Sunday, April 10, 2011

ईन्डियन प्रिमियर लिग

चैत २७ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत  मुम्बइ इन्डियन  आ दिल्ली डेयर डेभिल्स बिच आइ भेल खेलमे  मुम्बइ इन्डियन ८ बिकेटसँ जित हासिल केलक अछि ।
दिल्ली डेयर डेभिल्स टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत निर्धारीत २० ओभरक खेलमे १७ ओभर ४ बलमे सम्पुर्ण  बिकेटक नोक्सानमे ९५ रन मात्र बना कऽ मुम्बइ इन्डियन  समक्ष ९६ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल ।
प्रतिउत्तरमे उतरल मुम्बइ इन्डियन  निर्धारित २० ओभरक खेलमे १६ ओभर ५ बल खेलैत २ बिकेटक क्षतिमे जित हासिल करय सफल भेल अछि ।

अहिना ,  ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत अखन भ रहल  खेलमे किङ्गस एलेभन पँजाब, पुणे वेरियर्स  समक्ष  ११३    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि । 
किङ्गस एलेभन पँजाब टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत    बिकेटक क्षतिमे ११२   रन बनौलक अछि ।


कांग्रेस बैसारमे महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव


२७ चैत, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला पार्टीके भ्रातृ संगठन महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव कएलनि अछि ।
पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापतिके निर्देशनमे विवाद समाधान समितिक सदस्य बलबहादुर केसी म्याद समाप्त भेल महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव कएलनि अछि । संगठनके जुझाउ बनाबय सेहो विघटन करय परल हुनक कहब छलनि ।
सभापति कोइराला पक्षधर म्याद समाप्त भेल भ्रातृ संगठनसभ विघटन करयके आ अन्यके समयमै महाधिवेशन करय निर्देशन देबयके योजनामे अछष त वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधर ओइके विपक्षमे रहल अछि ।
अइस आगु नेवि संघ विघटन करयके प्रस्तावमे विवाद भेल छ । विवादकै क्रममे नेवि संघक अध्यक्ष प्रदीप पौडेल पदसँ राजीनामा देने छलथि ।

खिचापोखरीमे व्यापारी उपर गोली प्रहार


२७ चैत, काठमाडौं । काठमाण्डौके खिचापोखरीमे व्यापारी अञ्जनीकुमार चाचन पप्पु उपर गोली प्रहार भेल अछि ।
कोख आ हातमे गोली लागल पप्पुके वीर अस्पतालमे इलाज  भऽरहल अछि । छालाके ब्यागके व्यापार करैत आएल चाचनके गोल्छा हाउससँगै जोडल घरके प्यासेजमे बैसल अवस्थामे गोली प्रहार कएल गेल अछि ।
लाइन कटल समयमे आएल समुह गोली प्रहार केने पुलिस जनौलक अछि ।

वाड समिति चयन


जनकपुर, चैत २७ । तमलोपा पार्टी जनकपुर वाड नम्बर १४ मे वाड समिति चयन केलक अछि ।
जाहिके अध्यक्षमे सोभित यादब, उपाध्यक्षमे देबन मुखिया, सचिवमे मदन राउत आ कोषाध्यक्षमे बिणा देवी महतो रहल अछि ।
अहिना,  सदस्यसभमे राम प्रसाद ठाकुर, राज किशोर मँडल, सुभाष ठाकुर सहितक २१ सदस्यीय रहल अछि ।

मातृभाषा मैथिली बचाउ अभियान सँचालन करबाक निर्णय


जनकपुर, चैत २७ ।  जनकपुरमे एक दर्जनसँ बेसी सँघ सँस्थाक बैसल बैसारसँ मातृभाषा मैथिली बचाउ अभियान सँचालन करबाक निर्णय कएलगेल अछि ।
जनकपुरक रामानन्द युवा क्लबमे सम्पन्न ओ बैसारसँ  राष्ट्रिय जनगणना २०६८ मे मातृभाषाक रुपमे मैथिली लिखबाक लेल बृहत जनचेतना आ प्रचार मुलक कार्यक्रम सँचालन करबाक निर्णय कएल गेल अछि ।
बैसारमे किछ मधेसबादी दलसभद्धारा हिन्दीके मातृभाषा लिखबाक देलगेल अभिब्यक्ति प्रति ध्यानाकर्षण भेल जनबैत मैथिलीके बिरोधमे देलगेल अभिब्यक्ति प्रति खेद प्रकट कएलगेल अछि ।
बैसारमे क्लबक अध्यक्ष दिपेन्द्र ठाकुर, जिवनाथ चौधरी, अशोक दत्त, मिनापक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, बिजय दत्त सहितक बिभिन्न क्लबक अध्यक्ष आ पत्रकारसभहक उपस्थिति छल ।

सरकार, उद्योगी आ मजदुरबीचक वार्ता निष्कर्षबिहीन


२७ चैत, काठमाडौं । सरकार, उद्योगी व्यवसायी आ आन्दोलनरत मजदुर संगठनबीचक वार्ता विना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।
श्रम मन्त्रालयमे आइ भेल वार्तामे मजदुरसभ २ हजार रुपैयाँ तलब बृद्धि करयके माँग रखने छल त उद्योगी व्यवसायीसभ १५ सय रुपैयाँ मात्रे बृद्धि करय सकयके अडान लेने छल । हमसभ तलबमे ६५ प्रतिशत आ भत्तामे ३५ प्रतिशत कऽ २ हजार रुपैया बृद्धि करयके माँग रखने छीमाओवादीक मजदुर संगठनके नेता बद्री बजगाई कहलनि-ओसभ १५ सयके प्रस्ताव लौअने छथि ।
प्रमुख तीन ट्रेड युनियन आ उद्योगीबीच भेल १५ सय तलब बृद्धि करय सहितक ११ बुँदे सहमतिविरुद्ध माओवादी मजदुरके असन्तुष्ट आ मधेसवादी दलसम्वद्ध मजदुर संगठन आन्दोलित भेल छल । वार्तामे मजदुर संगठनसभ नो वर्क नो पे के नीति खारेज करयके, सामाजिक सुरक्षा कोष कार्यान्वयनके लेल कानुन लाबयके जेहन माँग रखने छल ।

षडयन्त्रसभके पिच कऽ आगु बढबः प्रधानमन्त्री


२७ चैत, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल अन्हार कोठलीमे शान्ति आ संविधान बनय नहि देबयके जनविरोधी षडयन्त्रसभ भऽरहल बतौलनि अछि ।
रत्न स्मृति दिवसक अवसरमे आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री खनाल जनविरोधी षडयन्त्रसभके चिरैत देशके शान्ति आ संविधान दऽ छोड्यके दृढता व्यक्त कएलनि । ओ कहलनि जे क्षडयन्त्रके माकुराके जालसभ हावाके सामान्य झोंकास सेहो चकनाचुर हाएत ।
देशके शान्ति आ संविधान देबयके आत्मविश्वास सरकारसँग रहल कहैत ओ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे सरकारके सहयोग करयके आहृवान कएलनि । संक्रमणकाल लम्बा भेलाबाद  थप भऽरहल जटिलता आ दलसभबीच विद्यमान असमझदारीसँ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माण पूरा नहि हाएत कि  जनस्तरमे चिन्ता रहल हुनक कहब छलनि ।
नेपाल गरिब नहि कि गरिब बनाओलगेल कहैत  प्रधानमन्त्री खनाल विद्यमान प्राकृतिक स्रोत आ साधनसभहक समुचित उपयोग  आ विकास करैत देशके समृद्धितर्फ आगु  बढाबय  सकयके बतौलनि ।

न्यूनतम साझा कार्यक्रम बनाबय कार्यदल गठन


२७ चैत, काठमाडौं । सत्तारुढ एकीकृत नेकपा माओवादी नेकपा एमाले सरकार संचालनकेल न्यूनतम साझा कार्यक्रम बनाबय कार्यदल गठन केलक अछि
प्रधानमन्त्रीक सरकारी निवास बालुवाटारम आइ बैसल दु दलक शीर्ष नेतासभहक बैसारसँ सरकार सञ्चालनक न्यूनतम् साझा कार्यक्रम, सरकार सञ्चालन कार्यविधि मन्त्रीसभके पालना करयबला आचारसंहिता निर्माण करय आठ सदस्यीय कार्यदल गठन केलक अछि । कार्यदलम माओवादीक दिससँ उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश, सचिव पोष्टबहादुर बोगटी, नेताद्धय दिनानाथ शर्मा देव गुरुङ छथि त एमालेक दिससँ भरतमोहन अधिकारी, भीम रावल, सुरेन्द्र पाण्डे भीम आचार्य छथि । कार्यदलके तीन दिनभित काम सम्पन्न करयके जिम्मेवारी देलगेल माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश जानकारी देलनि
अहिबीच गृह मन्त्रालय नौअलाबाद माओवादी तत्काल थप नेताके सरकारमहि पठाओत जनौलक अछि । बैसारमे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल गृह मन्त्रालयकेलखनोिछदिन रुकय आग्रह कएलनि अछि मन्त्री बनयबलासभहक नाम दऽ कऽ सरकारके पूर्णता देबय सहयोग करय आग्रह कएने छलथि । जवाफम माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड गृहमन्त्रालय नहि ेबयधरि थप व्यक्तिके सरकारमहि पठाबय कहने स्रोत जनौलक अछि

सिँग्याही गाँउ आदमी बिहिन

प्रधानसेनापति गुरुङ स्वदेश घुरलाह


२७ चैत, काठमाडौं । प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ अमेरिका भ्रमण पुरा कऽ आइ स्वदेश घुरल छथि
गुरुङके त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलम कायम मुकायम प्रधानसेनापति रथी तोरण जंग बहादुर सिंह स्वागत कएने छलथि अवसरम नेपाली सेनाक एक टुकडी प्रधानसेनापति समक्ष सम्मान गारत अर्पण केने छल
प्रधानसेनापति गुरुङ अमेरिकी सरकारक औपचारिक निमन्त्रणाम चैत्र १२ गतेसँ ओइदिस प्रस्थान केने छलथि । अमेरिका भ्रमणक क्रमम प्रधानसेनापति गुरुङ अमेरिकी सुरक्षा मामिला राष्ट्रसंघक उच्च अधिकारीसभसँग भेटवार्ता केने छलथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन