Sunday, April 10, 2011

ईन्डियन प्रिमियर लिग

चैत २७ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत  मुम्बइ इन्डियन  आ दिल्ली डेयर डेभिल्स बिच आइ भेल खेलमे  मुम्बइ इन्डियन ८ बिकेटसँ जित हासिल केलक अछि ।
दिल्ली डेयर डेभिल्स टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत निर्धारीत २० ओभरक खेलमे १७ ओभर ४ बलमे सम्पुर्ण  बिकेटक नोक्सानमे ९५ रन मात्र बना कऽ मुम्बइ इन्डियन  समक्ष ९६ रनक लक्षय प्रस्तुत कएने छल ।
प्रतिउत्तरमे उतरल मुम्बइ इन्डियन  निर्धारित २० ओभरक खेलमे १६ ओभर ५ बल खेलैत २ बिकेटक क्षतिमे जित हासिल करय सफल भेल अछि ।

अहिना ,  ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वान्टि ट्वाइन्टी क्रिकेट अन्तर्गत अखन भ रहल  खेलमे किङ्गस एलेभन पँजाब, पुणे वेरियर्स  समक्ष  ११३    रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि । 
किङ्गस एलेभन पँजाब टस जित कऽ पहिने ब्याटिङ्ग करैत   ८  बिकेटक क्षतिमे ११२   रन बनौलक अछि ।


कांग्रेस बैसारमे महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव


२७ चैत, काठमाडौं । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला पार्टीके भ्रातृ संगठन महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव कएलनि अछि ।
पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे सभापतिके निर्देशनमे विवाद समाधान समितिक सदस्य बलबहादुर केसी म्याद समाप्त भेल महिला संघ आ तरुण दल विघटनके प्रस्ताव कएलनि अछि । संगठनके जुझाउ बनाबय सेहो विघटन करय परल हुनक कहब छलनि ।
सभापति कोइराला पक्षधर म्याद समाप्त भेल भ्रातृ संगठनसभ विघटन करयके आ अन्यके समयमै महाधिवेशन करय निर्देशन देबयके योजनामे अछष त वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षधर ओइके विपक्षमे रहल अछि ।
अइस आगु नेवि संघ विघटन करयके प्रस्तावमे विवाद भेल छ । विवादकै क्रममे नेवि संघक अध्यक्ष प्रदीप पौडेल पदसँ राजीनामा देने छलथि ।

खिचापोखरीमे व्यापारी उपर गोली प्रहार


२७ चैत, काठमाडौं । काठमाण्डौके खिचापोखरीमे व्यापारी अञ्जनीकुमार चाचन पप्पु उपर गोली प्रहार भेल अछि ।
कोख आ हातमे गोली लागल पप्पुके वीर अस्पतालमे इलाज  भऽरहल अछि । छालाके ब्यागके व्यापार करैत आएल चाचनके गोल्छा हाउससँगै जोडल घरके प्यासेजमे बैसल अवस्थामे गोली प्रहार कएल गेल अछि ।
लाइन कटल समयमे आएल समुह गोली प्रहार केने पुलिस जनौलक अछि ।

वाड समिति चयन


जनकपुर, चैत २७ । तमलोपा पार्टी जनकपुर वाड नम्बर १४ मे वाड समिति चयन केलक अछि ।
जाहिके अध्यक्षमे सोभित यादब, उपाध्यक्षमे देबन मुखिया, सचिवमे मदन राउत आ कोषाध्यक्षमे बिणा देवी महतो रहल अछि ।
अहिना,  सदस्यसभमे राम प्रसाद ठाकुर, राज किशोर मँडल, सुभाष ठाकुर सहितक २१ सदस्यीय रहल अछि ।

मातृभाषा मैथिली बचाउ अभियान सँचालन करबाक निर्णय


जनकपुर, चैत २७ ।  जनकपुरमे एक दर्जनसँ बेसी सँघ सँस्थाक बैसल बैसारसँ मातृभाषा मैथिली बचाउ अभियान सँचालन करबाक निर्णय कएलगेल अछि ।
जनकपुरक रामानन्द युवा क्लबमे सम्पन्न ओ बैसारसँ  राष्ट्रिय जनगणना २०६८ मे मातृभाषाक रुपमे मैथिली लिखबाक लेल बृहत जनचेतना आ प्रचार मुलक कार्यक्रम सँचालन करबाक निर्णय कएल गेल अछि ।
बैसारमे किछ मधेसबादी दलसभद्धारा हिन्दीके मातृभाषा लिखबाक देलगेल अभिब्यक्ति प्रति ध्यानाकर्षण भेल जनबैत मैथिलीके बिरोधमे देलगेल अभिब्यक्ति प्रति खेद प्रकट कएलगेल अछि ।
बैसारमे क्लबक अध्यक्ष दिपेन्द्र ठाकुर, जिवनाथ चौधरी, अशोक दत्त, मिनापक अध्यक्ष सुनिल मल्लिक, बिजय दत्त सहितक बिभिन्न क्लबक अध्यक्ष आ पत्रकारसभहक उपस्थिति छल ।

सरकार, उद्योगी आ मजदुरबीचक वार्ता निष्कर्षबिहीन


२७ चैत, काठमाडौं । सरकार, उद्योगी व्यवसायी आ आन्दोलनरत मजदुर संगठनबीचक वार्ता विना निष्कर्ष सम्पन्न भेल अछि ।
श्रम मन्त्रालयमे आइ भेल वार्तामे मजदुरसभ २ हजार रुपैयाँ तलब बृद्धि करयके माँग रखने छल त उद्योगी व्यवसायीसभ १५ सय रुपैयाँ मात्रे बृद्धि करय सकयके अडान लेने छल । ‘हमसभ तलबमे ६५ प्रतिशत आ भत्तामे ३५ प्रतिशत कऽ २ हजार रुपैया बृद्धि करयके माँग रखने छी’ माओवादीक मजदुर संगठनके नेता बद्री बजगाई कहलनि-’ओसभ १५ सयके प्रस्ताव लौअने छथि ।’
प्रमुख तीन ट्रेड युनियन आ उद्योगीबीच भेल १५ सय तलब बृद्धि करय सहितक ११ बुँदे सहमतिविरुद्ध माओवादी मजदुरके असन्तुष्ट आ मधेसवादी दलसम्वद्ध मजदुर संगठन आन्दोलित भेल छल । वार्तामे मजदुर संगठनसभ नो वर्क नो पे के नीति खारेज करयके, सामाजिक सुरक्षा कोष कार्यान्वयनके लेल कानुन लाबयके जेहन माँग रखने छल ।

षडयन्त्रसभके पिच कऽ आगु बढबः प्रधानमन्त्री


२७ चैत, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल अन्हार कोठलीमे शान्ति आ संविधान बनय नहि देबयके जनविरोधी षडयन्त्रसभ भऽरहल बतौलनि अछि ।
रत्न स्मृति दिवसक अवसरमे आइ राजधानीमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री खनाल जनविरोधी षडयन्त्रसभके चिरैत देशके शान्ति आ संविधान दऽ छोड्यके दृढता व्यक्त कएलनि । ओ कहलनि जे क्षडयन्त्रके माकुराके जालसभ हावाके सामान्य झोंकास सेहो चकनाचुर हाएत ।’
देशके शान्ति आ संविधान देबयके आत्मविश्वास सरकारसँग रहल कहैत ओ शान्ति प्रक्रिया आ संविधान निर्माणमे सरकारके सहयोग करयके आहृवान कएलनि । संक्रमणकाल लम्बा भेलाबाद  थप भऽरहल जटिलता आ दलसभबीच विद्यमान असमझदारीसँ शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माण पूरा नहि हाएत कि  जनस्तरमे चिन्ता रहल हुनक कहब छलनि ।
नेपाल गरिब नहि कि गरिब बनाओलगेल कहैत  प्रधानमन्त्री खनाल विद्यमान प्राकृतिक स्रोत आ साधनसभहक समुचित उपयोग  आ विकास करैत देशके समृद्धितर्फ आगु  बढाबय  सकयके बतौलनि ।

न्यूनतम साझा कार्यक्रम बनाबय कार्यदल गठन


२७ चैत, काठमाडौं । सत्तारुढ एकीकृत नेकपा माओवादी आ नेकपा एमाले सरकार संचालनके लेल न्यूनतम साझा कार्यक्रम बनाबय कार्यदल गठन केलक अछि ।
प्रधानमन्त्रीके सरकारी निवास बालुवाटारमे आइ बैसल दु दलक शीर्ष नेतासभहक बैसारसँ सरकार सञ्चालनके न्यूनतम् साझा कार्यक्रम, सरकार सञ्चालन कार्यविधि आ मन्त्रीसभके पालना करयबला आचारसंहिता निर्माण करय आठ सदस्यीय कार्यदल गठन केलक अछि । कार्यदलमे माओवादीक दिससँ उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश, सचिव पोष्टबहादुर बोगटी, नेताद्धय दिनानाथ शर्मा आ देव गुरुङ छथि त एमालेक दिससँ भरतमोहन अधिकारी, भीम रावल, सुरेन्द्र पाण्डे आ भीम आचार्य छथि । कार्यदलके तीन दिनभितर काम सम्पन्न करयके जिम्मेवारी देलगेल माओवादी उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश जानकारी देलनि ।
अहिबीच गृह मन्त्रालय नै पौअलाबाद माओवादी तत्काल थप नेताके सरकारमे नहि पठाओत जनौलक अछि । बैसारमे प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल गृह मन्त्रालयके लेल अखनो किछदिन रुकय आग्रह कएलनि अछि । ओ मन्त्री बनयबलासभहक नाम दऽ कऽ सरकारके पूर्णता देबय सहयोग करय आग्रह कएने छलथि । जवाफमे माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्ड गृहमन्त्रालय नहि देबयधरि थप व्यक्तिके सरकारमे नहि पठाबय कहने स्रोत जनौलक अछि ।

सिँग्याही गाँउ आदमी बिहिन

प्रधानसेनापति गुरुङ स्वदेश घुरलाह


२७ चैत, काठमाडौं । प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ अमेरिका भ्रमण पुरा कऽ आइ स्वदेश घुरल छथि ।
गुरुङके त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलमे कायम मुकायम प्रधानसेनापति रथी तोरण जंग बहादुर सिंह स्वागत कएने छलथि । ओ अवसरमे नेपाली सेनाके एक टुकडी प्रधानसेनापति समक्ष सम्मान गारत अर्पण केने छल ।
प्रधानसेनापति गुरुङ अमेरिकी सरकारक औपचारिक निमन्त्रणामे चैत्र १२ गतेसँ ओइदिस प्रस्थान केने छलथि । अमेरिका भ्रमणके क्रममे प्रधानसेनापति गुरुङ अमेरिकी सुरक्षा मामिला आ राष्ट्रसंघक उच्च अधिकारीसभसँग भेटवार्ता केने छलथि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन