Wednesday, February 16, 2011

माओवादी ११ मन्त्रालय पाओत, मन्त्रीसबहक सपथ काल्हि

४ फागुन, काठमाडौं । सरकार गठनमे महत्वपूर्ण भुमिका निर्बाह केने एकीकृत नेकपा माओवादी ११ मन्त्रालय पाओत । माओवादीके गृह, परराष्ट्र, स्थानीय विकास, शान्ति, भौतिक योजना तथा निर्माण सहितक मन्त्रालय देबय एमाले सहमत भेल अछि ।
माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ आ एमाले अध्यक्ष समेत रहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल बीच आइ भिन्सर बालुवाटारमे भेल भेटमे ११ मन्त्रालय माओवादीके आ ८ मन्त्रालय एमालेके लेबाक सहमति भेल अछि ।
२६ मन्त्रालयमेस बाँकी मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल, तराई मधेस लोकतान्त्रिक पार्टी नेपाल सहितक अन्य दलक लेल छुट्याओलगेल अछि ।
कार्यकर्ता प्रशिक्षणमे सहभागी होबय आइ भिन्सर पोखरा प्रस्थान करयस आगु माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड आ बरिष्ठ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य ‘किरण’ बालुवाटार पहुँचल छलथि । भेटमे प्रधानमन्त्री खनाल आ उपप्रधानमन्त्री भरतमोहन अधिकारी सहभागी छलथि । करिब १० मिनेटधरि भेल भेटवार्तामे काल्हि मन्त्रिपरिषद विस्तार करयके सहमति समेत भेल बालुवाटार स्रोत जनौलक अछि ।
भेटमे माओवादी नेतासब सात बुँदे सहमति कार्यान्वयन प्रति एमाले भितरके असन्तुष्टिबारे चाँखि रखने छल ।

माओवादी प्रशिक्षणके कारण मन्त्रिपरिषद बिस्तारमे अबेर

४ फागुन, काठमाडौं । माओवादी कार्यकर्ता प्रशिक्षणके कारण आइ हाएत लकलगेल मन्त्रिपरिषदक विस्तार स्थगित कएलगेल अछि ।
फरक मतके प्रशिक्षणमे लजाएके कि नै लजाएके बिषयमे बिबाद भेलाबाद एक महिना आगु काठमाण्डौंस सुरु भेल कार्यकर्ता प्रशिक्षण स्थगित कएलगेल छल । तमुवान राज्यसमितिके प्रशिक्षणमे सहभागी होबय माओवादी नेतासब पोखरा पहुँचल अछि । उपाध्यक्ष डा. बाबुराम भट्टराई काल्हिए ओइठाम पहुँचल छलथि ।
माओवादी अपन नेतासबहक नामावली प्रधानमन्त्रीके बुझाकऽ आइ मन्त्रिपरिषद बिस्तार करयके काल्हिए प्रधानमन्त्री आ माओवादी अध्यक्षबीच सहमति भेल छल ।
स्रोतक अनुसार माओवादी आइ साँझधरि नामावली बुझौलाबाद काल्हि मन्त्रिपरिषद बिस्तार काएल जाएत । माओवादी विदेश विभाग प्रमुख कृष्णबहादुर महराक नेतृत्वमे सरकारमे जाएके निर्णय केलक अछि ।
सात बुँदे सहमतिप्रति एमाले भितरे विवाद भेलाबाद एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल प्रधानमन्त्रीमे निर्बाचित भेल करिब दु सप्ताह पुगय लगलाबादो मन्त्रिपरिषद बिस्तार होबय नै सकल अछि । प्रधानमन्त्री खनाल तीन गोटे मन्त्रीके सपथ खुवबैतो दु गोटेके विभाग नै तोक्ने छथि ।

प्रेम दिबसक फोटोसब

प्रेम दिबसक फोटोसब

परसुधरि पानि परत

४ फागुन, काठमाडौं । पश्चिमी वायुके प्रभावक कारण आइ भरिदिन पानी परत मौसम पूर्वानुमान महाशाखा जनौलक अछि । पश्चिम नेपालस काल्हिएस सुरु भेल वायुके प्रभावस आइ सेहो जनकपुर, काठमाडौं उपत्यका सहित देशके विभिन्न स्थानमे पानि परिरहल अछि । पश्चिमी वायुके प्रभाव आइ मध्य आ पूर्वमे सकृय भेलास परसुधरि पानि परयके क्रम जारी रहत महाशाखा जनोलक अछि ।
बितल चौबिस घण्टामे कएलगेल मापनअनुसार दिपायलमे सबस बेसी ३९ दशमवल ६ मिलिमिटर वर्षा भेल अछि । काठमाडौं उपत्यकामे १ दशमलव २ मिलिमिटर वर्षा भेल महाशाखा जनोलक अछि ।
उच्च पहाडी भेगमे पानिसँगै हिउँ परलाबाद जनजीवन प्रभावित भेल अछि ।

आइ पानि परल

आइ भिन्सर जनकपुरमे पानि परल अछि ।

७० वर्षक बृद्धाके गोली मारिकऽ हत्या

४ फागुन, हेटौडा । मकवानपुरमे ७० वर्षक एक बृद्धाके गोली मारिकऽ हत्या कएलगेल अछि । हाँडिखोला गाविस ७ के सानुमाया पाख्रिनके अज्ञात समूह गोली मारिक हत्या केलक अछि ।
पुलिस घटनास्थल पहुँचल अछि त घटनाक विस्तृत विवरण आबय बाँकी अछि ।

ट्याक्टर दुर्घटना भेलास दु गोटेके मृत्यु

फागुन ४, पाल्पा । पाल्पाके अर्घली गाविस कुँडापानीमे आइ भिन्सर ट्याक्टर दुर्घटना भेलास दु गोटेके मृत्यु भेल अछि । तानसेनस गुल्मीके लेल छुटल लु १ त ९९३३ नम्बरक ट्याक्टर भिन्सर तीन बजे दुर्घटना भेलास युवराज पाण्डेके मृत्यु भेल अछि । मृतक दोसर एक गोटेके सनाखत होबय नै सकल अछि ।
दुर्घटनामे घाइल भेल दुनु गोटेके पाल्पाके तानसेन स्थित मिसन अस्पतालमे इलाज भरहल पुलिस जनोलक अछि ।
अहिबीच काठमाडौंके महाराजगन्ज चप्पल कारखाना चोकमे बा २९ प ८०२२ नम्बरक मोटरसाइकलके नम्बर नै खुजल कार बितलराती साढे १० बजे ठक्कर देँलास दोलखाके नाङ शेर्पा गम्भीर घाइल भेल अछि । शेर्पाके चाबहिलस्थित ओम अस्पतालमे इलाज भरहल अछि ।
ठक्कर देबयबला कार फरार रहल आ खोजी कार्य भरहल पुलिस जनोलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन