Sunday, February 27, 2011

प्रधानमन्त्री बेइमानीः कोइराला

विराटनगर , फागुन १५ । कांग्रेसक केन्द्रीय सदस्य सुजाता कोइराला सातबुँदे गोप्य सम्झौताके आधारमे बनल वर्तमान सरकारमे नेपाली कांग्रेस सहभागी नै हाएत बतौलिह अछि ।
विराटनगर विमानस्थलमे आइ सञ्चारकर्मीसँग सङ्क्षिप्त बातचित करैत ओ सातबुँदे सहमति खारेज हाएत तखने अपन दल सरकारमे जाएके विषयमे सोचत बतौलिह । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल राजनीतिक बेइमानी कक माओवादीसँग केने सातबुँदे सम्झौता अपवित्र अछि कहैत ओ इ दुनु पार्टीके नेता फेराफेरी सरकारक नेतृत्व करयके बात सेहो लोकतन्त्रके मर्म विपरीत भेल जिकिर केलिह ।
नेत्री कोइराला पार्टीमे अपने दाबी केने उपसभापति पद कायमै रहल स्पष्ट केलिह ।

एमाले माओवादीसँग निर्णायक वार्ता करत

१५ फागुन, काठमाडौं । नेकपा एमाले पहिलका निर्णयके यथावत रखैत माओवादीसँग निर्णायक वार्ता करय लागल अछि । संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे आइ बैसल एमाले स्थायी समितीक बैसारस सुरक्षा सम्वन्धी मन्त्रालय अपनासँग राखयके पुरान निर्णयके निरन्तरता देलक अछि।
बैसारमे पुराने निर्णयके यथावत रखैत माओवादीसँग निर्णायक वार्ता करयके निर्णय केने महासचिव इश्वर पोखरेल जानकारी देलन्हि अछि। ओ कहलन्हि जे माओवादीसँग वार्ता कऽकऽ काल्हिधरिमे मन्त्रिपरिषद् विस्तारके विषयमे निषकर्ष लगाएब ।
एमोल गृह मन्त्रालय अपनासँग राखके करैत आएल प्रस्ताव माओवादी अस्वीकार करैत आएल अछि । सातबुँदे सहमतिमे रक्षा, गृह सहितक महत्वपूर्ण मन्त्रालयके उचित आ सम्मानजनक विभाजन करबाक चाहि उल्लेख करैत माओवादी गृह अपने लेबाक अडान लेने अछि । एमाले लडाकू समायोजन तथा पुनःस्थापना नइ होबए धरि माओवादीके सुरक्षासम्वन्धी मन्त्रालय देबए नइ सकब बतबैत आबि रहल अछि।
गृह मन्त्रालयके विवादके कारण एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल प्रधानमन्त्रीमे निर्वातिच भेला एक महिना बितलाबादो मन्त्रि परिषद् विस्तार होवए नइ सकल अछि। एमाले स्थायी समिति बैसारमे कार्यकर्ता संरक्षणके लेल कोष स्थापना करके निर्णय सेहो केलक अछि।

वंशजके आधारमे मायके नामस नागरिकता देबय सर्वोच्चके परमादेश

काठमाडौं, फागुन १५ । सर्वोच्च अदालत दोलखाके सविना दमाईके वंशजके आधारमे मायके नामसँ नागरिकता देबऽ जिल्ला प्रशासन कार्यालय दोलखाके नाममे परमादेश जारी केलक अछि।
न्यायाधीश बलराम केसी आ भरतराज उप्रेतीके संयुक्त इजलाससँ पितृत्व नइ खुलल सविनाके माय गंगा दमाईके नामसँ वंशजके आधारमे नागरिकता देबए आदेश देलक अछि।
‘नेपालमे जन्म रहल मुदा पितृत्व मातृत्व पता नइ रहलके वंशजके आधारमे नागरिकता देबाक सवैधानिक व्यवस्था अछि सर्वोच्चके सहप्रवत्ता मेहन्त रावल कहलन्हि ।
नेपालके नागरिकता ऐन २०६३ के दफा तीनके उपदफा तीनमे ‘नेपाल सिमा भितर भेटल पितृत्व मातृत्व पता नइ रहल प्रत्येक नावलक ओकर बावु आ मायके पत्ता नइ लागएधरि वंशजके नातासँ नेपालके नागरिक मानल जाएत ।
जिल्ला प्रशासन कार्यालय दोलखा वंशजके अधारमे मायके नाममे नागरिकता नइ देने कहैत सविना हालेमे सर्वोच्चमे रिट दायर केने छलिह।

६ थान भरुवा बन्दुक बरामद

उदयपुर, फागुन १५ । पुलिसक गस्ती टोली उदयपुरके रामपुर ठोक्सिला — १ सिसौली ज‌गलसँ आइ लोड काएलगेल अवस्थामे ६ थान भरुवा बन्दुक बरामद कएलक अछि ।
सशस्त्र प्रहरीबल सुरक्षा बेस क्याम्प रामपुर ठोक्सिलाके प्रहरी सहायक निरीक्षक कृष्णप्रसाद पौड्यालके नेतृत्वमे गेल गस्ती टोली २ सय ग्राम बारुद आ दुईसय ५० ग्राम छर्रा बरामद केने प्रहरी नायव उपरीक्षक मनोज यादव बतओलन्हि अछि ।
हतियार आ बिष्फोटक पदार्थ जंगलमे नुका कऽ रखने अवस्थामे भेटल पुलिस जनओलक अछि।

देशभरिके उद्योगके ब्यारेक बनाबयके प्रचण्डक चेतावनी

काठमाडौं, फागुन १५ । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड देशभरिके उद्योग कलकारखाना आ होटलसबके ब्यारेकमे परिणत करबाक चेतावनी देलनि अछि ।
सम्पूर्ण शक्ति आ सामर्थ्यके सँग जनविद्रोहके अन्तिम तयारी करय मजदुर कार्यकर्ताके निर्देशन दैत प्रचण्ड देशभरिके उद्योग कलकारखाना आ होटलसबके ब्यारेकमे परिणत करबाक चेतावनी देलनि ।
आइ ललितपुरमे अखिल नेपाल ट्रेड युनियन महासंघ स्वयम सेवक विभाग अन्तर्गत मजदुर स्वयंम सेवक दलके राष्ट्रिय भेलाके सम्बोधन करैत अध्यक्ष प्रचण्ड शान्ति आ संविधान निर्माण तथा परिवर्तनके प्रवाहके रोकय चाहत त माओवादी विद्रोह करत बतौलनि ।
माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड मजदुरके हातमे सत्ता नै आबयधरि पार्टी आ शहिदसबहक लक्ष्य पूरा होबय नै सकत सेहो बतौलनि ।

सोनक दाम फेउर बढल

काठमाडौ, फागुन १५ । सोनक मोलमे फेउरसँ वृद्धि भेल अछि । फागुनके सुरुमे दु महिना एम्हरके न्यून बिन्दुमे पहुँचल सोनके मोल अई सप्ताहमे ४० हजार रुपैयाँस उपर पहुँचल अछि ।
'अहि सप्ताहक अन्तमे स्थानीय बजारमे प्रतितोला सोनक मूल्य ४० हजार २ सय रुपैयाँ पहुँचल अछि ।,' सुनचाँदी व्यवसायी संघक अध्यक्ष तेजरत्न शाक्य कहलनि जे, 'किछ सप्ताह आगुधरि तोलामे ३८ हजार रुपैयाँके हाराहारीमे रहल सोनके मोल फेउर बढल अछि ।'
संघक अनुसार सप्ताहक पहिल दिनक तुलनामे अन्तिम दिन बहुमूल्य सोनक मूल्य तोलामे ६ सय रुपैयाँ बढल । स्थानीय बजारमे सप्ताहके पहिल दिन रबिदिन प्रतितोला सोन ३९ हजार ६ सय रुपैयाँ मात्रे छल ।

सोनियाक फोटोसब १

सोनियाक फोटोसब

डिजलक आभावमे रेल सेवा बन्द

जनकपुर , फागुन १५ । डिजलक अभाबमे देशक एक मात्र रेल जनकपुर- जयनगर रेल सेबा बन्द भेल अछि।
रेल सेबा बन्द भेलास मध्य तथा पुर्बि धनुषा बासिसभ दु:ख भोगए बाध्य भेल अछि । २ सप्ताह एम्हरसँ रेल सेबा तेसर बेर बन्द भेल अछि। ४ महिनासँ तलब , भत्ता नई पौअने रेलक कर्मचारीसभ फागुनके पहिल सप्ताहमे ४ दिन रेल सेबा बन्द भेल छल तऽ एखन डिजल अभाबक कारणे रेल सेबा बन्द भेल अछि।
रेलके दैनिक आम्दानि बैंकमे जम्मा होइत अएलाक बादो चेक काटयलेल आधिकारिक व्यक्ति नइ रहलासँ डिजलके आभाव भेल अछि। तहिना निमित्त महाप्रवन्धक तथा लेखाअधिकृत रामेश्वर यादव विदामे छथि। रेलकर्मी नन्दकुमार रायक अनुसार -विभिन्न आयल स्टोर्ससँ उधारे लेने डिजलके दश लाख भुक्तानी देबाक बाँकी रहल अछि। पछिला बेर बजरंग आयलसँ लेने डिजल वापत १ लाख ३० हजार सेहो उधारे अछि । आब कोनो आयल स्टोर्स उधार देबए नइ मानलाक कारण रेल सेवा बन्द करए परल ओ बतओलन्हि अछि।
एहिविच, बिना सूचना देने रेल सेवा बन्द केलासँ आम जनता आक्रोशित बनल अछि।

बालक अपहरणके बाद आन्दोलन स्थगित

राजविराज, फागुन १५ । विद्यार्थी अपहरणके विषयके ल क भेल अनिश्चितकालीन शिक्षण संस्था बन्द कार्यक्रम आइ फिर्ता लेल गेल अछि । आइ सम्पन्न सर्वपक्षीय भेलामे प्रमुख जिल्ला अधिकारी कैलाशनाथ खरेलक आग्रहमे ६ दिनके लेल आन्दोलन स्थगित कएलगेल आन्दोलन समितिक संयोजक कुमार पाठक बतौलनि ।
एक सप्ताह आगु राजविराज-१ स्थित गौतम शिशु सदनस घर घुरबाक क्रममे नर्सरी कक्षामे अध्ययनरत ६ वर्षक आयुष साह अपहरणमे परलाबाद शिक्षण संस्था ठप्प क शिक्षक, विद्यार्थीसब आन्दोलनमे उतरल छल ।
फागुन २० गतेभितर सेहो अपहरित बालक सकुशल मुक्त नै हाएत त फागुन २१ गतेस नयाँ चरणक आन्दोलन घोषणा कएल जाएत शिक्षक सङ्घ, सङ्गठन संयुक्त प्रेस विज्ञप्ति मार्फत जानकारी देलक अछि ।

सदभावना पार्टीके कार्यकर्ता अपहरित

महोत्तरीके सोनमा गाविसस सदभावना पार्टीक एक कार्यकर्ता अपहरणमे परल अछि । सोनमा गाविस ३ के ३५ वर्षक फकिर अन्सारीके नकावधारी अज्ञात समूह आइ भिन्सर अपहरण केलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन