Saturday, November 26, 2011

आइ सहिद भीमदत्त पन्तक ८५ हम् जन्मजयन्ती


केशवराज जोशी

१० अगहन, कञ्चनपुर । आइ अगहन १० गते अर्थात नेपाली किसान आन्दोलनके अगुवा भीमदत्त पन्तक ८५ हम् जन्मजयन्ती विविध कार्यक्रम कऽ मनाओल जाऽ रहल अछि ।

कञ्चनपुरमे अमर सहिद भीमदत्त पन्त स्मृति प्रतिष्ठान राष्ट्रियता एवं राजनीतिक, सांस्कृतिक आ आथिर्क क्षेत्रमे राष्ट्रके ओ देने योगदान आ हमर दायित्वविषयक अन्तरक्रियाके आयोजना कऽ रहल अछि । तत्कालीन जहानीया राणाशासनविरुद्ध किसान क्रान्ति मार्फत फौजी जनसंघर्ष सुरु केने पन्तके अजुके दिन वि.स. १९८३ अगहन १० गते डडेल्धुराके कारिगाउँमे माए सरस्वती देवी आ बाबु तारानाथ पन्तक कोखसँ जन्म भेल छलन्हि ।

पन्त किसान क्रान्तिके सँगे सामाजिक ,आर्थिक, राजनीतिक आ स्वाधीनताके लेल संघर्ष केने छलथि । पन्तेके नामसँ लोकतन्त्र बहालीबाद तत्कालिन महेन्द्रनगर नगरपालिकाके भीमदत्तनगर नगरपालिका नामङ्करण कएलगेल अछि । हुनका तत्कालिन प्रधानमन्त्री मातृका प्रसाद कोइराला आ प्रधानसेनापति किरणशमशेर जवराक निर्देशनमे भारतीय सेना नेपाल प्रवेश कऽ २०१० साउन १७ गते हत्या कएने छल ।

प्रचण्ड आइ बंगलादेश जाऽ रहल


१० अगहन, काठमाडौँ । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल प्रचण्डआइ बंगलादेश जाऽ रहल छथि ।

ओ ढाकामे होबयबला साम्राज्यवाद विरोधी अन्तर्राष्ट्रिय सम्मेलनमे भाग लेबय ओइदिस जाए लागल नयाँबजार स्रोत जनौलक अछि । सम्मेलन काल्हिसँ तीन दिनधरि सञ्चालन हाएत । सम्मेलनमे नेपाल, भारत, बंगलादेश, श्रीलङ्का, भुटान, टर्की, भियतनाम, युगोस्लाभिया आ अमेरिका सहितक देशके प्रतिनिधि सहभागी भऽ रहल अछि । सम्मेलनसँ पैघ आ शक्तिशाली देशसब अविकसित तेसर विश्वके देशसब उपर करयबला शोषण आ अन्यायबारे रणनीति तय कएल जाएत बताओलगेल अछि  

रौतहटके बगहीमे अगिलगि अढाई लाखक क्षति


रुपबहादुर विश्वकर्मा

१० अगहन रौतहट । रौतहटके वगही गाविस वाड नं. ३, फत्तेपुरमे बितलराति अगिलगि भेलासँ अढाई लाख बराबराके क्षति भेल अछि ।

घुर तापय बारने आगि पसरि कऽ स्थानीय ब्रह्मदेव चौधरी आ हरिश्चन्द्र चौधरीके मालजालक घर जरि कऽ नष्ट भेल अछि । राती साढे १२ बजे भेल अगिलगिसँ मालजालक घर सहित ओइमे रहल एकटा महिस आ पाडा तथा साईकल सहितक सामान जलरि कऽ  नष्ट भेल ब्रह्मदेव चौधरी जानकारी देलनि । अहिना हरिश्चन्द्रके मालजालक घर जरल अछि तऽ महिस आ पाडा आगिमे झरकि कऽ घाइल भेल पुलिस जनौलक अछि । स्थानीयबासीक प्रयासमे आगिके नियन्त्रणमे लेलगेल छल ।

थरुहट महासचिव हिरासत मुक्त, बन्द खुलाबयके विषयमे बिमर्श जारी


१० अगहन, काठमाडौँ । थरुहट तराई पार्टी नेपालक केन्द्रिय महासचिव नन्दकुमार चौधरीके पुलिस हिरासतसँ बितलराति मुक्त केलक अछि ।

संविधानसभा विघटनके माँग करैत वितल तीन दिनसँ अनिश्चितकालीन आमहड्तालक आह्वान कएने क्रममे अवरुद्ध राजमार्ग सुचारु कराबयके समय काल्हि भिन्सर पुलिस चौधरीके सिसहनियासँ नियन्त्रणमे लेने छल । अहिबीच लगातार रुपमे होइत आएल बन्द खुलाबयके विषयमे अखन काठमाण्डुमे आन्दोलनरत पक्षबीच बिमर्श भऽ रहल थरुहट महासचिव नन्दकुमार चौधरी जानकारी देलनि अछि ।

अहिसँ आगु जिल्ला प्रशासन कार्यालय दाङ लगातारके बन्दसँ जनजीवन कष्टकर बनैत गेल कहैत सुरक्षा निकायके सहभागितामे बन्द खोलाओल जाएत जनबिते दाङके बजार आ यातायात आंशिक रुपमे खुजल अछि ।

अहिबीच एक समूह सवारी साधनमे पाथर फेकलाबाद एक गोटे घाईल भेल अछि । पाथर प्रहारसँ घोराही नगरपालिका चौघेर निवासी २४ वर्षक रमेश सीरीस घाईल भेल इलाका प्रहरी कार्यालय लमही जनौलक अछि । घाईलके सामुदायिक अस्पताल लमहीमे प्रारम्भिक इलाजक बाद थप इलाजक लेल चितवन पठाओलगेल अछि ।

भारतीय विदेश सचिव मथाइ नेपाल आबि रहल


१० अगहन, काठमाडौँ । भारतीय विदेश सचिव रञ्जन मथाइ नेपालक तीन दिना भ्रमणके लेल आइ नेपाल आबि रहल छथि ।

२ देशके विदेश सचिव बीच नियमित बिमर्शक लेल मथाई बेरियामे पौने ३ बजे नेपाल आबय लागल छथि । द्विपक्षीय सचिवस्तरीय संयन्त्रके गतिशील बनाबयके परम्परा अनुसार भारतीय विदेश सचिव नेपाल भ्रमणमे आबय लागल छथि । यद्यपी कायममुकायम परराष्ट्र सचिव दुर्गाप्रसाद भटराई चीन भ्रमणमे रहलासँ निमित्त सचिव धनञ्जय झा सँग भारतीय विदेश सचिव भेटवार्ता करताह परराष्ट्र मन्त्रालय जनौलक अछि । नेपाल आ भारतबीच दोहरा कर उन्मुक्ति सम्बन्धी सम्झौतामे हस्ताक्षर करय भारतीय अर्थमन्त्री प्रणव मुखर्जी सेहो काल्हि नपाल आबि रहल छथि ।

अहिबीच एमाले नेता भीम रावल आइ मुम्बई जाऽ रहल छथि । प्रवासी नेपाली सङ्घक सम्मेलनमे सहभागी होबय नेता रावल ओइदिस जाए लागल छथि । दुपहर १२ बजे रावलके मुम्बई प्रस्थान करबाक कार्यक्रम छन्हि ।

कांग्रेस म्याद बढाबयके बिषयमे आइ निर्णय लेत


१० अगहन, काठमाडौँ ।
संविधानसभाक कार्यकाल बढाबयके विषयमे नेपाली कांग्रेस आइ औपचारिक निर्णय लेबय लागल अछि ।

ओइके लेल कांग्रेस संसदीय दलक बैसार बेरियाक १ बजेबाद सिंहदरबारस्थित दलक कार्यालयमे बजाओलगेल अछि । अहिसँ आगु काल्हि देउवा पक्षक बहिस्कारके बावजुदो बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारसँ म्याद बढाबयके बिषयमे अन्तिम निर्णय लेबयके अधिकार संसदीय दलके देने छल । यद्यपि बैसार बेसीमे ४ महिना म्याद बढाबय सकयके निष्कर्ष निकाल्ने छल । केन्द्रीय समितिक बैसार बहिस्कार केने देउवा पक्ष संसदीय दलक बैसारमे सहभागी होबय लागल अछि ।

सर्वोच्च अदालत काल्हि म्याद बढाबयके विरुद्धमे परल रिट उपर सुनुवाई करैत आब अन्तिम बेरक लेल ६ महिना म्याद बढाबय दलसबसँ निर्देशन केने छल । सरकार म्याद बढाबय लेल अन्तरिम संविधान-२०६३ के ११ औँ संशोधन प्रस्ताव संसदमे प्रस्तुत कऽ चुकल अछि । पछिला बेर थपल संविधानसभाक कार्यकाल आगामी १४ गहनमे सम्पन्न भऽ रहल अछि ।

अहिबिच म्याद बढाबयके बिषयमे समान धारणा बनाबय एकीकृत माओवादी, नेपाली काङ्ग्रेस आ नेकपा एमालक शीर्ष नेतासबहक बैसार सेहो बेरियामे बैसत । बेरियामे बिमर्श कऽ संविधानसभाके म्याद बढाबयके बिषयमे साझा धारणा सार्वजनिक हाएत नेपाली काङ्ग्रेसक महामन्त्री कृष्णप्रसाद सिटौला जानकारी देलनि ।

काल्हि बैसल  प्रमुख तीन दलक बैसारमे सर्वोच्च अदालत केने फैसलाक अध्ययन कऽ क आइ साझा धारणा बनाबयके सहमति भेल छल । समय बढाबयके बिषयमे सरकारक  प्रस्ताव पर काल्हि संसदमे  मतदान हाएत ।

अखन धरि प्रदर्शित मैथिली फिल्म

मैथिली फिल्म के इतिहासमें बडका पर्दा पर अखन धरि प्रदर्शित फिल्म



वर्ष १९९९ के अंत मैथिली फिल्म के स्वर्णिम काल
मैथिली फिल्म के आधुनिक स्वरूप मुखिया जी प्रदर्शन के करिव
कन्यादान .......................................१९७१
जय बाबा बैधनाथ .............................१९७३
ममता गाबे गीत ..............................१९८२
सस्ता जिन्दगी महंग सेनुर ................१९९९
आऊ पिया हमर नगरी .......................२०००
सेनुरक लाज ....................................२००४
कखन हरब दुःख मोर ........................२००५
दुलरवा बाबु .....................................२००६
सेंदुरदान..........................................२००८
सेनुरया{साउथ के मथिली में रूपांतरण} ..२०१०
अपन गाम अपन लोग [अ प्रदर्शित}.........२०१०
पिया संग प्रीत करब कोना ...................२०१०
सजना के अंगना में सोलह सिगार .........२०११
मुखिया जी {कमिग सुन}......................२०११

साभार:-शशि मोहन दरभंगा

facebook Page Like

  • मनोरँजन