Tuesday, November 22, 2011

कोइराला आ देउवा पक्षबीच वार्ता


६ अगहन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक देउवा पक्ष पार्टी विवाद समाधानक प्रयासमे आज सभापति सुशील कोइरालासँग वार्ता केलनि अछि ।

दु पक्षबीच सभापति कोइरालाक निवास महाराजगञ्जमे वार्ता भेल अछि । वार्तामे देउवा पक्षसँ गोपालमान श्रेष्ठ, खुमबहादुर खड्का, विमलेन्द्र निधि, डा. मीनेन्द्र रिजाल, पूर्णबहादुर खड्का आ डा. नारायण खड्का सहितक नेता सहभागी छलथि । बैसारमे मध्यमार्गी धारके रुपमे चिन्हलगेल अर्जुननरसिंह केसी आ चन्द्र भण्डारी सहितक नेता सेहो सहभागी छलथि । वार्तामे वरिष्ठ नेता देउवा  सहभागी नहि छलथि ।

सभापति कोइराला केन्द्रीय समितिक बहुमतसँ देउवापक्षक नेतृत्व रहल नेपाल तरुणदल, महिला संघ आ आदिवासी जनजाति संघ सहितक भातृसंस्था विघटन कएलाबाद सुरु भेल कांग्रेस विवाद उत्कर्षमे पहुँचल अछि ।

देउवा पक्ष सभापति बहुमतके आडमे निर्वाचित भातृसंस्था विघटन करयके अलोकतान्त्रिक निर्णय केने आरोप लगबैत ओ  निर्णयसँ पाछु हटय सभापति कोइरालाके दबाब दैत आएल अछि । आइ दिनभरिमे विवाद समाधान नहि भेल तऽ काल्हिके लेल बजाओलगेल केन्द्रीय समितिक बैसार बहिस्कार करबाक चेतावनी देउवा पक्षक अछि ।

परराष्ट्रमन्त्री श्रेष्ठ आइ चीन जाऽ रहल


६ अगहन, काठमाडौँ । चिनियाँ प्रधानमन्त्री वेन जिया बाओके आगामी महिना होबयबला नेपाल भ्रमणके एजेण्डा तय करय उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री नारायणकाजी श्रेष्ठ आइ चीन प्रस्थान कऽ रहल छथि ।

श्रेष्ठके नौ सदस्यीय टेलीके नेतृत्व करैत दुपहर सवा १२ बजे अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलसँ चीनके ल्हासाके लेल प्रस्थान करबाक कार्यक्रम छन्हि । चीनमे श्रेष्ठके प्रधानमन्त्री जिया बाओ सहित कम्युनिष्ट पार्टीक उच्च तहके नेतासँग भेटबाक कार्यक्रम रहल हुनक स्वकीय सचिव सुशन कर्माचार्य जानकारी देलनि । श्रेष्ठ ल्हासामे तीब्बती स्वायत्त प्रदेशक अध्यक्ष आ वेइजिङमे प्रधानमन्त्री जियाबाओ तथा चिनियाँ समकक्षी याङ जि ची सँग भेटवार्ता करताह । ओ भेटसबमे प्रधानमन्त्री जियाबाओके भ्रमणके क्रममे बिमर्श करय नेपालक पूर्वाधार विकास, जलसोत, सांस्कृतिक आदानप्रदान तथा यातायत आ द्विपक्षीय व्यापार विस्तार सहितक एजेण्डा राखल जाएत बताओलगेल अछि ।

भेटमे नेपाल चीनबीच स्याफ्रवेशी, इमाथान्का, लोमान्थाङ, तिङकर कऽ ४ टा नयाँ नाका खोलयके विषयके भ्रमणके एजेण्डामे राखय परराष्ट्रमन्त्री श्रेष्ठ प्रस्ताव करताह । हाल नेपाल आ चीनबीच तातोपानी आ हिल्सा नाकासँ मात्रे आवतजावत आ व्यापारिक कारोबार भऽ रहल अछि । अहिना भ्रमणके क्रममे सय मेगावाटके बुढीगण्डकी आ ४ सय ५६ मेगावाटके उपरका तामाकोशी जलविद्युत् आयोजना निर्माणक लेल सहयोग करय चीनसँग आग्रह कएल जाएत ।

ओ बाहेक ६ टा जहाज खरिदके लेल सहुलियत ऋण, पोखरामे अन्तर्राष्ट्रियस्तरके पोलिटेक्निक इन्स्टिच्युट, राजधानीमे बाहिरी चक्रपथ निर्माण, कलंकीसँ कोटेश्वरधरिके चक्रपथ चौडा बनाबय तथा ओइ बीचमे ४ टा फ्लाइओभर निर्माण करयके आर्थिक सहायताके लेल प्रस्ताव कएल जाएत परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अछि । नेपालक प्रस्तावमे चीन सहमत हाएत तऽ प्रधानमन्त्री जिया बाओके नेपाल भ्रमणके क्रममे द्विपक्षीय घोषणा हाएत । जिया बाओ सन् २००१ एम्हर नेपाल भ्रमण करयबला उच्च चिनियाँ अधिकारी छथि ।

लडाकु विवाद मिलाबय उच्च कमान्डर दौडाधुप कऽ रहल


दहवन (रोल्पा), अगहन ६ । माओवादी लडाकु वर्गीकरणसँगै उत्पन्न विवाद समाधान करय शान्तिमन्त्री आ लडाकुके उच्च कमान्डरसबहक टोली शिविर दौडाहा पहुँचल अछि ।

किछ लडाकु वर्गीकरण प्रक्रियाके विरोध करय शिविरभितर संघर्ष समिति गठन कएलाबाद समस्याक समाधान करय शान्तिमन्त्री सत्या पहाडी, लडाकु प्रमुख नन्दकिशोर पुन आ पूर्व डेपुटी कमान्डर जनार्दन शर्मा दौडाहा पहुँचल छथि ।

सबसँ बेसी विवाद देखलगेल सातम डिभिजन कैलालीके तालबन्द आ छठम् डिभिजन दशरथपुर पहुँच कऽ ओतय पहुँचल ओ टोली शिविरमे लडाकुके अलगे जमघट कऽ  वर्गीकरण प्रक्रियामे बाधा नहि पहुँचाबय निर्देशन देने अछि ।

हेलिकप्टरसँ दौडाहा पहुँचल टोली दहवनमे अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल आ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षक कमान्डरसबहक संयुक्त भेला कराऽ शान्ति प्रक्रिया भाँडय जका आपसमे नहि फुटय आ कोनो विवाद नहि करय आग्रह केने स्रोत बतौलक अछि । टोली वर्गीकरण प्रक्रियामे तटस्थ नहि बैसय आ दर्ता प्रक्रियामे सहभागी होबय समेत निर्देशन देने अछि ।


मन्त्रिपरिषद्क बैसार आइ बैसत


६ अगहन काठमाण्डौ । नेपाल सरकारक मन्त्रिपरिषद्क बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि ।

मन्त्रिपरिषद्क बैसारसँ राज्यपुनर्संरचना आयोगके गठनके निर्णय करत स्रोत जनौलक अछि । राज्यपुनर्संरचना आयोगके संयोजकके बारेमे मधेसी मोर्चा आ प्रमुख दलक बैसारमे सहमति होबय नहि सकलाबाद काल्हि बजाओलगेल मन्त्रिपरिषद्क बैसार बैसय नहि सकल छल ।

बेरियाक ४ बजे प्रधानमन्त्री तथा मन्त्रिपरिषद्क कार्यालय सिंहदरवारमे बैसय लागल बैसारसँ सरकारक नियमित क्रियाकलापके समेत समीक्षा कएल जाएत बताओलगेल अछि ।

एमाले स्थायी समितिक बैसार आइ बैसत


६ अगहन काठमाण्डौ । नेकपा एमाले स्थायी समितिक बैसार आइ सेहो बैसय जाऽ रहल अछि ।

काल्हिसँ सुरु होबयबला एमाले केन्द्रीय समितिक बैसारमे पेश करयबला एजेण्डाके बिषयमे बैसारमे थप बिमर्श हाएत एमाले जनौलक अछि । प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराईके संविधानसभाक म्याद ६ महिना थपयके प्रस्तावके बारेमे सेहो स्थायी समितिक बैसारमे बिमर्श हाएत स्थायी समिति सदस्य भरतमोहन अधिकारी जानकारी देलनि । हुनका अनुसार दलसब बीचक पछिला बेरक बिमर्श आ समसायिक राजनीतिक अवस्थाके बारेमे सेहो बैसारमे बिमर्श हाएत । एमाले पार्टी कार्यालय बल्खुमे बेरियाक २ बजे स्थायी समितिक बैसार बजाओल गेल अछि ।

ताल्चा विमानस्थलमे मकालु एयरके विमान दुर्घटना


अगहन, जनकपुरधाम मुगुक ताल्चा विमानस्थलम मकालु एयरक विमान दुर्घटना भेल अछि । नेपालगञ्जसँ उड विमान काल्हि बेरियामे   बाजिकऽ १५ मिनेटमे ताल्चा विमानस्थलम अबतरण करयके क्रमम धावनमार्गम र्घटनाग्रस्त भेल अछि

दुर्घटनाम परि क्याप्टेन पिजे शाह सहित ६ गोटे घाइ ेल ि हुनकासबके इलाजक लेल मकालु एयरक दोसर विमानसँ नेपालगञ्ल पठाओलगेल अछि

अन्य यात्रु  सकुशल रह पुलिस जनौलक अछि । विमान धावन मार्गम उनटला बाद आगी लागल छल । विमानम लाग आगि सुरक्षाकर्मी नियन्त्रणम ेने बताओलगेल अछि

३ वर्ष आगु स्थापना भेल मकालु एयर नेपालगञ्जके आधार मानि कऽ मध्यपश्चिम तथा सुदुर पश्चिमक जिल्लासबमे यात्रु तथा कार्गो लबैत लऽ जाइत अछि

facebook Page Like

  • मनोरँजन