Friday, October 21, 2011

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक एक टोली महोत्तरीमे


जलेश्वर, कात्तिक ४ गते । जिल्ला विकास समिति महोत्तरीमे भेल व्यापक भ्रष्टाचारक छानवीन करय अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक एक टोली महोत्तरीमे आई छानविन शुरु केलक अछि ।

अख्तियार दुरुपयोग अनुसन्धान आयोगक सहसचिव उपेन्द्र पौडेलक संयोजकत्वमे आएल ६ सदस्यीय टोली जिविस महोत्तरीमे भेल भ्रष्टाचारक छानवीन शुरु केलक अछि ।

जिल्ला विकास समितिसँ सञ्चालित विभिन्न योजनासब कागजमे सम्पन्न भेल, योजनाके निर्णय प्रक्रिया, कार्यान्वयन प्रक्रिया आ स्टीमेट अनुसार काम नहि भेल तथा सरकारी अनुदान दुरुपयोग भेल कहैत अख्तियारमे एक दर्जनसँ बेसी उजुरी विभिन्न संघसंस्था आ नागरिक समाज देलाबाद ओइके छानविन टोली शुरु केलक अछि ।
ओ संघसंस्थासब जिविसके प्राविधिक, कर्मचारी आ किछ दलिय संयन्त्रके नेतासब कागजमै ग्रामिण विद्युतिकरण, पुलपुलेसा, एक दर्जनसँ बेसी ग्रामिण सडक, खानेपानी तथा सरसफाई, एलजीसिडीपी, पिछडावर्ग, मुस्लिम उत्थानवर्ग सहितक योजनासब सम्पन्न कऽ रकम अनियमितता केने कहैत छानविनक लेल अख्तियारमे उजुरी देने छल ।

पाण्डेके रजिष्ट्रारमे यथावत् राखय सर्वोच्चके निर्देशन


४ कार्तिक, काठमाडौं । सर्वोच्च अदालत डा. निरोज पाण्डेके नेपाल इन्जिनियरिङ परिषद्क रजिष्ट्रारमे यथावत् राखय सरकारके नाममे अन्तरिम आदेश जारी केलक अछि ।

न्यायाधीश प्रकाश वस्तीके एकल इजलाससँ सरकारक बितल आसिन १५ गतेके निर्णय आगामी पुस २६ गतेधरि कार्यान्वयन नहि कराबय काल्हि आदेश केलक अछि ।

४ वर्षक पदावधिके लेल २०६४ साल पुस २७ गते ओ परिषद्के रजिष्ट्रार पदमे नियुक्त भेल डा पाण्डेके हटा कऽ सरकार इन्जिनियर ज्ञानेन्द्र कुमार झा के नियुक्त केने छल ।

वर्तमान सरकारक काम सन्तोषजनक नहि अछिः बादल


४ कार्तिक, तनहुँ । एकीकृत नेकपा माओवादीक महासचिव रामबहादुर थापा बादल पार्टी नेतृत्वके वर्तमान सरकारक काम सन्तोषजनक नहि रहल बतौलनि अछि ।

सरकार गठन भेल ४५ दिन बितय लगितो कोनो ढँगर काज करय नहि सकल कहैत ओ जनताके सरकारक मूल्याङ्कन करयके समय आएल बतौलनि ।

तनहुँके दमौलीमे आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे महासचिव थापा इ सरकारक मूल्याङ्कन पार्टीसँ  इ नहि भेल ओ नहि भेल कहि कऽ दोष लगाबय सँ बेसी जनता स्वँय मूल्याङ्कन कऽ रहल बतौलनि अछि । ओ शान्ति, संविधान आ जनपक्षीय काम करब कहि डा. बाबुराम भट्टराई सरकारमे जाइतो अहिबीचमे राजधानीएमे पुलिसक आगु मुस्लिम सङ्घक महासचिव फैजान अहमदके हत्या भेल आ रक्षामन्त्री राष्ट्र टुक्रयाबयके अभिव्यक्ति देने घटनासँ सरकारक गतिविधि सन्तोषजनक नहि रहल धारणा रखलनि ।

दोसर एक प्रशंगमे माओवादी महासचिव वादल पार्टी भितरके बहस पार्टी फुटाबयके कि जुटाबयसँ बेसी देशमे देखलगेल ज्वलन्त विषयके बारेमे केन्द्रित रहल जानकारी देलनि ।

नेपालमे लगानी करय भारतीयसँ आहृवान


४ कार्तिक, नयाँ दिल्ली । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई सुरक्षा देबय सरकार तयार रहल कहैत नेपालमे लगानी करय भारतीय लगानीकर्तासबसँ आहृवान कएलनि अछि ।

भारतीय उद्योगीसबके सम्वोधन करैत प्रधानमन्त्री भट्टराई उद्योग तथा लगानी सुरक्षाके सरकार प्रमुख प्राथमिकतामा रखने कहैत निश्चिन्त भऽ नेपालमे लगानी करय आहृवान कएलनि । ओ नेपालमे लगानी प्रवर्धन आ सुरक्षाके लेल नेपाल आ भारतबीच बिमा तथा दोहोरा कर हटाबयके प्रावधानसहितके सहमति  होबय लागल समेत जानकारी देलनि ।

ओ लगानीके वातावरण निर्माणक लेल सरकार सन् २०१२ के लुम्बिनी भ्रमण वर्ष घोषणा कऽ चुकल आ सन् २०१२/१३ के लगानी वर्ष घोषणा करयके तयारी कऽ रहल  बतौलनि अछि । प्रधानमन्त्री डा. भट्टराई नेपाल निर्माणक चरणमे प्रवेश कऽ चुकल कहैत निजी क्षेत्रसँग सहकार्य कऽ क आगु बढयके प्रतिवद्धता जनौलनि ।

कार्यक्रममे नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघक अध्यक्ष सुरज बैद्य सेहो नेपालमे लगानी करय आहृवान कएलनि ।

पेस्तोल सहित ३ गोटे गिरफ्तार


 ४ कातिक बारा । बारा पुलिस नलकटुवा पेस्तोल सहित ३ गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।

बाराके गंजभवानीपुर स्थित पुलिस चौकी चेकजाँचक क्रममे बरियारपुर ९ के अनिल गिरी, बरियारपुर ६ के चन्द साह आ बरियारपुर गाविस वाड नम्बर २ के जितेन्द्र गिरीके गिरफ्तार केने पुलिस जनौलक अछि । बरियारपुर ७ के अरुण साहके घरसँ चोरी कऽ भागयके क्रममे बितलराति ओकरासबके गञ्जभवानीपुरक पुलिस गिरफ्तार केने प्रहरी नायब उपरिक्षक अनुराग द्विवेदी जानकारी देलनि । ओ सब चोरा कऽ लऽ गेल क्यामरा, मोवाइल, सोन चादीके गरगहना आ नगद सेहो बरामद कएलगेल द्विवेदीले बतौलनि ।

२ पक्षबिच भेल झडपमे २ गोटे गम्भिर घाइल


४ कातिक , जनकपुरधाम । धनुषाक बडहरी बजारमे बितलराति २ पक्षबिच भेल झडपमे २ गोटे गम्भिर घाइल भेल अछि ।

घाइल होबयबलामे जमुनीबास २ के अन्दाजी २० बर्षक सुरज महतो आ बिरेन्द्र महतो रहल अछि । बितल राति करिब ११ बजेदिस बडहरी बजारमे सोम बहादुर श्रेष्ठक घरमे इ दुनुगोटे माछ पकाबय लेल देने छल । बादमे दलबल सहित ओतय पहुँचल बेँगाडाबर ६ के मुकेश लामा माछ पकाबय नहि देब कहैत उत्पन्न भेल बिबाद उग्र रुप लेलाबाद  लामा दबिया प्रहार कऽ महतोद्धय दुनु गोटेके गम्भीर घाइल बनौने अछि । सुरजके दुनु हात कटाएल अछि तऽ बिरेन्द्रके माथ आ टाङमे गम्भिर चोट लागल प्रहरी नायब निरिक्षक रत्न पौडयाल बतौलनि अछि ।

घाइल दुनु गोटेके इलाज धरान स्थित बिपि कोइराला मेमोरियल अस्पतालमे भऽ रहल अछि तऽ दबिया प्रहार करयबला लामा ढल्केवर पुलिसक नियन्त्रणमे रहल बताओल गेल अछि ।

लागुऔषध सहित एक गिरफ्तार


जलेश्वर, कातिक ४  लागु औषध सहित आइ महोत्तरीके सोनामाईसँ पुलिस एक गोटेके गिरफ्तार केलक अछि ।
गिरफ्तार होबयबलामे धनुषा बटेश्वर ६ के ब्रहमानन्द कुशवाहा रहल अछि । भारतक कन्मा नाकासँ साइकलमे तस्करी कऽ रहल समय स्पास्मो क्याप्सुल ८३ थान नेटरोमेक्स १० थान, न्यूरो किड ८४ थान, एलवेन ४० बोतल, सोनानामक दबाइ ४८ थान, रेफकोफ १ सय ४९ थान, रिलिफ १८ थान, लागु औषध सहित कुशवाहाके सोनामाई ४ स्थित सडकसँ चेकजाँचक क्रममे गिरफ्तार कएल गेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय महोत्तरीक प्रहरी नायव उपरीक्षक केदार खनाल बतौलनि अछि ।

अहिना लाबारिश अवस्थामे फेकल ५ सय २८ पीस स्पास्मो क्याप्सुल आ १५ बोतल कोरेक्स बोतल लागु औषध मेधनाथ गोरहन्नामे पुलिस वरामद केलक अछि ।

महोत्तरीके मटिहानी, भिठामोड, सम्सी, रधुनाथपुर, खैरबन्नी, बथनाहा नाकासँ लागुऔषध व्यापक मात्रामे तस्करी होइत अबैत अछि ।

पेरूमें फटाका गाड़ीमे विस्फोट, १८ गोटेके मृत्यु


४ कातिक पेरु । पेरूमें २ टा अलग-अलग घटनामे फटाका लऽ जा रहल गाड़ीमे आगि लगलाबाद कम स कम १८ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

पहिल घटनामें केंद्रीय पेरूमें एक राजमार्ग पऽ फटाका लऽ जा रहल एकटा छोटका बसमें विस्फोट भेल छल जाहिमे १४ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

अहिसँ पहिने जूलियाके शहरमें फटाकासँ भरल एकटा गाड़ीके नियन्त्रणमे लऽ कऽ जाऽ रहल ४ गोटे पुलिसके ओ विस्फोटमें मृत्यु भेल अछि ।

लीबियामें पूर्व शासक कर्नल मुअम्मर गद्दाफ़ीके मृत्यु


४ कातिक लिबिया । लीबियामें पूर्व शासक कर्नल मुअम्मर गद्दाफ़ीके सिर्तमें हुनक वफ़ादार अंतरिम सरकारके सैनिके बीच भेल  दुतर्फी भिडन्तमे मृत्यु भेल अछि ।

कार्यवाहक प्रधानमंत्री महमूद जिब्रील बतौलनि जे अंतरिम सरकारके सैनिक आ गद्दाफ़ीके वफ़ादार सेनाके बीच भेल भिडन्तमे गद्याफीके माथमे गोली लागल छल ।
ओ इहो बतौलनि जे कर्नल गद्दाफ़ीके जिबिते पकड़ल गेल छल मुदा अस्पताल  लऽ जाएके क्रममे हुनक मृत्यु भेल छल ।

नैटो हमलके संचालक एक बैसार कऽ लीबियामें बम हमलाके समाप्त करयके घोषणा केलक अछि ।

अहिके सँग ४२ सालसँ शासन करैत आएल कर्नल गद्दाफ़ीके डरक शासन माप्त भेल अछि ।
गद्दाफ़ीके कएल गेल एक सावर्जनिक वीडियोमे गद्दाफ़ीके सड़क पर घिसयबैत देखाओल गेल अछि । अल-जज़ीरा टेलीविज़न पर प्रसारित वीडियो फ़ुटेजसपता चलय नहि सकल अछि जे घिसियाबयके समय ओ जिबेते छल या मृत्यु भेल छल ।
अहिबिच अमरीकाके राष्ट्रपति बराक ओबामा कहलनि जे कर्नल गद्दाफ़ीके मृत्यु सँ लीबियाके लोगके लेल लंबा आ दर्दनाक अध्याय समाप्त भेल अछि ।


प्रधानमन्त्रीक औपचारिक भेटघाट सुरु, भारतीय विदेशमन्त्रीसँग भेटवार्ता सम्पन्न


४ कातिक , नयाँ दिल्ली । प्रधानमन्त्री डाक्टर बाबुराम भट्टराई आइसँ अपन औपचारिक भेटवार्ता सुरु कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई आ भारतक विदेशमन्त्री एसएम कृष्णाबीच किछुएकाल पहिने भेटवार्ता सम्पन्न भेल अछि । भट्टराई रहल होटेल लिला प्यालेसमे भेल भेटमे नेपालक शान्ति प्रक्रिया, संविधान निमार्ण प्रक्रिया आ दु पक्षिय हितके बारेमे बिमर्श भेल विदेशमन्त्री कृष्णा जानकारी देलनि । ओ शान्ति आ संविधान जल्दिए पुरा होए से अपने आशा रखने आ प्रधानमन्त्री जल्दिए पुरा करयके आश्वासन देने बतौलनि । विदेशमन्त्री कृष्णा नेपालमे भारत करयबला लगानी, सीमा समस्या सहितक बिषयमे बातचित भेल जानकारी देने छलथि । ओ एअर मार्सल आ विभिनन सन्धी सम्झौता सहितक बिषयमे दु देशक प्रधानमन्त्रीके आपसमे बिमर्श करयके जानकारी सेहो देलनि ।

 भट्टराईके आइए भारतीय राष्ट्रपति प्रतिभा पाटिल आ प्रधानमन्त्री मनमोहन सिंहसँग हैदरावाद हाउसमे भेटवार्ता करयके कार्यक्रम रहल अछि । भारतीय प्रधानमन्त्री सिंहसँग साँझ साढे ६ बजे हैदराबाद हाउसमे भेटवार्ता करयके कार्यक्रम रहल अछि । भारतीय समकक्षी सिंह प्रधानमन्त्री भट्टराईके सम्मानमे रात्रिभोजक आयोजना कएने छथि ।

प्रधानमन्त्री भट्टराई आइए भारतक उपराष्ट्रपति हमिद अन्सारी,सत्तारुढ दल काङ्ग्रेस आईके अध्यक्ष सोनिया गान्धि, अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी  सहितकसँग सेहो भेटवार्ता करताह ।

अहिबीच, लगानी प्रवद्र्धन तथा संरक्षण सहमति, दोहोरा कर हटाबयके प्राबधान सहितक सहमति आ २५ करोड डलरके सहुलियत दरके ऋणसम्बन्धी सम्झौतामे सेहो हस्ताक्षर हाएत ।

कार्यकर्ता गिरफ्तार केने विरोधमे कांग्रेसद्वारा धरान बन्द


४ कात्तिक, काठमाडौँ । अकारण अपन तीन कार्यकर्ताके पुलिस गिरफ्तार केने कहैत नेपाली कांग्रेस आ तरुण दल सुनसरीके धरान बजार बन्द करौलक अछि ।

बन्दक कारण धरानबजार ठप्प अछि तऽ शैक्षिक प्रतिष्ठान आ कलकारखाना बन्द अछि । बन्दकर्तासब भिन्सरेसब शहरके चोकचोकमे जम्मा भऽ क नारावाजी आ प्रदर्शन केलक अछि । धरान पुलिस नेपाल तरुण दलक कार्याकर्ता लबकुमार राई, योगेन राई आ राजकुमार भुजेलके एक गोटेके हत्याके अभियोगमे काल्हि गिरफ्तार केने छल ।

ईलाका प्रहरी कार्यालय धरानक प्रमुख प्रहरी नायव उपरीक्षक राजेन्द्र विष्ट राईद्वय आ भुजेल हत्या, लुटपाट आ डकैतीके घटनासबमे संलग्न रहलासँ गिरफ्तार कएल गेल बतौलनि   कतबो पैघ राजनीतिक दबाब आएत तयियो हुनकासब विरुद्ध हत्या अभियोगमे मुद्धा चला कऽ छोडब विष्टक कहब छलथि ।

गद्दाफ़ीके तस्विरसब

सितंबर 1969 में खिचल गेल इ तस्वीर । जहिया किछुए हफ़्ता पहिने गद्दाफ़ी  लीबियाके राजा इदरीसके तख्ता पलट कऽ सिर्फ़ 27 वर्षके उमेरमे गद्दाफ़ी लीबियाके प्रमुख नेता बनल छलथि ।


आखिरकार सैनिक त्रिपोलीमें घुसि गेल आ अंतरिम प्रशासनके सैनिक गद्दाफ़ीके राजधानी सँ भगा देलक । बादमे गद्दाफ़ीके परिसर बाब अल अज़ीज़ियाके नष्ट कऽ देलक ।
  
लिबियाक शासक कर्नल मुअम्मर गद्याफी

facebook Page Like

  • मनोरँजन