Wednesday, November 30, 2011

अगहन मसान्तबाद सहमतिके सरकार बनतः पोखरेल


१४ अगहन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक सचिव शंकर पोखरेल अगहन मसान्तकबाद राष्ट्रिय सहमतिक सरकार बनत दावी कएलनि अछि ।

आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचिव पोखरेल कहलनि जे इ सरकारके शान्ति प्रक्रियाक तोकल बात पुरा करय अगहन मसान्तधरिके समय देबयके सहमति दलसबवीच भेल अछि । ओकरबाद सहमतिके सरकार बनत ।ओ प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई दलसबहक नेतृत्वमे सहमतिके सरकार बनय नहि सकत बतौलनि ।

एमाले सचिव पोखरेल नेपाली सेनाक मापदण्ड पुरा करयके रहलासँ समायोजन होबयबला लडाकुके संख्या सहमति भेल जका  ६ हजार ५ सय सेहो नहि पहुँचत ताहिमे आशंका ब्यक्त कएलनि । माओवादी भितरके अन्तरद्धन्द्धके कारण एक पक्ष समायोजनमे जाए निर्देशन देलासँ लडाकूसबहक संख्या बढल दावी कएलनि ।

सचिव पोखरेल वर्गीकरणके काज आगु बढितो जमिन फिर्ता, आ वाईसीएलके अर्ध सैनिक संरचनाक अन्त्य नहि भेल कहैत ओ अगहन मसान्तधरि इ विषयमे होबयबला प्रगतिसँ संविधान निर्माणके सुनिश्चित करयके धारणा रखलनि ।


सोनाके मोल केलक नयाँ रेकर्ड कायम


१४ अगहन, काठमाडौं । सोनाके भाउ आइ  नयाँ रेकर्ड कायम केलक अछि ।

सोन आइ तोलाके ५५ हजार ४ सय ९७ रुपैयाँमे कारोबार केने नेपाल सुनचाँदी व्यवसायी संघ जनौलक अछि ।

अहिसँ आगु सोनके भाउ तोलाके ५५ हजार ४ सय ४ रुपैयाँ पहुँचल छल । अन्तर्राष्ट्रिय बजारमे मोल बढिते नेपालमे सेहो बढल संघ जनौलक अछि ।

जनसेनाके योगदानके सरकार सम्मान करतः प्रधानमन्त्री


ज्ञानेन्द्र शर्मा

१४ अगहन, रोल्पा । प्रधानमन्त्री डा. बावुराम भट्टराई शान्ति स्थापनाक लेल जनमुक्ति सेना महत्वपूर्ण योगदान देने कहैत सरकार सेहो सम्मानक तयारी केने बतौलनि अछि ।

जनमुक्ति सेनाक पाँचम डिभिजनके स्थलगत निरीक्षणके लेल आइ रोल्पाके दहवन पहुँचल प्रधामन्त्री भट्टराई लडाकुसबसँगक भेटघाटक क्रममे इ बतौलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई दश बर्षे जनयुद्धसँ शान्ति निर्माण प्रक्रियामे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह करयके जनसेनासबके सरकार कदर करत कहैत जनसेनाक भबिष्य प्रति अपने पहल करयके प्रतिबद्धता व्यक्त कएलनि । नेपाली सेनाक हेलिकप्टरसँ आइ बेरियाक साढेँ १२ बजेबाद प्रधानमन्त्री सहित एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड आ सेना समायोजन विशेष समितिक सदस्यसब शिविर निरीक्षणके लेल दहवन पहुँचल छलथि ।

निरीक्षण टोलीमे प्रधानमन्त्री भट्टराई, माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड, एमाले महासचिव इश्वर पोख्रेल, माओवादी बिदेश बिभाग प्रमुख एवं स्थायी समिति सदस्य कृष्ण बहादुर महरा, सुचना तथा संचार मन्त्री जय प्रकाश गुप्ता आ जनसेना प्रमुख नन्द किशोर पुन पासाङ सेहो छलथि । लडाकू वर्गीकरण टोली प्रमुख एवं सचिवालय सदस्य सिंह बहादुर श्रेष्ठ आ पाँचम डिभिजनके सह कमाण्डर राजबहादुर बुढा अविनाश लडाकु सख्या आ अखनधरि भेल वर्गीकरणके बारेमे निरिक्षण टोली समक्ष रिर्पोटिङ पेश कएने छलथि ।

रिर्पोटिङके क्रममे सचिवालय सदस्य श्रेष्ठ २ हजार ४ सय ३० गोटे लडाकू रहल पाँचम डिभिजनमे २ हजार २ सय २५ गोटे वर्गीकरणमे सहभागिता जनौने बतौलनि । टोली कैलालीके तालबन्द, रोल्पाके दहवन, चितवनके शक्तिखोर सहितक शिविरमे निरीक्षण केने छल । निरिक्षण टोली शिविर निरीक्षणके क्रममे किछ माओवादी लडाकूसबमे देखलगेल असन्तुष्टि, स्वेच्छिक अवकासमे जाएबलासबके देबयबला रकम सहितक विषयमे स्पष्ट केने छल ।

रिपोर्टर डायरी विमोचन


१४ अगहन जनकपुरधाम । युवा पत्रकार सुजित कुमार झाद्वारा लिखित रिपोर्टर डायरी नामक नयाँ कृतिके एक कार्यक्रमक बिच आइ विमोचन कएलगेल अछि ।

डायरीके विमोचन मैथिली सिने क्षेत्रक चर्चित लेखक तथा निर्देशक मुरलीधर केलनि अछि । आफन्त नेपालक उपाध्यक्ष प्रदिप यादवक अध्यक्षतामे भेल विमोचन कार्यक्रममे धनुषाक स्थानिय विकास अधिकारी सुर्यकान्त झा, डा.विजय सिंह, पत्रकार महासंघ धनुषा शाखाक अध्यक्ष रामअशिष यादव, पत्रकार वृजकुमार यादव, श्यामसुन्दर शशि, असगर अलि, अयोध्यानाथ चौधरी सहितक वक्तासब डायरीके सम्बन्धमे अपन अपन धारणा रखने छलथि । अहि रिपोर्टर डायरीमे पत्रकारितासँग सम्बन्धित संस्मरण तथा दैनिकी रहल अछि ।

छात्रासबमे बरबराएके लक्षण भेटलाबाद परिक्षा स्थगित


रुपबहादुर विश्वकर्मा

१४ अगहन सर्लाही । सर्लाहीके कालिञ्जोरस्थित नेपाल राष्ट्रिय जनता उच्च माविके छात्रासबमे थरथराएके आ बरबराएके समस्या औलाबाद विद्यालयमे चलिरहल पहिल त्रैमासिक परिक्षा आइसँ स्थगित कएलगेल अछि ।

बितल सात गतेसँ अखनधरिमे ओहन  सात गोटे छात्रामे देखल गेलाबाद परिक्षा स्थगित कएलगेल विद्यालय जनौलक अछि । आइ भिन्सर सेहो ४ गोटे छात्रामे  एकेबेर एहन समस्या देखयमे आएल विद्यार्थी मनिष दाहाल जानकारी देलनि अछि ।

स्थानीयबासीसब भुत प्रेतक कारण एहन समस्या भेल आशंका करितो स्वास्थ्यकर्मीसब इ मास हिस्टेरियाक लक्षण रहल बतौलक अछि । अहिसँ आगु एहने लक्षण सिन्धुलीक एक बिद्यालयमे सेहो देखाइ देने छल । जकरबाद ओतय सेहो किछ दिनक लेल बिद्यालय बन्द कराओल गेल अछि ।

दक्षिण एसियाक सेक्सी महिलासब













ट्रकक ठक्करसँ तीन गोटेके मृत्यु


१४ अगहन जनकपुरधाम । पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्र्तगत धनुषा जिल्लाक पुष्पवलपुरमे ट्रकक ठक्करसँ तीन गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

पूर्वसँ पश्चिमदिस जाऽ रहल ना.३ ख ५६११ नम्बरक ट्रक पुष्पवलपुरमे पैदल यात्रुके ठक्कर देलाबाद २ गोटेके घट्नास्थलेमे आ एक गोटेके इलाजक लेल जनकपुर अञ्चल अस्पताल लबैत काल बाटेमे मृत्यु भेल अछि । ट्रकक ठक्करसँ पुष्पवलपुर८ निवासी  ५५ बर्षक अष्टबहादुर श्रेष्ठ आ वाड नम्बर ६ के सीमा घिसिङ्गके घटनास्थलेमे आ वाड नम्बर८ के ८ बर्षक रिमा लामाके जनकपुर अञ्चल अस्पताल लबैत काल बाटेमे मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

अहिना ट्रकक ठक्करसँ गम्भीर घाईल भेल रोशन श्रेष्ठके थप इलाजक लेल विराटनगर रेफर कएलगेल अछि । ठक्कर देनिहार ट्रक तथा चालक पुलिसक नियन्त्रणमे अछि । अहिबिच घटनाक विरोधमे स्थानियबासीसब पूर्वपश्चिम राजमार्ग अन्र्तगत धनुषाक पुष्पवलपुरमे बाट अवरुद्ध केने अछि ।

सिद्धी महाम्ब्रीके हट पोज







जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे धर्ना


१४ अगहन जनकपुरधाम । जनकपुर चुरोट कारखानाक मजदुरसब आइ २ घण्टा धर्ना देलक अछि ।

पुर्व घोषित कार्यक्रम अनुसार जचुकालिके मजदुरसब जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे आइ २ घण्टा धर्ना देलक अछि ।

आइ दुपहर करिब  १२ बजेसँ २ बजेधरि धर्ना देने बताओलगेल अछि । धर्ना देबयसँ पहिने मजदुरसब जुलुश सहित नगरक बिभिन्न भागक परिक्रमा करैत जिल्ला प्रशासन कार्यालय पहुँचल छल । अहिसँ आगु ओसब १ घण्टा धर्ना दैत आबिरहल छल ।

बन्द रहल फैक्ट्रीके सँचालन , कर्मचारीसबके बाँकी बक्यौता रहल दरमाहा देबयके सहितक बिभिन्न माँग रखैत मजदुरसँगठन धर्ना देने बताओलगेल अछि । शिघ्र माँग पुरा नहि भेल तऽ बादमे धर्नाक समय बढाबयके आ ओहुँस नहि हाएत तऽ आओर शसक्त कार्यक्रमसब करयके मजदुर सँगठन चेतावनी सेहो देने अछि ।

फरार रहल एक गोटे गिरफ्तार


नागेन्द्र कर्ण
जलेश्वर, अगहन १४ । लम्बा समयसँ ज्यान मारयके मुद्दामे फरार रहल  एक गोटेके महोत्तरी पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

गिरफ्तार होबयबलामे महोत्तरी सहसौला३ के फेकन मण्डल खत्वेके २३ बर्षक बेटा विजय मण्डल खत्वे रहल अछि । ओकर सँगसँ पुलिस दु राउण्ड गोली सेहो बरामद केने जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी नायव उपरिक्षक केदार खनाल जानकारी देलनि । ओकरा रामगोपालपुर७ दोलाढीसँ गिरफ्तार कएल गेल अछि ।

याह साउन ७ गते वायह गाविस रहनियार विजय मण्डलके गोली प्रहार कऽ घाइल बना कऽ ओ  फरार भऽ गेल छल । फरार रहल मण्डलके खोजतलाशके क्रममे पौअने सुचनाक आधारमे गिरफ्तार कएल गेल अछि । ओ समयमे गोली प्रहारक जिम्मा जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा राजनमुक्ति समुह लेने छल । ओ सेहो वायह समुहमे संलग्न रहल होबय सकबाक कहैत थप पुछताछ भऽ रहल जनाओलगेल अछि ।

अहिबीच महोत्तरीक बर्दिवासमे पशु प्रचार करयके उद्देश्यसँ पाँच दिना पशु बजार मेला शुरु भेल अछि । मेलामे महोत्तरी सहित आसपासक जिल्ला तथा भारतीय बाजारसबसँ समेत व्यापारीसबहक उल्लेख्य उपस्थित रहल बजार सञ्चालक समितिक अध्यक्ष कृष्ण देवकोटा जानकारी देलनि । पशु बजार मेलामे गाई, बरद, पाडा, महिस, खसी बकरी बिक्रिके लेल राखल अछि । मेलामे करोडौंके कारोवार होयबाक  अपेक्षा समिति केने अछि ।

कांग्रेस पदाधिकारीक बैसार स्थगित


१४ अगहन, काठमाडौँ । भातृ संस्था विघटनके बाद सुरु भेल पार्टी विवाद समाधानक प्रयासमे आइ बैसत कहलगेल नेपाली कांग्रेसक पदाधिकारी बैसार अन्तिम समयमे आबि कऽ स्थगित भेल अछि ।

सभापति सुशील कोइराला बजौने बैसार आवश्याक तयारी नहि पहुँचल कहैत स्थगन कएलगेल अछि । बैसार काल्हि भिन्सर बैसत बताओलगेल अछि । बैसारमे पदाधिकारीके अलावा दुनु दिसक किछ प्रभावशाली नेतासबके सेहो बजाओलगेल अछि । भातृ संस्था विघटन विवाद सोझराएके बदला आओर ओझराएलाबाद वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्ष किछ दिन आगु केन्द्रीय समितिक बैसार सेहो  बहिस्कार केने छलथि ।


सतर्कता केन्द्रसँ काठमाडौँ जिविसमे छापा


१४ अगहन, काठमाडौँ । राष्ट्रिय सतर्कता केन्द्र आइ भिन्सर जिल्ला विकास समितिक कार्यालय काठमाडौँके लेखा शाखामे छापा मारलक अछि ।

छापा मारयके क्रममे केन्द्र कार्यालयसँ महत्वपूर्ण कागजपत्रसब नियन्त्रणमे लेलक अछि । विकास निर्माणक काममे आर्थिक अनियमितता भेल आशंकामे छापा मारलगेल विभाग जनौलक अछि । राजधानीमे निर्माणाधीन विभिन्न सडक निर्माणक क्रममे आर्थिक हिनामिना भेल उजुरी आ शिकायत एलाबाद सतर्कता केन्द्र छानविन प्रकृया आगु बढौने अछि ।

३ सय १५ किलो गाँजा सहित एक ट्रक प्रहरी नियन्त्रणमे


सुरेश बिडारी

१४ अगहन सर्लाही । सर्लाहीके हरिवनसँ आइ कएल गेल चेकजाँचक क्रममे पुलिस करिब ३ सय १५ किलो गाँजा बरामद केलक अछि ।

पूर्वसँ पश्चिम जाऽ रहल ना २ ख ५२८ नम्बरक ट्रकसँ चेकजाँच करयके क्रममे ओ परिमाणमे गाँजा भेटल इलाका प्रहरी कार्यालय हरिवन जनौलक अछि । जाडके समयमे प्रयोग होबयबला जैकेट स्विटर सहितक फेन्सीके समानसब रहल ओ ट्रकमे शंका लगला पर चेक जाँच करयके क्रममे करिब ३ सय १५ किलो अबैध लागु औषध गाँजा बरामद कएल गेल इलाका प्रहरी कार्यालय हरिवनके प्रहरी नायब निरिक्षक सन्तोष बुढाथोकी जानकारी देलनि ।

शंकास्पद ट्रकके काल्हिए साँझ हरिवन ५ नयाँरोडसँ नियन्त्रणमे लेलगेल रहितो राति भेलासँ आइ भिन्सर मात्रे चेकजाँच कएलगेल हुनक कहब छलनि । ट्रकके चालक आ सहचालक फरार रहलासँ खोजी भऽ रहल पुलिस जनौलक अछि ।

संसदक बैसार बैसय जाऽ रहल


१४ अगहन काठमाण्डौ । व्यवस्थापिका संसदक बैसार आइ सेहो बैसय जाऽ रहल अछि ।

बेरियाक ३ बजेबाद बजाओलगेल बैसारमे काल्हि संसदमे संविधानसभाक म्याद बढाओलगेल विधेयकमे राष्ट्रपति कार्यालयसँ प्रमाणीकरण कएलगेल पत्र पढि कऽ सुनाबयके कार्यसूची अछि । दलसब सहमति अनुसार संविधानसभाक म्याद ६ महिना बढौलाबाद आब ४ वर्ष पहुँचल अछि । दु वर्षमे संविधान बनाबय जका अन्तरिम संविधानमे उल्लेख रहितो दलसब १२ बेरधरि संशोधन कऽ क ४ वर्ष पहुँचौने अछि ।

बढाओलगेल समयमे संविधान बनाबयके विकल्प नहि अछिः नेम्वाङ


१४ अगहन काठमाण्डौ । संविधानसभाक अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ बढाओलगेल ६ महिनामे संविधान बनयके आधार तयार भेल बतौलनि अछि ।

संविधान निर्माणक लेल ६ महिना पर्याप्त भेलासँ जेठ १४ बादक अवस्थाके लऽ विवाद करयके कारण नहि रहल हुनक कहब छलनि । सभाध्यक्ष नेम्वाङ शान्ति प्रक्रियाके काम ठीक ढंगसँ आगु बढिरहलासँ संविधान बनयके निश्चित रहल बतौलनि ।

राज्यपुनर्संरचना आयोग प्रतिवेदन तयार करैत कालधरि संविधानक बाँकी विबादित विषयमे सहमति जुटाओल जाएत ओ बतौलनि । काल्हि भिन्सर बैसयबला संवैधानिक विबाद समाधान उपसमितिक बैसारसँ संविधान निर्माणक नयाँ कार्यतालिका बनाओल जाएत ओ जानकारी देलनि । शान्ति प्रक्रियाके कारण विगतमे संविधान निर्माण कार्यक्रममे अबरोध सृजना भेलाबाद आगामी दिनमे ओहन अवस्था नहि आओत विश्वास ब्यक्त कएलनि । संविधान निर्माणक लेल राज्यपुर्नसंरचनाके विषय चुनौतिपूर्ण होइतो आयोग सबके स्वीकार्य होबय जेहन प्रतिवेदन तयार करत ठोकुवा कएलनि ।

दैलेखमे अन्तर्जातिय विवाहमे बाधा पहुँचाबयबलाके आठ महिना जेलक सजाय


१४ अगहन, दैलेख । दैलेख जिल्ला अदालत दैलेखम अन्तर्जातीय विवाह केने जोडीक सम्बन्ध तोरयबला ६ गोटेके प्रति ब्यक्ति पाँच-पाँच हजार जरिवाना आठ-आठ महिना जेल सजाय सुनौलक अछि

दैलेखक जगनाथ गाविस वड नं. ६ निवासी अमृत विक वायह ठामक सविता शाहीक अन्तर्जातीय विवाहके जातीय हिसाबसँ ठीक नहि रहल कहैत लडकाके पिट कऽ भाग बाध्य बनौने आ लडकीके अपने जातिके दोसर लडकासँग विवाह करौने मुद्दाम जिल्ला न्यायाधीश नारायणप्रसाद धितालक एकल इजलाससँ इ सजाय तोकने अछि । अन्तर्जातीय विवाह केने जोडीक सम्बन्ध तोरनाइ जातीय विभेद रहल कहैत जगनाथ गाविस वड नं. ६ क रामबहादुर शाही, चक्रबहादुर शाही, पदमबहादुर शाही, ओमजङ्ग शाही, कुवेरजङ्ग शाही केशव शाहीके सजाय तोकने अदालतक श्रेस्तादार अधिकृत कृष्णप्रसाद नेपाल जानकारी देलनि

facebook Page Like

  • मनोरँजन