Sunday, August 14, 2011

दहेज नहि लौअने आरोपमे हत्या करयबलाके छोडयके तयारी


२९ साउन, रौतहट । हत्या आरोपीके छोडय चाहने कहैत आक्रोशित स्थानीयबासी रौतहटके गौर आ चन्द्रनीगाहपुर जोडयबला वीरेन्द्र राजमार्ग आइ भिन्सरेसँ अनिश्चितकालके लेल बन्द करौलक अछि ।

पुलिस हिरासतमे रहल हत्याराके कारबाही नहि कऽ रिहा करय लागल खबर औलाबाद मृतकके परिवारजन आ चन्द्रनीगाहपुरके स्थानीयबासी भिन्सर ८ बजेसँ ओ राजमार्ग ठप्प केने अछि । बितल १ असारमे चन्द्रनीगहापुर-१ के किरण साहके हुनके पति गुड्डु साह, साउस, नन्दि आ मामा दहेज नहि लौअने आरोपमे चरम शारीरिक यातना द ऽ हत्या केने छल । हत्यामे संलग्न रहल आरोपमे गिरफ्तार भेल चारु गोटे हाल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रौतहटके हिरासतमे अछि ।

रामपुर कृषि क्याम्पस अनिश्चितकालक लेल बन्द


२९ साउन, चितवन । बक्यौता महशुल नहि तिरने कहैत नेपाल विद्युत प्राधिकरण बिजुलीके लाइन काटि देलाबाद चितवनके रामपुरस्थित कृषि तथा वन अध्ययन संस्थान अनिश्चितकालके लेल बन्द भेल अछि ।

विद्युत अभावमे कृषि तथा भेटेनरीके कक्षा सञ्चालन होबय नहि सकलासँ बन्द करय परल क्याम्पस प्रशासन जनौलक अछि । क्याम्पस प्रशासन बन्द भेल बारे आधिकारिक रुपमे जानकारी नहि करैबतो प्राध्यापकसब विज्ञप्ति निकालि कऽ विद्युतके वैकल्पिक व्यवस्था नहि होबयधरि क्याम्पसमे पठन-पाठन बन्द कएल गेल जनौलक अछि । ओसब क्याम्पस सुचारु करय तत्काल विजुलीके वैकल्पिक व्यवस्था करय माँग सेहो केलक अछि ।

क्याम्पसके करिब ४  करोड रुपैयाँ विद्युत महशुल बुझाबय बाँकी रहल प्राधिकरण जनौलक अछि ।

तस्बिर



तस्बिर

तस्बिर







मधेसवादी सहित तीन दलक बैसार सुरु


२९ साउन, काठमाडौँ । पूर्वघोषणा अनुसार काल्हि पदसँ राजीनामा नहि देने प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आइ सहमतिके अन्तिम प्रयासस्वरुप तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबहक बैसार आहृवान कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्रीके सरकारी निवास बालुवाटारमे जारी बैसारमे प्रधानमन्त्री सेना समायोजनके मोडालिटी, संख्या, तह मिलान, पुनःस्थापना प्याकेज, पुर्नवर्गीकरण सहितक विषयमे स्पष्ट खाका प्रस्तुत काएल जाएत बताओल गेल अछि । । नेपाली कांग्रेसक नेतासब मधेसी मोर्चाके सहभागिता बिना होबयबला बिमर्शके कोनो औचित्य नहि रहल कहैत बैसार स्थलसँ बहराएलाबाद अहिसआगु काल्हि बैसल बैसार ऐजेण्डामे प्रवेश बिना केनेही स्थगित भेल छल ।

प्रधानमन्त्री काल्हि माओवादी आ कांग्रेस नेतासबसँग अपन विकल्प तयार नहि हाएत त राजीनामा देबयके औचित्य नहि रहल कहैत तत्काल राजीनामा नहि देब बतौने छलथि ।

बैसारमे एमालेक खनाल, उपाध्यक्ष बामदेव गौतम, महासचिव ईश्वर पोखरेल, वरिष्ठ नेता माधव नेपाल आ घनश्याम भुसाल, माओवादीसँ अध्ययक्ष प्रचण्ड उपाध्यक्षत्रय मोहन वैद्य, बाबुराम भट्टराई आ नारायणकाजी श्रेष्ठ, महासचिव राम बहादुर थापा आ सचिवद्वय पोष्टबहादुर बोगटी आ सिपी गजुरेल सहभागी छथि ।

अहिना कांग्रेससँ सभापति सुशील कोइराला, वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा, उपसभापति रामचन्द्र पौडेल आ महामन्त्री कृष्ण सिटौला तथा मधेसी मोर्चासँ फोरम लाकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार, फोरम गणतान्त्रिकके अध्यक्ष जेपी गुप्ता, तमलोपाक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर आ सद्भावनाक अध्यक्ष राजेन्द्र महतो सहभागी छथि । कांग्रेस अडानक कारण मधेसी मोर्चाके बजौने प्रधानमन्त्री मोर्चा बाहर रहल उपप्रधान तथा परराष्ट्रमन्त्री फोरम नेपालमे अध्यक्ष उपेन्द्र यादवके सेहो सहभागी करौने छथि ।

बालुवाटार स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री खनाल आइराति धरिमे शान्तिप्रक्रिया, संविधान लेखन आ राष्ट्रिय सहमतिबारे दलसबबीच ठोस सहमति नहि हाएत त काल्हि व्यवस्थापिका संसदक बैसारमे राजीनामा देबयके तयारीमे छथि ।

एमाले केन्द्रीय समितिक बैसार आइ


९ साउन, काठमाडौँ । पार्टी अध्यक्षसमेत रहल प्रधानमन्त्री झलनाथ खनालक अस्वस्थताके कारण लम्बा समयसँ अवरुद्ध एमाले केन्द्रीय समितिक बैसार आइ  बैसय जा रहल अछि ।

बैसार पार्टी मुख्यालय बल्खुमे भिन्सर ११ बजे बजाओलगेल अछि । राष्ट्रिय सहमतिके वातावरण बनय नहि सकलासँ देश भताभुङ हाएत कहैत खनाल राजीनामाके पाछु घुसकौलेन अछि । बैसारमे प्रधानमन्त्रीके राजीनामा, शान्तिप्रक्रिया, संविधान निर्माण, पार्टीके भावी रणनीति सहितक विषयमे बिमर्श हाएत बताओलगेल अछि ।

स्रोतक अनुसार वरिष्ठ नेता माधव नेपाल आ स्थायी समिति सदस्य केपी ओली पक्ष पार्टी स्थायी समितिके निर्णय विपरीत खनाल मन्त्रिमण्डल पुनर्गठन केने विषयके बैसारमे कडा रुपसँ  उठाओल जाएत ।

ब्रिटिस सांसद सदस्य नेपाल आबिरहल


२९ साउन, काठमाडौँ । ब्रिटिस सांसदके सदस्य एम्मा रेइनोल्ड्स आइ नेपाल आबि रहल छथि ।

ओ राष्ट्रिय शैक्षिक अभियानके अन्तराष्ट्रिय विकास एजेन्सी (भिएसओ) के दिससँ सहयोग करय नेपाल आबय लागल छथि । नेपाल रहयके क्रममे ओ राष्ट्रिय शैक्षिक अभियानसँग मिल कऽ बिभिन्न शैक्षिक विषयमे कार्यशाला आयोजना करतिह बताओल गेल अछि ।

जिपक ठक्करसँ एक गोटेके मृत्यु


२९ साउन, काठमाडौँ । बर्दियाके बाँसगढीमे जिपक ठक्करसँ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
कोहलपुरसँ बर्दियाके कर्तनिया जा रहल भे १ ज ६३ नम्बरक जिपक ठक्करसँ मोतिपुर-८ के ४५ वर्षक बाबुराम सुनारके मृत्यु भल अछि ।

सडक पार करय काल काल्हि साँझ जीपक ठक्करसँ गम्भीर घाइल भेल सुनारके इलाजक लेल भारतके लखनउ ल जाइत काल बाटेमे  मृत्यु भेल पुलिस जनौलक अछि ।

प्रधानमन्त्री सहमतिके अन्तिम प्रयास करताह


२९ साउन, काठमाडौँ । पूर्वघोषणा अनुसार काल्हि पदसँ राजीनामा नहि देने प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आइ सहमतिके अन्तिम प्रयासस्वरुप तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबहक बैसार आहृवान कएलनि अछि ।

प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार सूर्य थापा मधेसी मोर्चासहित तीन दलक बैसार साढे ८ बजे बालुवाटारमे बजैबतो बैसार बैसत नहि बैसत निश्चित नहि रहल जानकारी देलनि । नेपाली कांग्रेसक नेतासब मधेसी मोर्चाके सहभागिता बिना होबयबला बिमर्शके कोनो औचित्य नहि रहल कहैत बैसार स्थलसँ बहराएलाबाद अहिसआगु काल्हि बैसल बैसार ऐजेण्डामे प्रवेश बिना केनेही स्थगित भेल छल ।

थापाक अनुसार बैसारमे प्रधानमन्त्री सेना समायोजनके माडालिटी, संख्या, तह मिलान, पुनःस्थापना प्याकेज, पुर्नवर्गीकरण सहितक विषयमे स्पष्ट खाका प्रस्तुत करयके तयारी कएने छलथि । प्रधानमन्त्री काल्हि माओवादी आ कांग्रेस नेतासबसँग अपन विकल्प तयार नहि हाएत त राजीनामा देबयके औचित्य नहि रहल कहैत तत्काल राजीनामा नहि देब बतौने छलथि ।

बालुवाटार स्रोतक अनुसार प्रधानमन्त्री खनाल आइराति धरिमे शान्तिप्रक्रिया, संविधान लेखन आ राष्ट्रिय सहमतिबारे दलसबबीच ठोस सहमति नहि हाएत त काल्हि व्यवस्थापिका संसदक बैसारमे राजीनामा देबयके तयारीमे छथि ।

आइ गाईजात्रा


भक्तपुर, श्रावण २९ । आठ रातिधरि मनाओल जाएबला गाइजात्रा आइसँ सुरु भऽरहल अछि ।

अन्य नाचसँ अलग नाचके रूपमे रहल घिन्ताङघिसी नाच नचैत भक्तपुरवासी आइ गाईजात्रा पर्व मनाबि रहल अछि ।

नाच देखय ललितपुर, काठमाडौ बनेपा आ साखुके सर्वसाधरण सब जाइत अछि ।

घिन्ताङघिसी लगायत अन्य नाच नचाबय दु सप्ताहसँ अभ्यास कऽक गाईजात्राके दिन निकालल जाइत अछि । घिन्ताङघिसी नाच जोडीजोडी बनि कऽ लाठी टकराकऽ नाचल जाइत अछि ।

नगरक विभिन्न ठामसँ नाच निकालल जाइत अछि । वर्षभरि दिवंगत भेल परिवारजनक यादमे गाईके या गाई नहि रहल अबस्थामे आदमिएके गाईके रूपमे सजाकऽ अपन अपन क्षेत्रमे परिक्रमा कराओल जाइत अछि ।  एक वर्षभितर देहान्त भेल परिवारजनक दिवंगत आत्मा मोक्ष प्राप्त करेय कहि प्रत्येक वर्ष श्रावण शुक्ल प्रतिपदाके दिनसँ आठ दिनधरि इ जात्रा मनाओल जाइत अछि ।

दाहालक पिता गम्भीर बेमार


काठमाडौं , श्रावण २९ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहालक बाबु मुक्तिराम दाहाल गम्भीर बेमार भेलाबाद हुनका बालाजुस्थित जनमैत्री अस्पतालमे भर्ना कएलगेल छन्हि । हुनका  तीन दिनसँ आईसीयूमे राखलगेल हुनकर पोता प्रकाश जानकारी देलनि अछि ।

८५ वर्षक दाहालके पिसाबसम्बन्धी समस्या रहयके सँगे बोखार लागल प्रकाश जानकारी देलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन