Saturday, September 17, 2011

सरकारके असगरे 'रिग्रुपिङ' आगु नहि बढाबय माओवादी नेताके चेतावनी


काठमाडौं, भादव ३१ । माओवादी प्रमुख सचेतक देवप्रसाद गुरुङ सरकार अन्य राजनीतिक दलसबसँग सहमति नहि कऽ एकलौटी किसिम सँ लडाकुके 'रिग्रुपिङ आगु बढाओत तऽ ओ अवैद्य हाएत दाबी केलनि अछि ।

ओ एकलौटी रुपमे रिगु्रपिङ करत तऽ ओहन काज संबैधानिक आ कानुनी मान्यता नहि पाओत आ ओइसँ राजनीतिमे आरो बडका  शंका उत्पन्न करत ठोकुवा केलनि । नेता गुरुङ 'रिग्रुपिङ' करयके काज बडका नहि भेलासँ  ओइसँ आगु मोडालिटी आ पुर्नस्थापना प्याकेज सहितक विषयमे प्याकेजमे सहमति जुटाबयके सुझाव देलनि ।

 रिपोर्टर्स क्लवमे आइ ओ कहलनि जे सरकार निर्माणके सन्दर्भमे माओवादी आ मधेसी मोर्चाबीच भेल ४ बुँदे सम्झौता राष्ट्रघाति आ राष्ट्रिय स्वाधिनतामे दिर्घकालिन प्रभाव पारय सकयके भेलासँ ओइके खारेज या संसोधन करयके  तर्क केलनि ।

ओ ४ बुँदे सम्झौतामे रहल राष्ट्रघाति बुँदा संशोधन नहि करयधरि आ लडाकुके हतियार राखल कन्टेनरके चाबी बुझाबयके निर्णय फिर्ता नहि होबयधरि अपने समूह सरकारमे कोनो हालतमे नहि जाएत  स्पष्ट केलनि ।

ओ ४ बुँदामे रहल १० हजार मधेसीके सेनामे समूहगत समायोजन कऽक अलगे यूनिटके रुपमे राखयके, सिडियोमे रहल अर्धन्यायीक अधिकार अन्त्य कऽ मधेसमे अलगे सुरक्षा संरचना निर्माण करयके, नगरिकता वितरणके सरल बनाबयके आ पडोसी राष्ट्रके पेन्डीङ रहल प्रस्तावके पारित करय जेहन बात राष्ट्रघाती भेल दावी केलनि ।

एमाले पोलिटब्युरो सदस्य प्रकाश ज्वाला सरकार निर्माणके क्रममे भेल ४ बुँदे सहमति कोनो हालतमे कार्यान्वयन होबय नहि देबयके घोषणा केलनि । ओ ४ बुँदे समझौताके राष्ट्रघातीके संज्ञा दैत ओइके खारेजीमे एमाले सबदिन आवाज उठबैत रहत आ ओइके कार्यान्वयन होबय नहि देब बतौलनि ।

माओवादी असगरे शान्ति प्रक्रिया पूरा करय नहि सकतः ओली


३० भादव, काठमाडौं । नेकपा एमालेक नेता केपी शर्मा ओली कांग्रेस आ एमालेके बाहर राखि कऽ शान्ति प्रक्रिया पूरा नहि हाएत बतौलनि अछि । माओवादी दलसब सहमतिमे नहि आओत तऽ एकतर्फी रुपमे शान्ति प्रक्रिया आगु बढाबयके तयारी कऽ रहल समय नेता ओली माओवादीके एकल प्रयाससँ शान्ति प्रक्रिया पूरा होबय नहि सकत बतौलनि ।

एमाले बनेपा नगर कमिटीके सातम् अधिवेशनके आइ  उद्घाटन करैत ओली डेढ महिनाके समयमे शान्ति प्रक्रिया पुरा करय आ नयाँ संविधान जारी करय माओवादीके एमालेके निशर्त समर्थन रहत बतौलनि ।

‌ओ सरकार शान्ति आ संविधान निर्माणसँ बेसी प्रचारात्मक काम मात्रै केने टिप्पणी कएलनि । नेता ओली माओवादीक कारण राष्ट्रिय सहमतिके सरकार नहि बनल आरोप समेत लगौलनि ।

अहिबिच, ओली इलाजक लेल भारत प्रस्थान कएलनि अछि । आइ बेरियामे नयाँदिल्ली प्रस्थान केने आ एपोलो अस्पतालमे नियमित स्वास्थ्य परिक्षण करौताह हुनक सहयोगी इन्द्र भण्डारी जानकारी देलनि अछि ।

पाँच दिन भारत रहयके क्रममे नेता ओली उच्चस्तरिय राजनीतिक भेटवार्ता सेहो करताह बताओलगेल अछि ।

गृहके भ्रष्टाचार आ हस्तक्षेप मुक्त बनाएबः गच्छदार


विराटनगर, भादव ३१ ।  उपप्रधान तथा गृहमन्त्री विजयकुमार गच्छदार सब सुरक्षा निकाय आ गृहमन्त्रालयके भ्रष्टाचार  एवं राजनीतिक हस्तक्षेप मुक्त बनाबयके दाबी केलनि अछि ।

विराटनगरमे आइ सञ्चारकर्मीसबसँग बातचित करैत मन्त्री गच्छदार गृहसचिवके सरुवामे प्रधानमन्त्री आ आरो गठबन्धन दलसबसँग कोनो बिवाद नहि रहल बतौलनि । एक महिनाधरि सचिवके सरुवा नहि करयके प्रधानमन्त्रीके प्रतिबद्धता होइतो गृह मन्त्रालयके संवेदनशीलताके देख कऽ गृहसचिवके सरुवा केने कहैत गच्छदार अपने राजनीतिक हस्तक्षेप नहि करब आ भ्रष्टाचारके कहियो बढावा नहि देबयके दावी समेत केलनि ।

गृहमन्त्रालय आ मातहतके निकायमे भ्रष्टाचारके समाप्त करयके आ राजनीतिक हस्तक्षेपसँ सब क्षेत्रके मुक्त बनाबयके गच्छदारक कहब छलनि । वरिष्ठ प्रहरी उपरीक्षक आ प्रहरी निरीक्षकके अढाई वर्षसँ सरुवा नहि भेल कहैत मन्त्री गच्छदार जल्दिए सरुवाके मापदण्ड बनाएब मुदा सरुवामे अपने हस्तक्षेप नहि करयके दाबी केलनि ।

राजनीतिक आस्थाके आधारमे आ रकम लेनदेनके आधारमे पुलिसके उच्च अधिकारीसबहक सरुवा बढुवा होबयके चर्चा चलि रहल समयमे मन्त्री गच्छदार गृहमन्त्रालय मातहतमे भ्रष्टाचार भेल आ तस्करी भऽरहल जानकारी भेटत तऽ सार्वजनिक करय चुनौती देलनि ।

संस्थानमे खुल्ला प्रतिस्पर्धासँ पदाधिकारी नियुक्त करय लेखाके निर्देशन


३१ भादव, काठमाडौँ । व्यवस्थापिका संसदअन्तर्गके सार्वजनिक लेखा समिति सरकार मातहतके सार्वजनिक संस्थानसबमे कएल जाएबला राजनीतिक नियुक्ति तत्काल रोकय सरकारके निर्देशन देलक अछि ।

समिति मापदण्ड तय कऽ खुल्ला प्रतिस्पर्धाके आधारमे संस्थानसबके कार्यकारी प्रमुख सहितक पदाधिकारी नियुक्ति करय कहलक अछि । सिंहदरबारस्थित समितिके कार्यालयमे आइ बैसल बैसारसँ मन्त्रिपरिषद् कार्यालयके साथे अर्थ आ उद्योग मन्त्रालयके एहन निर्देशन देने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि अछि ।
बैसारसँ व्यवस्थापकीय कमजोरीके कारण दूरावस्थामे पहुँचल संस्थानसबके प्रगति विवरण प्रत्येक १५ दिनमे समितिमे बुझाबय सेहो सम्बद्ध पक्षके निर्देर्शन देल गेल अछि । यादवक अनुसार बैसारमे उपश्थित अर्थमन्त्री वर्षमान पुन समितिके निर्देशन सहि भेलासँ ओइके सरकार अक्षरसः पालना करयके प्रतिबद्धता जनौलनि ।

बैसारमे समिति अर्थमन्त्री पुन आ सचिव कृष्णहरि बाँस्कोटा तथा उद्योगमन्त्री महेन्द्र यादव आ सचिव एसपी कोइरालाके पुछताछक लेल बजाओलगेल छल । सभापति यादव सार्वजनिक संस्थानसबमे राजनीतिक आधारमे पदाधिकारी नियुक्त केला सँ भ्रष्टाचार आ अनयिमिताके घटना बढयके साथे सेवाग्राहीसँ निक सेवा नहि पौअने शिकायत अएलासँ नियुक्तिमे पारदर्शीता अपनाबय निर्देशन देलगेल बतौलनि ।


'पहिले लडाकु समायोजन बादमे संविधान'


काठमाडौ, भादव ३१ । कांग्रेस नेता रामचन्द्र पौडेल माओवादी लडाकुके समायोज नहि होबयधरि संविधान आबय नहि सकत बतौलनि अछि । ओ संविधानके लेल पहिले शान्ति प्रक्रिया पुरा करय परत बतौलनि ।

आइ भक्तपुरमे एक सहकारी संस्थाके कार्यक्रममे बजैत पौडेल कांग्रेस शान्ति या संविधानके लेल बाधक नहि रहल दावी केलनि । ओ कहलनि-'१२ बुँदे सम्झौता, वृहत शान्ति सम्झौता,अन्तरिम संविधान आ अनमिनके उपस्थितिमे भेल विभिन्न सहमतिसबहक पालना हूए से कांग्रेसले चाहने अछि ।'

माओवादी हतियार व्यवस्थापन आ शिविर खाली करयके सहमति विपरीत दायाँ बायाँ लागलासँ समस्या उत्पन्न भेल हुनक कहब छलनि । ओ संघीय गणतन्त्र नेपालके सूत्र बना कऽ संविधान निर्माणमे लागय परत बतौलनि ।

राष्ट्रपतिद्वारा प्रधानमन्त्री भट्टराईके प्रसंशा


३१ भादव, काठमाडौँ । राष्ट्रपति डा. रावरण यादव प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराईके प्रसंशा कएलनि अछि ।

शीतल निवासस्थित राष्ट्रपति भवनमे आइ भिन्सर भेल भेटवार्तामे राष्ट्रपति यादव प्रशासनिक संयन्त्रके सही परिचालन आ जनताके लेल लोकप्रिय कार्यक्रम लौनेमे प्रधानमन्त्री भट्टराईके प्रशंसा कएलनि अछि ।  राष्ट्रपति भटराइसँ कहलनि जे आँहा  रोल मोडलके रुपमे काम केने छी’, आँहाक लोकप्रिय कामसबसँ हम  मात्रे नहि कि पुरा देशक जनता खुसी अछि ।राष्ट्रपति प्रधानमन्त्री भट्टराईसँ अपने बहुत आशा केने सेहो बतौलनि ।

भेटमे राष्ट्रपति अपने देशके अभिभावक आ प्रधानमन्त्री भट्टराई कार्यकारी प्रमुख भेलासँ अपन अपन पार्टीगत पृष्ठभूमीसँ उपर उठि कऽ जनअपेक्षा अनुरुप राष्ट्रहितमे समर्पित होबयमे जोड देने बताओल गेल अछि ।

करिब एक घण्टाधरि भेल भेटमे प्रधानमन्त्री देशके पछिला राजनीतिक अवस्था, शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे भऽ रहल प्रगति, सरकार घोषणा केने राहत प्याकेज आ कामकारबाही तथा अपन आसन्न अमेरिका भ्रमणबारे राष्ट्रपतिके जानकारी करौने प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार राम रिझन यादव जानकारी देलनि ।

संयुक्त राष्ट्रसंघक ६६ हम् महासभामे भाग लेबय भट्टराई परसु २ गते १३ सदस्यीय नेपाली टोलीके नेतृत्व करैत न्यूयोर्क जाऽरहल छथि । बितल ११ भादवमे व्यवस्थापिका संसदसँ प्रधानमन्त्री निर्वाचित भेलाबाद भट्टराई राष्ट्रपतिसँग अलगे भेट कएने इ पहिल बेर अछि ।

सशस्त्र प्रहरीद्वारा पैघ परिमाणमे फटाका बरामद


३१ भादव, वीरगञ्ज । सशस्त्र प्रहरी पर्साके वीरगन्जसँ आइ पैघ परिमाणमे विस्फोटक फटाका बरामद केलक अछि ।

सशस्त्र प्रहरीके सीमा सुरक्षाबल पर्सासँ प्रहरी निरीक्षक लोकेन्द्र सुवेदीके नेतृत्वमे खटल गस्ती टोली वीरगन्ज बजार क्षेत्रके विभिन्न दोकानसबसँ २५ किलो फटाका बरामद केलक अछि । बरामद कएल गेल फटाका चिनी मिल स्थित सशस्त्र सीमा सुरक्षाबल कार्यालय परिसरमे नष्ट कएल गेल निरीक्षक सुवेदी जानकारी देलनि ।

दशमी आ शुकराती जेहन पावनि तिहार लक्चियाइत जाऽ रहल समय सीमावर्ती भारतीय बजार सँ पैघ परिमाणमे फटाका आ भुईंचम्पा जेहन घातक बिस्फोटक पदार्थ अवैध रुपमे नेपाल लाओल जा ऽ रहल अछि ।

पहाड ढहलाबाद रोल्पाके रुइनीबाङमे ७ के मृत्यु


रुइनीबाङ (रोल्पा), भादव ३१ । पूर्वी रोल्पाके रुइनीबाङ बजारमा पहाड ढहलाबाद घर पिचेलासँ  ७ गोटेके मृत्यु भेल अछि । आइ भिन्सर ३ बजे घर ढहलाबाद  ओतयके ६ टा घर पिचाएल अछि ।

पुलिसक अनुसार घटनामे परल १८ गोटेके घाइलके जिवितै उद्धार कएल गेल अछि ।

उद्धारमे  खटल स्थानीय स्वास्थ्यकर्मी अमृत घर्तीके अनुसार घटना होइते पुलिस तथा उद्धारकर्मीसब उद्धारमे खटल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन