Saturday, October 23, 2010

त्ाराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक केन्द्रिय अध्यक्ष महन्थ ठाकुर सँबिधानसभाक निर्वाचनस देलगेल प्रमुख २ टा जिम्मेबारी शान्ति प्रकृयाके निष्कर्षमे पहुँचाबयके आ नव सँबिधान निर्माण करयके इ दुनु जिम्मेबारीमे अपेक्षाकृत प्रगति होवय नै सकल आरोप लगौलनि अछि ।

तमलोपा धनुषा द्धारा आइ जनकपुरमे आयोजित एक कार्यक्रममे बजैत अध्यक्ष ठाकुर अखन देशमे शान्ति प्रकृयाके निश्कर्षमे पअुँचेनाइ आ नव सँबिधान निर्माण कएनाइ अति आबश्यक रहलाक बादो एहन महत्वपुर्ण समयमे दलसब बिच भेल सम्मुाैता सहमतिसबके दलसब अपना अपना अनुसार अपब्याख्या क रहल बतौलनि अछि ।

ओ तत्काल दलसबहक प्रयासके बाबजुदो अखन सरकार नै बनिरहल मुदा बहुत किसिमके सममुदारी भेल अछि जाहिस नयाँ सँबिधान आ शान्ति प्रकृया दुनु निष्कर्षधरि पहँुचत दृढता ब्यक्त केलनि अछि ।

अहि पत्रकार सम्मेलनमे तमलोपाक केन्द्रिय उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लालके सेहो उपस्थिति छल ।

ुुुुु।

इनरुवा कोसी लोकमार्ग अन्तर्गत सुनसरीके हासपोसामे बितलराति २ टा मोटरसाइकल एक दोसरस ठोकराएलास ३ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मृत्यु होवय बलामे सुनसरी सोनापुरके गौरब राइ इटहरी १ के २० बर्षक प्रेम चौधरी आ हासपोसाके ३० बर्षक शुक्र रम्तेल रहल पुर्वान्चल क्षेत्रिय ट्राफिक प्रहरी कार्यालय इटहरी जनौलक अछि ।

को ७ प ७९७२ आ को ४ प १७३४ नम्बरक मोटरसाइकल बितलराति ९ बजे कोसी लोकमार्ग अन्तर्गत सुनसरीके हासपोसामे ठोकराएलाबाद घाइल भेलसबहक इलाजक लेल बिपी कोइराला स्वास्थ्य बिज्ञान प्रतिष्ठान धरान लजेबाक क्रममे बाटेमे मृत्यु भेल छल ।

घटनामे घाइल भेल सुनसरी सोनापुरक २९ बर्षक सुरज राइके धरानमे इलाज भरहल पुलिस जनौलक अछि ।

ुुुु॥

भ्ाारतक बिदेश मन्त्रालय अपन राजदुत राकेश सुद उपर माओवादीद्धारा भेल जुत्ता प्रहार आ कारी मुण्डा प्रदर्शनप्रति नयाँ दिल्ली स्थित नेपाली दुतावास मार्फत नेपाल सरकारके अपन मर्यादामे रहयके चेतावनी देलक अछि ।

भारतिय बिदेश मन्त्रालय नेपाली राजदुत रुक्मशमशेर राणाके बितल शनिदिन साउथ ब्लकमे बजाक राजदुत उपरके प्रहार कुटनितिक मर्यादा बिपरित भेल कहैत ओहन गतिबिधिस द्धिपक्षिय सम्बन्ध बिगरय सकबाक चेताबनी देने छलथि ।

ज्ञातब्य जे दु सप्ताह आगु राजदुत सुद उपर सोलुखुम्बुके सल्लेरीमे माओवादी पोलिटब्युरो सदस्य गोपाल किँराती नेतृत्वक समुह बिरोध प्रदर्शन करैत जुत्ता प्रहार केने छल । सुद चिनके सिमावर्ती खुम्जुङमे भारतिय सहयोगमे बनयबला खानेपानी योजनाके उदघाटन करय गेल रहथि ।

ुुुु।

स्थायी समिति सदस्य बर्षमान पुनसहित १० माओबादी नेता आ कमाण्डर दशमीके समयमे बिभिन्न कारण देखाक एक सप्ताह भितरे चिन प्रबेश केलनि अछि ।

बृहस्पति दिन ओ सब घुरिते काल्हि अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल अपन बिदेश बिभाग प्रमुख कृष्ण बहादुर महरा सहित ४ गोटेकॆ ल चिन प्रस्थान केलनि अछि । हुनक कमाण्डर सहितक भ्रमणके कारण बुमुयमे नै आएल बताओल गेल अछि । अध्यक्ष दाहाल चिनियाँ नेतासबसँग राजनितिक बिषयमे बातचित हाएत जनौने छथि त अहिस पहिने गेल माओवादी कमाण्डरसब सेहो उच्च नेतासबसँ भेटघाट क घुरल छथि । अहि भेटघाटके भारतप्रति अक्रामक बनैत गेल आ चिनदिस नजदिकी बढारहलके रुपमे देखल गेल अछि ।

किछुए दिन आगु भारतिय राजदुत सुद उपर माऒवादीक कार्यकर्ता जुत्ता प्रहार केने कारण सेहो अहि भ्रमणके माओवादीके निजी भ्रमणके बिशेष अर्थके साथ देखल जारहल अछि । ओना त चिन सँघाइ एक्सपोमे नेपालस राष्ट्रपति रामबरण यादबके निमन्त्रणा देने छल मुदा पार्टीगत रुपमे माओवादीके मात्र बजेनाइ अपनेमे अर्थपुर्ण रहल जानकारसबहक कहब अछि । माओवादी सैन्य इँचार्ज पुन कहलनि अछि जे बिश्वके चर्चित हिरो भेलास चिन अध्यक्षके बिशेष बक्ताके रुपमे छानने अछि ।

ुु॥

चितवनके अलगे अलग स्थानमे बितल राति भेल सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि त ३ गोटे घाइल भेल अछि ।

पश्चिम चितवनके गुन्जानगर ६ भुवनबस्तीमे ना ११ प ८४१५ नम्बरक मोटरसाइकल अनियन्त्रित भ उनटलास शुक्रनगर ९ शसिनगर निवासी २५ बर्षक चालक मदन गुरुङके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि । दुर्घटनाके बाद गुरुङके इलाजक लेल लजाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल बताओल गेल अछि ।

अहिना चितवनके चनौली बजारमे माटरसाइकलके ठक्करस २ गोटे घाइल भेल अछि ।

रामपुरस चनौली जारहल ना ४ प ३२५१ नम्बरक मोटरसाइकलके ठक्करस स्थानिय ५० बर्षक ज्ञानीदेबी प्रजापति आ ५५ बर्षक जयकृष्ण प्रजापति घाइल भेल अछि । घाइल दुनु गोटेके भरतपुरमे इलाज भरहल अछि त मोटरसाइकल आ चालक दुनुके पुलिस नियन्त्रणमे लेने अछि ।

एम्हर नारायणगढके लायन्सचौकमे मोटरसाइकलके ठक्करस एक बालक घाइल भेल अछि । नाम खुजय नै सकल मोटरसाइकलके ठक्करस बालक महेश्वर श्रेष्ठ घाइल भेल अछि । श्रेष्ठके इलाज भरतपुर अस्पतालमे भरहल जनाओल गेल अछि ।

ुुुुुु


facebook Page Like

  • मनोरँजन