Friday, September 02, 2011

सातम डिभिजनमे दोसर दिन सेहो चाबी नहि बुझाओल गेल


धनगढी, भादव १६ । कैलालीके तालवन्दस्थित माओवादी लडाकुके सातम डिभिजनके कमाण्डरसब हतियार रहल कण्टेनरके चाबी दोसर दिन आइ सेहो विशेष समितिके अनुगमन  टोलीके नहि बुझौलक अछि । 

सातम डिभिजन सचिवालयके अनुसार डिभिजन कमाण्डर सन्तु दैरे 'परवाना' अनुपस्थित भेलाक कारण दोसर दिनधरि सेहो कण्टेरनरके चाबी बुझाबय नहि सकल अछि ।

अहिबीच सातम डिभिजन कमाण्डर परवानाके अनुपस्थितिमे सहायक कमाण्डर जीवन बुढा, बटालियन कमाण्डर संघर्ष आ कम्पनी कमाण्डरसँ उपरके सव दर्जाके कमाण्डरसबहक आइ तालवन्द शिविरमे बैसार भेल छल । पुन बर्गिकरणके निर्णयके लऽ ओकरासब बीच बिमर्श भेल छल ।

नवलपरासीमे रहल माओवादी लडाकुसबहक चारिम डिभिजन हेडक्वाटरमे हतियार राखल कन्टेनरके चाबी काल्हिए अनुगमन टोलीके बुझाओल गेल अछि ।

अहिबाहेक सात मेसँ ४ लडाकु शिविरके चाबी काल्हिए राति  बुझाओल गेल अछि ।

राखेपमे अख्तियारके छापा


१६ भादव, काठमाडौं । राष्ट्रिय खेलकुद परषद अनियमित तरिकासँ नयाँ कर्मचारी भर्ना करय लागल कहैत अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोग राष्ट्रिय खेलकुद परिषदमे छापा मारि कऽ कागजपत्र नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

अख्तियारके प्रतिनिधि आइ परिषद् अन्र्तर्गत कर्मचारी प्रशाशन शाखामे छापामारी कऽ १ सय ७८ कर्मचारीके वितरण करय लागल नियुक्ति पत्र सहितक अन्य कागजपत्र नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

अख्तियारक प्रवक्ता ईश्वरी पौडेल कर्मचारी भर्नामे अनियमिता भेल सुचना अएलासँ अनुसन्धानक लेल कागज नियन्त्रणमे लेल गेल बतौलनि । अख्तियार पुन भर्ति रोकय समेत निर्देशन देने अछि ।


लीबियामें लोकतंत्रके आश्वासन


लिबिया, भादव १६ ।  लीबियामें राष्ट्रीय अंतरिम परिषद (एनसीटी)  अंतरराष्ट्रीय समुदायसँ लीबियामें जे नयाँ व्यवस्था कायम हाएत ओ क़ानूनके अनुसार हाएत आ देशमें सहनशीलताके महौल हाएत बिश्वास दियौलक अछि ।

लीबिया आब  पूरा  नियंत्रणमें रहल एनसीटीके दाबा अछि ।

पेरिसमें लीबियाके राष्ट्रीय अंतरिम परिषद आ ६० देशके प्रतिनिधीके दिसस लीबियाके भविष्य पर विचार विमर्शके समय एनसीटीके प्रमुख मुस्तफा अब्दल जलील कहलनि जे अगिला 18 महीनामे देशमें नया संविधान लागू काएल जाएत आ चुनावके तैयारी शुरु हाएत ।

एम्हर फ्रांसके राष्ट्रपति निकोलस सारकोज़ी कहलनि जे गद्दाफ़ी लीबियाके सुरक्षाके लेल ख़तरा रहलासँ गद्धाफीके रहयधरि बमबारी आ हमला होइत रहत ।

लीबियाके नेता कर्नल गद्दाफ़ी अपन दुश्मनसबसँ लडैत रहयके आदेश देने अछि तऽ गद्दाफ़ी विरोधी राष्ट्रीय अंतरिम परिषद  सिर्तेमे रहल गद्दाफ़ी समर्थकके आत्मसमर्पण करय लेल  एक हप्ताहके आओर समय देने अछि ।

नियंत्रण रेखा पर गोलीबारी, तीन पाक सैनिकके मृत्यु


पाकिस्तान, भादव १६ । कश्मीरमें नियंत्रण रेखा पऽ भारतीय सेना के दिससँ चलाओल गेल गोली लागि ३ पाकिस्तानी सेनाके मृत्यु भेल पाकिस्तानी सेना दाबा कलक अछि ।

पाकिस्तानी सेना के प्रवक्ता जनरल अथर अब्बास के कहब छन्हि जे कश्मीर के केरन सेक्टर में भारतके दिससँ पहिने बिना कारण गोली चलाओल गेल अछि ।

मुदा भारतीय सेनाके प्रवक्ता जेएस बरारके कहब छन्हि जे गोलीबारीके शुरुआत पहिने पाकिस्तानी सेनाके दिससँ भेल छल आ बादमे भारतके दिससँ खाली जवाबी कार्रवाई मात्र कएल गेल अछि । जाहिमे एकटा भारतीय सेना घाहिल भेल अछि आ ओ खतरासँ बाहर अछि ।

अहिबिच गलतीस अफ़ग़ानिस्तानके सीमा पार केने ३० स बेसी  पाकिस्तानी बच्चाके चरमपंथी अपहरण केलक अछि ।
१० सँ १५ बर्षक उमेरके इ बच्चासब ईदके समयमे घूमय लेल पाकिस्तानके क़बायली इलाके बाजौड़ गेल छल ।
इ बच्चासब इदके दोसर दिन बनभोज करय गेल समय गलतीस सीमा नाँघल छल जकरबाद चरमपंथी अपहरण क लेलक अछि ।


प्रधानमन्त्री ०४७ साल बादक प्रधानमन्त्रीसबसँ भेट करताह


काठमाडौं, भादव १६ । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई प्रजातन्त्र पुनःस्थापना बादके प्रधानमन्त्रीसबसँ भेट्य लागल छथि ।

भट्टराई शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माण पूरा करय ०४७ साल बादके सव प्रधानमन्त्रीसँग परामर्श करताह स्वकीय सचिव विश्वदीप पाण्डे जानकारी देलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री आइ साँझ पूर्वप्रधानमन्त्री एवं एमालेक बरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपालसँग भेट केलनि अछि । नेपाल निवास कोटेश्वरमे भेल भेटमे प्रधानमन्त्री राजनीतिक संयन्त्र बनाबय बिषयमे नेपालसँग बिमर्श केने पाण्डे जानकारी देलनि ।

भट्टराई शान्ति आ संविधानमे सव दलक शीर्ष नेता आ पूर्वप्रधानमन्त्रीसबहक सुझावके आधारमे आगु बढयके योजना बनौने छथि । ओ प्रधानमन्त्री होइते कांग्रेस सभापति सुशील कोइरालासँग भेट केने छलथि । ओकरबाद एमाले अध्यक्ष एवं पूर्वप्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँग सेहो ओ भेट केने छथि ।

०४७ सालमे प्रजातन्त्र पुनःस्थापना भेलाबाद भट्टराईसहित १० गोटे प्रधानमन्त्री भेल छथि ।

पत्रकार उपर आक्रमण करयबलाके बन्द करयके आदेश पुनरावेदनद्वारा सदर


विराटनगर, भादव १६ । जिल्ला अदालत मोरङ पत्रकार खिलानाथ ढकालके आक्रमण करयबलाके थुनामे राखय देने आदेशके पुनरावेदन अदालत सदर केलक अछि ।

आक्रमणकारी रोहित कोइराला आ मनोजसिंह राई जिल्ला अदालतके आदेशविरुद्व पुनरावेदन करय देने निवेदन उपर सुनुवाई करैत पुनरावेदन अदालत मोरङ आइ एहन आदेश देलक अछि ।

न्यायाधीशद्वय जनार्दनबहादुर खड्का आ रेवन्त कुँवरके संयुक्त इजलाश 'जिल्ला अदालतके आदेश ठीक रहलास किछ बदलय नहि परत' कहैत आक्रमणकारीके  थुनामे राखयके आदेश केलक अछि । जेष्ठ २२ गते पत्रकार ढकाल उपर आक्रमण भेल छल तऽ अखार २२ गते जिल्ला अदालत आक्रमणकारीके थुनामे राखयके आदेश देने छल ।

दु दिन धरि चलल बहसमे अभिवक्तासब हेमराज पन्त, विनयराज पाण्डे, प्रकाशनाथ उप्रेती, कल्याण केसी, भरत थापा, देवेन्द्र कोइराला, शान्ति मोदी, राजकुमार राजवंशी, चक्रबहादुर अधिकारी, कुमार अधिकारी, पुरुषोत्तम नेपाल, पिकम राई आ उद्धवचन्द्र घिमिरे पत्रकार ढकालके पक्षमे वकालत केने छलथि ।

पीडकके पक्षमे विपुलेन्द्र चक्रवर्ती, रामप्रसाद सिटौला, योगेन्द्र शर्मा न्यौपाने, देवीबहादुर घिमिरे, सुरेशलाल श्रेष्ठ, रमेश कोइराला, रमेश प्रसाईं सहितकसब बहस केने छल । आक्रमणके मुख्य योजनाकार कहलगेल पर्शुराम बस्नेत फरार अछि ।

निगमक महाप्रबन्धकके तत्काल नहि हटाबयके आदेश


काठमाडौ, भादव १६ । सर्वोच्च अदालत नेपाल वायुसेवा निगमक महाप्रबन्धक कुलबहादुर लिम्बुके हटाबयके सरकारक  निर्णय  तत्काल कार्यान्वयन नहि करय आइ अन्तरिम आदेश जारी केलक अछि ।

न्यायाधीशत्रय प्रेम शर्मा, बैद्यनाथ उपाध्याय आ ज्ञानेन्द्रबहादुर कार्कीके संयुक्त इजलाससँ ओ मुद्दाके अन्तिम किनारा नहि लागयधरि महाप्रबन्धक लिम्बुके हटाबयके निर्णय कार्यान्वयन नहि कराबय ओ आदेश जारी केने अछि ।

पदावधि समाप्त बिना भेनेहि पर्यटन तथा नागरिक उड्डयन मन्त्रालय अपनाके हटौने कहैत ओ बितल अखार १९ गते रिट दायर केने छल ।

अहिस आगु ओ रिटमे न्यायाधीशद्वय सुशीला कार्की आ कमलनारायण दासके संयुक्त इजलासमे राय मिलय नहि सकलाबाद ओ रिट संयुक्त इजलासमे पहुँचल अछि ।

योजना आयोगक उपाध्यक्ष आ सदस्यद्वयद्वारा राजीनामा


१६ भादव, काठमाडौं । राष्ट्रिय योजना आयोगक उपाध्यक्ष डा. दिनेशचन्द्र देवकोटा, सदस्यद्वय डा प्रेम कुँवर आ रामकुमार शर्मा राजीनामा देलनि अछि ।

उपाध्यक्ष डा देवकोटा आइ आयोगमे पत्रकार सम्मेलन कऽ सरकारके काम करय सहज परिस्थिति सिर्जना करय लेल अपने राजिनामा देने बतौलनि । अपने राजीनामा देब बिषयमे प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके जानकारी करौने ओ कहलनि ।

उपाध्यक्ष डा. देवकोटा ३१ महिने अपन कार्यकालमे देशके विकासक लेल २० वर्षे दृष्टिकोणके खाका तयार केने, बबइ डाइभर्सन, उपरका तामाकोसी, मध्यपहाडी लोकमार्ग सहितक निर्माणमे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केने दाबी कएलनि ।

आयोगक सदस्यद्वय कुँवर आ शर्मा सेहो सरकारके काम करय सहज हाएत कहैत राजीनामा देलनि अछि ।

पहिल कञ्चनजङ्घा आरोही जर्जबैण्डके निधन


काठमाडौ, १६ भादव । ताप्लेजुङमे अवस्थित कञ्चनजङ्घा हिमालके पहिल आरोही जर्जबैण्डके निधन भेल अछि ।

बेलायत स्थित अपने निवासमे बैण्डके निधन भेल छन्हि । सन् १९५५ मे महिनाके २५ तारिखके दिन ८ हजार ५ सय ८६ मिटर उचाइके कञ्चनजङ्घा हिमालमे पहिल बेर मानव पैर रखने बेण्ड ताप्लेजुङ सोलुखुम्बु सहितक हिमाली क्षेत्रके बालबालिकासबके शैक्षिक विकासमे सहयोग पहुँचबैत आएल छलथि ।

२३ वर्षक उमेरमे कञ्चनजङ्घा हिमाल आरोहण केने बैण्ड ताप्लेजुङके विश्वमे चिन्हाबयके काजमे महत्वपूर्ण योगदान देने पर्यटन व्यवसायीके कहब अछि ।

नारायणी अञ्चलके यातायात बन्द फिर्ता


१६ भादव, काठमाडौं । हत्यामे संलग्नके १५ दिन भितर गिरफ्तार करयके स्थानिय प्रशासनके प्रतिवद्धताके बाद यातायात व्यवसायीसब केने अनिश्चितकालिन नारायणी अञ्चलके यातायात बन्द फिर्ता लेलक अछि ।

जिल्ला प्रशासन कार्यालय चितवनमे आइ भेल बिमर्शमे स्थानिय प्रशासन घटनाके दोषीके १५ दिन भितरमे गिरफ्तार क कानुनी कारवाही आगु बढाबयके प्रतिवद्धता जनौने अछि ।

स्थानिय प्रशासनके प्रतिवद्धताके बाद यातायात व्यवसायीसब आन्दोलन फिर्ता लेने अछि । नारायणी यातायात व्यवसायी संघ चितवन अन्तरगत पोखरा बसपार्क शाखाके इन्चार्ज सन्तोष श्रेष्ठके हत्या भेल विरोधमे व्यवसायीसब आन्दोलनके घोषणा केने छल ।

नारायणगढस्थित पोखरा बसपार्कमे बितल ८ गते अज्ञात व्यक्तिके दबिया प्रहारसँ गम्भीर घाइल भेल श्रेष्ठके काठमाडौंमे इलाजक  क्रममे मृत्यु भेल छल ।

अपराधीके उन्मुक्ति नहि देल जाएतः प्रधानमन्त्री


१६ भादव, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई राजनीतिक आवरणके नाममे अपराधीके उन्मुक्ति नहि देब बतौलनि अछि ।

माओवादी केन्द्रीय कार्यालय पेरिसडाँडामे आइ विभिन्न मानवअधिकारवादी नेतासबसँग भेल भेटमे प्रधानमन्त्री डा भट्टराई कहलनि जे-’जनयुद्ध, मधेस आन्दोलन, थरुहट एवं पिछडावर्ग सहितक अन्य आन्दोलनके क्रममे लगाओलगेल झुट मुद्दाके मात्रे खारेज करयके कहलगेल अछि ।’

प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई सत्यनिरुपण तथा मेलमिलाप आयोग तथा बेपत्ता छानबिनसम्बन्धी आयोग गठनक लेल आवश्यक परयबला विधेयकके अन्तिम रुप देल जाएत जानकारी देलनि । मानवअधिकार उल्लंघनकर्ता उपर कारवाही कएल जाएत कहैत ओ दण्डहीनता अन्त्य करय प्राथमिकता देल जाएत जानकारी देलनि ।

भेटमे मानवअधिकारवादी नेतासब मानवअधिकार उल्लंघन करयबलासबके मुद्दा फिर्ता नहि करय आ दण्डहीनताके अन्त्य करय माँग रखने अछि । भेटमे मानवअधिकारवादी पद्मरत्न तुलाधर, कपिल श्रेष्ठ, शर्मिला कार्की, गोपाल शिवाकोटी, शोभा गौतम सहितक सहभागी छलथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन