Wednesday, March 30, 2011

काभ्रेके पत्रकारसभद्धारा राज्यसँग सुरक्षाके माँग


काभ्रे, चैत १६ । देशमे कायम रहल संक्रमकालीन अवस्थास पत्रकारसभ दिनप्रतिदिन असुरक्षित होइत गेल कहैत काभ्रेके पत्रकारसभ राज्यसँग सुरक्षाक माँग केलक अछि ।
 आइ नेपाल पत्रकार महासंघ अपन स्थापना कालके ५६ हम् वर्ष पार केने अवसरमे बनेपामे आयोजना कएलगेल प्रभातफेरी कार्यक्रममे सहभागि पत्रकारसब सुरक्षाक माँग केलनि अछि । भिन्सर ८ बजे बनेपाके चार दोवाटोस सुरु भेल र्याली नगरक विभिन्न भागके परिक्रममा क कोण सभामे परिणत भेल छल ।

पुलिस दमनके विरोधमे टिकापुर बन्द


टिकापुर, चैत १६ । भारतीय राजदुत राकेश सुदके कारी झन्डा देखाबयके क्रममे भेल झडपमे पुलिस दमन केने कहैत एकिकृत नेकपा माओवादी आइ टीकापुर बन्द करौलक अछि ।
 शान्तिपूर्ण विरोध प्रर्दशनमे पुलिस अपन कार्यकर्ता उपर लाठी चार्ज क करिव १२ गोटे स बेसीके घाईल बनौने आ गिरफतार केने कहैत आइ कैलालीके टीकापुर क्षेत्र बन्द केने अछि ।
बन्दक कारण आइ टीकापुरसँ चलयबला लम्बा  तथा छोट दुरीके कोनो सवारी साधन चलय नहि सकल अछि त वजार, कलकारखाना समेत ठप्प रहल अछि ।
थारु उत्थान मँच टीकापुरके आयोजनामे भेल सांस्कृतिक कार्यक्रममे प्रमुख अतिथि बनाओलगेल राकेश सुदके शान्तिपूर्ण विरोध प्रदर्शनमे सशस्त्र प्रहरी बल उग्रतारा गणके सशस्त्र प्रहरी उपरिक्षक हरिशचन्द्र अधिकारीके निर्देशनमे अनावस्यक दमन क एकीकृत माओवादीके विल्ला इन्चार्ज हरि ज्ञवाली अखण्ड सहित १५ गोटेके घाइल बनाबयबला पुलिसके कारवाहीके माँग करैत सुदके प्रमुख अतिथि बना दमन कराबयके कार्यमे संलग्न रेशमलाल चौधरीके सार्वजनिक माफी मँगैत घाइलके इलाज क्षतिपूर्ति देबय एकीकृत माओवादी विज्ञप्ती मार्फत जनौलक अछि ।
 एम्हर चलिरहल एसएलसी परिक्षाके कोनो  अवरोध नहि पहुँचौने माओवादी जनौलक अछि ।  

काठमाण्डु विश्वविद्यालयमे गोली चलल, ५ गोटे घाइल


काठमाण्डौ, चैत १६ । काँग्रेस निकट नेपाल विद्यार्थी संघ काभ्रेके धुलिखेलमे रहल काठमाण्डौ विश्वविद्यालय तोडफोड करय चाहला पर स्थिति नियन्त्रणमे लेबय बितल राति पुलिस एक राउण्ड गोली चलौलक अछि ।
 विद्यार्थीसँगके झडपके क्रममे २ गोटे विद्यार्थी आ ३ गोटे  प्रहरी जवान सामान्य घाइल भेल अछि । नेविसंघक विद्यार्थी संजय शाहक नेतृत्वमे रहल एक समूह विज्ञाप्ति साटय कहैत केयु भितर प्रवेश क भवनसभमे इटा , पाथर बर्षाबय लगलाबाद पुलिस अश्रुग्यास आ गोली चलौने प्रत्यक्षदर्शीसभ बतौलक अछि ।
 विद्यार्थीके लक्षित कऽक गोली नहि चलौने आ काठमाण्डौस  लाओलगेल भाडे युवासभ आक्रोसित होइत टेबुल कुर्सी जराबयके सँगहि मूलगेट तोडफोड कऽक सुरक्षामे खटल पुलिस उपर समेत आक्रमण करय लगलाबाद बाध्य भऽक अश्रुग्यास प्रहार कएलगेल काभ्रेके प्रहरी निरीक्षक महेशजंग कार्की जानकारी देलनि ।

अमेरीकी राजदुत प्रधानमन्त्री सँ भेटताह


काठमाण्डौ, चैत १६ । नेपालक लेल अमेरीकी राजदुत स्टक एच डेलिसी आइ प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालसँग भेटवार्ता करय लागल छथि  
प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे होबयबला भेटवार्तामे नेपालक शान्ति आ संविधान प्रकि्रयाक विषयमे बिमर्श हाएत । अहिना, नेपालक लेल अमेरीका करय सकयके  सहयोग आ समर्थनके विषयमे सेहो बिमर्श हाएत प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि । भेटवार्ता दुपहर साढे १२ बजे हाएत ।

लेबनानमे नेपाली महिलाके हत्या


काठमाण्डौ, चैत १६ । घरेलु कामदारके रुपमे लेबनानमे कार्यरत एक नेपाली महिलाके हत्या भेल अछि । दमक झापाके २२ बर्षक गीता श्रेष्ठके एक सिरियाली नागरिक हत्या केने  बताओलगेल अछि ।
अपनासभवीच शारिरिक सम्बन्ध रहल आ गीता गर्भवती भेल बतौलाक बाद हत्या केने ओ सिरियाली नागरिक बतौलक अछि ।
गर्दनमे डोरी लागल  अबस्थामे श्रेष्ठक शव रबिदिन साँझ ओ काज करयबला घरमे भेटल छल । लेबनानस्थित अबैतनिक दूतावासमे स्वयसेवकके रुपमे कार्यरत दीपेन्द्र उप्रेती कहलनि जे-हमरासभके चित्त नहि बुझला पर थप अनुसन्धानक लेल अडान लेलाबाद हत्याक पुष्टी भेल ।
पुलिसक पुछताछक क्रममे गीता आ एक सिरियाली नागरिकवीच सम्बन्ध रहल जानकारी पौलाबाद ओकर खोजी कएलगेल छल । सोमके साँझ गिरफ्तार भेल ओ हत्या केने  स्वीकारलक अछि ।
लेबनानमे हजारौं नेपाली महिला घरेलु कामदारके रुपमे कार्यरत अछि । महिलाके लेल सुरक्षाके प्रत्याभूति नहि भेल कहैत सरकार ओहिठम कामदार पठाबय  रोक लगौने अछि ।

संसद आ मन्त्रिपरिषदक बैसार बेरियामे बैसत


काठमाण्डौ, चैत १६ । ब्यावस्थापिका संसदक बैसार  आइ बैसय जा रहल अछि ।
बेरियाके ३ बजे संसद तथा संविधानसभा भवन नयाँ बानेश्वरमे बैसय लागल बैसारमे सरकार प्रस्तुत करयबला विधेयकके विषयमे बिमर्श हाएत । अहिना, दलक सभासदसभके विषेश समयमे बाजयके कार्यक्रम रहल अछि । नेपाली कांग्रेसक अर्थसचिव रामेश्वर खनाल देने राजीनामाक विषयमे बात उठाओल जाएत  बताओलगेल अछि । कांग्रेसक प्रमुख सचेतक लक्षण अर्याल मन्त्रीके दवावमे काम करयबला इमान्दार सचिवके राजनीनामा देनाइ दुःखदायी भेल कहैत कांग्रेस संसदमे बात  उठाएब बतौलनि । 
अहिबिच, आइ बैसयबला मन्त्रिपरिषदक बैसारमे सेहो अर्थसचिवके राजीनामाक विषयमे बिमर्श हाएत । साँझ पाँच बजे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषदक कार्यालयमे बजाओलगेल  बैसारमे अर्थमन्त्रीके राजीनामा सहित विभिन्न मन्त्रालयके एजेण्डामे बिमर्श हाएत पर्यटनमन्त्री खड्ग विश्वकर्मा जानकारी देलनि अछि ।

एक गोटेके घरमे आगि लगा कऽ ७ गोटेके हत्या


डोटी, चैत १६ । बितल राति डोटिके नाना किटारासोर गाविसमे रामवहादुर वोहोराके घरमे एक गोटे आगि लगा देला पर  एके परिवारक ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
 मृत्यु होबयबलामे नेत्र वोहोरा, विमल वोहोरा, तुलसा वोहोरा ,जवन वोहोरा, काँसिराम वोहोरा, पुरन सिह वोहोरा आ टोप वहादुर वोहोरा रहल अछि । बितल साँझ ५ वाजि कऽ २५ मिनेटमे आगि लगादेने स्थानिय धनवहादुर वोहोरा जानकारी देलनि अछि ।
 जिल्ला प्रहरी कार्यालय डोटीके अनुसार पुलिसके  घटनास्थल पर पहुँचय ३ दिन लागत ।

अर्थमन्त्रीके दबाब सँ सचिवद्वारा राजीनामा


काठमाडौ, चैत १६ ।  नक्कली भ्याट बिल छानबिन, पूरक बजेट आ कर्मचारी सरुवाक विषयमे अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारीके 'अनुचित दबाब'के बाद अर्थसचिव रामेश्वर खनाल  राजीनामा देलनि अछि ।
ओ प्रशासन संयन्त्रमे क्षमतावान आ स्वच्छ छविमे गनल जाति छलथि । ओ मन्त्रीके गलत कदमविरुद्ध अडान राखय सकयके छवि बनौने छलथि ।
 खनाल मोल अभिवृद्धि कर (भ्याट) के नक्कली बिल प्रकरण अनुसन्धान आ ऊर्जा संकट समाधानक उपाय खोजय नेतृत्वदायी भूमिका निर्वाह केने छलथि । मुदा उपप्रधान तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारीसँग याह मुद्दामे गम्भीर नीतिगत असहमति भेलाबाद राजीनामा देने अर्थसम्बद्ध स्रोत जनौलक अछि ।
 स्रोतक अनुसार अर्थमन्त्री अधिकारीसँग मुख्यतया ५ विषयमे गम्भीर मतभेद भेलाबाद खनाल राजीनामा देने मनस्थितिमे पहुँचल छलथि । नकली बिल छानबिनके क्रमके गति कम करयके सँगहि दोषी देखलगेल कम्पनीके सहुलियत देबयमे अर्थमन्त्रीसँग हुनकर मतभेद भेल छलनि ।  

पत्रकार महासंघक ५६ अम् स्थापना दिवस मनाओल जा रहल


काठमाण्डौ, चैत १६ । नेपाल पत्रकार महासंघ आइ अफन ५६ अम् स्थापाना दिवस विभिन्न कार्यक्रम क  मनाबि रहल अछि ।
 नेपालमे लोकतन्त्रके स्थापना, नागरिक स्वतन्त्रता तथा अभिब्यक्ति स्वतन्त्रताबारे लबिङ करैत आएल अपन स्थापना दिवसमे प्रभातफेरी, गोष्ठि, सेमिनार सहितक  कार्यक्रम क रहल अछि ।
अहि बर्षक पत्रकार महासंघ स्थापना दिवसक नारा शान्ती, सहमति आ संविधान, नेपाल पत्रकार महासंघक अभियान रहल अछि ।
अक्रममे महासंघ आइ भिन्सर काठमाडौँमे प्रभातफेरीके आयोजना केलक अछि । अहिना,  महासंघ नेपाल पत्रकार महासंघक संस्थापक सभापति कृष्णप्रसाद भट्टराईके नाममे स्थापित पुरस्कार पत्रकार किशोर नेपालके प्रदान करय लागल अछि । महासंघ बेरियाके ३ बजे नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानमे पुरस्कार वितरण तथा चायापान कार्यक्रमक आयोजना केने अछि ।

सरकारक मूल्यांकन/विस्फोट शृंखलामे राजनीतिक संरक्षण


काठमाडौ, चैत १६ । सरकार तराईमे भ रहल शृंखलाबद्घ विस्फोटके घटना आपराधिक समूह स मात्रे नहि भऽ राजनीतिक संरक्षणमे नियोजित रूपमे समेत भ रहल मूल्यांकन केलक अछि ।
इ गतिविधि नियन्त्रणके लेल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सुरक्षा निकायसभके विशेष अभियान सञ्चालन करय निर्देशन देलक अछि ।
ओ उच्च सतर्कता अपनाबय निर्देशन दैंत आवश्यक परत त सुरक्षासम्बन्धी नयाँ योजना आ रणनीति तय करय सुरक्षा प्रमुखसभके कहलनि अछि । ओ प्रहरी महानिरीक्षक रमेशचन्द ठकुरीसंग घटनासभहक बिषयमे थप जानकारी लैंत आवश्यक परत त सुरक्षासम्बन्धी थप योजना समेत लागु करय  निर्देशन देलनि अछि । ओ बितल शनिदिन सेहो तीनु सुरक्षा निकायमे प्रमुखसभसंग बैसार क घटनाक बिषयमे बिमर्श केने छलथि ।
तराईके विभिन्न जिल्लामे एक सप्ताह एम्हर शृंखलाबद्घ रूपमे बम विस्फोटके घटना भरहल अछि । बितल शुक्रदिन रौतहटमे, शनिदिन नेपालगन्जमे एक बसमे आ अन्य सात ठाममे विस्फोट भेल छल । रबिदिन बुटवलमे यात्रुवाहक माइक्रोबसमे विस्फोट भेल छल त काल्हि विराटनगरमे प्रहरी कार्यालय लग प्रेसर कुकर बम भेटल छल । एक सप्ताह एम्हर विस्फोटसभमे परि ४५ गोटे  घाइल भ चुकल अछि त एक गोटेके मृत्यु समेत भ गेल अछि ।
प्रधानमन्त्री खनाल तराईके शृंखलाबद्घ घटनासभहक बिषयमे प्रमुख सत्ता साझेदार दल माओवादीसँग सेहो बिमर्श केलनि अछि । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सहितक नेतासभसंग बालुवाटारमे भेल बिमर्शमे घटनासभहक समीक्षा भेल छल । दुनु दलक नेतासभ घटनासभ नियोजित रूपमे भ रहल उल्लेख करैत स्थिति सुधारय विशेष सुरक्षा सक्रियता बढाबय परत निष्कर्ष निकाल्ने छलथि ।

बैद्य समूह उपसमितिक म्याद नहि थपयके पक्षमे


काठमाडौं, चैत १६ । एकीकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण पक्ष भावी संविधानक विवादित विषयसभमे सहमति खोजय संवैधानिक समिति गठन केने उपसमितिमे म्याद नहि थपयके पक्षमे छथि ।
उपसमितिक  बैसल बैसारमे बैद्य पक्षक नेता देव गुरुङ आब उपसमितिके म्याद थपैत रहय नहि परत बतौलनि ।
जनविद्रोहके लाइन लेने बैद्य पक्ष एखुनक प्रक्रिया स संविधान बनय नहि सकत पुष्टि करयके आ पार्टी स जानविद्रोहके निर्णय कराबयके रणनीति लेने बताओलगेल अछि ।
अहिस आगु माओवादी अध्यक्ष प्रचण्डक संयोजकत्वमे बनल उच्चस्तरिय कार्यदल विवादित विषयसभमे सहमति क रहल समय बैद्य पक्षके दबावमे माओवदी म्याद नहि थपयके पक्षमे ठार भेल छल । माओवादीए म्याद थपयके विपक्षमे ठार भेला बाद प्रभावकारी काम करितो उच्चस्तरिय कार्यदल विघटन कएलगेल छल ।
उपसमितिके पछिला बेर थपल म्याद काल्हिए समाप्त भेल अछि । फेउर म्याद थपल जाए कि नहि बिषयमे  संवैधानिक समितिके आजुक बैसारस निर्णय कएल जाएत ।

अध्यक्षक नेतृत्वमे फोरम सरकारमे जाएत


काठमाडौं, चैत १६ । मधेसी जनअधिकार फोरम अध्यक्ष उपेन्द्र यादवक नेतृत्वमे सरकारमे सहभागी होबयबला अछि ।
पार्टी कार्यालय बालकुमारीमे  बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारस कम्तीमे ४ टा मन्त्रालय भेटत त अध्यक्षक नेतृत्वमे सरकारमे सहभागी होबयके  निर्णय केने प्रवत्ता रत्नेश्वरलाल कायश्थ जानकारी देलनि ।
बैसारस मन्त्रीसभ चयन करय संसदीय दल देने सुझाबके मापदण्डक आधारमे सरकारके पठाबयके मन्त्रीसभहक चयन करयके अधिकार अध्यक्ष यादवेके देलगेल अछि ।
माओवादी आ एमालेसँग भेल ४ सुत्रिय सहमतिके बाद फोरम सरकारमे जाएके तयारीमे अछि । मुदा मन्त्रालय बाँटफाँटमे सहमति होबय नहि सकल अछि । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल फोरमके उपप्रधान तथा परराष्ट्र सहितक ३ मन्त्रालयके प्रस्ताव करैत आएल छथि ।

भारत पाक सेमीफाइनल आ बर्षा





facebook Page Like

  • मनोरँजन