Tuesday, March 01, 2011

एसएमजी कारविन मसिन सहित एक गोटे गिरफ्तार

पोखरा, फागुन १७ । नेपाल प्रहरीके चलाबय नै आबयबला एसएमजी कारविन मसिन सहित भगौडा सशस्त्र पुलिसके एक जवान पोखरासँ गिरफ्तार भेल अछि । जिल्ला प्रहरी कार्याल कास्की आई पत्रकार सम्मेलन कऽक सशस्त्र प्रहरीबल कालिकागण माले पाटनसँ ८ महिना आगु भागल सिपाही कुवेर पुनके आइ सार्वजनिक केलक अछि ।

कास्कीके प्रहरी उपरिक्षक यादवराज खनाल एखनधरि अपनेसब अई प्रकारक एसएमजी कारविन मसिन पहिल बेर बरामद केने कहैत ओ मसिन पुलिसभ चलाबहु नै जनैत अछि बतौलनि । हुनका अनुसार ओ मेसिनसँ २९ गोली एके राउण्डमे फायर होईत अछि ।

सुर्खेत मेहलकुना गाविस-५ के २५ बर्षक पुनके काल्हि पोखराके चोर सांघुसँ गिरफ्तार केलक अछि । गिरफ्तार भेल पुनके डेरासँ एसएमजी कारविन मेसिन एक थान, नाइन एमएमके एक थान पेस्तोल, कटुवा पेस्तोल एक थान, एसएलआरके गोली एक थान आ अन्य हात हतियार पुलिस बरामद केने जनौलक अछि ।

अहिना, डेरासँ फायर नै भेल बारुद निकालयबला खोका ५४ थान, आर्मीके प्रयोग करयबला बाइनाकुलर एक थान, तरवार एक थान, सशस्त्र प्रहरी नायब निरिक्षकके दज्र्यानि (फुली) एक जोडा, सशस्त्र प्रहरी बलके परिचय पत्र ३ थान , नक्कली लाईसेन्स एक थान, लागु औषध चरेस एक किलो एक सय ४० ग्राम, मोबाईल एक थान सहितक सामानसब बरामद कएलगेल कास्कीके प्रहरी उपरिक्षक यादवराज खनाल बतौलनि अछि ।

गिरफ्तार भेल पुनके साथमे आओर गोटे संलग्न भ सकबाक पुलिसक आशंका अछि । पुन उपर ४ टा मुद्धा लगाओल जाएत कास्कीके नायव उपरिक्षक डिएसपी तुलबहादुर कार्की जानकारी देलनि ।

राज्य व्यवस्था समिति सरकारक धारणा बुझत

काठमाडौ, फागुन १७ । व्यवस्थापिका संसदके राज्य व्यवस्था समिति पछिला सरकारले तयार केने नेपाली सेनाके लोकतान्त्रिकरणके लेल विस्तृत कार्ययोजना आ राष्ट्रिय सुरक्षा नीतिबारे नयाँ सरकारक धारणा बुझय लागल अछि ।

समितिक आइ सिंहदरवारमे बैसल बैसारस सरकारक धारणा बुझयके निर्णय केलक अछि । प्रधानमन्त्रीके समितिमे बजाकऽ बिमर्श करब कि सभापति सहितक टोली भेटत से तय होबय नै सकल अछि ।

बैसारमे माओबादी सदस्यसब सरकार अन्तरिम संविधानके भावना विपरित पछिला सरकार राष्ट्रिय सहमति कायम नै क कार्य योजना लौअने कहैत अपनासभहक असहमति रहल बतौलक अछि

अहिना, माओवादी सहित नेपाली कांग्रेसक पूर्णबहादुर खड्का सहितक सभ नयाँ सरकार बनिगेल अवस्थामे पछिला सरकारक कार्ययोजनाके निरन्तरता देबय या नै देबय बिषयमे बुझय परत बतौलाबाद प्रधानमन्त्रीसँग बिमर्श करबाक सहमति भेल अछि । तत्कालिन रक्षामन्त्री विद्यादेवी भण्डारीके नेतृत्वमे रहल समितिल नेपाली सेनाके लोकतान्त्रिकरणके लेल विस्तृत कार्ययोजना आ राष्ट्रिय सुरक्षा नीतिके मस्यौदा सुझावके लेल राज्य व्यवस्था समितिमे पठौने छल ।

राजदुत सुद आ कोइरालाबीच भेटवार्ता

काठमाडौ, फागुन १७ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला आ भारतीय राजदुत राकेश सुदबीच आइ भेटवार्ता भेल अछि । कोइराला निवास महाराजगञ्जमे भेल भेटमे पछिला राजनीतिक अवस्था, शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणक बिषयमे बिमर्श भेल छल ।

भेटमे राजदुत सुद सरकार गठनमे भरहल अबेर आ ओइस शान्ति प्रक्रियामे परल असरबारे चिन्ता व्यक्त केने छलथि । जवाफमे कोइराला अपन पार्टी सरकारमे नै जाएत कहैत शान्ति आ संविधान निर्माणप्रति गम्भिर रहल बतौने श्रोत जनौलक अछि ।

लोग हमरासँ प्रेम करैत अछि : गद्दाफ़ी

लिबिया, फागुन १७ । लीबियाई नेता कर्नल गद्दाफ़ी कहलनि अछि जे 'लीबिया के लोग हमरासँ प्रेम करैत अछि आ हमरा बिरोधमे कतौक कोनो प्रदर्शन नहि भ रहल अछि ।

बीबीसी के देने एक साक्षात्कारमें ओ कहलनि जे प्रदर्शनकारी, चरमपंथी संगठन अल-क़ायदाके दिससँ देल जा रहल नशीली दवाईके जोशमें ई सब क रहल छैक ।

ओ कहलनि जे लीबियाके लेल हम वफ़ादार छी ताहीलेल ओसभ कहियो हमर विरोध नहि करत आ हम सुरक्षाबलके आदेश देने छी जे प्रदर्शनकारि प कोनो स्थितिमें गोली नै चलाएंब ।

संयुक्त राष्ट्रमें अमरीकाके राजदूत सुसान राइस गद्दाफ़ीके अहि बयान प कड़ा प्रतिक्रिया देलनि अछि ।

ओ कहलनि जे अपन नागरिकके हत्या क रहल कर्नल गद्दाफ़ीके ऐहन बयानके बादस ई लगैत अछि जे ओ ‘लीबियामें शासन करय लायक नहि रहलथि ।

अहिबीच लीबियाके मिसराता शहरमें सरकारके विरोधी आ समर्थक बीच भीषण टक्कर भेल बताओल जारहल अछि ।

सरकारमे नै जाएब तैयो समर्थन जारी रहत: वैद्य

काठमाडौ, फागुन १७ । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण अपन पार्टी सरकारमे नै जाएत तैयो समर्थन फिर्ता नै लेब बतौलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे वैद्य कहलनि जे-’सात सुत्रिय सहमति मर्म अनुसार कार्यान्वयन नै हाएत त हमसब सरकारमे नै जाएब । मुदा हमर पार्टी देने समर्थन निरन्तर रहत ।’ प्रधानमन्त्री आ माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डबीच काल्हि भेल वार्ता सकारात्मक भेल कहैत ओ ओइस माओवादीके सरकारमे सहभागी होयबाक सम्भावना बढल बतौलनि । ओ कहलनि जे-’प्रधानमन्त्री सात सुत्रिय सहमति कार्यान्वयनमे दृढता देखौलनि अछि । काल्हि बैसयबला स्थायी समितिके बैसारस ठोस निर्णय लेब।’

तत्कालके लेल गृह मन्त्रालय प्रधानमन्त्री अपने राखयके आ बादमे बातावरण सुधरलाबाद माओवादीके देबयके प्रस्ताव केने कहैत ओ गृहमन्त्रालय माओवादीके बटम लाइन नै भेल प्रष्ट कएलनि । वरिष्ठ उपाध्यक्ष वैद्य एमाले सहमति कार्यान्वयन करय अबेर केने कारण सरकारके पूर्णतामे अबेर भेल बतौलनि ।

सिँहानियाक हत्या भेल आई १ बर्ष पुरा

जनकपुर, फागुन १७ । जनकपुरक सँचारउध्यमी अरुण सिँहानियाक हत्या भेल आई १ बर्ष पुरा भेल अछि ।
१ बर्ष पहिने अजुके दिनमे होलिके मौकामे साँझ ७ बजेदिस अज्ञात समुह जनकपुरक सँचारउध्यमी सिँहानियाके होलीमे रँग लागाबयके बहानामे गोली मारि कऽ फरार भेल छल ।
हत्याराक खोजीके लेल २ टा समितीसब गठन भगेलाक बादो अखनधरि ओ समितिसब अपन काज करय नै सकल अछि ।
अहिबिच, नेपाल पत्रकार महासँघ धनुषा शाखा आई साँझमे जनकपुरक जानकी मन्दिरक प्राडगणमे सिँहानियाक स्रधान्जली सभा करऽ लागल अछि ।

गोधरा कांड: 11 के मृत्यु, 20 के उम्र क़ैद

भारत, फागुन १७, गोधरा कांडमें अहमदाबादके विशेष अदालत दोषी ठहरौने 31 गोटे मेसँ 11 गोटेके मृत्युके सज़ाय आ 20 गोटेके आजीवन कारावासक सज़ाय सुनौलक अछि ।
बचाव पक्षके वकील आईएम मुंशी अई फ़ैसलाके असाधारण मानैत कहलनि जे अहिके स्वीकार करय मुश्किल अछि ।
एम्हर, सरकारी वकील जेएम पांचल फ़ैसलाके सही बतबैत कहलनि जे अदालतके फ़ैसला हमरा स्वीकार अछि ।
विशेष अदालत 22 फ़रवरीके 94 गोटे मेस 31 गोटेके दोषी ठहरौलक आ ६३ गोटेके सबूतोंके अभावमें रिहा केलक अछि ।
अहिस पहिने विशेष अदालत गोधरा रेल कांडके साज़िश बतौने छल ।
ज्ञातब्य जे अदालत ई फ़ैसला 27 फ़रवरी 2002 के साबरमती एक्सप्रेसके एकटा डिब्बामें लगाओलगेल आगिके लेल गिरफ़्तार भेलसब उपर सजाय सुनौलक अछि ।
ओ आगिलगिमे परि ५९ गोटेके मृत्यु भेल छल । साबरमती एक्सप्रेसके एस-६ नम्बरक डिब्बामे करिब एक हज़ार गोटेके भीड़ हमला केने छल जाहिके बाद गुजरातमें भारी सांप्रदायिक दंगा सेहो भेल छल ।
राज्यके मुख्यमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो अहिके पूर्व-नियोजित घटना बतौलनि अछि ।
अहि मामलेके सुनवाई जून, 2009 में शुरू भेल छल । एकर आरोपी मेस 80 गोटे जेलमे अछि आ 14 गोटे धरौटीमे बाहर अछि । अहि सबके उपर आपराधिक षड्यंत्र आ हत्याके मामला दर्ज अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन