Thursday, February 24, 2011

जनकपुर जटही सडक खण्डक जाम खुजल

जनकपुर, फागुन १२ । स्थानिय प्रशासन मृतक परिबारके उचित क्षतिपुर्ति देबयके सहमति जनोलाक बाद जनकपुर जटही सडक खण्डक जाम खुजल अछि ।
जटहीस जनकपुर आबिरहल बसस एक गोट यात्रु रुपैठा चौकप उतरय काल घाइल भ इलाजक क्रममे मृत्यु भेला बाद स्थानिय बासीसब बितल २ दिनस जनकपुर जटही सडक खण्ड अबरुद्ध क सबारी साधन आबागमन ठप्प केने छल ।
बितल मँगलदिन जटहीस जनकपुरदिस आबिरहल ज १ ख ४९१ नम्बरक बसस देवपुरा रुपैठामॆ स्थानिय उपेन्द्र मिश्र उतरय काल बसस पिचाक घाइल भेल छलथि । घाइल मिश्रके वायह दिन इलाजक क्रममे मृत्यु भेल छल ।
मृत्यु भेल बिरोधमे मृतकके क्षतिपुर्ति, दोषी चालकके कारबाही सहितक माँग रखैत स्थानियबासी सब बितल २ दिनस जनकपुर जटही सडक खण्डमे चलयबला सम्पुर्ण सबारी साधनके चलयस अबरुद्ध केने छल ।

नारायणी अन्चलके सरकारी कार्यालय ठप्प

पर्सा, फागुन १२ । कर्मचारी हत्याक विरोधमे नारायणी अन्चलके सरकारी कार्यालयसब आइ दोसर दिन सेहो बन्द रहल अछि । बारा मालपोत कार्यालयके नायव सुब्बा माधव थापाके हत्याके विरोधमे नारायणी अन्चल अन्तर्गत परयबला पर्सा, बारा, रौतहट, मकवानपुर आ चितवनके निजामति कर्मचारीसब काल्हिएस काम ठप्प कक आन्दोलनमे उतरल अछि ।
हत्याके विरोधमे नारायणी अन्चल भरिके सरकारी कार्यालयसब तीन दिनधरि बन्द करयके कर्मचारीसब घोषणा क चुकल अछि । नेपाल निजामति कर्मचारी युनियन बाराके अध्यक्ष अशोक रौनियार आई पाँच जिल्ला प्रशासन कार्यालयमे भिन्सर ११ बजेस धर्ना देल जारहल जानकारी देलनि ।
कर्मचारी हत्याक विरोधमे आइ नवलपरासीके सम्पुर्ण सरकारी कार्यालयसबहक कामकाज २ घण्टा ठप्प हाएत । भिन्सर १० बजेस दुपहर १२ बजेधरि कामकाज ठप्प केने कर्मचारीसब बतोलक अछि ।
आन्दोलनरत कर्मचारीसब मृतक थापाके शहीद घोषणा क परिवारजनके २० लाख रुपैयाँ क्षतिपूर्ती देबयके, मृतकके परिवारके १ गोटेके नोकरी आ मालपोत कार्यलयमे मृतकके शालीक निर्माण करय सहितक माँग राखने अछि । काल्हि धरि मागसब पूरा नै हाएत त दोसर चरणक आन्दोलन करबाक ओसब घोषणा केने अछि ।
अहिबीच थापाके हत्यामे संलग्न रहल आशंकामे पुलिस बाराके विभिन्न स्थानस ४ गोटेके गिरफ्तार क अनुसन्धान क रहल अछि । थापाके हत्याके अनुसन्धानक लेल मध्यक्षेत्रीय प्रहरी कार्यालय हेटौंडा, अञ्चल प्रहरी कार्यालय वीरगन्जके प्रमुख गोपाल भण्डारीके संयोजकत्वमे तीन सदस्यीय छानबिन समिति गठन केने अछि । सरकार मृतक थापाके परिवारके उचित क्षतिपुर्ति देबाक निर्णय क चुकल अछि ।

एमाले निर्णयप्रति माओवादी धारणा : तत्काल सरकारमे गेनाई अनुचित

काठमाडौं, फागुन १२ । सात सुत्रिय सहमतिके नेकपा एमाले अपना अनुकुले ब्याख्या केलाबाद रुष्ट भेल एकीकृत नेकपा माओवादी आइ धारणा तय करय लागल अछि । धारणा तय करय पार्टी केन्द्रीय कार्यालय पेरिसडाँडामे बेरियामे माओवादी स्थायी समितिक बैसार बैसत बताओलगेल अछि ।
एमाले केन्द्रीय समितिक बैसारस निर्णयके समिक्षा करैत सरकारमे सहभागी हाएब कि नै बिषयमे बैसारस पार्टीके धारणा बनाएब माओवादी स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ जानकारी देलनि । माओवादी नेता गुरुङ एमाले केने निर्णय आ व्याख्या सन्तोषजनक नै भेलास तत्काल सरकारमे जाएके औचित्य नै रहल बतोलनि ।
दु दलक अध्यक्षबीच भेल सात बुँदे सहमतिके पुनव्र्याख्या भगेलास एमाले स्पष्ट निर्णय लेबय नै सकल कहैत माओवादी असन्तुष्टि जनोलक अछि ।

सबारी साधनसब आइ दोसर दिन सेहो ठप्प

जनकपुर, फागुन १२ । जनकपुर जटहीमे चलयबला सबारी साधनसब आइ दोसर दिन सेहो ठप्प रहल अछि ।

जटहीस जनकपुर आबिरहल बसस एक गोट यात्रु रुपैठा चौकप उतरय काल घाइल भ इलाजक क्रममे मृत्यु भेला बाद स्थानिय बासीसब बितल २ दिनस जनकपुर जटही सडक खण्ड अबरुद्ध क सबारी साधन आबागमन ठप्प केने अछि ।

बितल मँगलदिन जटहीस जनकपुरदिस आबिरहल ज १ ख ४९१ नम्बरक बसस देवपुरा रुपैठामॆ स्थानिय उपेन्द्र मिश्र उतरय काल बसस पिचाक घाइल भेल छलथि । घाइल मिश्रके वायह दिन इलाजक क्रममे मृत्यु भेल छल ।

मृत्यु भेल बिरोधमे मृतकके क्षतिपुर्ति दोषी चालकके कारबाही सहितक माँग रखैत स्थानियबासी सब बितल २ दिनस जनकपुर जटही सडक खण्डमे चलयबला सम्पुर्ण सबारी साधनके चलयस रोक लगबैत बाट अबरुद्ध केने अछि ।

नेपाल डिफेन्डिङ च्याम्पीयन हङकङसँग खेलत

काठमाडौं, फागुन १२ । कुवेतमे जारी एसीसी महिला ट्वान्टी-ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगिताके सेमिफाइलनमे नेपाल आई डिफेन्डिङ च्याम्पीयन हङकङसँग प्रतिस्पर्धा करय लागल अछि ।
खेल दुपहरमे हुवरा क्रिकेट मैदानमे हाएत । नेपाल समुह ‘बी’ के विजेता अछि त हङकङ समुह ‘ए’ के उपविजेता अछि ।
महिला अन्तराष्ट्रिय क्रिकेटमे हंङकङसँग नेपालक ई पाँचम भेट अछि । अहिस आगु ४ मेस तीन खेलमे नेपाल बाजी मारने छल । प्रशिक्षक अरुण अर्याल प्रतिद्वन्द्वीके कमजोर समझिकऽ गल्ती नै करब बतौलनि ।

घर घुरिरहल एक गोटेस अज्ञात समुह केलक लुटपाट

सिरहा, फागुन १२ । सिरहाक लहानस घर घुरिरहल एक गोटेस अज्ञात समुह बितलराति लुटपाट केलक अछि ।

लहानस असनपुर ९ अपन घर घुरिरहल राम बाबु यादबके बितलराति अज्ञात समुह लुटपाट केलक अछि । पुर्ब पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत कसाहा लग अज्ञात समुह यादब चढल स २ प ७०९६ नम्बरक मोटरसाइकल मोबाइल २ थान आ नगद ११ हजार नगद लुटपाट केने पुलिस जनौलक अछि ।

अग्गिलग्गि भेलास एक गोटेके मृत्यु

सिरहा, फागुन १२ । सिरहाके पिपरा करहरबामे १ मे बितल राति अग्गिलग्गि भेलास एक गोटेके मृत्यु भेल अछि त लाखौके क्षति भेल अछि ।

स्थानिय सुखन मियाँके घरस पसरल आगिस ओतुक्का १३ टा घर जरिक नष्ट भेल पुलिस जनौलक अछि । ओ अगिलगिमे परि सुखन मियाँके १० बर्षक बेटा सद्धाम मोहम्मदके जरिक मृत्यु भेल अछि ।

अगिलगिस करिब १० लाख बराबरके क्षति भेल पुलिसक अनुमान अछि ।

राज्य पुनःसंरचना आयोग गठनमे विवाद

काठमाडौं, फागुन १२ । दलसबबीच राज्य पुनःसंरचना आयोग गठन करयके कि नै करयके बिषयमे विवाद भेल अछि ।
नेपाली काङ्ग्रेस संवैधानिक व्यवस्था अनुसार तत्काल आयोग गठन क राज्यसबहक बाँटबखरा करयके अडान रखने अछि । एकीकृत नेकपा माओवादी संविधान जारी करयके समय छोट भेलास आयोग बनाबयदिस नै लागि कऽ संविधान संसोधन करयपरत प्रस्ताव केलक अछि ।
संसदीय दलका नेता रामचन्द्र पौडेल तत्काल राज्य पुनःसंरचना आयोग गठन क शान्ति प्रक्रियाके पूरा करऽ परत बतौलनि अछि ।
एकीकृत नेकपा माओवादी संविधान जारी करयके समय बहुते कम भेलास आयोग बनाकऽ आगु बढलास समयमे संविधान जारी होबय नै सकत बतोलक अछि । समय छोट भेलास आयोग गठन करयस निक संविधान संसोधन केनाई रहल माओवादीके प्रस्ताव अछि ।
माओवादी लोकेन्द्र विष्टमगर सभापति रहल राज्य पुनःसंरचना समिति अन्तर्गत गठित हितमान शाक्य संयोजकत्वके उपसमिति पेश केने १४ संघीय राज्यके प्रस्तावके मान्यता देबय परत बतबैत आबिरहल अछि । ओ प्रस्ताव राज्य पुनःसंरचना समितिस बहुमतस पारित भ चुकल अछि ।
आयोग गठनक विषयमे दलसबबीच सहमति होबय नै सकलास संविधानसभा राज्यके पुनःसंरचना सम्वन्धी समितिके प्रतिवेदन सवैधानिक समितिमे पठाबय नै सकल अछि ।

प्रधानमन्त्रीके रात्रिभोजमे ओली नै गेलथि

काठमाडौं, फागुन १२ - प्रधानमन्त्री चयन भेल अवसरमे शुभकामना आदानप्रदाद करय एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल बालुवाटारमे पार्टी केन्द्रीय नेता, सभासद सहितके रात्रिभोज देने छथि ।
बितल साँझ करिब तीन घन्टा चलल भोजमे पार्टीक वरिष्ठ नेता तथा पूर्वप्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल, अधिकांश केन्द्रीय नेता, सभासद, सल्लाहकार समूह, पार्टी कार्यालयके कर्मचारी सहितक सहभागी छल ।
स्थायी समिति सदस्य केपी ओली नै गेलथि । सहभागी एक नेताक अनुसार ओ दोसर कार्यक्रम पहिनेही तय भेल जानकारी देने छलथि । बितल सप्ताह प्रधानमन्त्री निवास गेल समय भितर नै जाए देलाबाद ओली बालुवाटार नै जाएके बतादेने छलथि । ओकरबाद ओ ओइठाम नै गेल छथि ।

मुख्य तीन दलक बैसार बैसरहल

काठमाडौं, फागुन १२ । शान्तिप्रक्रिया आ सरकारके पूर्णता देबयके बिषयमे बिमर्श करय मुख्य तीन दलक शीर्ष नेतासबहक बैसार आइ बेरियामे बैसय लागल अछि । एकीकृत नेकपा माओवादी, नेपाली काङ्ग्रेस आ नेकपा एमालेक शीर्ष नेतासबहक बैसार बेरियाके ३ बजे सिंहदरबारस्थित शान्ति मन्त्रालयमे बैसय लागल अछि ।
बैसारमे सेना समायोजन आ पुनःस्थापना सहितक विषयमे सेहो बिमर्श हाएत नेतासब बतोलनि अछि । नेपाली काङ्ग्रेसक संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेल माओवादी जनसेना विशेष समिति मातहत अबितो ओकर व्यवहारिक कार्यान्वयन नै भेल विषयमे बात उठाएब जानकारी देलनि ।
माओवादी एमालेसँग भेल सात बुँदे सहमति कार्यान्वयनमे जोड देबय लागल अछि । सरकार गठनक आधार सात बुँदे सहमतिए भेलास ओकर कार्यान्वयन करैत सरकारके पूर्णता देबय परत स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ जानकारी देलनि ।
प्रधानमन्त्रीक राजनीतिक सल्लाहकार पुरुषोत्तम पौडेलक अनुसार बैसार मन्त्रिपरिषदके पूर्णता देबयके तथा शान्ति आ संविधानके निष्कर्षमे पहुँचाबयके विषयमे बिमर्श हाएत । एमाले केन्द्रीय समिति बैसारस काङ्ग्रेस सहितक सब दलके समेट क सरकारके राष्ट्रिय सहमतिके स्वरुप देबयके निर्णय केलास शीर्ष बैसारमे वायह विषय प्राथमिकता पाओत बताओलगेल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन