Sunday, September 11, 2011

समूहगत समायोजन कोनो हालतमे स्वीकार्य नहि हाएतः नेपाल


२५ भादव, काठमाडौं । नेकपा एमालेक वरिष्ठ नेता माधवकुमार नेपाल माओवादी लडाकूके समूहगत समायोजन होबय नहि सकत प्रष्ट कएलनि अछि ।

अज्ञात समूहक आक्रमणसँ घाइल भऽ राजधानीके बी एण्ड बी अस्पतालमे इलाज करा रहल युवा संघ नेपालक सचिवालय सदस्य कमल पाठकके भेट केलाबाद सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत नेता नेपाल समूहगत समायोजन करयके माओवादी लडाकुके नियत खराव रहल बतौलनि । ओ कहलनि-जँ विद्रोह नहि करब तऽ विग्रेड स्तरमे किया समायोजन करब ? समूहगत समायोजन कोनो हालतमे स्वीकार्य नहि हाएत ।

लडाकूसबके हतियार भण्डारण कएल गेल कन्टेनरके चाबी हस्तान्तरण करयके कोनो अर्थ नहि रहल कहैत ओ तत्काल हतियार बुझाबय परत बतौलनि । ओ कहलनि शिविरसब तत्काल खाली करय परत । कन्टेरनमे रहल हतियारसब सरकारके बुझाबय परत आ माओवादी निशस्त्रीकरण होबय परत ।

एमालेक वरिष्ठ नेता नेपाल माओवादी नेतृत्वक सरकार बनलाबाद देशके शान्ति सुरक्षा कमजोर होइत गेल बतौलनि ।

मोडेल सोनी


माओवादी प्रजान्त्रविरुद्ध सक्रियः कोइराला


२५ भादव, विराटनगर । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला माओवादी प्रजान्त्रविरुद्ध सक्रिय भऽ लागल आरोप लगौलनि अछि ।

पार्टी नेता बीपी कोइरालाके ९८ हम् जन्मजयन्तीके अवसरमे  मोरङ कांग्रेस आइ विराटनगरमे केने रक्तदान कार्यक्रममे कोइराला माओवादी बहुलवाद नहि मानब बता कऽ प्रजातन्त्रविरोधी गतिविध जारी राखत तऽ ओकर जडि उखारि देबयके दाबी कएलनि । प्रजातन्त्रके अराजकताके आरोप लगा कऽ माओवादी अपने अराजक कार्यमे लागल हुनक आरोप छलनि । कांग्रेससँग रगडा केलासँ राणा, पञ्चायत आ राजतन्त्रक अन्त्य भेल दाबी करैत कोइराला माओवादी कांग्रेससँग लडय खोजत तऽ ओकरो ओहने  अवस्था हाएत भविष्यवाणी कएलनि ।

कांग्रेस कार्यकर्ता बीपीके आदर्श बिसरैत गेल कहैत ओ बीपीके आदर्श आ विचारके आत्मसाथ करय कार्यकर्ताके निर्देशन देलनि ।

उद्योग बाणिज्य सँघ जनकपुरक अध्यक्षमे श्याम प्रसाद साह बिजयी


भादव २५ , जनकपुर । जनकपुर उद्योग बाणिज्य सँघ जनकपुरक अध्यक्षमे अहि बेर फेउर श्याम प्रसाद साह बिजयी भेल छथि । ओ अपन निकटतम प्रतिद्धन्द्धी शिव शँकर साह हिरासँ ५०४ मत बेसी आनि कऽ बिजयी भेल छथि । शिव शँकर के ६९६ मत मात्रे प्राप्त भेल अछि तऽ श्याम प्रसाद साह १२ सय मत आनि कऽ बिजयी भेल छथि ।

अहिना, उपाध्यक्षमे बिजय साह १२ सय ३१ मत आनि कऽ बिजयी भेल छथि तऽ दोसर उपाध्यक्ष अनुरुद्ध साहके ११ सय ७६ मत भेटल छन्हि । महा सचिव पदमे ललित साहके १३ सय ५३ मत प्रप्त भेल छन्हि तऽ हुनकर निकटतम प्रतिद्धन्द्धी जितेन्द्र साहके ८ सय ६८ मत भेटल अछि ।

तहिना सचिवमे कृष्ण देव साह ५ सय ८६ मत आनि कऽ बिजय भेल छथि तऽ हुनकर निकटतम प्रतिद्धन्द्धी सँजय कुमार साहके ५२० मत आएल अछि । कोषाध्यक्षमे बिकास चौधरी ५०३ मत आनि कऽ बिजयी भेल छथि तऽ हुनकर निकटतम प्रतिद्धन्द्धी मोहम्मद आलम राइनके ४३७ मत भेटल छन्हि ।

सँघक कुल ३३ सय ५६ गोटे मतदाता मेसँ २५ सय ४२ गोटे मतदान केने छल ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन