Sunday, March 20, 2011

उद्योगमे बम रखेत काल युवक गिरफ्तार

इनरुवा, चैत्र ६ । सुनसरी मोरङ औद्योगीक करिडोर क्षेत्रक सुनसरीके सोनापुर गाविस २ मे रहल पशुपति मैदा मिल आगु बम राखि रहल अवस्थामे एक गोटेके आइ भिन्सर रंगेहात गिरफ्तार काएलगेल अछि ।
बम रखने आरोपमे अखिल तराई मुक्ति मोर्चाक कार्यकर्ता सप्तरीके त्रिकोलके वीरेन्द्र ठाकुरके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि । बम नेपाली सेनाक बम डिस्पोजल टोली निष्कृय केलक अछि । गिरफ्तार भेल ठाकुरक विषयमे अनुसन्धान भरहल सुनसरी पुलिस जनौलक अछि ।
किछ दिन पहिने सेहो मोर्चा सुनसरी मोरङ औद्योगीक करिडोर क्षेत्रके पशुपति पेन्ट्समे सकेट बम रखने छल ।

कांग्रेस सरकारमे आओत त सात सुत्रिय परिमार्जन करय माओवादी सकारात्मक


काठमाडौं, चैत्र ६ । प्रमुख विपक्षी कांग्रेस सेहो सरकारमे आओत त सात सुत्रिय सहमति परिमार्जन करय माओवादी सकारात्मक देखलगेल अछि ।
एमाले वार्ता टोली आ माओवादी नेतासबबीच आइ एमाले संसदीय दलक कार्यालय सिंहदरवारमे भेल बिमर्शमे माओवादी कांग्रेस सेहो सरकारमे आओत त नयाँ सहमति क सकब बतौलक अछि । ' माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ कहलनि, 'जँ कांग्रेस सेहो सरकारमे आओत त नयाँ सहमति करय तयार छी ।'
कांग्रेसके सरकारमे लाबय सात सुत्रियमे अडि कऽ बैसबाक नहि चाही एमालेक बरिष्ठ नेता एवं पार्टीक दिसस वार्ता टोली संयोजक माधवकुमार नेपाल बतौलनि ।
दु दलक शीर्ष नेतासबबीच संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाके तोकले समयमे पूरा करयके विषयमे सेहो बिमर्श भेल नेता नेपाल बतौलनि । संविधान निर्माण किछ आगु बढितो शान्ति प्रक्रियाके बाँकी काज सुरु होबय नहि सकल ओ बतौलनि ।
बैसारमे माओवादी संविधान निर्माण आ शान्ति प्रक्रियाके तोकले समयभितर पूरा करयके प्रतिबद्धता जनौने माओवादी उपाध्यक्ष श्रेष्ठ जानकारी देलनि ।

एसएलसी परीक्षाक तयारी पूरा

भक्तपुर, चैत ६ । चैत १० गतेस सुरु होबयबला एसएलसी परीक्षाक सम्पूर्ण तयारी पूरा भ गेल अछि । परीक्षा सञ्चालन करय आवश्यक सब तयारी पूरा भ गेल परीक्षा नियन्त्रक सूर्य गौतम बतौलनि अछि ।
परीक्षा नियन्त्रण कार्यालय सानोठिमी भक्तपुरक अनुसार अहिबेरक परीक्षामे देशभरिमे पाँच लाख पाँच गोटे परीक्षार्थी सहभागी भ रहल अछि । परीक्षा सञ्चालनके लेल देशभरिमे एक हजार ६७५ टा परीक्षा केन्द्र तोकलगेल गेल अछि । परीक्षाके मर्यादित बनाबय एक हजार ६७५ गोटे केन्द्राध्यक्ष नियुक्ति क चुकल आ २५ परीक्षार्थी बराबर एक गोटे परीक्षा निरीक्षक समेत तोकलगेल अछि । अहिबेर नेपालेमे जनक शिक्षा सामग्री केन्द्रमे प्रश्नपत्र छापि कऽ जिल्ला-जिल्लामे पहुँचाओलगेल परीक्षा नियन्त्रक गौतम जानकारी देलनि ।
अहिबेरक परीक्षामे सब स बेसी काठमाडौँमे ३२ हजार ८३ गोटे आ सब स कम मुस्ताङमे ९० गोटे परीक्षार्थी रहल अछि ।

स्तनपानस मस्तिष्क विकास - बिज्ञान


काठमाडौ, चैत्र ६ । नयाँ अनुसन्धान अनुसार स्तनपान करौलास शिशुके मस्तिष्कक विकास निक सँ होइत अछि ।
अक्सफोर्ड विश्वविद्यालयके नेतृत्वमे भेल अनुसन्धानमे अध्ययनकर्ता पौअलनि जे नवजात शिशुके न्यूनतम ४ सप्ताहधरि स्तनपान करौलास ओकर मस्तिष्कके विकासमे उचित प्रभाव परैत अछि । इ प्रभाव ओ माध्यमिक स्कुल पहुँचयधरि यथावत् रहैत अछि ।
'मायके दूध पर्याप्त मात्रामे पिवलास धियापुता बेसी दिमागक तेज होबयके तथ्य इ अध्ययनस स्थापित भ चुकल अछि,' अनुसन्धानमे संलग्न मारिया लाकोभ कहलि जे, 'अहिस आगुधरि मस्तिष्क विकासमे स्तनपानके प्रभाव बारे कोनो ठोस प्रमाण नहि छल ।'
बालबालिकाक मस्तिष्कक विकासक लेल स्तनपान बहुत लाभदायक अछि आ जन्म स ६ महिनाधरि मात्रे मायके दूध पियाबऽ लेल चिकित्सकसब बतबैत आएल अछि ।

खेल समाचार


एजेन्सी, चैत ६ - I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत आइ भारतक कलकतामे भ रहल जिम्बाबे आ केन्या बिचक खेलमे जिम्बाबे केन्या समक्ष जितयके लेल ३०९ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
जिम्बाबे टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत पुरा ओभर खेलैत ६ बिकेटक क्षतिमे ३०८ रन बनौलक अछि ।
जिम्बाबे के इरभाइन ६६, शिबान्दा ६१, ताइबु ५३ आ टेलर २६ रनक योगदान देलनि त केन्याके ओटिनो २ बिकेट लेलनि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल केन्या टिम समाचार तयार करयधरि ,,,,,,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर भारतक चेन्नईमे भ रहल वेस्ट ईन्डिज आ भारत बिचक खेलमे भारत टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत ,,,,,,,,,,,, ओभर खेलैत ,,,,,,,,,,,,,,,, बिकेटक क्षतिमे ,,,,,,,,,,,,,,,, रन बनाक खेल रहल अछि ।

सुद प्रोटोकल मार्फत् प्रधानमन्त्रीस भेट्य नहि मानलथि


काठमाडौं, चैत ६ । प्रधानमन्त्रीके भेटके व्यवस्थित बनाबय परराष्ट्र मन्त्रालयके अनुमति लेबय के नियम नेपालक लेल भारतीय राजदुत राकेश सुद उल्लंघन कएलनि अछि । ‘हमरा काल्हि बाहर जाएके अछि कहैत’ सुद आइ भिन्सर परराष्ट्रके बिना अनुमतिए लेने प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालस भेट कएलनि अछि ।
ओ भेट ’आकस्मिक आ अनौपचारिक’ रहल प्रधानमन्त्रीक सल्लाहकारक कहब अछि । प्रधानमन्त्रीक परराष्ट्र मामिला सल्लाहकार मिलन तुलाधर भेटवार्ता अनौपचारिक भेल बतौलनि । ‘आरो राजदुतसब भेट केने जेहन इ औपचारिक नहि छल,’ ओ कहलथि ।
अहिस आगुके प्रधानमन्त्रीसँग प्रधानमन्त्रीक निजि सचिवालयसँग समय मिला कऽ अपनाखुशी भेटवार्ता करयके क्रम बढलाबाद भेटवार्ताके व्यवस्थित बनाबय परराष्ट्र मन्त्रालयके अनिवार्य स्वीकृति लेबयके नियम बनाओलगेल छल । मुदा ओ नियम आइ भारतीय राजुदत सुद पालना नहि केने बताओलगेल अछि ।
प्रधानमन्त्री खनालक आधिकारीक वेबसाईटमे प्रधानमन्त्रीक नियमित औपचारिक कार्यक्रममे राकेश सुदसँगक भेटघाटक तालिका राखलगेल अछि ।

कठमाण्डूक आगिलगिमे २ गोटेकेँ जरि कऽ मृत्यु

काठमाण्डू, चैत ६ । काठमाण्डूक मखनटोलमे वितल राति भेल आगिलगिमे परि दु गोटेकेँ मृत्यु भेल अछि । केदार श्रेष्ठक ४ तला घरमे भेल आगिलगिमेँ हुनक ३५ बर्षक वेटा राकेश आ २२ बर्षक महेशकेँ जरि कऽ मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि । आगि मिझावयकेँ क्रममे हुनका सभकेँ मृत्यु भेल अछि ।
वितल राति साढे ११ बजे लागल आगि काठमाण्डू, ललितपुर आ भक्तपुरक बारुण यन्त्र, नेपाली सेना, पुलिस आ स्थानीयवासी आइ भिन्सर डेढ बजे दिस नियन्त्रणमे लेने छल । बिजुली सर्ट भऽ आगि लागल पुलिस जनौलक अछि । आगलागि सँ भेल क्षतिकेँ पूर्ण विवरण एखनधरि आवय नहि सकल अछि ।
अहिविच, मोरंगकेँ इन्द्रपुर ९ स्थित एकटा मुर्गा फार्ममे करेन्ट सर्ट भऽ आगिलागि भेला सँ ९ लाख रुपैया बराबरकेँ क्षति भेल अछि ।

मधेशी दलक नेता आ सशस्त्र समूहवीच दिल्लीमे बार्ता

काठमाण्डू, चैत ६ । राजनीतिक परामर्शकलेल भारत पहुँचल तीन मधेशवादी दलक अध्यक्षसभ तराईकेँ सशस्त्र संगठनसभसँ बार्ता कएलक अछि । सरकार सँ वाहर होइते मधेश केन्द्रीत आन्दोलन करयकेँ धम्की देने मधेशवादी दलसभ नयाँ संविधानमे मधेशक मुद्दा सम्वोधन नहि होवय सकल तऽ कोना आगु वढल जाय ताहि सम्वन्धमे बिमर्श भेल बताओल गेल अछि ।
म्धेशी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिककेँ अध्यक्ष विजयकुमार गच्छेदार, तराई मधेश लोकतान्त्रिककेँ अध्यक्ष महन्थ ठाकुर आ सदभावना अध्यक्ष राजेन्द्र महतो नयाँ दिल्लीमे काल्हि तराईकेँ तीनटा सशस्त्र संगठननक प्रतिनिधिसभ सँ बार्ता कएलक अछि । वार्तामे अखिल तराई मुक्ति मोर्चाक जयकृष्ण गोइत, जनतान्त्रिक तराइ मुक्ति मोर्चाक ज्वाला सिंह (नागेन्द्र पासमान) आ मधेश मुक्ति टाइगर्सक जगदीश अधिकारी सहभागि छलथि ।
स्रोतक अनुसार भेटवार्तामे जेठ १४ गते भितर नयाँ संविधान जारी होवय नहि सकल आ एक मधेश प्रदेशकेँ मुद्दा नयाँ संविधानमे नहि समेटल गेल तऽ कोना क आगु वढव ताहि विषयमे बिमर्श भेल छल । नेपाल भितरे सेहेा वार्ताकेँ जारी राखय हुनका सभवीच सहमति भेल स्रोत जनौलक अछि ।

मधेशमे होरी काल्हि खेलल जाएत


जनकपुर, चैत ६ । मधेशक किछ ठाममे अहिबेर होरि आइ आँशिक रुपस मनैबतो अधिकाँश गोटेसब काल्हि होरि मनाओत जनाओलगेल अछि ।
धनुषा, महोत्तरी सहितक मिथिला क्षेत्रक किछ ठाममे फागुन शुक्ल पूणिर्माके दिन होलिका चिर दहन कक प्रातेभिने होरि खेलयके प्रचलन रहितो अहिबेर ओ दिन रबि परलास सोमदिन होरि खेलल जाएत बताओलगेल अछि ।
होरिमे काटमार आ माउसके अत्यधिक प्रयोग भेलास रबिदिन मिथिलामे काटमार आ माउस नै खाएके चलनस होरि पाबनि एक दिन पाछु घुसकल आ होरी काल्हि खेलल जाएत बृद्धसब बतौलनि अछि ।
ओना , अधिकाँश धियापुतासब आइए होरी खेल रहल अछि मुदा आइ आँशिक रुपमे मात्र होरी खेलल जा रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन