिसस लीबियाके भविष्य पर विचार विमर्शके समय एनसीटीके प्रमुख मुस्तफा अब्दल जलील कहलनि जे अगिला 18 महीनामे देशमें नया संविधान लागू काएल जाएत आ चुनावके तैयारी शुरु हाएत ।

एम्हर फ्रांसके राष्ट्रपति निकोलस सारकोज़ी कहलनि जे गद्दाफ़ी लीबियाके सुरक्षाके लेल ख़तरा रहलासँ गद्धाफीके रहयधरि बमबारी आ हमला होइत रहत ।

लीबियाके नेता कर्नल गद्दाफ़ी अपन दुश्मनसबसँ लडैत रहयके आदेश देने अछि तऽ गद्दाफ़ी विरोधी राष्ट्रीय अंतरिम परिषद  सिर्तेमे रहल गद्दाफ़ी समर्थकके आत्मसमर्पण करय लेल  एक हप्ताहके आओर समय देने अछि ।

नियंत्रण रेखा पर गोलीबारी, तीन पाक सैनिकके मृत्यु


पाकिस्तान, भादव १६ । कश्मीरमें नियंत्रण रेखा पऽ भारतीय सेना के दिससँ चलाओल गेल गोली लागि ३ पाकिस्तानी सेनाके मृत्यु भेल पाकिस्तानी सेना दाबा कलक अछि ।

पाकिस्तानी सेना के प्रवक्ता जनरल अथर अब्बास के कहब छन्हि जे कश्मीर के केरन सेक्टर में भारतके दिससँ पहिने बिना कारण गोली चलाओल गेल अछि ।

मुदा भारतीय सेनाके प्रवक्ता जेएस बरारके कहब छन्हि जे गोलीबारीके शुरुआत पहिने पाकिस्तानी सेनाके दिससँ भेल छल आ बादमे भारतके दिससँ खाली जवाबी कार्रवाई मात्र कएल गेल अछि । जाहिमे एकटा भारतीय सेना घाहिल भेल अछि आ ओ खतरासँ बाहर अछि ।

अहिबिच गलतीस अफ़ग़ानिस्तानके सीमा पार केने ३० स बेसी  पाकिस्तानी बच्चाके चरमपंथी अपहरण केलक अछि ।
१० सँ १५ बर्षक उमेरके इ बच्चासब ईदके समयमे घूमय लेल पाकिस्तानके क़बायली इलाके बाजौड़ गेल छल ।
इ बच्चासब इदके दोसर दिन बनभोज करय गेल समय गलतीस सीमा नाँघल छल जकरबाद चरमपंथी अपहरण क लेलक अछि ।


प्रधानमन्त्री ०४७ साल बादक प्रधानमन्त्रीसबसँ भेट करताह


काठमाडौं, भादव १६ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई प्रजातन्त्र पुनःस्थापना बादके प्रधानमन्त्रीसबसँ भेट्य लागल छथि ।

भट्टराई शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण पूरा करय ०४७ साल बादके सव प्रधानमन्त्रीसँग परामर्श करताह स्वकीय सचिव विश्वदीप पाण्डे जानकारी देलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री आइ साँझ पूर्वप्रधानमन्त्री एवं एमालेक बरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपालसँग भेट केलनि अछि । नेपाल निवास कोटेश्वरमे भेल भेटमे प्रधानमन्त्री राजनीतिक संयन्त्र बनाबय बिषयमे नेपालसँग बिमर्श केने पाण्डे जानकारी देलनि ।

भट्टराई शान्ति आ संविधानमे सव दलक शीर्ष नेता आ पूर्वप्रधानमन्त्रीसबहक सुझावके आधारमे आगु बढयके योजना बनौने छथि । ओ प्रधानमन्त्री होइते कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालासँग भेट केने छलथि । ओकरबाद एमाले अध्यक्ष एवं पूर्वप्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँग सेहो ओ भेट केने छथि ।

०४७ सालमे प्रजातन्त्र पुनःस्थापना भेलाबाद भट्टराईसहित १० गोटे प्रधानमन्त्री भेल छथि ।

पत्रकार उपर आक्रमण करयबलाके बन्द करयके आदेश पुनरावेदनद्वारा सदर


विराटनगर, भादव १६ । जिल्ला अदालत मोरङ पत्रकार खिलानाथ ढकालके आक्रमण करयबलाके थुनामे राखय देने आदेशके पुनरावेदन अदालत सदर केलक अछि ।

आक्रमणकारी रोहित कोइराला आ मनोजसिंह राई जिल्ला अदालतके आदेशविरुद्व पुनरावेदन करय देने निवेदन उपर सुनुवाई करैत पुनरावेदन अदालत मोरङ आइ एहन आदेश देलक अछि ।

न्यायाधीशद्वय जनार्दनबहादुर खड्का आ रेवन्त कुँवरके संयुक्त इजलाश 'जिल्ला अदालतके आदेश ठीक रहलास किछ बदलय नहि परत' कहैत आक्रमणकारीके  थुनामे राखयके आदेश केलक अछि । जेष्ठ २२ गते पत्रकार ढकाल उपर आक्रमण भेल छल तऽ अखार २२ गते जिल्ला अदालत आक्रमणकारीके थुनामे राखयके आदेश देने छल ।

दु दिन धरि चलल बहसमे अभिवक्तासब हेमराज पन्त, विनयराज पाण्डे, प्रकाशनाथ उप्रेती, कल्याण केसी, भरत थापा, देवेन्द्र कोइराला, शान्ति मोदी, राजकुमार राजवंशी, चक्रबहादुर अधिकारी, कुमार अधिकारी, पुरुषोत्तम नेपाल, पिकम राई आ उद्धवचन्द्र घिमिरे पत्रकार ढकालके पक्षमे वकालत केने छलथि ।

पीडकके पक्षमे विपुलेन्द्र चक्रवर्ती, रामप्रसाद सिटौला, योगेन्द्र शर्मा न्यौपाने, देवीबहादुर घिमिरे, सुरेशलाल श्रेष्ठ, रमेश कोइराला, रमेश प्रसाईं सहितकसब बहस केने छल । आक्रमणके मुख्य योजनाकार कहलगेल पर्शुराम बस्नेत फरार अछि ।

निगमक महाप्रबन्धकके तत्काल नहि हटाबयके आदेश


काठमाडौ, भादव १६ । सर्वोच्च अदालत नेपाल वायुसेवा निगमक महाप्रबन्धक कुलबहादुर लिम्बुके हटाबयके सरकारक  निर्णय  तत्काल कार्यान्वयन नहि करय आइ अन्तरिम आदेश जारी केलक अछि ।

न्यायाधीशत्रय प्रेम शर्मा, बैद्यनाथ उपाध्याय आ ज्ञानेन्द्रबहादुर कार्कीके संयुक्त इजलाससँ ओ मुद्दाके अन्तिम किनारा नहि लागयधरि महाप्रबन्धक लिम्बुके हटाबयके निर्णय कार्यान्वयन नहि कराबय ओ आदेश जारी केने अछि ।

पदावधि समाप्त बिना भेनेहि पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालय अपनाके हटौने कहैत ओ बितल अखार १९ गते रिट दायर केने छल ।

अहिस आगु ओ रिटमे न्यायाधीशद्वय सुशीला कार्की आ कमलनारायण दासके संयुक्त इजलासमे राय मिलय नहि सकलाबाद ओ रिट संयुक्त इजलासमे पहुँचल अछि ।

योजना आयोगक उपाध्यक्ष आ सदस्यद्वयद्वारा राजीनामा


१६ भादव, काठमाडौं । राष्ट्रिय योजना आयोगक उपाध्यक्ष डा. दिनेशचन्द्र देवकोटा, सदस्यद्वय डा प्रेम कुँवर आ रामकुमार शर्मा राजीनामा देलनि अछि ।

उपाध्यक्ष डा देवकोटा आइ आयोगमे पत्रकार सम्मेलन कऽ सरकारके काम करय सहज परिस्थिति सिर्जना करय लेल अपने राजिनामा देने बतौलनि । अपने राजीनामा देब बिषयमे प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके जानकारी करौने ओ कहलनि ।

उपाध्यक्ष डा. देवकोटा ३१ महिने अपन कार्यकालमे देशके विकासक लेल २० वर्षे दृष्टिकोणके खाका तयार केने, बबइ डाइभर्सन, उपरका तामाकोसी, मध्यपहाडी लोकमार्ग सहितक निर्माणमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केने दाबी कएलनि ।

आयोगक सदस्यद्वय कुँवर आ शर्मा सेहो सरकारके काम करय सहज हाएत कहैत राजीनामा देलनि अछि ।

पहिल कञ्चनजङ्घा आरोही जर्जबैण्डके निधन


काठमाडौ, १६ भादव । ताप्लेजुङमे अवस्थित कञ्चनजङ्घा हिमालके पहिल आरोही जर्जबैण्डके निधन भेल अछि ।

बेलायत स्थित अपने निवासमे बैण्डके निधन भेल छन्हि । सन् १९५५ मे महिनाके २५ तारिखके दिन ८ हजार ५ सय ८६ मिटर उचाइके कञ्चनजङ्घा हिमालमे पहिल बेर मानव पैर रखने बेण्ड ताप्लेजुङ सोलुखुम्बु सहितक हिमाली क्षेत्रके बालबालिकासबके शैक्षिक विकासमे सहयोग पहुँचबैत आएल छलथि ।

२३ वर्षक उमेरमे कञ्चनजङ्घा हिमाल आरोहण केने बैण्ड ताप्लेजुङके विश्वमे चिन्हाबयके काजमे महत्वपूर्ण योगदान देने पर्यटन व्यवसायीके कहब अछि ।

नारायणी अञ्चलके यातायात बन्द फिर्ता


१६ भादव, काठमाडौं । हत्यामे संलग्नके १५ दिन भितर गिरफ्तार करयके स्थानिय प्रशासनके प्रतिवद्धताके बाद यातायात व्यवसायीसब केने अनिश्चितकालिन नारायणी अञ्चलके यातायात बन्द फिर्ता लेलक अछि ।

जिल्ला प्रशासन कार्यालय चितवनमे आइ भेल बिमर्शमे स्थानिय प्रशासन घटनाके दोषीके १५ दिन भितरमे गिरफ्तार क कानुनी कारवाही आगु बढाबयके प्रतिवद्धता जनौने अछि ।

स्थानिय प्रशासनके प्रतिवद्धताके बाद यातायात व्यवसायीसब आन्दोलन फिर्ता लेने अछि । नारायणी यातायात व्यवसायी संघ चितवन अन्तरगत पोखरा बसपार्क शाखाके इन्चार्ज सन्तोष श्रेष्ठके हत्या भेल विरोधमे व्यवसायीसब आन्दोलनके घोषणा केने छल ।

नारायणगढस्थित पोखरा बसपार्कमे बितल ८ गते अज्ञात व्यक्तिके दबिया प्रहारसँ गम्भीर घाइल भेल श्रेष्ठके काठमाडौंमे इलाजक  क्रममे मृत्यु भेल छल ।

अपराधीके उन्मुक्ति नहि देल जाएतः प्रधानमन्त्री


१६ भादव, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई राजनीतिक आवरणके नाममे अपराधीके उन्मुक्ति नहि देब बतौलनि अछि ।

माओवादी केन्द्रीय कार्यालय पेरिसडाँडामे आइ विभिन्न मानवअधिकारवादी नेतासबसँग भेल भेटमे प्रधानमन्त्री डा भट्टराई कहलनि जे-जनयुद्ध, मधेस आन्दोलन, थरुहट एवं पिछडावर्ग सहितक अन्य आन्दोलनके क्रममे लगाओलगेल झुट मुद्दाके मात्रे खारेज करयके कहलगेल अछि ।

प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई सत्यनिरुपण तथा मेलमिलाप आयोग तथा बेपत्ता छानबिनसम्बन्धी आयोग गठनक लेल आवश्यक परयबला विधेयकके अन्तिम रुप देल जाएत जानकारी देलनि । मानवअधिकार उल्लंघनकर्ता उपर कारवाही कएल जाएत कहैत ओ दण्डहीनता अन्त्य करय प्राथमिकता देल जाएत जानकारी देलनि ।

भेटमे मानवअधिकारवादी नेतासब मानवअधिकार उल्लंघन करयबलासबके मुद्दा फिर्ता नहि करय आ दण्डहीनताके अन्त्य करय माँग रखने अछि । भेटमे मानवअधिकारवादी पद्मरत्न तुलाधर, कपिल श्रेष्ठ, शर्मिला कार्की, गोपाल शिवाकोटी, शोभा गौतम सहितक सहभागी छलथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन