Saturday, February 26, 2011

बलात्कारके आरोपमें निलंबित

एजेन्सी, फागुन १४ । एक लड़कीके सँग बलात्कारक आरोप लगलाबाद राष्ट्रवादी कांग्रेस पार्टी अपन एक विधायक दिलीप वाघके पार्टीस निलंबित केलक अछि । पार्टी प्रवक्ता नवाब मलिक अई बातक पुष्टि केलनि अछि ।
रिपोर्टके अनुसार जलगाँवके पचौरा इलाकास विधायक दिलीप वाघ आ हुनक निजी सहायक महेश माली प आरोप अछि जे ओ एक 21 वर्षक लड़कीके नौकरी देबयके बहानास नासिक बजा क एक सरकारी गेस्ट हाउसमें ओकरा सँग बलात्कार केलक अछि । ई घटना 21 फ़रवरीके भेल बताओल जारहल अछि ।
पुलिस केस दर्ज केने अछि आ पार्टी अई सम्बन्धमे कोनो हस्तक्षेप नहि क रहल अछि ।

सरकारके पूर्णता नै देबय षडयन्त्र भेल अछि - दाहाल

काठमाडौ, फागुन १४ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल सरकारके पूर्णता नै देबय षडयन्त्र भ रहल आरोप लगौलनि अछि ।
आई राजधानीमे ओयोजित एक कार्यक्रममे बजैत ओ सरकार निर्माणके पूर्णता देबय अपनेसब लडिरहल बतौलनि ।
माओवादी आ एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनालबीच भेल सात सुत्रिय गोप्य सम्झौताके बाद पछिला समयमे सम्झौताके कडा विवाद झेल्ने माओवादी सरकारमे जाए नै सकल अछि । माओवादी सरकारमे सहभागी नै भेलाबाद खनाल नेतृत्वक सरकार पूर्णता नै पौअने अछि ।
अध्यष दाहाल शान्ति आ संविधान निर्माणकै लेल अपनेसब लागिपरल बतौलनि । ओ शान्ति आ संविधान निर्माणमे बाधक बनयबलासब अपने समर्थन केने सरकारके पूर्णता नै देबय षडयन्त्रके प्रपन्च रचिरहल उल्लेख कएलनि । दाहाल शान्ति आ संविधानक लेल सरकारके पूर्णता देबय पार्टीके प्रयास जारी रहल बतौलनि ।
गृह मन्त्रालयमे दावा केने माओवादी गृह पाबय नै सकलाबाद माओवादी सरकारमे जाए नै सकल अछि । माओवादी सात सुत्रिय सहमति पूर्ण रुपमे कार्यान्यवन करयके अडान रखैत आएल अछि ।

लिबियास उद्धार कएलगेल ६० गोटे नेपाल आएल

काठमाडौं, फागुन १४ । लिबियास उद्धार कक इजिप्ट पहुँचाओलगेल नेपाली मजदुर मेस ६० गोटे आइ नेपाल घुरल अछि ।
इजिप्टमे रहल नेपाली दुतावासक संरक्षणमे रहल ५ सय ६२ मे स ६० गोटे नेपाली काठमाडौंमे आएल अछि । इजिप्ट पहुँचाओलगेल बाँकी नेपालीके सेहो काल्हिधरि नेपाल लाबयके तयारी भ रहल अछि । लिबियामे जारी सरकार विरोधी आन्दोलनके कारण जोखिममे परल नेपालीके बितल बुधदिन उद्धार क इजिप्ट पहुँचाओलगेल छल ।
ओकरसबहक खाएके आ रहयके लेल मजदुर कोषमे रहल ३० हजार अमेरिकी डलर दुतावासमे पठाओलगेल अछि । सरकारक प्रवक्ता गंगालाल तुलाधरके अनुसार नेपालीसबके स्वदेश घुराबय लागल सब खर्च नेपाल सरकारके देबय परत ।

अमरीका लगौलक लीबिया पर प्रतिबंध

अमरीका , फागुन १४ । अमरीका लीबिया पर प्रतिबंध लगाबयके घोषणा कएलक अछि । अमरीकी राष्ट्रपति बराक ओबामा कहलनि अछि जे कर्नल गद्दाफ़ीके सरकार अंतरराष्ट्रीय नियमके उल्लंघन कएलनि अछि ।
अमरीका अई प्रतिबंधके अनुसार लीबियास संबंधित कोनो ढँगक वित्तीय लेन-देन आ जमिनके ख़रीद-बिक्री पऽ रोक लगौलक अछि ।
ओबामा कहलनि जे अई प्रतिबंधके निशाना पऽ कर्नल गद्दाफ़ी आ हुनक परिवारके सदस्य अछि मुदा ई प्रतिबंधके लीबियाके आम नागरिकके हितके रक्षा करत ।
ओम्हर, ब्रिटेन आ फ़्रांस सयुंक्त राष्ट्र सुरक्षा परिषदमें एक प्रस्ताव तैयार क लीबिया पऽ हथियार ख़रीद-बिक्रीके अलावा वित्तीय प्रतिबंध लगाबयके प्रावधान रहल बतौलक अछि ।
अहिस पहिने सयुंक्त राष्ट्रक महासचिव बान की-मून सुरक्षा परिषदस लीबियाके संकट पऽ 'निर्णायक कार्रवाई' करय लेल आग्रह केलनि अछि ।
ओ कहलनि जे कर्नल गद्दाफ़ीके प्रशासन मानवाधिकारके उल्लंघन क रहल अछि आ आब ओहिठाम एक हज़ार स बेसीके मृत्यु भचुकल अछि ।
न्यूयॉर्कमें सुरक्षा परिषदके बैसारमें बजैत महासचिव बान लीबियामें खाद्य संकटके चेतावनी दैत कहलनि जे ओईठाम शरणार्थिके समस्या विकट होईत जा रहल अछि ।

सरकार जल्दिए पुर्णता पाओत खनालक दावा

ललितपुर, फागुन १४ । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल सरकार जल्दीए पूर्णता पाओत दावी कएलनि अछि ।
एमाले ललितपुरक अगुवा कार्यकर्ता जमघटके आइ सम्बोधन करैत प्रधानमन्त्री खनाल सरकार विस्तारक लेल दलसबसँग बिमर्श भरहलास जल्दीए पूर्णता पाओत बतौलनि ।
ओ कहलनि जे - सरकारके विस्तार करयके सिलसिलामे हमसब पार्टीसबहक बीचमे बिमर्श करहल छी । हमरा विश्वास अछि जे हमसब जल्दिए एकटा निष्कर्षमे पहुँचब।’
प्रधानमन्त्री खनाल समाजमे अखनो सामन्ती अवशेषसब बाँकी रहलास देशमे सामाजिक क्रान्ति आवश्यक रहल बताौलनि ।

७ सुत्रिय सहमति सत्ता कब्जा करबाक मनसाय : राणा

वीरगन्ज, फागुन १४ । राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीक अध्यक्ष पशुपतिशमशेर राणा मन्त्रालय बाँटबखरा करैत सत्ता कब्जा करबाक नियतस माओवादी आ एमालेबीच ७ सुत्रिय सहमति भेल दाबा कएलनि अछि ।
पर्साके वीरगन्जमे आइ भिन्सर आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे ओ जनसेनाके अलगे फोर्स बनाबयके आ दीर्घकाल धरि सरकारक नेतृत्व फेराफेरी करयके कहि कएलगेल सहमति सत्ता कब्जा करबाक नियत रहल दावा कएलनि । माओवादी आ एमाले बीच भेल सात सुत्रिय सहमति मान्य नै हाएत अध्यक्ष राणा दोहरौलनि ।
राजनीतिक अस्थिरताके कारण देश भयावह अवस्थास गुजरिरहल बतबैत ओ अहिके मुख्य दोषी एखुनक सरकार रहल आरोप लगौलनि । आठ महिनाधरि प्रधानमन्त्री चयन करय नै सकयबला तीन दल आबके बाँकी तीन महिनामे संविधान बनाबऽ नै सकत ओ ठोकुवा कएलनि ।

मधेशी मुक्ति टाईगस्र काल्हि वार्ता समिति गठन करत

राजविराज माघ १४ ।

सरकारसंग वार्तारत मधेशी मुक्ति टाईगस्र काल्हि नयाँ वार्ता समिति गठन करय लागल अछि ।

टाईगस्रके केन्द्रिय अध्यक्ष रमण िसंह आइ भिन्सर राजविराजमे पत्रकार सम्मेलन क काल्हि वार्ता समिति गठन करयके बिषयमे जानकारी देलनि अछि । अहिस आगु मंगल पाण्डे संयोजकत्वमे रहल वार्ता समितिके टाईगस्र विघटन क चुकल अछि । वार्तामे रहियोक पार्टीके नाममे चन्दा उठाबयके सर्वसाधारणके दुख देबयके काजमे पाण्डे सहितक किछ व्यक्तिसब संलग्न रहल कहैत वार्ता समिति विघटन केने टाईगस्रक अध्यक्ष िसंह जानकारी देलनि ।

मधेशबादी दलसब सत्ताके छिनामुपटीमे लिप्त रहलाक कारण अपनाके मधेशमे संगठन निर्माणमे कठिनाई भेल दाबी समेत केलक अछि ।

राजविराजमे मौन जुलुस प्रदर्शन

राजविराज माघ १४ । अपहरणमे परल बालक ६ दिन बितलाक बादो रिहा नै भेलाबाद आइ भिन्सर प्याव्सनके अगुवाईमे राजविराजमे मौन जुलुस प्रदर्शन कएल गेल अछि ।

अपहरित बालक आयुष साहके निशर्त रिहाईके माँग करैत शिवमन्दिरके प्राङगणमे जमघट भेल नीजि तथा सामुदायिक विद्यालयके शिक्षक शिक्षिका नागरिक समाजक अगुवा सम्मिलीत जुलुस नगरक विभिन्न भागके परिक्रमा कएने छल ।

अपहरित बालकके रिहा कराबय गठित संघर्ष समितिके आइ बैसत कहलगेल बैसार स्थगित भेल अछि । नयाँ चरणके आन्दोलन तय करय बैसय लागल बैेसार प्रमुख जिल्ला अधिकारी कैलाशनाथ खरेल ११ बजे सर्वपक्षीय बैसारक आव्हना केलाके कारण स्थगित भेल प्याव्सनक अध्यक्ष अनिल झा जानकारी देलनि अछि ।

अहिबीच अपहरित बालकके खोजी करय जिल्ला प्रहरी कार्यलय सप्तरी प्रहरी नायव उपरिक्षक सन्जीव शर्माके संयोजकत्वमे बितल राति ९ सदस्यीय छानवीन समिति गठन कएलक अछि ।

अहिस आगु काल्हि आम हड्ताल भेल छल ।स्थानीय गौतम शिशु सदनमे नस्ररी कक्षामे अध्ययनरत पाँच बर्षक आयुष बिद्यालयमे बिदा भेलाबाद घर घुरबाक क्रममे व्यस्त सडकेस सोमदिन अपहरणमे परल छल ।




बाबुके हत्या करय निकलल युवा रिभल्बर सहित गिरफ्तार

झापा, फागुन १४ । झापाके दमकस पुलिस एकथान रिभल्वर सहित दु युवाके गिरफ्तार कएलक अछि । स्थानीय एन्जल धिमाल आ उज्ज्वल धिमाल रिभल्बर सहित गिरफ्तार भेल अछि ।
एन्जल दमक नगरपालिकाके पूर्वमेयर मोहन धिमालके बेटा अछि । बाबु दोसर कनिया लौअने कारण बाबुके मारय रिभल्वर लऽक निकलल एन्जल पुलिसके बयानमे देलक अछि ।
बाबुके मारय कहि निकलल एन्जल आ ओकर साथी उज्ज्वलके गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

महिला हत्यामे पेशेवर अपराधी

जनकपुरधाम, फागुन १४ ।
जनकपुर स्थित होटल मानकी इन्टरनेशनलमे पुस महिनाकेँ दोसर सप्ताह भेल एक महिलाकेँ हत्यामे संलग्न रहल आरोपीकेँ जिल्ला प्रहरी गिरफतार कएलक अछि ।
प्रहरी उपरीक्षक दिनेश आमात्य शुत्रmदिन पत्रकार सम्मेलन आयोजना कऽ मानकी होटलमे झापा महेशपुर गाविस—३ रहनिहार ३२ बर्षीय तारा गुरागाईकेँ झापा पृथ्वीनगर ५ रहनीहार ३८ बर्षीय तुलाराम खडका कर्तव्य कऽ हत्या कएने जानकारी देलन्हि अछि । खडकाकेँ झापा प्रहरीक सहयोगमे ओहि ठाम सँ पत्रmाउ कएने प्रहरी जानकारी देलक अछि ।
एसपी आमात्यक अनुसार पेसेवर अपराधी खडका उपर अहि सँ पहिने सेहे हत्या, महिला बेचविखन तथा जेल तोडि भागल आरोप अछि । एक ज्यान मुद्दामे ओ १० बर्ष जेल सजाय भोगि चुकल अछि तऽ दोसर मुद्दामे जेल गेल खडका २०६६ आशिन महिनामे मुत्तm भेल छल ।
पुलिस स्रोतक अनुसार ओ २०५१ सालमे सोलुखुम्वु रहनिहार कृष्णकुमार राईकेँ खुकुरी प्रहार कऽ हत्या कएने छल तऽ २०६३ सालमे ताप्लेजुङ रहनिहार २२ बर्षीय अम्विका लिम्बुकेँ भारतकेँ सिलीगुडीमे बित्रिm कएने छल । २०६२ सालमे ओ जेल तोडि फरार भेल छल । वितल पुस १६ गते जनकपुरक होटल मानकीमे तारा गुरागाईकेँ हत्या कएने आरोपमे पछिल्ला वेर पत्रmाउ परल अछि ।
महिला प्रति अत्यधिक आशत्तिm राखयवला खडका अपने तारा गुरागाईकेँ हत्या कएने स्वीकार कएने अछि । तरासंग वितल चारि महिना सँ अपने शारीरिक सम्वन्ध रहल आ विवाह करय पहिल जनवरीक दिन हुनका लऽ जनकपुर आएल खडका वतौलन्हि ।
होटल मानकी इन्टरनेशनलमे पर्यटन बर्ष सुरु भेले दिन भेल अहि प्रकारक हत्या प्रकरण सँ स्थानीय पुलिस दवावमे परल छल । प्रहरी उपरीक्षक आमात्यक अनुसार घटनाकेँ छानविन करय देशभरिकेँ जिल्ला आ इलाका प्रहरी चौकीसभ, महिला आयोग तथा अन्य सरोकारवला संघ संस्थासभ सँ सहकार्य करयकेँ साथे प्रहरी मृतक तराकेँ नाममे नक्कली फेसवुक सेहो वनैने छल । उपरीक्षक दिनेश आमात्य कहलन्हि—‘अपना संग मृतक महिलाकेँ सम्वन्धमे किछ जानकारी नहि छल । फेसवुकमे कोनो प्रतित्रिmया आओत अपनासभकेँ सोच छल ।’

facebook Page Like

  • मनोरँजन