Wednesday, March 23, 2011

येरुशलममें बस स्टॉप पर धमाका


एजेन्सी , चैत ९ । इसराइलके केंद्रीय यरूशलममें एक भीड़-भाड़बला बस स्टॉप पर भेल बम बिष्फोटनमे परि कम स कम 20 गोटे घाइल भेल अछि ।
एक इसराइली अधिकारीके कहब अछि जे इ विस्फोटक एकटा बैगमें नुका कऽ राखल गेल छल । पुलिस बम राखयबलाके खोज तलाशमे जुटल अछि ।

भारतके नाकाबन्दी करय परत गच्छदारक प्रस्ताव


काठमाडौं, चैत ९ । नेपाल सरकारके असफल करयके रणनीतिबारे बिमर्श क कऽ हालेमे भारत स घुरल मधेसी जनअधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष विजयकुमार गच्छदार इ सरकारविरुद्ध नाकावन्दी करय परत बतौलनि अछि ।
वृहत लोकतान्त्रिक मोर्चा निमार्णके अभियानमे जुटल राष्ट्रिय जनशक्ति पार्टीक अध्यक्ष सूर्यबहादुर थापासँग आइ भेल बिमर्शमे गच्छदार प्रस्ताव केने बिमर्शमे सहभागी स्रोत जानकारी देलनि । नाकाबन्दी नहि करयधरि इ सरकार नहि खसत कहैत गच्छदार थापा लग कहलनि जे-’आँहाके कहलाबाद भारत मानत आ इ सरकारबिरुद्ध नाकाबन्दी प्रस्ताव करय परत ।’
एमाले-माओवादी वामपन्थी गठवन्धनप्रति भारत समेत असन्तुष्ट रहल कहैत गच्छदार सरकार खसाबय भारतके सहयोग लेबय परत बतौलनि । मुदा सरकारविरुद्ध नाकावन्दी करय भारतस आग्रह करय थापा अस्वीकार केने स्रोत जनौलक अछि ।
थापा निवास मालिगाउँमे भेल बिमर्शमे कांग्रेकक केन्द्रीय सदस्य अर्जुननरसिंह केसी आ विपिन कोइराला सेहो सहभागी छलथि ।
एम्हर, कांग्रेस वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्ष लाल झण्डा देखौलाबाद एमाले-माओवादी गठवन्धन विरुद्ध वृहत लोकतान्त्रिक मोर्चा निमार्णक लेल भ रहल पहल संकटमे परल अछि ।
वाम आ लोकतान्त्रिकके नाममे होबयबला ध्रुविकरण स देशके हित नहि करत कहैत देउवा पक्ष मोर्चा निमार्णमे असहमति जनौलाक बाद कांग्रेसके मोर्चामे सहभागी बनाबयके थापाक प्रयास बिफल भेल अछि ।

चिनद्धारा करिब डेढ अर्बके सैन्य सहयोगक घोषणा


काठमाडौं, चैत ९ । चिन नेपाली सेनाके करिब डेढ अर्बके सैन्य सहयोग देबय लागल अछि ।
आइ नेपाल भ्रमणमे आएल चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक प्रमुख चेन विङदे नेतृत्वक १५ सदस्यीय उच्चस्तरीय टोली १३० मिलियन युयान अर्थात १ अर्ब ४२ करोड ९ लाख रुपैयाँ सैन्य सहयोगके घोषणा केलक अछि ।
सहयोगसम्वन्धी सम्झौतामे प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ आ चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक प्रमुख विङदे हस्ताक्षर कएलनि अछि । जाहि अनुसार चिन १०० मिलियन युयान बरावरके वीरेन्द्र अस्पतालके लेल आवश्यकीय मेडिकल उपकरणसब आ दैवि प्रकोप उद्धार कार्यमे प्रयोग होबयबला उद्धार सामग्रीसब उपलब्ध कराओत । वितल बर्षसबमे सम्पन्न सम्झौता अनुरुप ३० मिलियन युयान बरावरके निर्माण कार्यमे प्रयोग होबयबला इन्जिनियरिङ उपकरण सहितक सहयोगसब देत ।
सम्झौतामे हस्ताक्षर करय आगु जङ्गी अड्डामे भेल भेटमे हुनकासब बीच आपसी हित सहितक विविध समसामयिक विषयसबहक बारेमे बिमर्श भेल छल ।
चिनियाँ टोली काल्हि राष्ट्रपति डा. रामवरण यादव, प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल आ रक्षामन्त्री विष्णु पौडेलसँग भेटघाट करत । भेटमे चिनियाँ टोली काठमाडौंमे बढ्य सकयके चिनविरोधी गतिविधिके अध्ययन करयके सँगहि ओइके रोकय सरकारके दबाब देत । नेपाल भ्रमणके बाद तिब्बतके मामिलामे बेइजिङ नयाँ सुरक्षा रणनीति तय करत जनाओलगेल अछि ।

मजदुरसबहक तलव १५ सय रुपैयाँ बृद्धि हाएत

काठमाडौं, चैत ९ । उद्योगीसब आ आन्दोलनरत मजदुर संगठनबीच मजदुरसबहक तलव १५ सय रुपैयाँ बृद्धि करयके सहमति भेल अछि । नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघक पहलमे आइ भेल बार्तामे सम्पूर्ण मजदुरसबहक तलव तत्कालके लेल १५ सय रुपैयाँ बृद्धि करयके लगभग सहमति भेल अछि । सहमतिमे हस्ताक्षर करय बाँकी रहल अखिल नेपाल ट्रेड युनियन महासंघक अध्यक्ष शालिकराम जम्मरकट्टेल जानकारी देलनि । अहिस आगु माओवादी, कांग्रेस आ एमालेसम्वद्ध मजदुर संगठनसब न्यूनतम तलव १० हजार होबयके माँग रखने छल त उद्योगी व्यवसायीसब हाल रहल न्यूनतम तलव ४६ सय रुपैयाँमे २३ दशमलव ७ प्रतिशत बृद्धि करयके प्रस्ताव केने छल ।

सरकारद्धारा उर्जा संकटकालके घोषणा


काठमाडौं, चैत ९ । सरकार उर्जा संकटकालके घोषणा केलक अछि । उर्जा संकट समाधानक लेल साढे ४ वर्षक लेल उर्जा संकटकालके घोषणा केलक अछि ।
व्यवस्थापिका संसदके आजुक बैसारमे उर्जामन्त्रालयके जिम्मेवारी पौअने उपप्रधान तथा अर्थमन्त्री भरत मोहन अधिकारी सरकार उर्जा संकटकालके घोषणा करयके निर्णय केने जानकारी देलनि । उर्जा संकट समाधान करय अधिकार सम्पन्न तीन सदस्यीय उर्जा संकट निवारण आयोग गठन करयके निर्णय सेहो कएलगेल ओ बतौलनि ।
सरकार आगामी साढे ४ वर्षमे २५ सय मेघावाट विद्युत उत्पादन करयके लक्ष्य लेने अछि । अहिना, हाल बन्द रहल विराटनगरके मल्टिफ्युल, हेटौडाके डिजेल ल्यान, कोइला आ थर्मल प्लान्ट मर्मत क आगामी वर्ष लोडसेडिङ ४ घण्टा कम करब सरकार बतौलक अछि । सरकार २०७१ सालधरिमे लोडसेडिङ अन्त्य करय २०७५ साल धरिमे ५ हजार मेघावाट विद्युत उत्पादन करयके आ भारतस विद्युत आयातके उच्च प्राथमिकताके सँग आगु बढाएब अर्थमन्त्री अधिकारी जानकारी देलनि ।

सीरिया:मस्जिदके बाहर फ़ायरिंग


सीरिया, चैत ९ ।
सीरियामें सुरक्षाकर्मी चलौने अश्रु ग्यास आ गोली लागि कम स कम ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
लगातार चारिम दिन जारी सरकार विरोधी प्रदर्शनमे डेरा शहरमें सुरक्षाकर्मी एकटा मस्जिदके बाहर अश्रु ग्यास आ गोली चलौने छल जाहिमे कम स कम ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
ओम्हर सरकार हिंसाके लेल एक सशस्त्र समुहके दोषी ठहरौलक अछि ।
ट्यूनिशिया आ मिस्रमें सरकार विरोधी प्रदर्शन आ सत्ता परिवर्तनके बाद स मध्य पूर्वके कतेकौ देशमें सरकार विरोधी प्रदर्शन भ रहल अछि ।
प्रदर्शनकारी सत्ताधारी बाथ पार्टीके ख़िलाफ़ प्रदर्शन क रहल अछि आ राजनीतिक स्वतंत्रता, अधिकार तथा भ्रष्टाचारके ख़िलाफ़ कार्रवाही करयके माँग कऽरहल अछि ।
एम्हर, संयु्क्त राष्ट्र मानवाधिकार आयुक्त नवी पिल्लेई कहलनि जे, "सीरियाके सरकार ज़रूरत सँ बेसी बलके प्रयोग नहि करैथ कियाक त सरकारके सामने अपन समस्या पर विचार आ माँग रखनाइ लोगके जायज अधिकार अछि ।"

वेस्टइंडिजके पाकिस्तान १० बिकेटस हरौलक


एजेन्सी, चैत ९ । आइ सिसि विश्वकप क्रिकेट २०११ अन्तर्गतके बंगलादेशक शेरेबंगाल स्टेडीयममे आइ भेल पहिल क्वार्टर फाइनल खेलमे वेस्टइंडिजके पाकिस्तान १० बिकेटस हरौलक अछि ।
आजुक खेलमे टाँस जित क ऽ पहिने ब्याटिङ करैत वेस्टइंडीज ४३ ओभर ३ बल खेलैत सम्पुर्ण बिकेटक क्षति पर ११२ रन मात्रे बनाबऽ सकल छल ।
वेस्टइंडीजके दिसस चन्द्रपौल सर्बाधिक नट आउट ४४ रन बनौने छल त सरबन २४ आ रोज १६ रन बनौने छलथि । बाँकीके ब्याट्सम्यानसब दोहरा अँकधरि छुबय नहि सकलथि । पाकिस्तानके लेल साहिद अफ्रिदी सर्बाधिक ४ बिकेट लेने छलथि त अजमल आ हाफिज २-२ बिकेट लेने छलथि ।
प्रतिउतरमे जितयके लेल ११३ रनक बिजयी लक्ष्य ल मैदानमे उतरल पाकिस्तान टिम २० ओभर ५ बल खेलैत बिना कोनो बिकेटक क्षतिमे लक्ष्य पुरा क बिजयी हासिल केलक अछि । पाकिस्तानक मो, हाफिज सर्बाधिक ६१ रन बनौलनि त कमरान अकमल ४७ रनक योगदान देलनि ।
अहिके सँग आजुक खेलमे पराजित वेस्टइंडीज टिम प्रतियोगितासँ बाहर भेल अछि ।

पुलिसक गोलीस भालु मरल

वीरगन्ज, चैत ९ । पुलिस चलौने गोली लागि पर्सामे एक जगंली भालुके मृत्यु भेल अछि । पर्सा वन्य जन्तु आरक्षस आएल जंगली भालुके नियन्त्रण करयके प्रयासमे मृत्य भेल पुलिस जनौलक अछि ।
भालुके नियन्त्रणमे लेबय पुलिस ७ राउण्ड गोली चलौने इलाका प्रहरी कार्यालय जानकी टोलाके इन्चार्ज लालबहादुर चौधरीले बतौलनि । आइ भिन्सर करिब ११ बजे जंगलस आएल भालुके दसौता पाडेँपुरक स्थानियवासी उपर आक्रमण कएलाबाद पुलिस गोली चलौने चौधरीक कहब अछि ।
भालुके आक्रमणमे परि पाँडेपुरक २ बालक सहित ४ गोटे घाइल भेल अछि । गम्भीर घाइल भेल ७ वर्षक रैफुल गदीके अवस्था चिन्ताजनक रहल नारायणी उपक्षेत्रिय अस्पताल जनौलक अछि । गदीके थप इलाजक लेल भारतक पटना पठाओलगेल परिवारजन बतौलक अछि ।
आरक्षस आएल भालु पाडेँपुरके दसौताके रैफुल गदी, भंगुर गदी, सैफुल गदी आ गिरजा देवी उपर आक्रमण केने छल । जानकीटोला आ पाडेँपुर इलाका पुलिसक संयुक्त टोली भालुके नियन्त्रणमे लेबयके प्रयास केने छल ।
भालु अक्रामक बनय लगलाबाद गोली चलौने पुलिस जनौलक अछि । पर्सा वन्य जन्तु आरक्षके वार्डेन बाबुराम गोपाली नियन्त्रणके लेल भालु उपर गोली चलौनाइ आवश्यक नहि रहल बतौलनि । ओ कहलनि जे, ' भालुके बिना हत्यो केने नियन्त्रणमे लेल जा सकैत छल ।'

दुर्घटनामे पुलिस जवानके मृत्यु

दाङ, चैत ९ । दाङके देउखुरीमे आइ भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामा एक पुलिस जवानके मृत्यु भेल अछि । सुर्खेत लेखपाजुल गाविस घर रहल आ हाल इलाका प्रहरी कार्यालय लमहीमे कार्यरत प्रहरी जवान तुलबहादुर रोकाके दुर्घटनामे परि मृत्यु भेल अछि ।
भिन्सर साढे तीन बजे रा १ प ९० नम्बरक मोटरसाइकलमे लमहीस भालुवाङ दिस जा रहल अवस्थामे चैलाही-१ अर्नहवान नजदिकक मोडमे दुर्घटना भेलास रोकाके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालयके प्रहरी प्रमुख हरिदास श्रेष्ठले जानकारी देलनि अछि ।

कर्मचारी मालिक नहि बनु: उपप्रधानमन्त्री


लमजुङ, चैत ९ । उपप्रधान एवं अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारी कर्मचारीसबके मालिक नहि बनि कऽ सेवक भ कऽ काज करय निर्देशन देलनि अछि ।
लमजुङ सदरमुकाम बेसीशहरस्थित मर्स्याङ्दी बहुमुखी क्याम्पसके सातम साधारण सभाके आई सम्बोधन करैत उपप्रधानमन्त्री अधिकारी कर्मचारीस स्थानिय तहमे भ्रष्टाचार आ ढिलासुस्तीके प्रवृत्ति बढैत जा रहल उल्लेख कएलनि ।
सहमति आ सहकार्यविना सविधान सेहो नहि बनत आ शान्ति प्रकृया सेहो तार्किक निष्कर्षमे नहि पहुँचत कहैत ओ पुन: सहमति आ सहकार्यकै राजनीतिमे जोड देलनि । ओ सहमति आ सहकार्यके लेल सरकार भरपुर प्रयास क रहल सेहो बतौलनि ।
करिब १७ बर्षस निर्माणधिन अवस्थामे रहल बेसीशहर-चामे सडकके अवलोकन समेत करय हेलिकप्टरस पहुँचल मन्त्री अधिकारी छोट भाषणमे विकास गतिविधिके जोड देने छलथि ।
मनाङ आ लमजुङ क करिब ५ घण्टा वितौने मन्त्री अधिकारी आइए हेलिकप्टर स काठमाडौं घुरलनि अछि ।

एसएलसीमे अमर्यादित काज करयबलाके नहि छोडल जाएत: शिक्षामन्त्री


काठमाडौं, चैत ९ । शिक्षामन्त्री गंगालाल तुलाधर काल्हि सँ सुरु होबयबला एसएलसी परीक्षामे अमर्यादित काज कएनिहार ककरो सरकार नहि छोडत चेतावनी देलनि अछि ।
आइ राजधानीमे आयोजित साक्षात्कारमे मन्त्री तुलाधर अमर्यादित ब्यवहार करयबला सबके शिक्षा ऐन आ नियमावली तय केने सजायके भागी हाएत बतौलनि । एसएलसीमे सेहो संक्रमणकालक फाइदा उठाबयबला समूहसब सक्रिय होबय सकत कहैत ओ ओईके नियन्त्रण करय सरकार तयार रहल बतौलनि ।
शिक्षा क्षेत्रमे अपराधिकरण बढैत गेल कहैत मन्त्री तुलाधार ओईके नियन्त्रण करय सरकार कोनो कसर बाँकी नै राखत बतौलनि । ‘बढिया करयबलाके पुरस्कार आ अमर्यादित ब्यवहार करयबलाके दण्डित करयके परम्पराके कडाईके सुग लागु काएल जाएत ,’ओ कहलथि ।
शिक्षा मन्त्री तुलाधार अहि बेरक एसएलसी परीक्षामे १ हजार ६७२ परीक्षा केन्द्रमे २ हजार ३९५ सहायक केन्द्राध्यक्ष, १९ हजार ८४३ निरीक्षक, ६ हजार ६१२ सहयोगी आ १६ हजार ७२० सुरक्षाकर्मी परिचालन कएल जाएत जानकारी देलनि । अहि बेरक परीक्षामे ४ लाख ९८ हजार २ सय ४३ विद्यार्थी सहभागी भ रहल अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन