Sunday, July 24, 2011

चीन में ट्रेन दुर्घटना, 35 गोटेके मृत्यु


८ साउन, एजेन्सी । पूर्वी चीनमें २ टा ट्रेनबिच एक आपसमे भेल टक्करमें कम स कम 35 गोटेके मृत्यु भेल अछि त २०० सँ बेसी गोटे घाइल भ गेल अछि ।

चिनके हांगजू़ आ वेनज़ू के बीच इ घटना भेल चिनके सँचार माध्मसब जनौलक अछि ।

एकटा ट्रेन पर ठनका खसलासँ ओ ट्रेन रुकल छल आ पाछुसँ वायह समय आएल दोसर  ट्रेन ठक्कर मारने बताओल जा रहल अछि ।

इ टक्कर एक पुल पर भेल छल जाहिके बाद ट्रेनके २ टा डिब्बा नदीमें खसल अछि ।

राहत कार्य चलि रहल अछि मुदा अखनधरि इ पता नहि चलल अछि जे घटनाके समय दुनु ट्रेनमें कतेक लोग छल ।

सरकार मुकेशके जिवित सहिद मानलक अछि


काभ्रे, श्रावण ८ । जनआन्दोलन-२ के घाइल मुकेश कायस्थके जिवित सहिद घोषणा करयके हुनक परिवार सरकारसमक्ष अपन माँग राखिरहल समय प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल हुनका सरकार जिवित सहिद मानने बतौलनि अछि ।

 मुकेशके स्वास्थ्य अवस्था बुझयलेल आइ भिन्सर हुकर घर पहुँचल खनाल मुकेश जिवित सहिद आ आन्दोलनके प्रेरणाके स्रोत रहल बतबैत सरकार हुनका लेल किछ करत आश्वासन समेत परिवारके देलनि ।

ओ अपन सरकार मुकेशके योगदानके कदर करैत परिवार लेने ऋण मिनाह,, हुनक देखभाल करय लेल एक गोटेके ब्यबस्था आ इलाजमे लागल दबाई खर्च सरकार  देत बतौलनि ।

 मुकेशके परिवार खनालसँग हुनका जिवित सहिद घोषणा क देबाक लेल माँग रखने अछि ।
 जनआन्दोलन-२ के क्रममे २०६२ चैत्र २७ गते बनेपा तीनदोबाटोमे पुलिसक गोली माथमे लागि क  घाइल भेलाबाद हुनका इलाजक लेल ११ महिना वीर अस्पताल आ सात महिना काठमाडौंके बाँसबारीस्थित न्यूरो सर्जरी अस्पतालमे इलाज कएलगेल छल ।

आइलभयू कहयबलासभ बहुत अछि सँगम राई




बेलिण्डा स्टेवार्ट विल्सन मोडेल


पूर्वआइजीपी राणा बयानक लेल विशेष अदालत जा रहल


८ साउन , काठमाडौँ । सुडान घोटालाके आरोपी पूर्वप्रहरी महानिरीक्षक ओमविक्रम राणा आइ बयानक लेल विशेष अदालतमे उपश्थित होबय लागल छथि ।

अदालत म्याद तामेलीके पत्र बुझौने २९ दिनबाद राणा बयानक लेल जाय लागल छथि । विशेष अदालत बितल १२ असारमे म्याद तामेलीके पत्र दैतो हुनका नहि भेटलाबाद अदालत कर्मचारी ललितपुरके कुसुन्तीस्थित राणा निवासमे पत्र सटने छल । राणासँग बयान लेलाबाद आइए थुनछेकसम्बन्धी बहस हाएत विशेष अदालत स्रोत जनौलक अछि । बहस समाप्त भेलाबाद आइए विशेष अदालतके अध्यक्ष गौरीबहादुर कार्कीके संयुक्त इजलास घोटालामे ठकुरीके सफाई देबयके,, थुनामे राखि क छानविन आगु बढाबयके या धरौटी ल  तारेखमे रिहा करयके विषयमे फैसला सुनाओत ।

ठकुरीउपर हुनक कार्यकालमे सुडानमे खटल नेपाल प्रहरीके लेल बख्तरबन्द गाडी खरिद करबाक क्रममे प्रहरी कल्याणकारी कोषसँ किस्ता बुझाबयमे घोटाला केने अभियोग लगाओलगेल अछि ।


बजेट बादक पहिल संसद्क बैसार आइ


८ साउन, काठमाडौँ । बितल ३१ असारमे उपप्रधान तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारी आर्थिक वर्ष ०६८/०६९ के अनुमानित आय तथा व्ययके विवरण प्रस्तुत केलाबाद पहिल बेर व्यवस्थापिका संसद्के बैसार आइ बैसय जा रहल अछि ।

विनियोजन विधेकयके विषयमे बिमर्श करय बेरियामे ३ बजेके लेल दशम अधिवेशन अन्तर्गतके संसद बैसार बजाओलगेल अछि । अर्थमन्त्री अधिकारी बैसारमे विनियोजन विधेयक २०६८ उपर विचार कएल जाए कहि प्रस्ताव प्रस्तुत करयके कार्यक्रम अछि । मुदा विभिन्न मन्त्रालयके बजेट पुस्तिका तयार नहि भेलास आइ ओ बिमर्श प्रभावित होयबाक सँकेत क रहल अछि । संसद सचिवालय स्रोतक अनुसार मन्त्रालयसबके बजेट पुस्तिका तयार नहि भेलासँ आइ सेहो बजेटक सैद्धान्तिक पक्षमउपर मात्र बिमर्श हाएत जनाओलगेल अछि ।

अहिबीच, प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि भेल विषयमे सभामुखके ध्यानाकर्षण कराबय आजुक संसद्क बैसार अबरुद्ध कराबाक चेतावनी देने अछि ।

राजन समूहद्वारा शिक्षकउपर गोली प्रहार


८ साउन, महोतरी । तराइमे भूमिगत सशस्त्र गतिविध क रहल जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा राजन मुक्ति मोर्चाके कार्यकर्ता महोतरीमे एक शिक्षकके गोली मारि क घाइल बनौलक अछि ।

जिल्लाके सहसौला गाविस-३ के स्थानीय जनता दलित विद्यलायके शिक्षक विजय मण्डल उपर बितलराति हुनके घरमे सुतल समय तीन गोटेके संख्यामे आएल ओ समूहक कार्यकर्ता गोली मारने अछि । दहिना जाँघमे गोली लागल मण्डलके बर्दिवास अस्पतालमे इलाज भ रहल अछि । राजन मुक्ति समूहक केन्द्रीय सदस्य भाष्कर मुक्ति अज्ञात स्थलसँ सञ्चारकर्मीके टेलिफोन क मण्डल उपर अपन कार्यकर्ता आक्रमण केने जिम्मा लेलक अछि । ओ मण्डलके बाबु एकीकृत माओवादी गाविस प्रतिनिधि रामसागर मण्डलके निशाना बनाओलगेल होइतो अन्हारके कारण गल्तिसँ हुनका गोली लागल बतौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन