Sunday, April 17, 2011

देल्हि डेयर डेबिल्स ३ बिकेटसँ जित हासिल कएलक


एजेन्सी,  बैशाख ४ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वाईन्टी ट्वाईन्टी क्रिकेट अन्तर्गतके आजुक पहिल खेलमे पुने वारियर्स देल्हि डेयर डेबिल्स ३ बिकेटसँ जित हासिल कएलक अछि ।
 मुम्बईके मैदानमे भेल आजुक खेलमे डेल्हि डेयर डेबिल्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बैटीङ करए उतरल पुने वारियर्स ५ बिकेटक क्षतिमे १ सय ८७ रन बनौने छल ।
 वारियर्स तर्फसँ युवराज नट आउट ६६ रन बनौलनि त राइडर ६० आ ग्रिम स्मिथ १२ रन बनौने छलथि ।
एम्हर १८८ रनक बिजयी लक्ष्य ल मैदानमे उतरल देल्हि डेयर डेबिल्स बिकेटक नोक्सानमे लक्ष्य पुरा केने छल ।
देल्हि डेयर डेबिल्सके दिससँ सहभाग ३७ आ पठान १४ रन बनौने छल ।
तहिना आजुक दोसर राजस्थान रोयल्स आ कोलकता नाईट राईडर्स बिच भऽरहल खेलमे राजस्थान रोयल्स  कोलकता समक्ष   ८२  रनक लक्ष्य प्रस्तुत केलक अछि ।
कोलकताके मैदानमे भऽरहल खेलमे कोलकता नाईट राईडर्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बैटीङ करए उतरल राजस्थान रोयल्स १५ ओभर २ बलमे सम्पुर्ण बिकेटक क्षतिमे ८१  रन बनौने अछि ।
राजस्थानक दिससँ वाटसन ११ आ फजल ३ रन बनौलनि अछि ।

बेरुजु फर्र्छौटमे सर्वोच्चके सहयोग करियौः लेखा


४ वैशाख, काठमाडौं । व्यवस्थापिका-संसद्के सार्वजनिक लेखा समिति बेरुजु फर्र्छौटके सम्बन्धमे देखलगेल समस्या समाधानक लेल सर्वोच्च अदालतके सहयोग करय सरकारसँ आग्रह केलक अछि ।
समितिके आइ बैसल बैसारसँ बेरुजु फर्स्यौटके लेल सर्वोच्च अदालतके आवश्यक परयबला स्रोतसाधन आ जनशक्ति उपलब्ध कराबय समेत सरकारके निर्देशन देने सभापति रामकृष्ण यादव जानकारी देलनि । ओ सरकार पाँच वर्षभितर देने आममाफीके सम्पूर्ण विवरण उपलब्ध कराबय गृह मन्त्रालयके १० दिनक समय समेत देने बतौलनि । समितिक बैसारमे सदस्यसब आममाफीके बारेमे उत्सुकता देखौने आ ओइस जघन्य अपराधी समेत उन्मुक्ति पौअने उपराग अएलाबाद विवरण उपलब्ध कराबय १० दिना अल्टिमेटम देलगेल अछि ।

पत्रकार महासंघक निर्वाचन कार्यक्रम सार्वजनिक


४ वैशाख, काठमाडौं । नेपाल पत्रकार महासंघक २३ हम् राष्ट्रिय महाधिवेशनमे नयाँ नेतृत्व चयनक लेल निर्वाचन कार्यक्रम सार्वजनिक कएलगेल अछि ।
महासंघक केन्द्रीय निर्वाचन समिति आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ वैशाख १२ गते मतदाता नामावलीके पहिल सूची प्रकाशन करयके कार्यक्रम रहल जनौलक अछि ।
शान्ति, सहमति आ संविधान नेपाल पत्रकार महासङ्घक अभियान नाराक साथ वैशाख २० आ २१ गते नेपाल राजकीय प्रज्ञाप्रतिष्ठानमे २३ हम् महाविधेशन भरहल अछि ।
अध्यक्ष सहितक पदाधिकारी एवम् केन्द्रीय सदस्यसभहक उम्मेदवारी मनोनय दर्ता वैशाख १७ गते हाएत त मतदान वैशाख २१ गते होयबाक कार्यक्रम रहल अछि । जिल्ला, प्रतिष्ठान आ एसोसियट्स शाखाके कऽ देशभरिके करिब एक हजार २५० पार्षद् ओ महाधिवेशनमे भाग लेत बताओलगेल अछि ।

श्यामसुन्दर गुप्ताके सभासद पद खारेज


४ वैशाख, काठमाडौं । संविधानसभा सदस्य श्यामसुन्दर गुप्ताके पद खारेज भेल अछि ।
संविधानसभाके आइ बैसल बैसारमे अध्यक्ष सुवासचन्द्र नेम्वाङ सर्वोच्च अदालतके आदेश अनुसार गुप्ताके सभासद पद खारेज भेल जानकारी करौलनि ।
गुप्ता मन्त्रिपरिषद मनोनित केने २६ गोटेके कोटामे सभासद् बनल छलथि । सर्वोच्चके न्यायाधीश बलराम केसी आ भरतराज उपेत्रीके संयुक्त इजलास बितल माघ २८ गते गुप्ताके मनोनयन सहमतिके आधारमे नहि रहल  ठहर करैत पद खारेज करयके फैसला सुनौने छल ।

कांग्रेसके बाहर राखिकऽ संविधान नहि बनतः मन्त्री रायमाझी


४ वैशाख, अर्घाखाँची । भौतिक योजना तथा निर्माण मन्त्री टोपबहादुर रायमाझी नेपाली कांग्रेसके सरकार बाहर राखिकऽ संबिधान निर्माण होबय नहि सकत बतौलनि अछि ।
चाक्ला सिद्दारा भालुवाङ्ग गाडी रास्ताके आइ सिद्दारामे उद्घाटन करैत माओवादी नेता समेत रहल रायमाझी शान्ति र संविधानक लेल कांग्रेस सहितक सरकार अनिवार्य रहल बतौलनि । शान्ति आ संविधान निर्माणक लेल दलसभ राजतन्त्र हटाबय एक भेल जेना फेउर एक होबय परत ओ कहलनि-अहि बिना शान्ति आ संबिधान पूर्णता पाबय नहि सकत ।
 ओ कांग्रेसके सरकारमे लाबय बिश्वासके वातावरण बनाबय परत तर्क देलनि । सरकारक आयु बढाबय सव दलसभबीचक सहमति आवश्यक छैकओ कहलनि-ओइके लेल बिश्वासक वातावरण बनाबु,  आ इ भेल त समयेमे संविधान बनत ।मन्त्री रायमाझी नेपालके इतिहासमे रातारात परिर्बतनके लेल सहमति भरहल कहैत राजनितिक सहमति हाएत त संविधान सेहो निर्धारिते समयमै बनत दावी कएलनि ।
मन्त्री नियुक्त भेलाबाद आइ पहिल बेर गृहजिल्ला पहुँचल मन्त्री रायमाझीके सदरमुकाम सन्धिखर्कमे पञ्चे बाजा सहित स्वागत कएलगेल छल ।

बेगनास तालमे नाव दुर्घटना, तीन गोटे बेपत्ता

कास्की, वैशाख ४ । पोखराके बेगनास तालमे ६ गोटे चढल नाव दुर्घटना भेलासँ तीन गोटे बेपत्ता भेल अछि ।
६ गोटे नावमे चढल समय आइ साँझ बर्षातके सँगे ठनका खसलाबाद इ घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।
नावमे सवार ६ गोटेमेसँ २ गोटेके स्थानियबासी उद्धार केने आ एक गोटे हेल कऽ बाहर निकलय सफल भेल अछि । तीन गोटेके खोजीके लेल पुलिसक टोली घटनास्थल जाकऽ खोजतलाशमे जुटल जिल्ला प्रहरी प्रमुख एसपी यादवराज खनाल बतौलनि अछि ।

आगिलगिमे डेढ दर्जन घर नष्ट



राजविराज, वैशाख ४ । सप्तरीके अलगे अलग गाविसमे आई भेल आगिलगिमे १६ परिवारक डेढ दर्जन घर जरिकऽ नष्ट भेल अछि । आगिलगिमे २० लाखसँ बेसीके धनमाल जरिकऽ नष्ट भेल अछि ।

कोइलाडी बर्साइन गाविस–१ निवासी उपेन्द्र रामके घरसँ सुनगल आगि पसैर कऽ कैलु राम, सतन राम, फनीलाल राम सहितक घर जरिकऽ नष्ट भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय हनुमाननगर जनौलक अछि ।

आगिलगिसँ घरभितर रहल सम्पूर्ण सरसामान जरलासँ पाँच लाख बराबरको क्षति भेल पीडितसभ बतौलक अछि । आगिके स्थानीय बासी , पुलिस आ राजविराज नगरपालिकाके बारुण यन्त्र नियन्त्रणमे लेने छल ।

अहिना, आईए दौलतपुर गाविसमे भेल अगिलगिमे ११ परिवारके १३ टा घर जरिकऽ करिब पन्ध्र लाख बराबरके धनमाल क्षति भेल अछि ।

दौलतपुर गाविस–९ निवासी बृहस्पति सदाके घरसँ सुनगल आगि विलछन सदा, चन्दा सदा, गोढाई सदा, धर्मेन्द्र सदा, बरुण सदा, बेचु सदा, पाँचु सदा सहितक १३ टा घर जरिकऽ नष्ट भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय कल्याणपुर जनौलक अछि । आगिके सिरहाके लहान नगरपालिकासँ गेल बारुण यन्त्र, पुलिस आ स्थानीय बासीक सहयगोमे नियन्त्रणमे लेलगेल छल ।

आगिलगिस घरभितर रहल सम्पुर्ण लत्ताकपडा, खाद्यान्न, गर गहना तथा नगद समेत जरिकऽ नष्ट भेल अग्नी पीडितसभ बतौलनि अछि ।

ईन्डियन प्रिमियर लिग


मुम्बई, बैशाख ४ । ईन्डियन प्रिमियर लिग ट्वाईन्टी ट्वाईन्टी क्रिकेट अन्तर्गतके आजुक पहिल खेलमे पुने वारियर्स देल्हि डेयर डेबिल्स ३ बिकेटसँ जित हासिल कएलक अछि । 
 मुम्बईके मैदानमे भेल आजुक खेलमे डेल्हि डेयर डेबिल्स टस जित कऽ पहिने क्षेत्र रक्षण करक निर्णय कएलाकबाद पहिने बैटीङ करए उतरल पुने वारियर्स ५ बिकेटक क्षतिमे १ सय ८७ रन बनौने छल ।
  वारियर्स तर्फसँ युवराज नट आउट ६६ रन बनौलनि त राइडर ६० आ ग्रिम स्मिथ १२ रन बनौने छलथि ।
 एम्हर १८८ रनक बिजयी लक्ष्य ल मैदानमे उतरल देल्हि डेयर डेबिल्स बिकेटक नोक्सानमे लक्ष्य पुरा केने छल ।
 देल्हि डेयर डेबिल्सके दिससँ सहभाग ३७ आ पठान १४ रन बनौने छल ।
 तहिना आजुक दोसर मैच राजस्थान रोयल्स आ कोलकता नाईट राईडर्स बिच नेपालि समय अनुसार रातिक सबा ८ बजेस  सुरु हाएत 

facebook Page Like

  • मनोरँजन