Saturday, September 10, 2011

'ख़ुफ़िया तंत्रके मज़बूती सबसँ ज़रूरी'


भारत, भादव २४ । प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह आतंकवाद आ वामपंथी चरमपंथ देशके लेल सबस पैघ समस्या रहल बतौलनि अछि ।
आइ दिल्लीमें राष्ट्रीय एकता परिषदके १५ हम् बैसारके संबोधित करैत मनमोहन सिंह  आतंकवाद सँ लडय लेल देशके गुप्त प्रणालीके मज़बूत बनाबयके आवश्यकता पर जोड देलनि । ओ कहलनि जे जांच एजेंसीके आओर मजबुत बनाबयके आबश्यक्ता अछि ।

प्रधानमंत्री मनमोहन सिंह आतंकवाद सँ लड़यमें किछ पड़ोसी देश बहुत सहयोग केने कहैत  आतंकवादी आ नक्सलवादी परास्त करय लेल चौकन्ना रहनाइ आ सँचारके आदान प्रदान होनाइ आबश्यक रहल बतौलनि ।

निश्चित तौर पऽ मार्च धरि पाकिस्तान लौटबः मुशर्रफ़


पाकिस्तान, भादव २४ । पाकिस्तानके पूर्व राष्ट्रपति परवेज़ मुशर्रफ़ अपने मार्च धरि निश्चित रुपसँ पाकिस्तान लौटब बतौलनि अछि ।  चाहे अहिके लेल  जेल ए कैला नहि होए ।

९ साल धरि पाकिस्तानक सत्तामें रहल परवेज़ मुशर्रफ़के अदालतमे हाजिर होबयके आदेश देल गेल अछि ।

हुनका उपर पूर्व प्रधानमंत्री बेनज़ीर भुट्टोके पुरा सुरक्षा देबय नहि सकल आरोप लागल छन्हि । परवेज़ मुशर्रफ़ अपना बिरुद्ध मुद्याके "गलत" आ राजनीति षडयन्त्र बतौलनि अछि ।

लम्बा समयधरि अदालतके प्रश्नक जवाब नहि देलाबाद बितल महिना हुनकर संपत्ति आ बैंक खाताके ज़ब्त करयके आदेश अदालत देने छल ।

माओवादी बुझौने चाबी स्याबासीके काज नहि अछिः सुजाता


इनरुवा, भादव २४ । कांग्रेस नेतृ सुजाता कोइराला माओवादी शान्ति प्रक्रियाके बारेमे ठोस काज कऽक देखाओत तऽ कांग्रेस कोनो समयमे सरकारमे जाए तयार रहल बतौलिह अछि ।

छल कपट आ धोखा नहि कि, शान्ति प्रक्रियाके बारेमे ठोस काज करत तऽ कांग्रेस सरकारमे जाऽ क सहयोग करय तयार रहल बतौलिह । सुनसरी सदरमुकाम इनरुवामे आइ संचारकर्मीसबसँग बातचित करैत कोइराला ठोस काज करय नहि सकत आ जनताके ठकय जका राहत कार्यक्रम लौनाइ सरकारक गलत रबैया रहल आरोप लगौलिह ।

खाली निक निक नारा मात्र दऽ क नहि हाएत बतबैत नेतृ कोइराला प्रधानमन्त्री घोषणा केने राहतके कार्यक्रम कार्यान्वयन कऽक देखाबय चुनौती देलिह । शिविरके चाबी बुझा कऽ शान्ति प्रक्रियामे ठोस उपलब्धी केने कहनाइ धोखा सिवाय आरो किछ नहि रहल हुनक  तर्क छलनि ।

माओवादीके सेना माओवादी नेतृत्वके सरकारके चाबी बुझैनाइ अपनेसँ अपने लेनाइ जका रहल कहैत  कोइरालाले कहलि जे, इ कोनो स्या्बासीके काज नहि अछि ।

मिस्रमें इसराइली दूतावास पऽ हमला


मिस्र, भादव २४ ।  मिस्रके राजधानी काहिरामें हज़ारौके सँख्यामे रहल प्रदर्शनकारीसब बितल राति इसराइली दूतावास पऽ हमला केलक अछि । प्रदर्शनकारीसब दूतावासके घेर कऽ हथौड़ा आ लोहाके छड़सँ बाहरके देबाल खसौलक अछि तऽ कतैकौ गाडीसबमे आगि सेहो लगा देने अछि 

स्थितिके  नियंत्रणमे लेबय पुलिस आँसू गैस छोडने छल तऽ  गोली सेहो चलौने अछि । जानकारीके अनुसार दूतावास पऽ आब इसराइली झंडाके जगह  मिस्रके झंडा पर्दर्शनकारीसब लगा देने अछि ।  प्रदर्शनकारीसब इसराइली दूतावास पर हमला करैत ओइठाम नजदिकेमे रहल  पुलिस मुख्यालयके सेहो हमला करयके कोशिश केने छल । पुलिस मुख्यालयके सामने भेल  भिड़तमें पुलिस प्रदर्शनकारीसबके तितर बितर करय लेल आँसू गैस के प्रयोग केने छल ।

लागुऔषधसहित दु गोटे गिरफ्तार


२४ भादव, मकवानपुर ।  हेटौंडासँ लागु औषध सहित दु गोटेके पुलिस नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

विराटनगरसँ रात्रिबसमे काठमाडौँदिस जाऽरहल विराटनगर १४ के ३४ वर्षक बलराम महतोके आइ हेटौँडाके रातेमाटे चौकीमे चेकजाँचक क्रममे गिरफ्तार कएल गेल पुलिस जनौलक अछि । महतोके साथसँ लागुऔषध नुरफिन १ सय थान आ १ सय १० थान डाइजिपाम नामक नसालु पदार्थ बरामद कएल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय, मकवानपुर जनौलक अछि ।

अहिना रौतहट डुमरिया गाविस- ३ के २७ वर्षक राम चौधरीके सेहो गिरफ्तार कएल गेल पुलिस जनौलक अछि । ओकर सँगसँ  फेनागन नामक लागुऔषध ४५ थान बरामद भेल बताओल गेल अछि ।

नेपाली सेना आब इराकमे सेहो जाए लागल


२४ भादव, काठमाडौँ । संयुक्त राष्ट्र संघक आहृवानमे शान्ति स्थापनाक लेल अहिसँ आगु अफ्रीकी देशसबमे मात्रे जाऽ रहल  नेपाली सेना आब इराकमे सेहो जाए लागल अछि ।

नेपाली सेना इतिहासेमे पहिल बेर द्वन्द्वग्रस्त देश इराकमे अपन एक टोली शान्ति स्थापना कार्यके लेल खटाबयके निर्णय केने अछि । राष्ट्र संघक आहृवानमे नेपाली सेना लेफ्टिनेन्ट कर्णेलके नेतृत्वमे ७२ सदस्यीय टोली इराक पठाबय लागल अछि । स्रोतक अनुसार पहिल चरणमे ३३ गोटेके टोलीके आगामी सेप्टेम्बरके अन्तिम सप्ताह ओइ दिस  प्रस्थान करयके  कार्यक्रम अछि । स्रोतक जानकारी अनुसार नेपाली सेनाके इराक स्थित उच्च राष्ट्रसंघीय अधिकारीसबहक सुरक्षाके जिम्मेवारी देल जाएत । अहिसँ आगु ओ जिम्मेवारी अमेरिकी सेनाके देल गेल अछि ।

आर्थिक समस्या समाधानक लेल सरकार गम्भीरः पुन


२४ भादव, काठमाडौँ । अर्थमन्त्री वर्षमान पुन देशके आर्थिक क्षेत्रमे विद्यमान समस्या समाधानक लेल सरकार गम्भीर भऽ क काज कऽ रहल बतौलनि अछि ।

नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघ आइ राजधानीमे आयोजना केने एक कार्यक्रममे बजैत मन्त्री पुन सरकार आर्थिक क्षेत्रके सब दिन उच्च प्राथमिकतामे राखि कऽ काज करत से प्रतिबद्धता जनौलनि । निजी क्षेत्र देशके अर्थतन्त्रके प्रमुख आधार भेल चर्च करैत पुन निजी क्षेत्रके उपेक्षा कऽ क आगु बढ्ला पर देशके आर्थिक क्षेत्र सवल होबय नहि सकत विचार रखलनि ।

बढैत उर्जा संकटसँ देशके मुक्त करय आन्तरिक लगानीके प्रोत्साहन आ वैदेशिक लगानी आर्कषित करयके सरकारक नीति रहल मन्त्री पुन जानकारी देलनि । सरकार निजी क्षेत्रसँग मिल कऽ काज करय  ईच्छुक रहल कहैत ओ बढैत औद्योगिक असुरक्षाके वातावरण हटाबय प्रतिबद्ध रहल धारणा रखलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन