Thursday, October 27, 2011

‘बाबुरामपक्षक मजदुरसँ जमकट्टेल उपर आक्रमण’


१० कार्तिक, काठमाडौं । नेपाल प्रहरीके केन्द्रीय अनुसन्धान ब्युरो सीआईबी माओवादी मजदुर नेता शालिकराम जमकट्टेल उपर बाबुराम पक्षीय मजदुर नेता रमेश पन्तके निर्देशनमे शिविरके लडाकुसँ आक्रमण भेल दावी कएलनि अछि ।

सीआईबी आइ पत्रकार सम्मेलन कऽ आक्रमणके मुख्य योजनाकार अखिल नेपाल ट्रेड युनियन महासंघक निवर्तमान महासचिव तथा अखिल नेपाल होटल तथा रेष्टुरा मजदुर संघक निवर्तमान अध्यक्ष काभ्रे बिर्तदेउरालीके रमेश कहायबला तारानिधी पन्त रहल जनौलक अछि । ओ प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई पक्षक सिमित महत्वपूर्ण मजदुर नेता अछि ।

ओकरे योजना आ निर्देशनमे माओवादीक लडाकू आ पूर्व लडाकू जमकट्टेल उपर आक्रमण केने सीआईबी बतौलक अछि । सीआईबी आक्रमणमे संलग्न मे सँ ४ गोटेके गिरफ्तार कऽ आइए सार्वजनिक केलक अछि । गिरफ्तार होबयबलामे प्रभात कहायबला राम पुडासैनी ६५ सालमे तेसर डिभिजनसँ भागल पूर्व लडाकू अछि । सीआईवीके अनुसार ओ योजनाकार अछि । अहिना ६८ सालमे तेसर डिभिजनसँ भागल पूर्व लडाकू मकवानपुर आग्रा- ३ बसेरीके २३ वर्षक इन्द्रबहादुर शाही ठकुरी, अयोग्य लडाकू बसामाडी-५ सिमलथलीके २० वर्षक नविन कहायबला सुदिप कार्की आ अखिल नेपाल होटल तथा रेष्टुरा मजदुर संघ मुल इकाई कमिटी क्यासिनो नेपालक सदस्य एवं सेक्युरिटी गार्ड खोटाङके ३२ वर्षक कमल बुढाथोकी रहल अछि । पुलिसक अनुसार माओवादी नेता जम्मर कट्टेलके ठकूरी रड प्रहार केने अछि तऽ कार्की आ बुढाथोकी सहयोगी अछि । मूख्य योजनाकार रमेश आ सहयोगी तेसर डिभिजनके लडाकू धिरज कहायबला रजन खरेल फरार रहल सीआईबी जनौलक अछि ।

सीआईबी माओवादी मजदूर युनियनमे देखलगेल राजनीतिक तथा आन्तरिक मतभेदके कारण घटना भेल बतौलक अछि । अनुसन्धानक क्रममे रमेश रोजगारीके प्रलोभन देखा कऽ जमकट्टेल उपर आक्रमण करय लगौने पुलिस बतौलक अछि । सबक सिखाबयके अछि तऽ घाइल मात्रे करय लेल पन्त कहने सीआईबी बतौलक अछि । मुख्य योजनाकार पन्त हाल फरार रहल अछि ।

सभासद् जमकट्टेल उपर बितल भादव १० गते काठमाडौँके बबरमहलमे धरगर हतियार प्रहार कऽ आक्रमण कएल गेल छल ।

बिपा आ ४ बुँदे खारेज नहि हाएत तऽ पार्टी फुटय सकतः गजुरेल


१० कार्तिक, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक सचिव सीपी गजुरेल बिपा सम्झौतासँ ४ बुँदे सहमति खारेज नहि हाएत तऽ पार्टी फुटय सकयके चेतावनी देलनि अछि ।

बाराके निजगढमे आइ माओवादीक बैद्य पक्षधर आयोजना केने गोप्य कार्यकर्ता भेलामे सचिव गजुरेल प्रधानमन्त्री बाबुराम भट्टराई भारतसँग केने बिपा सम्झौता आ मधेसी मोर्चासँग कएलगेल ४ बुँदे सहमति राष्ट्रघाती रहलासँ खारेज करय माँग कएलनि । ओ बिपा आ ४ बुँदे खारेज नहि हाएत तऽ पार्टी फुटय सकत बतौने भेलामे सहभागी माओवादी भोजपुरा राज्य समितिक एक सदस्य जानकारी देलनि ।

सचिव जगुरेल संस्थापन पक्षक विरोधमे संघर्ष करय लेल तयार रहय कार्यकर्तासबके निर्देशन देलनि । जनयुद्धके मर्म विपरित पार्टी संस्थापन पक्ष एकलौटी रुपमे निर्णय करैत आगु बढि रहल कहैत ओ आब अपनासब चुप लागि कऽ नहि बैसब बतौलनि । भेलाके माओवादी केन्दि्रय सदस्य महेन्द्र पासवान सम्बोधन कएने छलथि ।

निजगढके गोप्य स्थानमे भेल भेलामे माओवादीके भोजपुरा राज्य अन्तर्गत परयबला बारा, पर्सा आ रौतहटके बैद्य पक्षक नेता कार्यकर्तासबहक मात्र सहभागिता रहल छल ।

दियाबातीके तुरुन्त बाद शान्तिप्रक्रियाके पुरा करबः प्रधानमन्त्री


१० कात्तिक, भक्तपुर । प्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराई दियाबातीके तुरुन्त बाद दलसब एकजुट भऽ शान्तिप्रक्रियाके निश्कर्षामे पहुँचाओत दाबी कएलनि अछि ।

राष्टिय विभुति शंखधर साँख्वा प्रतिष्ठान नेपाल सम्बत् ११३२ के अवसरमे भक्तपुरमे आइ आयोजना केने कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई दलसबबीच ओइबारे सकारात्मक बिमर्श समेत सुरु भऽ गेल जानकारी देलनि । प्रधानमन्त्री दलसबके मिल कऽ शान्तिप्रक्रियाके निश्कर्षमे पहुँचाबयके विकल्प नहि रहल दोहरौलनि ।

सरकार नेपाल सम्बतके राष्ट्रिय सम्बतके मान्यता दऽ देने बतबैत प्रधानमन्त्री आगामी वर्षसँ सरकारद्धारा प्रकाशित होबयबला सब प्रकाशनमे नेपाल सम्बतके तिथिमिति उल्लेख कएल जाएत जानकारी देलनि । कार्यक्रममे नेपाल सम्बतके राष्ट्रिय सम्बत् बनाबय उल्लेखनीय भूमिका रहल कहैत नागरिक आन्दोलनके अगुवाद्वय पद्मरत्न तुलाधर आ मल्ल के सुन्दरके सम्मान कएल गेल छल ।

अहिबिच नेपाल सम्बत् ११३२ के अवसरमे काठमाडौँके खुलामञ्चमे आयोजित कार्यक्रममे प्रधानमन्त्री भट्टराई आब नेपाल सम्वत आ नेपाल भाषाके मान्यता देबय माँग करैत ककरो आन्दोलन करय नहि परत बतौलनि ।

नेपाली प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमणसँ भारतके स्वार्थ पुरा केने विजुक्छेके आरोप


भक्तपुर, १० कात्तिक । नेपाल मजदुर किसान पार्टीक अध्यक्ष नारायणमान बिजुक्छे प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमण भारतीय स्वार्थ पुरा करयके लेल रहल आरोप लगौलनि अछि ।
 वासु उच्चमाबि आ प्रभात इङ्गलिस स्कुल दीपावली तथा नेपाल संम्बत् ११३२ के अवसरमे आयोजना केने शुभकामना कार्यक्रममे अध्यक्ष बिजुक्छें प्रधानमन्त्रीके भारत भ्रमणसँ भारतीय स्वार्थ मात्र पुरा केने बतौलनि ।

भारतीय एकाधिकार पूजीँसँ योजनाबद्ध रुपमे नेपाल उपर कब्जा जमाबय खोजि रहल बतबैत ओ प्रधानमन्त्री भट्टराई अहिके उदाहरण रहल चर्चा कएलनि ।

संदिग्ध ड्रोन हमला, ४ चरमपंथीके मृत्यु


१० कातिक पाकिस्तान । दक्षिण वज़ीरिस्तानमें एक संदिग्ध ड्रोन हमलामें कमसँ का ४ चरमपंथीके मृत्यु भेल पाकिस्तानक ख़ुफ़िया विभागक अधिकारी दाबी कएलक अछि ।

अफ़ग़ानिस्तानसँ सटल ओ क्षेत्रमे ड्रोन हमला कएल गेल अछि । चरमपंथी आज़म वरसाक इलाक़ाके दिस एकटा गाडी जाऽ रहल समय  ओ मिसाइलसँ हमला कएल गेल छल । हमलामे आओर चरमपँथी घाइल सेहो होबय सकबाक अनुमान कएल गेल अछि ।

मोडेल पुनमके बधाई देबयके अलग तरिका


टीम इंडियाके जीतयके ख़ुशीमें पूनम देलिह अहि अंदाजमें बधाई

पार्टी नहि फोरबः भण्डारी


काठमाडौं, कार्तिक १० मधेसी जनअधिकार फोरम (लोकतान्त्रिक)क बरिष्ठ नेता शरतसिंह भण्डारी अपने पार्टी नहि फोरयके दाबी कएलनि अछि

एक दर्जन सभासद्सहित पार्टी फुटाबयके चर्चा चलिरहल समय ओ आइ अपने निवास भैंसेपाटीम सञ्चारकर्मीक देउसी टोलीसँग कहलनि, ‘पछिलाबेर अपन मुद्दाम पार्टी केनिक विचलित भेल लागल छल मुदा अहिके मुद्दा बना कऽ पार्टी नहि फोरब

देश टुक्र्याबयके अभिव्यक्ति देलाबाद भण्डारीके पार्टीक सिफारिसम डेढ सप्ताह आगु प्रधानमन्त्री बाबुराम ट्टराई बर्खास्त केने छलथि ओ अपने राजीनामा देलाबाद अबरुद्ध शान्ति संविधान प्रक्रिया सुरु होबयके आश्वासन पूरा नहि ेलमे खिन्नता प्रकट कएलनि

नेता भण्डारी अपने रक्षामन्त्री रहल समय मधेसीके सेनाम प्रवेश कराबयके प्रक्रिया सुरु करयके जोड देने छलथि दस हजार मधेसीके सेनाम प्रवेश कराबय तत्काल ३ हजारक लेल प्रक्रिया सुरु भेल छल,’ ओ कहलनि, ‘अहिके सरकारके कार्यान्वयन करय परत

नेता भण्डारी प्रधानमन्त्री भट्टराई अपन भारत भ्रमणम केने द्विपक्षीय लगानी प्रवद्र्धन तथा संरक्षण (बिपा) सम्झौताक स्वागत केलनि सम्झौताबाद नेपालम विदेशी लगानी आबयके द्धार खुजल टिप्पणी कएलनि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन