Sunday, March 13, 2011

आब गृह माओवादीएके भेटत : एमाले प्रमुख सचेतक


२९ फागुन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक प्रमुख सचेतक भीमप्रसाद आचार्य आबके मन्त्रिपरिषद् विस्तारमे गृहमन्त्रालय माओवादीएके भेटत स्पष्ट कएलनि अछि ।
एमालेभितर गृहमन्त्रालयके विषयमे विवाद कायम रहले समय आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे सचेतक आचार्य आगामी विस्तारमे माओवादी गृहमन्त्रालय पाओत स्पष्ट कएलनि अछि । ओ कहलनि-’अखन गृहमन्त्रालयमे विवाद रहलास किछ समयके लेल प्रधानमन्त्री ओ पद अपने रखने छथि । आब माओवादीए गृहमन्त्रालय पाओत ।’
आचार्य आगामी एक सप्ताहभितरे सरकार पहिल चरणक आंशिक पूर्णता पाओत दावी करैत ओइमे मधेसवादी दलसब सेहो सहभागी हाएत दावी कएलनि । मधेसवादी दलसब मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल आ तमलोपा नेपाल सहितक मधेसवादी आ अन्य दलसब सेहो सहभागी दु तिहाई स बेसीके समर्थन रहल सरकार बनत दावी कएलनि ।

फोरम आ तमलोपा नेपाल सरकारमे नै जाएत

२९ फागुन, काठमाडौं । मधेसी जनअधिकार फोरम नेपाल आ तमपोला नेपाल तत्काल सरकारमे नै जायबला अछि । तमलोपा नेपालक अध्यक्ष महेन्द्र यादव, फोरम नेपालक महासचिव रामसहाय यादव सहितक मधेसवादी दलसब एखुनक सरकारमे कोनो हालतमे सहभागी नै हाएब बतौलक अछि ।
आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कार कार्यक्रममे तमलोपा नेपालक अध्यक्ष महेन्द्र यादव, अपन पार्टी सरकारमे सहभागी नै हाएत स्पष्ट कएलनि । मधेसवादी दलसब सरकारमे जाएके बात सरकारक दिवास्वप्न मात्रे हाएत कहैत ओ कहलनि ’ प्रधानमन्त्रीक नेतृत्वमे मधेसवादी कोनो हालतमे सरकारमे नै जाएत ।’
ओ मधेसवादी दलसब सरकारमे जाएस बेसी मधेसी मोर्चाके मजबुत बना क आगु बढ्यके योजनमे रहल स्पष्ट कएलनि । जेठ १४ गतेभितरमे नयाँ संविधान नै बनत त ताजा जनादेशके लेल निर्वाचनमे जाए परत कहैत ओ ओना होबय नै सकत त मधेसमे विद्रोह करब बतौलनि ।
फोरम नेपालक महासचिव यादव एक मधेस प्रदेशसहित मधेससँग भेल सम्झौतामे लिखित प्रतिबद्धता नै आबएधरि फोरम सरकारमे नै जाएत स्पष्ट कएलनि ।
कार्यक्रममे सदभावना पार्टीक सहअध्यक्ष कर्ण जेठ १४ गतेधरिमे संविधान जारी नै हाएत त मधेसवादी दलसब संविधानसभामे नै रहत दावी कएलनि । ओ समग्र मधेसके एक प्रदेशके रुपमे नै स्विकारय धरि अपनेसब जारी भेल संविधान नै मानब स्पष्ट कएलनि ।

समयमे संविधान निर्माण हाएत : सभाध्यक्ष

२९ फागुन, काठमाडौं । संविधानसभाक अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ तोकले समयमे संविधान निर्माण हएत बतौलनि अछि ।
नेपाल-भारत दलित मैत्री संघक प्रथम राष्ट्रिय महाधिवेशन तथा राष्ट्रिय दलित सम्मेलनके आइ उद्घाटन करैत नेम्वाङ संविधान लेखनके क्रममे देखलगेल अधिकाँश विवादित विषयमे दलसबबीच सहमति भचुकल कहैत समयमे संविधान निर्माण हाएत बतौलनि । शान्ति प्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचबैत नयाँ संविधान लेखनके दिशामे दलसब सक्रियाताके साथ लागल हुनक कहब छलनि । सभाध्यक्ष नेम्वाङ नयाँ बनयबला संविधानके सेहो दलितमैत्री बनाबय स्वयं दलित समुदायके सक्रिय होबय परतमे जोड देलनि ।
कार्यक्रममे सभाध्यक्ष नेम्वाङ ‘भगत सर्वजित विश्वकर्मा अन्तर्राष्ट्रिय पुरस्कार’स भारतके लोकसभाके सभामुख डा. मीराकुमार आ ‘भगत सर्वजित विश्वकर्मा राष्ट्रिय पुरस्कार’स दलित आन्दोलनके अगुवा पद्मसिंह विश्वकर्मा तथा ‘टीआर विश्वकर्मा राष्ट्रिय पुरस्कारस तत्कालीन राष्ट्रियसभाक पूर्वउपाध्यक्ष रामपि्रत पासवानके सम्मान कएलनि ।

युनुसके अन्तराष्ट्रिय अपराधीसँग साँठगाँठः पुलिस

२९ फागुन, काठमाडौं । पुलिस जाली नोट कारोबारक आरोपमे केन्द्रीय कारागारमे थुनामे रहल नेशनल टेलिभिजनके अध्यक्ष युनुस अन्सारी जेल भितरेस अन्तराष्ट्रिय अपराधी संगठनसँग साँठगाँठ केने आरोप लगौलक अछि ।
बृहस्पतिदिन भेल गोलीकाण्डबारे स्पष्टिकरण देबय आइ व्यवस्थापिका संसदके राज्य व्यवस्था समितिके बैसारमे पहुँचल प्रहरी महानिरीक्षक रमेश चन्द ठकुरी, अन्सारी बाबक उपनामस अपराधी संगठनसँग साँठगाँठ क रहल आरोप लगौलनि अछि । अनुसन्धानके क्रममे रहल कहैत ओ कुन अपराधिक संगठन अछि से नै कहलथि ।
महानिरिक्षक ठकुरी श्रोत आ साधानके अभाव तथा सामान्य मानविय त्रुटीके कारण अपराधी केन्द्रीय कारागारमे पहुँचय सफल भेल बतौलनि । ओ गोलीकाण्ड होइते जसजीत सिंहके गिरफ्तार कएलगेल कहैत ओकर बारेमे अनुसन्धान भरहल बतौलनि ।
समितिके बैसारमे गृह सचिव गोविन्द कुसुम श्रोत आ साधनके अभाव तथा कारागारके संरचना व्यवस्थित नै भेलास गोलीकाण्ड भेल बतौलनि ।
बैसारमे सभाषदसब प्रहरी प्रशासनस गम्भीर लापर्वाही भेल तथा कारागार अपराधीके क्रीडास्थल बनल कहैत आप्पत्ति जनौलक अछि । गोलीकाण्डबारे बिमर्श करय समितिक बैसार काल्हि सेहो बैसत । त्रिपुरेश्वस्थित केन्द्रीय कारागारमे रहल अन्सारी उपर सिंह बृहस्पतिदिन गोली प्रहार केने छल ।

लिम्वुवान राज्य मँगैत भुख हड्ताल प

२९ फागुन, धरान । संघीय लिम्वुवान राज्य परिषद पूर्वाञ्चलके बिभिन्न स्थानमे १२ घण्टे भुख हड्ताल सुरु केलक अछि । अरुण पूर्वके ९ जिल्लाके लिम्वुवान राज्यके घोषणा करयके माँग करैत आन्दोलन करहल परिषदक कार्यकर्तासब, पुर्वके धरान, इटहरी सहितक शहरमे भुख हड्ताल शुरु केने अछि ।
परिषदक कार्यकर्ता तोकल समय भितरेमे संबिधान जारी करय परत, संविधानमे स्वायत्त जातीय राज्यके ग्यारेन्टी करय परत सहितक माँग रखने अछि ।

मन्त्रीसब चुनय माओवादी बैसार काल्हि सोमदिन


२९ फागुन, काठमाडौं । सरकारमे जाएबला नेतासबहक नाम तय करय एकीकृत नेकपा माओवादीक स्थायी समितिक बैसार काल्हि बैसय लागल अछि ।
पार्टी कार्यालय पेरिसडाँडाके सचिव शक्ति बस्नेत स्थायी समितिके बैसार काल्हिके लेल बजाओलगेल जानकारी देलनि । बैसारस ६ मन्त्रीके नाम चुनल जाएत । सरकारमे जाए चाहयबला नेतासब बहुत भेलाबाद माओवादी मन्त्रीसबहक नाम चयन करय नै सकल अछि ।
६ मन्त्री आ ११ राज्यमन्त्री पठाबय बाँकी माओवादीमे १ सयस बेसी नेतासबहक नामावली अछि । अध्यक्ष पुष्पकमल दहाल प्रचण्ड, उपाध्यक्ष मोहन वैद्य किरण आ डाक्टर बाबुराम भट्टराई पक्षक नेतासबके अपनाके सरकारमे पठाबय दबाब दैत आएल अछि । सरकारमे जाए चाहबलासब बेसी भेलाबाद माओवादी अहिस आगु ४ गोटेके मात्र सरकारमे पठौने छल ।
कौल्हुका स्थायी समितिके बैसारमे मजदुर संगठनमे देखलगेल विभाजनस सेहो प्राथमिकता पाओत एक नेता जानकारी देलनि । माओवादीमे मजदुर संगठन अखिल नेपाल ट्रेड युनियन महासंघ अध्यक्ष प्रचण्ड, उपाध्यक्ष किरण आ भट्टराई समुह क तीन खेमामे बिभाजित भेल अछि ।

जापानके एकटा आओर परमाणु रेक्टरमे लिकेज


जापान फागुन २९ । जापानके फुकुशिमाके परमाणु सँयन्त्रके तेसर रिएक्टरस परमाणु बिकिरणके लिकेज होयबाक आशँका रहल जापानक मुख्य कैबिनेट सचिब युकिनो इडानो बतौलनि अछि ।
अहिस पहिने काल्हि अइ परमाणु सँयन्त्रमे बिष्फोट भेल छल आ पहिल रिएक्टरस परमाणु बिकिरणके लिकेज होनाइ शुरु भेल छल । काल्हि भेल ओहि बिष्फोटनके बाद धुँवा निकलय शुरु भेल छल आ कतेकौ कर्मचारी घाइल सेहो भ गेल छल । अहि बिष्फोटनके बाद परमाणु सँयन्त्रके २० किलोमिटरके क्षेत्रमे रहयबला हजारो ब्यक्तिके इलाका खाली कराओल गेल अछि त ६० किलोमिटरके क्षेत्रमे जाएस सेहो रोक लगाओल गेल अछि ।
एम्हर जापान सरकार एक लाख सेनाके राहत आ बचाब कार्यमे खटौने अछि । २ लाखस बेसी गोटे शिबिरमे रहिरहल बताओल गेल अछि । जापान १७ हजार गोटेके मृत या लापता घोषित केने अछि ।

खेल समाचार

फागुन २९ । I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत भारतक मुम्बइमे भ रहल न्युजिलैण्ड आ क्यानाडा बिचक खेलमे न्युजिलैण्ड क्यानाडा समक्ष जितयके लेल ३५९ रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
क्यानाडा टस जित कऽ फिल्डिङ करके निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल न्युजिलैण्ड ६ बिकेटक क्षतिमे ३५८ रन बनौलक अछि ।
प्रतिउत्तरमे उतरल क्यानाडा टिम समाचार तयार करयधरि ११ ओभर खेलैत २ बिकेटक क्षतिमे ४१ रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , आजुक दोसर अष्ट्रेलिया आ केन्या बिचक खेलमे अष्ट्रेलिया टस जित कऽ पहिने बल्लेबाजि करैत समाचार तयार करयधरि २ ओभर खेलैत बिना कोनो बिकेटक क्षतिमे १७ रन बनाक खेल रहल अछि ।

खेल समाचार

फागुन २९ । I C C क्रिकेट वर्ल्ड कप अन्तर्गत एखनि भ रहल न्युजिलैण्ड आ क्यानाडा बिचक खेलमे क्यानाडा टस जित कऽ फिल्डिङ करके निर्णय कएलाकबाद पहिने बल्लेबाजि करए उतरल न्युजिलैण्ड समाचार तयार करयधरि,, ,,,,४१,,,,, ,, ओभर खेलैत,,,,,,,४,,,, बिकेटक क्षतिमे,,,,,,,२५५,, रन बनाक खेल रहल अछि ।
अहिना , दोसर अष्ट्रेलिया आ केन्या बिचक खेल आइ बैगलौरमे नेपाली समय अनुसार पौने ३ बजेस हाएत ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन