Thursday, August 18, 2011

हाईकोर्ट जज के ख़िलाफ़ महाभियोग प्रस्ताव पारित


भारत , भादव १ । कलकत्ता हाईकोर्ट के न्यायाधीश सौमित्र सेन के हुनका पदस हटाबय लेल लौअने महाभियोग प्रस्तावके राज्यसभा  बहुमतसँ पारित केलक अछि ।

प्रस्ताव के पक्ष में १ सय नबासी सदस्य मतदान केने छल तऽ १७ सदस्य अहिके विरोधमें मतदान केने छल ।

नियमानुसार महाभियोग प्रस्तावके स्वीकृतिके लेल उपस्थित सदस्य मेंसँ २ तिहाई सदस्यके मंज़ूरी ज़रूरी छल ।

आब अहि प्रस्तावके लोकसभामें पेश कएल जाएत आ जँ ओतहु सदनमें उपस्थित सदस्य मेंसँ २ तिहाई अहिके पारित करत तऽ अहिके अंतिम स्वीकृति के लेल राष्ट्रपति लग पठाओल जाएत । राष्ट्रपतिके स्वीकृतिके बाद सौमित्र सेनके पदस हटाओल जाएत ।

न्यायधिश सौमित्र सेनके ख़िलाफ़ पैसाके हेराफेरी आ तथ्य के ग़लत तरीक़ासँ प्रस्तुत करयके आरोप अछि ।

भारतके इतिहासमें पहिल बेर हाईकोर्टके कोनो न्यायाधीशके ख़िलाफ़ महाभियोग प्रस्ताव पारित कएल गेल अछि ।

सौमित्र सेन पऽ स्टील अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया आ शिपिंग अथॉरिटी ऑफ़ इंडिया के बीच अदालती विवादमें अदालतके रिसीवर रहितो क़रीब 33 लाख रुपयाके ग़लत इस्तेमाल के आरोप अछि ।

सप्तरीमे २ हजार घर डुवयके खतरामे


१ भदौ, राजविराज । मुसलाधार वर्षासँगै स्थानीय खाँडो नदीमे आएल बाढीसँ बान्ह टुटलाबाद आई सप्तरीके पाँच गाविसके २ हजारसँ बेसी घर डुवानमे परल अछि ।

बाढिके कारण रामपुर, मल्हानिया, तिलाठी, शंकरपुरा आ लौनिया गाविसके सर्वसाधारणके २ हजारसँ बेसी घर डुवानमे परल सप्तरी पुलिस जानकारी देलक अछि ।

वर्षा रुकितो नदीमे पानीके बहाव उच्च भेलासँ उद्धार कार्य सुरु करय समस्या भेल  पुलिसक कहब अछि ।

उद्धारके लेल घटनास्थल पहुँचल नेपाल आ सशस्त्र पुलिसक २ टा टोली डुवान क्षेत्रसँ किछ किलोमिटर एम्हरे रुकल छल । ओइ क्षेत्रमे बाढिके कारण टेलीफोन सम्पर्कसमेत बिच्छेद भेलासँ क्षतिके विवरण आबय  नहि सकल पुलिस जनौलक अछि ।

नेपाल विधुत प्राधिकरणक २६ हम् वार्षिकोत्सव


जनकपुरधाम भादव १ । नेपाल विधुत प्राधिकरण अपन २६ म वार्षिकोत्सव देश भरि आई बिभिन्न कार्यक्रमके आयोजन कऽ मनओलक अछि।
एहि क्रममे प्राधिकरणक क्षेत्रीय कार्यालय जनकपुर सेहो एहि अवसर पर बिभिन्न कार्यक्रमके आयोजन कएलक अछि।
प्राधिकरणक सह निर्देशक खेमानन्द चौधरीक सभापतित्व एवम उप प्रबन्धक रामप्रताप यादवक प्रमुख आतिथ्यमे एहि अवसर पर क्षेत्रीय कार्यालय जनकपुर बिभिन्न खेलकुदके आयोजन कएने छल।
प्राधिकरणक कर्मचारीसभक सहभागितामे खेललगेल डोरी तानएबला खेलमे सिरहा वितरण   केन्द्र प्रथम,जनकपुर द्धितीय आ लहान तृतीय भेल अछि।
तहिना म्यूजिकल चेयर रेसमे मलंगवा प्रथम,जलेश्वर द्धतीय आ लहान तृतीय भेल अछि।
कार्यक्रममे प्राधिकरणक अवकाश प्राप्त कर्मचारीके सम्मान सेहो कएलगेल प्राधिकरणक कर्मचारी संघ जनकपुरक अध्यक्ष जगदिश साह जानकारी देलन्हि अछि।

संयुक्त लोकतान्त्रिक मोर्चा आ नेपाली काँग्रेस बीच वार्ता


जनकपुरधाम भादव १ । सहमतिक सरकार निर्माणक लेल आई संयुक्त लोकतान्त्रिक मोर्चा आ नेपाली काँग्रेस बीच वार्ता भेल अछि ।

सहमतिक सरकारक निर्माणलेल मोर्चाक सभाकक्षमे भेल वार्तामे नेपाली काँग्रेस लोकतन्त्र प्रति अपन प्रतिवद्धताके स्मरण करबैत लोकतन्त्र आ सेना समायोजनकेँ लेल एकटा निष्कर्ष पऽ पहुँचय लेल समर्थनके मांग कएलक अछि ।
बैसारमे नेपाली काँग्रेस अपन उम्मेदबार शेर बहादुर देउवाके समर्थन करय मोर्चासँ आग्रह केने छल ।

एम्हर मोर्चाक नेतासभ कांग्रेसकेँ राज्य पुनः संरचना आ मधेशीके सेनामे सामूहिक प्रवेश करयके बारेमे स्पष्ट होबए लेल कहने बैसारमे सहभागी तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर जानकारी देलनि अछि ।

बैसारमे तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर, उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल, हृदेश त्रिपाठी, नेपाली काँग्रेसक सभापति सुशिल कोइराला, बरिष्ठ नेता शेर बहादुर देउवा सहितक सहभागी छलथि ।

अहिना काल्हि सहमतिक सरकार निर्माणक लेल  मोर्चा आ नेकपा एमाले बिच बार्ता होबय जा रहल अध्यक्ष ठाकुर जानकारी देलनि अछि ।

आई सेहो १ टा शव बरामद


जनकपुरधाम भादव १ । धनुषा आ सिरहाक सिमाना जोडएबला कमला नदीमे मँगल सांझमे भेल नाव दुर्घटनामे परि बेपता भेल मे सँ एखनि धरिमे ३ गोटेके शब मात्र भेटल अछि तऽ एखनो करीब आधा दर्जन ब्यक्ति हेरारहल अछि।

जिल्ला प्रहरी कार्यालय धनुषाक अनुसार आई सेहो १ टा शव बरामद भेल अछि । बरामद शव सिरहा जिल्लाक चिकना रहनियार १४ बर्षक जिवन यादवके रहल पुलिस जनौलक अछि । अहिसँ आगु बुधदिन सेहो सिंग्याहि मरान आ लक्कडसँ १-१ टा सब बरामद भेल छल । दुर्घटनाक बाद घटनास्थल पंहुचल सिरहा पुलिस -१३ गोटे आ धनुषा पुलिस ४ गोटे कऽ कऽ जम्मा १७ गोटेके उद्धार कएने छल । नावमे अन्दाजी २५-२६ गोटे सबार छल । जखनकी एखनो ५-६ गोटे बेपता अछि आ ओकरसभहक खोजि कार्य जारी रहल पुलिस जनओलक अछि।

धनुषाक सिंगयाही मडान,लक्कड, खजुरी, इनर्वा एवम सिरहाक कल्याणपुर, माडर,मिर्चैया,भेडीया सहितक स्थान पर एखनो वेपत्तासभक खोजि काज जारी रहल पुलिस जनओलक अछि । पुलिसक अनुसार सिरहासँ धनुषा आएल नाव साँझमे घुरि रहल समयमे बीच नदीमे पहुँचलाक बाद नाव टुटि गेलाक कारणेँ दुर्घटना भेल छल। नावमे सवार व्यक्तिसभ खेतीके क्रममे सिरहासँ धनुषा आएल पुलिस जनओलक अछि। 

धनुषाक सिंग्याहि मरानके कोयलपुर घाटसँ २५ गोटे यात्रिके लऽ कऽ सिरहा तर्फ जा रहल समय नाव मँगलके साँझमे दुर्घटना भेल छल ।

एम्हर धनुषाक इनर्वा लग कमला नदी कऽरहल ब्यापक बाँन्ह कटानके कारण इनर्वा वाड नम्बर १ के ४ टा आ वाड नम्बर २ के करिब १ सय घर डुबयके खतरामे रहल बताओलगेल अछि ।

बान्ह कटानके नियन्त्रण करय धनुषासँ सशस्त्र पुलिसक एक टोली ओइठामक लेल परिचालन कएल गेल जनाओलगेल अछि ।

फोटो सँसार






लडाकू बर्गिकरण कऽक सरकारक नेतृत्व लेब: अनन्त


१ भादव, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक नेता वर्षमान पुन अनन्त भादव १४ गते भितरमे लडाकू बर्गिकरण कऽक सहमतीय सरकारक नेतृत्व करय माओवादी तयार रहल बतौलनि अछि ।

समायोजनके मोडालिटी, संख्या, पुनःस्थापना प्याकेज, बैवाहिक अवस्था आ शैक्षिक अवस्थामे लचकता अपनाबयके आ आठ हजारके समायोजन करय जेहन विषयमे शीर्ष नेतासबबीच अनौपचारिक सहमति भऽचुकल कहैत ओ भादव १४ गतेधरि बर्गिकरण सम्पन्न होबय सकयके दावी कएलनि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे ओ संविधान निर्माणके काममे सेहो राज्यके पुनःसंरचना बाहेकके विषयमे मोटामोटी सहमति भऽगेल बतबैत माओवादीके नेतृत्वमे सहमतिके सरकार निर्माण होबयके प्रयाप्त आधार बनिगेल दावी कएलनि ।

सब राजनीतिक दलसबहक सहमति विना निकास नहि निकलत निष्कर्ष निकैल गेलासँ राष्ट्रपति देने समयसीमा भितरे सहमतिके सरकार बनयमे अन्नत विश्वास ब्यक्त कएलनि ।

ओ अखन माओवादीके नेतृत्व देबयके आ चुनावी सरकारक नेतृत्व कांग्रेसके उमेदवारके करय जका फेराफेरी प्रणालीसँ सहो सहमति कायम करय सकयके विश्वास ब्यक्त कएलनि ।

फोटो सँसार

facebook Page Like

  • मनोरँजन