Saturday, October 29, 2011

काबुलमें नेटो सैनिक पर आत्मघाती हमला


१२ कातिक काबुल । अफ़ग़ानिस्तानके राजधानी काबुलमें तालिबान नेटोके सैना पर आत्मघाती हमला केलक अछि । जाहिमे कतेकौ  सैना आ नागरिकके मृत्यु भेल अछि ।

इ आत्मघाती हमला काबुलके बाहरी इलाक़ामें स्थित दारुल अमनके क्षेत्रमें भेल छल जखन एकटा कारमें राखल विस्फोटकमें बिष्फोट भेल छल । घाइलसबके २ टा हेलिकॉप्टरके मदतसँ घटनास्थलस अस्पताल पहुँचाओल गेल अछि ।

बितल किछ महीनामें अफ़ग़ानिस्तानमें १ लाख ३० हजार विदेशी सेनाके बावजूद हिंसक घटनासब बढ़िरहल अछि ।

तालिबान इ हमला केलक अछि आ बृहस्पति दिन कंधारमें पश्चिमी देशके अधिकारीबला एक परिसर पर भेल हमलाके सेहो  ज़िम्मेदारी लेलक अछि । बृहस्पतिदिन भेल हमलामें १५ घंटाधरि गोलीबारी भेल छल । तकरबाद हमलावरसबके ओतयसँ भागय परल छल ।

अहिके अलावा दक्षिणी अफ़गानिस्तानमें भेल हमलामें अफ़ग़ान सेनाके पोशाकमें एक व्यक्ति २ गोट विदेशी सैनिकके गोली मारने छल । जकरबाद गोली मारयबला व्यक्ति सेहो मारल गेल ।

अमरीकी योजनाके अनुसार अफ़ग़ानिस्तानस २०१४ धरि अमरीकी सैनिक ओतयसँ बाहर चलि जाएत आ क़ानून व्यवस्थाके ज़िम्मेदारी घरेलू सुरक्षाकर्मीके जिम्मा देल जाएत ।

भट्टराई बैद्यके कहलनिः ‘सरकारमे आबु’


१२ कात्तिक, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री एवं माओवादी उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई अपन विरोधमे सडक प्रर्दशन कऽ रहल  पार्टीके मोहन वैद्य पक्षके सरकारमे आबय आग्रह कएलनि अछि ।

भट्टराई आइ उपाध्यक्ष वैद्य आ महासचिव रामबहादुर थापा बादलके अलगे अलग भेट कऽ एखुनक अवस्थामे शान्तिप्रक्रियाके पुरा करयके विकल्प नहि रहल कहैत पार्टीके नेतृत्वमे ओ प्रक्रिया निष्कर्षमे पहुँचाबय सेहो सरकारमे सहभागी भऽ क आगु बढय आग्रह कएलनि अछि । माओवादीएके नेतृत्वमे शान्ति प्रकृया पुरा करयके सबसँ उपयुक्त अवसर रहल आ अन्य दल सेहो सहमतिमे आबयके वातावरण बनल कहैत भट्टराई सरकारमे सहभागी होबय आग्रह कएलनि अछि ।

जवाफमे उपाध्यक्ष बैद्य आ महासचिव वादल तत्काल सरकारमे नहि जाएके बतौने श्रोतले जनौलक अछि । उपप्रधान आ अर्थमन्त्राय नहि पौलाबाद सरकारमे नहि गेल बैद्य पक्ष कन्टेनरके चाबी बुझाबयके निर्यण फिर्ता, ४ बुँदे सहमति आ बिपा सम्झौता खारेजके माँग करैत आएल अछि ।

भेटमे पार्टीमे उत्पन्न विवाद समाधानबारे सेहो बिमर्श भेल छल । भेटके बाद बैद्य पार्टी विवाद समाधानक विषयमे बिमर्श भेल बतौलनि । आसन्न केन्द्रीय समिति बैसारआगु सहमति जुटाबयके प्रयासमे उच्चस्तरमे अनौपचारिक बिमर्श हाएत बैद्य जानकारी देलनि ।


एअरपोर्टमे घुस लेबयबला उपर कारवाही करय प्रधानमन्त्रीक निर्देशन


१२ कार्तिक, काठमाडौं । अमेरिका जाए लागल नेपाली नागरिक डिचेन डोल्मा शेर्पासँग एक लाख घुस लेबयबला अध्यागमन कर्मचारीके तत्काल कारवाही करय प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई निर्देशन देलनि अछि ।

गृहसचिव सुशिलजंग राणा आ अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक सचिव भगवतीप्रसाद काफ्लेके टेलिफोन कऽ प्रधानमन्त्री दोषी उपर तत्काल कारवाही प्रकृया आगु बढाकऽ प्रगति बिबरणबारे अपनाके जानकारी कराबयन निर्देशन देने प्रधानमन्त्रीक स्वकीय सचिव बिश्वदीप पाण्डे जानकारी देलनि । नेपालसँ अमेरिका जाए लागल शेर्पाके यति एयरलाइन्स प्रमाणसँ नेपाली प्रमाणित नहि होइत छी कहैत बिमानस्थल अध्यागमन कार्यालयके कर्मचारी पूर्णबहादुर बस्नेत एक लाख दश हजार रुपैयाँ घुस लेने छल । घुस लऽ रहल भिडियो बिभिन्न संचारमाध्यममे सार्वजनिक भेलाबाद प्रधानमन्त्रीक ध्यानाकर्षण भेल प्रधानमन्त्रीक निजी सचिवालय जनौलक अछि । अहिसँ आगुए अभियुक्त वस्नेत निलम्बनमे परि चुकल अछि ।

बिमानस्थल अध्यागमनके कर्मचारी कखनो काल नक्कली नागरिकता आ पासपोर्ट लेनेसबके रकम लऽ क उडाबयके, रातो पासपोर्ट दुरुपयोग करयबलासबके भगाबयके तथा सोझ यात्रुके अनाबश्यक दुःख देबयके  घटनासब बितल दिनमे सार्वजनिक भऽ रहल अछि । पिडीत शेर्पा किछ दिन आगु पत्रकार सम्मेलन कऽ घुस लैतकालके भिडियो आ अन्य प्रमाणसब सार्वजनिक केने छलिह ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई राजनीतिक परामर्शमे व्यस्त


१२ कात्तिक, काठमाडौँ । दलसबबीच निर्णायक वार्ता हाएत कहलगेल समय प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई राजनीतिक परामर्शके तीव्र देलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई आइ संविधानसभा अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङसँग भेट कऽ शान्ति आ संविधानके पूर्णता देबयके विषयमे बिमर्श कएलनि अछि । भेटमे आइ साँझधरिमे हाएत कहलगेल प्रमुख तीन दलक बैसारक एजेण्डाबारे बिमर्श भेल बताओलगेल अछि । भेटमे सभाध्यक्ष नेम्वाङ शान्ति आ संविधानक लेल कम समय मात्रे बाँकी रहलासँ ओ अवधिमे विवादित विषयमे सबके सहमति जुटा कऽ आगु बढय प्रधानमन्त्रीके सलाह देने बालुवाटार स्रोत जानकारी देलक अछि । प्रधानमन्त्री भट्टराईसँ भेटय सभाध्यक्ष नेम्वाङ प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवास बालुवाटार पहुँचल छलथि ।

छठि आगुए शान्ति आ संविधानक विवादित विषयमे सहमति जुटत दाबी करैत आएल प्रधानमन्त्री भट्टराई अहिसँ आगु काल्हि एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल आ आइ भिन्सर माओवादी उपाध्यक्ष मोहन बैद्यसँग भेटघाट कएने छलथि ।

बलिउडके हट मोडेल तथा आइटम डान्सर यस्मिन खान आ सुपर हट र्याम्प मोडेल नताशा सिख










हमरा टु पिस निक लगैय

गायिका रोबिन रिहाना







'रिहाना' नामसँ संसारभरि चर्चित गायिका रोबिन रिहाना फेन्टीके टुपिसके पहिरन बहुत निक लगैत अछि ।

मोटरसाइकलके ठक्करसँ साइकल यात्रीके मृत्यु


१२ कात्तिक, चितवन । चितवनके भरतपुरस्थित मालपोतचोकमे मोटरसाइकलक ठक्करसँ बितलराति एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

भरतपुर बसपार्कसँ वाइपास रोड होइत आँपटारीदिस जाऽ रहल ना ६ प ६४३६ नम्बरक मोटरसाइकलके ठक्करसँ साइकलमे सवार भरतपुर ११ के २४ वर्षक कान्छालाल बम्जनके मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । मोटरसाइकलके ठक्करसँ गम्भीर घाइल भेल बम्जनके भरतपुर मेडिकल कलेजमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल अछि । दुर्घटनामे संलग्न मोटरसाइकल लाबारिश अवस्थामे पुलिस नियन्त्रणमे लैतो चालक फरार रहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि । मोटरसाइकल चालकके खोजी भऽ रहल पुलिसक कहब अछि ।

सञ्चारमन्त्री गुप्ता अमेरिकादिस


१२ कात्तिक, काठमाडौँ । सूचना तथा सञ्चारमन्त्री जेपी गुप्ता संयुक्त राज्य अमेरिकाके भ्रमणके लेल बितलराति न्यूयोर्क प्रस्थान कएलनि अछि ।

गुप्ता निजी कामके सिलसिलामे अमेरिका गेल छथि । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई गुप्ताके अनुपस्थितिमे ओ सम्हारैत आएल सूचना तथा सञ्चार मन्त्रालयके कार्यभार कृषि तथा सहकारीमन्त्री नन्दनकुमार दत्तके सम्हारय जका तोक्ने छथि । गुप्ता एक सप्ताहबाद स्वदेश घुरताह ।

प्रचण्डक प्रशिक्षणमे बैद्यपक्ष सेहो सहभागी


१२ कात्तिक, कैलाली । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड आइ देने प्रशिक्षणमे उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्षधर कार्यकर्ता सेहो सहभागी अछि ।

प्रचण्ड गुटगत जमघट कऽ अपने पक्षधरके मात्रे प्रशिक्षण देबयके तयारी केने चर्चा भऽ रहल समय उपाध्यक्ष बैद्य आ दोसर उपाध्यक्ष एवं प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई पक्षधर कार्यकर्ता सेहो सहभागी भेल अछि । अत्तरियास्थित एक उद्योगमे जारी प्रशिक्षण कार्यक्रमे माओवादी थारुवान राज्य समिति अन्तर्गत जिल्ला सदस्य धरिके करिब १ हजार कार्यकर्ता सहभागी अछि । कार्यक्रममे सञ्चारकर्मीके प्रवेश निषेध कएलगेल अछि ।
माओवादी कैलाली इन्चार्ज हरि ज्ञवाली अध्यक्ष प्रचण्ड जिल्ला आएल मौकामे समसामयिक विषयमे कार्यकर्ता प्रशिक्षण देबय उपयुक्त समझि कऽ कार्यक्रम तय केने जानकारी देलनि ।

प्रधानमन्त्रीद्वारा वैद्यसँग बिमर्श


काठमाडौं, कार्तिक १२ ।  प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई आइ भिन्सर माओवादी उपाध्यक्ष मोहन वैद्यसँग बिमर्श केलनि अछि । वैद्य निवासमे भेल बिमर्श सेना समायोजन आ शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके विषयमे केन्द्रित छल ।

 भेटमे वैद्य पक्ष रखने मधेसवादी दलसँग सरकार निर्माण करय समय भेल ४ बुँदे सहमति खारेज आ भारतसँग भेल बिपा सम्झौता खारेजके विषयमे बिमर्श भेल स्रोत जनौलक अछि । प्रधानमन्त्री दुनु विषयमे वैद्यके मनाबयके प्रयास केने छल ।

लडाकु कन्टेनरके चाबी सेना समायोजन विशेष समितिके बुझौलाबाद प्रधानमन्त्रीसँग दुर भेल वैद्य पक्ष बिपा सम्झौताके विरोधमे प्रर्दशन केने छल ।

वैदेशिक पूँजीसँ देश कंगाल हाएतः प्रचण्ड


१२ कात्तिक, धनगढी । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड वैदेशिक पूँजीसँ देश  कंगाल हाएत तौलनि अछि

कैलाली उद्योग वाणिज्य संघ धनगढीमे आइ भिन्सर केने स्वागत कार्यक्रमम बजैत प्रचण्ड राष्ट्रिय पूँजीक परिचालनविना देश विकास नहि भेलासँ विदेशी पूँजी आनयके प्रयास केनाइ अर्थहीन रहल टिप्पणी कएलनि । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईक भारत भ्रमणके क्रमम ेल बिप्पा सम्झौतादिस लक्षित करैत प्रचण्ड बिप्पा सम्झौताबारे किछ उल्लेख नहि कऽ ओ स्वदेशम लगानीक वातावरण नहि बनयधरि विदेशसँग कएलगेल कोनो सम्झौतासँ देशके विकास सम्भ हि हाएत टिप्पणी कएलनि । प्रधानमन्त्री ड.बाबुराम भट्टराई अध्यक्ष प्रचण्डक सहमतिम बिप्पाम हस्ताक्षर भेल बतबैत अबैत छथि । बिप्पाके उपाध्यक्ष मोहन बैद्य पक्ष  राष्ट्रघातीक आरोप लगबैत आएल अछि

अध्यक्ष प्रचण्ड पार्टीक पोलटिब्युरो सदस्य एवं आपूर्तिमन्त्री लेखराज भट्टक मायके श्रद्धाञ्जली कार्यक्रमम सहभागी होबय काल्हिए कैलाली पहुँचल छथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन